प्रकाश 14 - केवट नया कारारबलि-भेंडा आर ओकर भक्तसब 1 एकरबाद हमे आरहौ कुछु देख्लियै, हमे यरूशलेम सहरके पहाडके उप्परमे बलि-भेंडाके खडा भेल देख्लियै। ओकर संगमे ओकर एक लाख चौवालिस हजार आदमीसब रहै, ओकरसिके कपारमे बलि-भेंडाके नाम आर ओकर पिताके नाम लिख्ल रहै। 2 आर हमे स्वर्गमे ककरो आवाज सुन्लियै जे कि झरनाके गर्जनके जुगुर तेज या गडगडाहटके आवाज जुगुर बडका रहै। यी संगीतकारसिके द्वारा वीणा बजैल जैसे निक्लेवाला संगीतके जुगुर लाग्ते रहै। 3 एक लाख चौवालिस हजार आदमीसब सिंहासनके, चारटा जिन्दा प्राणीसिके आर धरमगुरुसिके समनामे खडा रहै। ऊसब एकटा नया गीत गैते रहै, जकरा खाली उहेसब ही सिखे सक्ते रहै। खाली उहेसब ही छै जकरासिके परमेश्वर धर्तीपर रहेवाला आदमीसिके बिच्चेसे उद्धार कैल्कै रहे। 4 ओकरसिके जीवन पवित्र छै। ऊसब ऊ आदमीसिके जुगुर छै जे कहियो व्यबिचार नैकैल्कै छे। ओहिने करिके ऊसब कहियो कोनो चीजके आराधना नैकैल्कै रहे, ऊसब खाली बलि-भेंडाके आराधना करैछै। बलि-भेंडा जते-जते जैछै, ओत्ते ऊसब ओकर पाछु-पाछु जैछै। ऊसब ऊ आदमीसब छै जेसब आदमीसिके बीचमेसे उद्धार कैल गेलै रहे। जेरंके आदमीसब आपन फसलके पहेला फल परमेश्वरके चढाबैछै, ओहिने करिके ऊसब परमेश्वर आर बलि-भेंडाके पहेला दानके रुपमे चढैल छै। 5 ऊसब कहियो झुठ नैबोल्लै छे। ओकरासिमे कुछु गलत नैछै। तीनटा स्वर्गदूतसब 6 तब हमे एकटा दोसर स्वर्गदूतके उप्पर आकाशमे उड्ते देख्लियै। ऊ स्वर्गदूतके संगे उटा खुश-खबरी रहै जे कहियो नैबदलैछै, ऊ यी संसारमे रहेवाला जात-जातके आदमीसब, हरेक कुलसब, हरेक किसिमके भाषासिमे एकरा सुनैल्कै। 7 ऊ बडका आवाजमे कहैल्कै, “परमेश्वरसे डर आर ओकरा सम्मान दहैं। कहिनेकी आदमीसिके फैसला करैके एखन ओकर समय छै। ओकरा झुकिके आराधना कर कहिनेकी उहे छै जे स्वर्ग, धर्ती, समुन्दर आर पानीके झरनासिके सृष्टि कैल्कै छे।” 8 ओत्ते आरहौ एकटा स्वर्गदूत रहै, जे पहेलावाला स्वर्गदूतके पाछु-पाछु एरं कहते ऐलै, “बेबिलोनके उटा नामी सहर आब हारी गेलै छे। बेबिलोन सहरके दुष्ट अनैतिक कामसिके कारण धर्तीके जात-जातके आदमीसब एक्के प्रकारके पापसब कैल्कै छे। यी एरं छै कि ऊ ओकरासिके अंगुरके मद्द पियैले देल्कै आर एकर कारणसे परमेश्वर ओकरासिके सजाय देतै।” 9 तकरबाद यी दीटा स्वर्गदूतके पाछु-पाछु तेसर स्वर्गदूत बडका आवाजमे एरं कहैल्कै, “जे ऊ जंगली जानवर आर ओकर मूर्तिके पूजा करैछै आर जेसब आपन कपारमे या हातमे ऊ जंगली जानवरके छापके स्वीकार करैछै, 10 परमेश्वर ऊ आदमीसिके बहुते तित्त अंगुरके मद्द पियैले लगैतै, जकरामे कोनो भी मिलावट नैहैछै। एकर मतलब यी छै कि परमेश्वर कोनो दया बिना ओकरासिपर आपन गोस्सा प्रकट कर्तै। ऊ आदमीसिके आगिन आर कोयलामे सतैल जैछै। आर जब परमेश्वर ओकरासिके सजाय दैछै पवित्र स्वर्गदूतसब बलि-भेंडाके संगे देख्तै। 11 आगिनसे निक्लेवाला धुवाँ जे ओकरासिके सताबैछै उटा सभे दिनके लिए आकाशमहर जैतै। दिन-रात ओकरसिके सतैल जाना बन्द नैहैछै, कहिनेकी ऊसब जंगली जानवरके आर ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै आर ऊसब उटा जंगली जानवरके नामके छाप लेल्कै।” 12 यी बातसब हुए ज्यावाला छै, सेल्याके परमेश्वरके आदमीसिके दुःख सहैमे धीरज राखना चाही। यीसब ऊ आदमीसब छै जेसब परमेश्वरके आज्ञासिके पालन करैछै आर विश्वासयोग्यताके साथ येशूके अनुसरण करैछै। 13 फेर हमे स्वर्गसे कक्रहौ बोल्ते सुन्लियै आर ऊ हमरा कहैल्कै, “यी बातसिके एत्ते लिख। आबसे ऊ आदमीसब धन्य छै जेसब प्रभुमे भरोसा कर्ते हुए मरि जैछै।” तब पवित्र आत्मा यी बात पर सहमत भेलै आर ऊ कहैल्कै, “यी सच छै। ऊसब धन्य छै कहिनेकी ऊसब आपन कडा मेहनतसे आराम पैतै आर जे काम ऊसब कैल्कै छे ओकर खातिर ओकरासिके इनाम देल जैतै।” धर्तीके फसलके कटनी 14 तब फेर हमे एकटा उजरा बादल देख्लियै, आर हमे कक्रहौ देख्लियै जे एकटा आदमीके बेटाके जुगुर रहै, जे उटा बादलपर बैठ्ल रहै। ओकर मथामे सोनाके मकुट रहै, हातमे एकटा धराहा कचिया रहै। 15 तखनिहैं आरहौ एकटा स्वर्गदूत जे कि चौथा स्वर्गदूत छै, परमेश्वरके सन्देश ल्याके परमेश्वरके मन्दिरसे बाहार ऐलै। ऊ बादलमे बैठ्ल आदमीके जोरसे कहैल्कै, “धर्तीके फसल पाकी गेलै छे। फसलके कटनी करैके समय आबी गेलै छे। इहे ल्याके आपन कचिया चलाब आर फसलके कटनी कर।” 16 सेल्याके ऊ आदमी जे बादलमे बैठ्ल रहै, धर्तीपर आपन कचिया ल्याके काटे लाग्लै आर ऊ पुरा धर्तीके फसलके कटनी कैल्कै। 17 एकरबाद हमे स्वर्गमे परमेश्वरके मन्दिरसे बाहार ऐल एकटा दोसर स्वर्गदूतके देख्लियै। ओकर हातमे भी एकटा धराहा कचिया रहै। 18 तखनिहैं आरहौ एकटा स्वर्गदूत जे कि छठमा स्वर्गदूत छै जे धुप वेदीपर आगिनसे धुप जराबैके जिम्मेदारी पुरा करैछै, ऊ ओत्तेसे बाहार निकल्लै। ऊ जोरसे उटा स्वर्गदूतके जकर हातमे धराहा कचिया छै ओकरा कहैल्कै, “धर्तीपर अंगुरसिके गुच्छा पाकी गेलै छे। ओकरासिके आपन धराहा कचियासे कटनी करि ले।” 19-20 तब ऊ स्वर्गदूत अंगुरसिके काटी देल्कै जे धर्तीपर रहै आर ओकरा एक जगहमे जमा कैल्कै ताकी ओकरा गार्ल ज्या सकै। एकर मतलब यी छै कि परमेश्वर भयानक सजाय देतै। अंगुरके सहरसे बाहारमे गार्ल गेलै। ओत्ते जते अंगुरसिके गार्ल गेलै रहे, ओत्तेसे जे खून निकल्लै आर ऊ एकटा एतनें गहरा धाराके रुपमे बहलै कि घोडासिके लगामतक पहुँची गेलै आर तीन स किलोमिटर तक फैली गेलै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation