फिलेमोन 1 - केवट नया कारार1 हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। येशू ख्रीष्टके बारेमे प्रचार करैके कारणसे हमे कैदमे छियै। आपनसिके विश्वासी भ्या तिमोथीके तरफसे फिलेमोन तोरा नमस्कार! तुहें एकटा प्रिय दोस्त छैं आर तुहें ख्रीष्टके खातिर हमरसिके जुगुर काम करैछैं। 2 आपनसिके विश्वासी बहिन अप्फिया आर विश्वासी भ्या अर्खिप्पसके लिए भी हमे यी चिट्ठी लिखैछियै। जे एकटा सिपाहीके जुगुर प्रभुके लिए सेवा करैछै आर ऊ सभे विश्वासीसिके लिए भी जे तोर घरमे परमेश्वरके आराधना करैके लिए जमा हैछै। 3 हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर आपनसिके पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ! धन्यवाद आर प्रार्थना 4 जब भी हमे तोरसिके लिए प्रार्थना करैछियै, हमे सभे दिन परमेश्वरके तोर लिए धन्यवाद दैछियै। 5 कहिनेकी आदमीसब हमरा कहैछै कि तुहें प्रभु येशूमे निरन्तर विश्वास करैछैं आर तुहें सभे परमेश्वरके आदमीसिके प्रेम करैछैं। 6 हमे प्रार्थना करैछियौ कि सभे बढियाँ बात जे परमेश्वर तोरासिके देल्कौ छे यी जानैके कारणसे विश्वासीसिके संगे तोर संगति बढ्ते जौ। यी ख्रीष्टके महिमाके लिए है। 7 कहिनेकी हे हमर विश्वासी-भ्या, दोसरके प्रति तोर प्रेम देखिके हमे बहुते खुशी आर उत्साहित छियै, सेल्याके तोरद्वारा परमेश्वरके आदमीसब उत्साहित हौ। ओनेसिमसके लिए निवेदन 8-9 हमे तोरा कुछु काम करैले कहैछियौ जे तोरा करना चाही। यी काम करैले आज्ञा दियैके लिए हमे ख्रीष्टके अधिकार प्रयोग करे सक्तियै, मगर हमे नैकर्बौ। एकर बदलामे, हमे साधारण रुपसे तोरा यी काम करैले कहैछियौ कहिनेकी अपनासब एक दोसरके आर परमेश्वरके बेटा-बेटीसिके प्रेम करैछियै। हमे, पावल, आब एकटा बुढ आदमी हुऐके कारणसे आर एकटा एरंको आदमी हुऐके कारणसे कहैछियौ जकरा आदमीसब जेलमे ढुक्या देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टके सेवा करैछियै। 10 हमे ओनेसिमसके लिए बिन्ती करैछियौ, जे हमर लिए बेटाके जुगुर भेल छै। हमे जेलमे भेल समयमे ऊ ख्रीष्टमे हमर बेटा भेलै छे। 11 ऊ तोरलगतसे भागैके कारणसे एक समयमे तोर लिए बेकम्मा रहै, मगर एखनी तोर लिए आर हमर लिए भी काम लागेवाला भेलै छे। 12 हमे ओनेसिमसके, जकरा हमे आपन पुरा हृदयसे प्रेम करैछियै, तोरलगत वापस भेजैछियौ। 13 हमे जेलमे हुऐके बखत येशू ख्रीष्टके बारेमे खुश-खबरी प्रचार करैके लिए सहायताके लिए ओकरा आपनसंगे राखे चहते रहियै। ऊ तोर बदलामे हमरा सहायता करे सक्तियै, कहिनेकी हमरा मालुम छै कि तुहें हमरा सहायता करैले चाहैछैं। 14 मगर तुहें राजी नैहुऐतक हमे ओकरा राखैले नैचाहैछियै। तुहें यी काम मजबूर भ्याके नैकर मगर स्वेच्छासे कर, सेल्याके हमे चाहैछियै कि तुहें ओकरा राख। 15 शायद परमेश्वर ओनेसिमसके कुछु समयके लिए तोरासे दूर रहैके लिए अनुमति देल्कै ताकी ऊ ख्रीष्टमे विश्वास करै, आर नतिजा स्वरुप तुहें ओकरा सभे दिनके लिए पाबे सक्हैं। 16 मगर आब तुहें ओकरा खाली आपन दास नैसोचिहैं। ऊ दाससे बढिके एकटा संगी विश्वासी भ्याके जुगुर छै, जकरा तुहें प्रेम करे सकैछैं। हमे ओकरा बहुते प्रेम करैछियै, मगर तुहें ओकरा एकटा आदमी आर ख्रीष्टमे एकटा विश्वासी भ्या कहिके दोनो रुपमे आरहौ बेसी प्रेम करिहैं। फिलेमोनके आज्ञाकारितासे उत्साहित 17 सेल्याके अगर तुहें हमरा आपन सहकर्मी सम्झैछैं ते जब ओनेसिमस वापस तोरलगत ऐतौ ते जेरंके तुहें हमरा खुशीके साथ स्वागत करैछैं ओहिने करिके ओकरा भी स्वागत कर। 18 अगर ऊ तोरा कोनो हानी कर्बो कैल्कौ छे, या ऊ तोरलगतसे कुछु पैसा कर्जा लेल्कौ छे ते, उटा पैसा ओकर लिए हमे चुक्या देबौ। 19 हमे, पावल, आपने हातसे यी लिखैछियौ कि उटा पैसा ओकर लिए हमे चुक्या देबौ। तोरा पहलहैसे मालुम छौ कि यदि हमे तोरा सहायता नैकर्तियौ ते, तुहें खुद भी नया जीवन नैपैतिहैं, सेल्याके तुहें आपन जीवनके लिए भी हमर कर्जदार छैं। 20 हे प्रिय विश्वासी-भ्या, तोरसे प्रभुमे कुछु लाभ पाबियै कहिके हमे चाहैछियौ। संगी विश्वासीके नातासे ओकरा स्वीकार करिके ख्रीष्टमे हमरा उत्साह दे। 21 यी चिट्ठी हमे तोरा लिख्लियौ छे, कहिनेकी हमे विश्वास करैछियै कि हमे जे तोरा करैले कहैलियौ छे ऊ तुहें कर्भैं। वास्तवमे, हमरा मालुम छै कि हमर कहेल से भी बेसी तुहें कर्भैं। 22 एकर साथे-साथ हमर लिए आपन घरमे एकटा मैजमान कोठा तैय्यार करिके राख, कहिनेकी हमे आशा करैछियै कि परमेश्वर तोर प्रार्थनाके उत्तर दौ आर हमरा तोरसिके लगत फेर आबिके भेट करैले दौ। 23 इपाफ्रास, जे येशू ख्रीष्टके बारेमे प्रचार करैके कारणसे हमरसंगे कैदमे छै, तोरा नमस्कार भेजल्कौ छे। 24 ओहिने करिके मर्कूस, अरिस्तार्खस, डेमास आर लूका भी जे हमरसंगे प्रभुके काम करैछै, एकरोसिके तरफसे तोरा नमस्कार छौ। 25 हमे प्रार्थना करैछियौ कि प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रह तोरसिके संगे रहौ। आमेन। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation