Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

प्रकाश 12 - केवट नया कारार


जनानी आर विशाल अजगर

1 जब ऊ समाप्त भेलै ते, ओत्ते एकटा अदभुद चिन्ह रहै जे आकाशमे देख्ल ज्या सक्ते रहै। कहिनेकी चानपर खडा भेल एकटा जनानी प्रकट भेलै जे एरं कपडा पिन्हल रहै जे सुरुजके जुगुर चमकते रहै। ऊ आपन मथामे एकटा मकुट पिन्हल रहै जकरामे बारहटा तारासब रहै।

2 ऊ जनानी गर्भवती रहै, आर ओकर बच्चाके जनम दियैके समय ऐलै। आर ऊ बच्चाके जनम दियैके दरदके कारणसे पिडामे रहै।

3 तकरबाद आकाशमे दोसर एकटा अदभुद चिन्ह दिखाई देल्कै: ओत्ते एकटा बहुते विशाल लाल अजगर रहै, जे शैतान रहै। ओकर सातटा मुडा रहै आर हरेक मुडामे सातटा मकुट रहै आर दशटा सिङ रहै,

4 ऊ आपन नाङरसे आकाशसे एक तिहाइ तारासिके समेटीके धर्तीमे फेकि देल्कै आर ऊ विशाल अजगर जनानीके बच्चाके जनम हैते ही बच्चाके खैके लिए ओकर समनामे खडा भेलै।

5 तब ऊ जनानी एकटा बेटा बच्चाके जनम देल्कै मगर ओकरा अजगर खैले नैसकल्कै कहिनेकी ओकरा तुरन्ते छिनी लेल गेलै आर परमेश्वर आर ओकर सिंहासनमे लजैल गेलै। ऊ लडका लुहाके छडी ल्याके जात-जातके आदमीसिपर राज्य कर्तै।

6 तब ऊ जनानी एकटा सुनसान जगहके तरफ भाग्लै, जते एक हजार दी स साठ दिनतक ओकर पालन पोषण है कहिके परमेश्वर ओकरे लिए उटा जगह तैय्यार कैल्कै रहे।


विशाल अजगर बाहार फेक्ल गेलै

7 तकरबाद स्वर्गमे लडाई शुरु भेलै। परमेश्वरके प्रमुख स्वर्गदूतसिमेसे एकझन जकर नाम मिखायल छै, आपन अधिनमे भेल दोसर स्वर्गदूतसिके संगे विशाल अजगरके हमला कैल्कै आर विशाल अजगर आर ओकर दूतसब भी ओकरसिके विरुद्ध लडाई कैल्कै।

8 मगर ऊ विशाल अजगर लडाईमे पराजित भेलै। ऊ विशाल अजगर आर ओकर अनुयायीसिके स्वर्गसे बाहार निकाली देल गेलै।

9 इहे ल्याके ऊ विशाल अजगर आर ओकर दूतसिके धर्तीमे फेकि देल गेलै। यी विशाल अजगर उहे छै जे बहुते समय पहेला साँपके रुपमे दिखाई देल्कै रहे, जकरा शैतान या दोष लगाबेवाला भी कहेल जैछै। यी उहे छै जे यी संसारके आदमीसिके धोखा देते ऐलै छे।

10 तब हमे स्वर्गमे एरं कहते एकटा बडका आवाज सुन्लियै, “आब आपनसिके परमेश्वर जित हासिल कैल्कै छे। आब ऊ आपन शक्तिके उपयोग कर्तै आर राजाके रुपमे राज्य कर्तै। आब ओकर ख्रीष्ट संसारमे आपन अधिकारके दावा कर्तै। कहिनेकी आब शैतान परमेश्वरके समनामे खडा भेल आपनसिके विश्वासी भ्या-बहिनसिपर दिन-रात दोष नैलगैतै। ओकरा स्वर्गसे बाहार फेकि देल गेलै छे।

11 ऊसब शैतानपर जित हासिल कैल्कै छे। ऊसब ओकरा बलि-भेंडाके खूनके शक्तिसे हरैल्कै छे, जे ओकरासिके ओकरसिके पापसिसे छुटकारा दिलाबैके लिए मरि गेलै रहे। ऊसब ओकरा हरया देल्कै कहिनेकी ऊसब यी स्वीकार कर्ते रहलै कि बलि-भेंडा ओकरसिके परमेश्वर रहै। जब कि ओकरासिके सतैल गेलै एत्तेतक कि जान मारि देल गेलै, मगर ऊसब आपन स्वीकारसे पाछु नैहट्लै।

12 तुहें जेसब स्वर्गमे रहैछैं, तोरासिके बहुते खुश होना चाही। मगर तुहें जेसब धर्ती आर समुन्दरमे रहैछैं, तुहेंसब बहुते भयानक रितीसे पीडित हैभैं। कहिनेकी शैतान तोरसिकेलगत निच्चा ऐलौ छे आर ओकर मन बहुते गोसैल छै, कहिनेकी ऊ जानैछै कि ओकरलगत काम करैके लिए बहुते समय नैछै।”

13 जब ऊ विशाल अजगर महसुस कैल्कै कि ओकरा धर्तीमे फेकि देल गेलै छे ते, ऊ बेटा जनमाबेवाली जनानीके खेधाडल्कै।

14 मगर परमेश्वर यी जनानीके विशाल गरुडके दीटा डेन देल्कै ताकी ऊ उटा जगहमे उडी जै, जे सुनसान जगहमे ओकर लिए तैय्यार कैल गेलै रहे। आर ओत्ते साढे तीन सालतक ओकर देखभाल कैल गेलै ताकी विशाल अजगर ओकरलगत पहुँचे नैसकै।

15 फेर ऊ जनानीके बाढसे भसाबैके लिए ऊ विशाल अजगर बाढके जुगुर एकटा लद्दी आपन मुखसे उल्टी कैल्कै।

16 मगर ऊ जनानीके सहायता करैके लिए, धर्ती उटा पानीके सोसी लेल्कै, जे ऊ विशाल अजगर उल्टी कैल्कै रहे।

17 नतिजा स्वरुप, ऊ विशाल अजगर ऊ जनानीसे बहुते गोसैलै। सेल्याके ऊ विशाल अजगर जनानीके सन्तानसिके विरुद्धमे युद्धके घोषणा कैल्कै। यानिकी ऊ आदमीसिके विरुद्ध जेसब परमेश्वरके आज्ञासिके पालन करैछै आर येशूके द्वारा सिखैल गेल सच्चा शिक्षासिके अनुसरण करैमे निरन्तर लाग्ल रहैछै।

18 तब ऊ विशाल अजगर चल गेलै आर समुन्दरके किनारमे खडा भेलै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan