प्रकाश 11 - केवट नया कारारप्रभुके दीटा गवाह 1 तकरबाद हमरा नापैके लिए एकटा लग्गा देल गेलै आर परमेश्वर हमरा आज्ञा देल्कै, “जो, हमर मन्दिर आर वेदीके नाप ले आर ऊ आदमीसिके गन्ती कर जे ओत्ते हमर आराधना करैछै। 2 मगर हमर मन्दिरके बाहरके ऐगनके नैनाप, कहिनेकी उटा जगह हमरा नैचिन्हेवाला आदमीसिके देल गेलै छे आर ऊसब बियालिस महिनातक उटा पवित्र सहर यरूशलेमके नाश कर्तै। 3 उटा समय हमे आपन दीटा गवाहके एक हजार दी स साठ दिनके लिए हमर सन्देशके घोषणा करैके अधिकार देबै। ऊसब मोटका करिया कम्बल ओढ्ल हैतै।” 4 यी दीटा गवाहके तुलना दीटा जैतुनके गाछसब आर दीटा चिराग राखेवाला लबनाके संगे कैल गेलै छे, जे परमेश्वरके समनामे खडा रहैछै, ऊ सारा संसारके प्रभु छै। 5 यदि कोय भी दुश्मन ओकरासिके हानी पहुँचाबैके कोशिश कर्तै ते, ऊ ओकर मुखसे निक्लेवाला आगिनसे जरुर मर्तै। 6 परमेश्वर ओकरासिके अधिकार देल्कै छे कि ऊसब ओकर सन्देशके घोषणा करैके समयके दौरान बर्षा हुऐसे रोकी दै। ओकरासिके पानीके खूनके जुगुर लाल रंगमे बदलैके आर धर्तीके हरकिसिमके भयानक बिपत्तिसिसे हानी पहुँचाबैके भी अधिकार प्राप्त छै। ऊसब जतनें बेर चहतै ओतनें बेर एरं करे सकैछै। 7 जब ऊ दीटा गवाहसब परमेश्वरके सन्देशके प्रचारके काम समाप्त करि लेतै ते, ऊ जंगली जानवर जे अथाहा कुण्डसे बाहार निकल्तै, यी जंगली जानवर ऊ दोनो गवाहके संगे लडाई करिके ओकरासिके हरैतै आर ओकरसिके जान मारि देतै। 8 ऊ दोनो गवाहके जान मार्ल जैके बाद, ओकरसिके लाससिके ओथै उटा बडका सहर यरूशलेमके रस्तापर छोडी देल जैतै, जते ओकरसिके प्रभुके क्रूसपर चढैल गेलै रहे। सांकेतिक रुपमे कहेल जै ते, उटा सहरके तुलना सदोम सहर आर मिश्र देशसे कैल जैछै। कहिनेकी उटा जगहमे रहेवाला आदमीसब बहुते दुष्ट छै। 9 साढे तीन दिनतक यी दीटा गवाहसिके लासके हरेक जातसब, हरेक कुलसब, हरेक भाषासब आर हरेक देशके आदमीसब देख्ते रहतै मगर ऊसब कक्रहौ भी ओकरसिके लासके गाडैके अनुमति नैदेतै। 10 आपन मौतसे पहेला ऊ दोनो गवाहसब विपत्तिसिके द्वारा आदमीसिके एतनें परेशान कैल्कै कि जब यी धर्तीमे रहेवाला आदमीसब ओकरसिके मौतके बारेमे सुनल्कै ते यी धर्तीके आदमीसब बहुते खुश भेलै। ऊसब एतनें खुश भेलै कि ऊसब उत्सव मनाबे लाग्लै आर एक-दोसरके उपहार दिए लाग्लै। 11 साढे तीन दिन बित्लके बाद परमेश्वरके तरफसे जीवनके साँस ऊ दोनोमे ऐलै आर ऊ दोनो खडा भेलै आर ऊ दोनो गवाहके फेरसे जिन्दा भेल देखिके आदमीसिके बहुते डर भेलै। 12 एकरबाद ऊ दोनो गवाह स्वर्गसे एकटा आवाजके बोल्ते सुनल्कै, जे ओकरासिके जोरसे बोलैल्कै आर कहैल्कै, “एत्ते उप्पर या।” जब ओकरसिके दुश्मन देख्ते रहै तब ऊसब एकटा बादलसे लपेटते हुए उप्पर स्वर्गमे गेलै। 13 उहे समयमे, यरूशलेम सहरमे एकटा बहुते बडका भूकम्प भेलै, आर सहरके इमारतसिके दशमा भाग गिरी गेलै। आर उटा भूकम्पसे सात हजार आदमीसब मर्लै आर बच्ल आदमी जेसब नैमर्लै रहे ऊसब बहुते डरैलै, सेल्याके ऊसब स्वर्गके परमेश्वरके महिमा कैल्कै। 14 दोसर बिपत्ति खतम भेलै, आब तेसर बिपत्ति जल्दी आबेवाला छै। सतमा धुतहुक 15 जब सतमा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै तब हमे स्वर्गमे बडका आवाजसिके जोर-जोरसे पुकारा कर्ते सुन्लियै, “आपनसिके परमेश्वर आर ओकर चुन्ल ख्रीष्टके पुरा संसारपर शासन करैके अधिकार छै आर परमेश्वर सभे दिनके लिए राज्य कर्तै।” 16 तब ऊ चौबीसोटा धरमगुरुसब जे परमेश्वरके समनामे आपन-आपन सिंहासनमे बैठ्ल रहै झुकिके परमेश्वरके आराधना कैल्कै आर एरं कहिके जयजयकार कैल्कै, 17 “हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, तुहें उहे परमेश्वर छह जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलै छह। हमेसब सचमे तोरा धन्यवाद चढाबैछियै, कहिनेकी तुहें आब आपन महान सामर्थ्य देखैलह छे आर तुहें आब यी धर्तीपर आपन राज्य शुरु करि देलह छे। 18 ऊ आदमीसब जेसब तोरापर विश्वास नैकरैछै बहुते गोसैल छै, आर समय आबी गेलै छे कि तुहें आपन गोस्सा देखाब आर जे मरि चुक्लै छे, ऊ सभैके फैसला करैके समय आबी गेलै छे। एखन उटा समय भी छै जब तुहें ऊ परमेश्वरके वक्तासिके इनाम देभ जेसब तोर सेवा करैछै आर ऊ जात-जातके आदमीसिके जेसब तोर सम्मान करैछै, ओकरासिके जेसब कमजोर छै आर जेसब शक्तिशाली छै। उहे समयमे तुहें ओकरासिके नाश करि देभ जेसब धर्तीपर विनाश कैल्कै छे।” 19 तब परमेश्वरके मन्दिर जे स्वर्गमे छै से खोल्ल गेलै, आर ऊ मन्दिरमे करारके सन्दुक दिखाई देल्कै। बिजली चमके लाग्लै, मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निक्ले लाग्लै। भूकम्प भेलै आर आकाशसे बरफके पत्थलसिके साथ भारी बर्षा भेलै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation