Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

प्रकाश 16 - केवट नया कारार


परमेश्वरके गोस्साके बाटी

1 एकरबाद हमे परमेश्वरके मन्दिरसे एकटा तेज आवाजके सातटा स्वर्गदूतसिसे यी कहते सुन्लियै, “जो संसारके आदमीसिपर परमेश्वरके तरफसे सजायके उझली दहैं जे सातटा बाटीमे छै।”

2 इहे ल्याके पहेला स्वर्गदूत बाटीमे भेल चीजके धर्तीमे उझली देल्कै। ऊ जंगली जानवर जकरासिपर ऊ आपन छाप लगैल्कै रहे आर ओकरासिपर जेसब ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै रहे, ऊ आदमीसिपर भयानक आर दर्दनाक घा दिखाई देल्कै।

3 दोसर स्वर्गदूत आपन बाटीके चीजके समुन्दरमे उझली देल्कै। तुरन्ते ही समुन्दर एकटा मर्ल आदमीके खूनके जुगुर भ्यागेलै आर इहे कारणसे समुन्दरमे रहेवाला सभे कुछु मरि गेलै।

4 तेसर स्वर्गदूत आपन बाटीके चीजके लद्दीसिमे आर पानीके झरनासिमे उझली देल्कै आर सभे पानी खून बनी गेलै।

5 तब हमे ऊ स्वर्गदूतके जकरा सभे पानीके उप्परमे अधिकार छै, परमेश्वरसे एरं कहते सुन्लियै, “हे पवित्र परमेश्वर, तुहें उहे परमेश्वर छह जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछै। यी सजाय जे तुहें संसारपर भेजैछह सही छै।

6 कहिनेकी ऊसब तोर आदमीसिके आर तोर वक्तासिके जान मारल्कै आर ओकरसिके खून बहैल्कै। इहे ल्याके आब तुहें ओकरासिके खून पियैके लिए देलह छे। इहे ओकरसिके लिए सही इनाम छै।”

7 हमे फेर कक्रहौ परमेश्वरके वेदीसे बोल्ते सुन्लियै, “हँ, हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, जेरंके तुहें आदमीसिके सजाय दैछह उटा सही आर धर्मी छै।”

8 चौथा स्वर्गदूत बाटीके चीजके सुरुजपर उझली देल्कै आर सुरुजके आरहौ बेसी गरम हुऐके अनुमति देल गेलै। आर एकर कारणसे आदमीसब सुरुजके कडा आर भयानक रौदसे झर्की गेलै।

9 आदमीसब यी कडा रौदसे झर्की गेलै आर ऊसब परमेश्वरके अपमान कैल्कै, कहिनेकी उहे ही रहै जकर लगत उटा विपत्तिसिपर अधिकार रहै। ऊसब आरहौ भी पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै, ऊसब आरहौ भी परमेश्वरके महानताके स्वीकार नैकैल्कै।

10 पाँचवा स्वर्गदूत बाटीमे भेल चीजके उटा जंगली जानवरके सिंहासनमे उझली देल्कै आर नतिजा स्वरुप ओकर पुरा राज्य अनहार भ्यागेलै। आदमीसब आपन जिभा दाँतसे काटे लाग्लै कहिनेकी ऊसब भयानक दरदके महसुस कैल्कै।

11 ऊसब आपन दरद आर फोकासिके कारण स्वर्गके परमेश्वरके अपमान कैल्कै। मगर ओकरसिके अवस्था एरं भेलपर भी ऊसब निश्चित रुपसे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै आर नैते उटा खराब कामसिके छोडल्कै जे ऊसब कर्ते रहै।

12 छठमा स्वर्गदूत बाटीमे भेल चीजके विशाल लद्दी युफ्रेटिसमे उझली देल्कै। आर नतिजा स्वरुप, लद्दीके पानी सुखी गेलै आर ताकी पुरुब दिशाके राजा आपन सेना ल्याके उटा लद्दीके पार करे सकै।

13 एकरबाद हमे तीनटा भूतसिके देख्लियै जे बेङके जुगुर दिखाई देते रहै। एकटा बेङ विशाल अजगर जे शैतान छै ओकर मुखसे बाहार निकल्लै। एकटा बेङ पहेलावाला जंगली जानवरके मुखसे आर एकटा दोसर जंगली जानवरके मुखसे बाहार निकल्लै, जे झुट्ठा सन्देश देल्कै रहे।

14 यी भूतसिके लगत झुट्ठा चमत्कार करैके क्षमता रहै आर ऊसब जैके ऊ आदमीसिके जमा कैल्कै, जेसब यी संसारके सभे देशमे राज्य कर्ते रहै, ताकी ऊसब सर्वशक्तिमान परमेश्वरके महान दिनमे ओकर विरुद्धमे लडै करैके लिए ज्या सकै। यी उटा दिन छै जब परमेश्वर आपन दुश्मनसिके नाश कर्तै आर आपन आदमीसिके बचैतै।

15-16 भूतसब शासकसिके आर ओकरसिके सेनासिके उटा जगहमे जमा कैल्कै, जकरा हिब्रू भाषामे आर-मागेड्डोन कहेल जैछै। सेल्याके प्रभु येशू कहैल्कै, “यी बात सुन! हमर फेर वापस आना चोरके जुगुर अचानक हैतै। ऊ आदमी धन्य छै जे हमे फेर वापस आबैके समयमे जग्गा रहैछै आर आपन कपडा तैय्यार राखैछै। तब ऊसब नंगा नैहैतै आर ऊसब बहुते आदमीसिके बीचमे बाहार जैबौ कर्तै ते भी ओकरासिके शर्मिन्दा बनाबेवाला कोनो चीज नैहैतै।”

17 सतमा स्वर्गदूत आपन बाटीके चीजके हावामे उझली देल्कै। आर हमे ओत्ते परमेश्वरके मन्दिरके भितर परमेश्वरके सिंहासनसे कक्रहौ बोल्ते सुन्लियै, “हमे सभे कुछु पुरा करि देलियै।”

18 तब बिजली चमके लाग्लै, मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निक्ले लाग्लै आर भूकम्प भेलै। भूकम्प एतनें भयानक भेलै कि जबसे आदमी यी संसारमे बसोबास कैल्कै छे, तबसे एरंको विनाशकारी तरिकाके भूकम्प कहियो नैभेलै रहे।

19 बेबिलोन सहरके बडका सहर तीनटा टुकरामे बटी गेलै आर पुरा संसारके सभे सहर नाश भ्यागेलै। कहिनेकी परमेश्वर उटा बात पुरा कैल्कै जकर ऊ बेबिलोनके जात-जातके आदमीसिके सजायके विषयमे प्रतिज्ञा कैल्कै रहे। एकरा परमेश्वरके तरफसे कठोर सजाय देल जैतै। परमेश्वर ऊ आदमीसिके बिना पानी मिलैल बहुते कडा अंगुरके मद्द पिलैतै। एकर मतलब यी छै कि ऊ बिना कोनो दयाके ओकरसिके संगे पुरा तरहसे गोसैतै।

20 उटा समयमे समुन्दरके सभे टापूसब अचानक गायब भ्यागेलै आर पहाडसब गायब भ्यागेलै।

21 बडका-बडका पत्थलसब आकाशसे आदमीसिपर खस्लै, जकरामे हरेक पत्थलके वजन लगभग ५० किलो रहै। नतिजा स्वरुप, ऊसब परमेश्वरके अपमान कैल्कै कहिनेकी ओकरासिके परमेश्वरके द्वारा भेज्ल गेल बिपत्तिके कारण बहुते पिडा सहे पड्लै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan