Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

प्रकाश 19 - केवट नया कारार


स्वर्गमे परमेश्वरके स्तुति

1 जब शक्तिशाली स्वर्गदूत बोलैले बन्द कैल्कै तब हमे जे सुन्लियै ऊ एरं रहै जेरं कि स्वर्गमे बहुते आदमीसब गीत गाबैछै, “परमेश्वरके स्तुति है! उद्धार, महिमा आर शक्ति हमरसिके परमेश्वरके छै।

2 परमेश्वरके प्रशंसा कर कहिनेकी ओकर इन्साफ सही आर सच्चा छै। ऊ नामी वेश्याके न्याय कैल्कै कहिनेकी ऊ संसारके आदमीसिके पाप करैके लिए प्रभावित कैल्कै। परमेश्वर ओकरसे बदला लेल्कै छे कहिनेकी ओकर दाससब ओकरद्वारा हत्या कैल गेलै रहे।”

3 ऊसब फेर एकबेर जोरसे कहैल्कै, “परमेश्वरके स्तुति है! ऊ जनानीके नाश करेवाला आगिनसे निक्लेवाला धुवाँ कहियो भी धधकैले बन्द नैहैतै।”

4 तब ऊ चौबीसो धरमगुरुसब आर चारो जिन्दा प्राणीसब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वरके झुकिके आराधना कैल्कै आर एरं कहिके ओकर जय-जयकार कैल्कै, “आमेन, परमेश्वरके स्तुति है।”

5 आर फेर हमे कक्रहौ बोल्ते सुन्लियै आर एरं लाग्लै जेरं कि यी आवाज परमेश्वरके सिंहासनसे ऐलै छे। ऊ कहैल्कै, “हे हमरसिके परमेश्वरके सेवकसब आर तुहेंसब जे ओकर सम्मान करैछैं, चाहे बडका दर्जाके छैं, चाहे छोटका दर्जाके छैं परमेश्वरके स्तुति कर।”

6 एकरबाद हमे यी भी सुन्लियै जे बहुते आदमीसिके बडका आवाजके जुगुर उचा रहै। ऊ उचा आवाज बडका झरनाके गर्जनके जुगुर रहै आर बादलके बडका गडगडाहटके आवाजके जुगुर रहै। हमे ओकरासिके यी कहते सुन्लियै, “या अपनासब प्रभु, आपनसिके सर्वशक्तिमान परमेश्वरके प्रशंसा करियै। कहिनेकी ओकरलगत सभे जगहमे राज्य करैके शक्ति छै।

7 या अपनासब आनन्दित आर हर्षित हैयै आर ओकर प्रशंसा करियै। आब एखन येशूके समय छै, जे बलि-भेंडाके जुगुर छै, कि ऊ आपन आदमीसिके संगे स्थायी रुपसे एकजुट भ्याजै, यी एरं हैतै जेरं एकटा मरद आपन कनियाँके संगे बिहा करैछै, कहिनेकी जे आदमीसब ओकरसंगे सम्बन्धित छै ऊसब अपने आपके ओकरसंगे एकजुट हुऐके लिए तैय्यार करि लेल्कै छे।

8 परमेश्वर ओकरा साफ, चमकदार मलमलसे बन्ल कपडा पिन्हैले देल्कै छे। मलमलके कपडा उटा भला कामसिके देखाबैछै जे परमेश्वरके आदमीसब करैछै।”

9 तब ऊ स्वर्गदूतसब हमरा कहैल्कै, “यी बात लिख, बलि-भेंडाके बिहाके भोजमे हकार पाबेवालासब धन्यके छै।” ऊ फेर हमरा कहैल्कै, “यी वचन परमेश्वरके तरफसे छै, यी सभे निश्चित रुपसे सच छै।”

10 जब हमे यी बात सुन्लियै ते हमे ओकर समनामे झुकी गेलियै जे हमरसंगे बात कर्ते रहै, कहिनेकी हमे ओकर आराधना करैले जैते रहियै। मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “तुहें हमरा गोड नैलाग। हमे खाली परमेश्वरके एकटा सेवक छियै जेरं तुहें छैं आर तोर भ्यासिके जुगुर जे येशूके द्वारा प्रकट कैल गेल सच्चा शिक्षापर विश्वास करैछै आर मानैछै। खाली परमेश्वर ही छै जकर तोरा आराधना करना चाही। कहिनेकी यी आत्मा छै जे परमेश्वरके आदमीसिके येशूके द्वारा बतैल गेल सचके घोषणा करैके योग्य बनाबैछै।”


उजरा घोडापर सवार

11 फेर हमे स्वर्गके खुल्ल देख्लियै। ओत्ते हमर समनामे एकटा उजरा घोडा रहै। ओकरामे सवार हुएवाला विश्वासयोग्य आर सच्चा सेवक छै। ऊ ओकर मुताबिक जे परमेश्वरके नजरमे सही छै, परमेश्वरके दुश्मनसिके विरुद्धमे न्याय आर लडाई करैछै।

12 ओकर आँख आगिनके धधकके जुगुर चमकदार रहै आर ऊ बहुते मकुटसब पिन्हल रहै। आर ओकर एकटा नाम लिख्ल रहै, मगर खाली उहे उटा नामके मतलब जान्ते रहै।

13 ऊ खूनमे डुबैल कपडा पिन्हल रहै आर ओकर नाम “परमेश्वरके वचन” रहै।

14 स्वर्गके बहुते सैनिकसब ओकर पाछु-पाछु लाग्ल रहै। ऊसब भी उजरा घोडापर सवार रहै आर ऊसब उजरा मलमलके कपडा पिन्हल रहै जकरामे एक्कोरति दाग नैरहै।

15 ओकर मुखसे एकटा धरहा तलवार निकल्लै जकरासे ऊ जात-जातके आदमीसिके पराजय करि देतै। जे कोय भी ओकर अधिकारके स्वीकार नैकरैछै, ऊ ओकरा पुरा तरहसे सजाय देतै। ऊ सर्वशक्तिमान परमेश्वरके भयानक प्रकोपके ओहिने ही छोडी देतै, जेरंके एकटा अंगुरके रसकुण्डसे अंगुरके मद्द बहैछै।

16 ओकर कपडा आर दहिना जाँघमे “राजासिके राजा आर प्रभुसिके प्रभु” कहिके नाम लिख्ल रहै।

17 एकरबाद हमे एकटा स्वर्गदूतके सुरुजमे खडा भेल देख्लियै। ऊ मास ख्यावाला सभे चिडियासिके जोरसे बोलैल्कै जेसब आकाशमे बहुते उप्परमे उड्ते रहै, “या, उटा बडका भोजमे सामिल भ्याजो जे परमेश्वर तोरसिके लिए तैय्यार कैल्कौ छे।”

18 या आर राजासब, कप्तानसब, शक्तिशाली सैनिकसब, घोडा आर ओकरामे सवार हुएवालासिके मर्ल शरीरके मास खो। तुहें सभे किसिमके मर्ल आदमीसिके मास ख्या सकैछैं यानिकी दास आर आजाद, बडका आर छोटका दोनोके मास खैभैं।

19 फेर हमे उटा जंगली जानवरके देख्लियै जे समुन्दरसे बाहार ऐलै रहे आर धर्तीके राजासिके आर ओकरसिके सेनासिके देख्लियै। ऊसब जमा भेलै ताकी ऊसब उजरा घोडाके सवार आर ओकर सैनिकसिके विरुद्ध लडाई करे सकै।

20 मगर उटा जंगली जानवरके पक्डी लेल गेलै आर ओकरसंगे उटा झुट्ठा-भविष्यवक्ताके भी पक्डी लेल गेलै जे जंगली जानवरके तरफसे झुट्ठा चमत्कारसब देख्याके ऊ आदमीसिके बहकैते रहै, जे आदमीसब ऊ जंगली जानवरके छाप आपन कपारमे लेल्कै रहे आर ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै रहे। ऊ जंगली जानवर आर झुट्ठा-भविष्यवक्ता दोनोके गन्धकसे धधक्ते रहेवाला आगिनके कुण्डमे जिन्दे फेकि देल गेलै।

21 एकरबाद, ऊ जे घोडापर सवार रहै आपन मुखसे निक्लेवाला तलवारके इस्तमाल करिके बाँकी सभैके जान मारि देल्कै। तब आकाशके चिडियासब तबतक लासके मास खैते रहलै जबतक कि ओकरसिके पेट नैअघैलै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan