मर्कूस 3 - केवट नया कारारसुख्खा हातवाला आदमीके चंगाई ( मत्ती १२:९-१४ ; लूक ६:६-११ ) 1 फेर येशू यहूदी आदमीसिके सभाघरमे गेलै। आर ओत्ते हातमे लखुवा मार्ल एकटा अपाहिज आदमी रहै। 2 ओत्तेना कुछु फरिसी समूहके आदमीसब येशूके दोष लगाबैले एकटा कारण खोज्ते रहै, सेल्याके फरिसी समूहके आदमीसब ध्यानसे देखे लाग्लै, कहुँ येशू यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे ओकरा ठीक करैछै कि नैकरैछै। 3 तब उटा सुख्ल हात भेल आदमीके येशू कहैल्कै, “सभे आदमीसिके बीचमे खडा भ्याजो।” 4 तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे भला करना, आर खराब नैकरना निश्चित रुपसे उचित छै। ककरो जान बचाना, आर ककरो जान नैमारना यी बात निश्चित रुपसे उचित छै।” मगर ऊसब चुपचाप रहलै। 5 येशू गोसैलै जब ऊ ओकरसिके चारो महर देखल्कै। ऊ खुश नैरहै कहिनेकी ऊसब बहुते कठोर रहै। तब येशू उटा आदमीके कहैल्कै, “तोर हात सिधा कर।” ऊ हात सिधा कैल्कै आर ओकर हात ठीक भ्यागेलै। 6 तब यहूदीसिके सभाघरसे फरिसी समूहके आदमीसब निक्लीके गेलै, आर येशूके केरंके जान मार्ल जैतै कहिके हेरोद राजाके समर्थन करेवालासिके संगे मिलिके ओकर विरुद्धमे षड्यन्त्र रचे लाग्लै। भीड येशूके पाछु लाग्लै ( मत्ती १२:१५-१६ ; लूक ६:१७-१९ ) 7 तकरबाद येशू आपन चेलासिके संगमे गालील समुन्दरमहर गेलै, आर गालील जिलासे आर यहूदिया प्रदेशसे एकटा बडका भीड ओकर पाछु लाग्लै। 8 ऊ आदमीसब यहूदिया प्रदेश, यरूशलेम सहर, इदुमिआ जिला, यर्दन लद्दी पारके पुरुब क्षेत्र, टुरोस सहर, आर सिदोन सहरके अगल-बगलके इलाकासे आदमीसब ओकर महान कामके चर्चा सुनिके ओकरलगत ऐलै। 9 भीड ओकरा ठेलठाल नैकरै कहिके येशू चेलासिके आपन लिए एकटा छोटका नाव आनैले कहैल्कै। 10 उटा दिन येशू बहुते आदमीसिके बेमारीसे ठीक कैल्कै रहे, सेल्याके ऊसब आदमीसब येशूके अगल-बगल भीड लगैले रहै आर येशूके छुवैले ठेलमठेल कर्ते रहै। 11 जब भी भूत लाग्ल आदमीसब येशूके देखै, तब ओकर आगुमे ओकरा आदर दियैले गिरिजै आर ओकर आगुमे एरं कहिके चिकरै, “तुहें परमेश्वरके बेटा छह।” 12 येशू भूतसिके धोपिके आदेश देल्कै, “आदमीसिके नैक कि हमे के छियै।” बारहटा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके नियुक्ति ( मत्ती १०:१-४ ; लूक ६:१२-१६ ) 13 तब येशू पहाडपर चढ्लै आर ओकरासिके बोलैल्कै जकरा येशू चहते रहै कि ऊसब ओकर चुन्ल आर भेज्ल चेला बनैके लिए ओकरसंगे जुडै तब ऊसब येशू लगत ऐलै। 14 तब ऊ ओकरासिमेसे बारहटा आदमीसिके चुनल्कै आर ओकरासिके आपन चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐले नियुक्त कैल्कै। ऊ ओकरासिके आपन संगमे रहैले आर प्रचार करैले भेजैके खातिर एरंको कैल्कै। 15 आर ओकरासिके भूतसब निकालैके अधिकार देल्कै। 16 यीसब उटा बारहटा चुन्ल आर भेज्ल चेलासब छै जकरा येशू नियुक्त कैल्कै: सिमोन, जकर नाम येशू पत्रुस राखल्कै। 17 जब्दियाके बेटा याकूब आर यूहन्ना रहै। येशू ओकरसिके नाम बोअनर्गेश राखल्कै, जकर मतलब हैछै ऊसब गर्जैके समान रहै। 18 अन्द्रियास, फिलिप, बारथोलोमाइ, मत्ती, थोमा, अल्फयसके बेटा याकूब, आर थेदियस, सिमोन देशभक्त, 19 आर यहूदा स्करियोत। जे कुछु समयके बाद येशूके दुश्मनसिके हातमे पक्ड्या देल्कै। येशू आर शैतान ( मत्ती १२:२२-३२ ; लूक ११:१४-२३ ; १२:१० ) 20 तकरबाद येशू आर ओकर चेलासब एकटा घरमे गेलै। फेर ओत्ते एतनें भीड भेलै, कि ऊ आर ओकर चेलासिके खाना भी खैले फुर्सत नैभेलै। 21 जब येशूके परिवारके आदमीसब यी बात सुनल्कै, तब ऊसब कहैल्कै कि ऊ पागल भ्यागेलै छै। तब ऊसब ओकरा घर लजाबैले ऐलै। 22 यरूशलेम सहरसे ऐल यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब कहैल्कै, “येशूमे शैतान छै, आर भूतसिके मालिक शैतानके सहायतासे भूतसिके निकालैछै।” 23 मगर येशू ओकरासिके आपन लगत बोल्याके खिसामे कहैल्कै, “सच्चे, शैतान आपन भूतसिके निकालैले जबरजस्ती नैकर्तै। 24 अगर एकटा देशके आदमीसब एक दोसरासे ही लड्ते रहतै ते, ऊसब ढेर दिनतक टिके नैसक्तै। 25 अहिने करिके एक्केटा परिवारके आदमीसब एक दोसराके विरुद्धमे फुट राख्तै ते, उटा परिवार एक्केसंगे नैरहे सक्तै। 26 अगर शैतान ओकर आपने भूतसिके विरुद्धमे लड्तै ते, ऊ आपने विनाश कर्तै।” 27 कोय भी शैतानके जुगुर मजगुत कोनो आदमीके घर लुटे नैसक्तै, जबतक ओकरलगत उटा मजगुत आदमीके हराबैके आर बान्हैके लिए ताकत नैहैतै। तभे ऊ ओकर घरके सभे कुछु लुटे सकैछै। 28 “सच्चे हमे तोरासिके कहैछियौ, परमेश्वर आदमीसिके सभे पाप आर ईश्वर निन्दा माफ करे सकैछै, 29 मगर पवित्र आत्माके विरुद्धमे ईश्वर निन्दा करेवालाके परमेश्वर ओकरा यी पापके लिए कहियो माफ नैकर्तै, परमेश्वर यीटा पापके लिए उटा आदमीके सभे दिनके लिए दोषी ठहरैतै।” 30 ऊ यी वचन कहैल्कै कहिनेकी, “ओकरामे भूत छै कहिके ऊसब कहैल्कै रहे।” येशूके मयाँ आर भ्यासब ( मत्ती १२:४६-५० ; लूक ८:१९-२१ ) 31 तब येशूके मयाँ आर छोटका भ्यासब ओत्ते ऐलै, आर घरके बाहारे खडा भ्याके ओकरा बोलाबैले कहैल्कै। 32 भीड ओकर चारो बगल बैठ्ल रहै आर ऊसब ओकरा कहैल्कै, “देख, तोर मयाँ आर छोटका भ्यासब तोरासे बात करैले चाहैछौं।” 33 ऊ ओकरासिके जबाब द्याके कहैल्कै, “हमर मयाँ आर छोटका भ्यासब के छै?” 34 आर ऊ आपन चारो बगल देखिके कहैल्कै, “देख, इहे छै हमर मयाँ आर हमर भ्यासब।” 35 “कहिनेकी जे परमेश्वरके इच्छा मुताबिक चलैछै, उहे हमर छोटका भ्या आर हमर बहिन आर हमर मयाँ छै।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation