Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

मर्कूस 10 - केवट नया कारार


बिहा आर छुटापत्रके विषयमे शिक्षा
( मत्ती १९:१-१२ ; लूक १६:१८ )

1 येशू आपन चेलासिके संगे कफर्नहुम गाँव छोडल्कै, आर यहूदिया प्रदेश द्याके गेलै तब यर्दन लद्दीके उपार चल गेलै। फेर एकबेर भीड ओकरलगत जमा भेलै, आर सभे दिनके जुगुर ओकरासिके फेर शिक्षा दिए लाग्लै।

2 फरिसी समूहके आदमी ओकरलगत आबिके ओकर परीक्षा करैले पुछल्कै, “कि मरदके लिए पतनीसे छुटापत्र लेना धरमशास्त्रके मुताबिक छै?”

3 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “मूसा तोरासिके छुटापत्रके विषयमे कि नियम देल्कौ छे?”

4 ऊसब कहैल्कै, “एकटा छुटापत्रके कागज लिखिके मरद आपन पतनीसे छुटापत्र करे सकैछै कहिके मूसा अनुमति देल्कै छे।”

5 सेल्याके येशू ओकरासिके कहैल्कै, “कहिनेकी तुहेंसब जिद्दी रहैं सेल्याके ऊ तोरासिके यी नियम देल्कौ छे।

6 ‘मगर सृष्टिके शुरुमे जब परमेश्वर सभे कुछु बनैल्कै, ऊ ओकरासिके नर आर नारी करिके बनैल्कै।’

7 सेल्याके ‘मरद आपन मयाँ-बाबुके छोडिके आपन पतनीके संगे रहैछै, कहिनेकी ऊ दोनो झन एक समान भ्याजैछै,

8 ऊसब आबसे दी झनके जुगुर नै, मगर ऊसब एक झनके जुगुर छै।’

9 सेल्याके जकरा परमेश्वर एक साथ जोडल्कै छे, ओकरा कोनो भी आदमी अलग नैकरक।”

10 पाछु जब ऊ चेलासिके संगे उटा घरमे असकल्ला रहै, ऊसब येशूके यी विषयमे पुछल्कै।

11 ऊ ओकरासिके जबाब देल्कै, “जे आदमी आपन पतनीके छुटापत्र द्याके दोसरसे बिहा करैछै, ऊ ओकर विरुद्धमे व्यबिचार करैछै।

12 आर कोनो जनानी अगर आपन पतिसे छुटापत्र करिके दोसर मरदसे बिहा करैछै ते, ऊ जनानी व्यबिचार करैछै।”


बच्चा आर स्वर्गके राज्य
( मत्ती १९:१३-१५ ; लूक १८:१५-१७ )

13 फेर आदमीसब बच्चासिके येशूके लगत आने लाग्लै, कि ऊ ओकरासिपर हात राखिके आशीर्वाद देतै; मगर चेलासब आदमीसिके धोपल्कै।

14 मगर यी देखिके येशू गोसैलै आर ओकरासिके कहैल्कै, “छोटका बच्चासिके हमरलगत आबैले दहैं, एकरासिके नैरोक, कहिनेकी उहे आदमीसब जे यी बच्चासिके जुगुर भरोसाके लायक छै परमेश्वरके राज्यमे रहतै।

15 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, परमेश्वर आपन राज्यमे खाली ऊसब आदमीके स्वीकार कर्तै जे ओकर शासनके बच्चाके जुगुर स्वीकार कर्तै।”

16 आर ऊ ओकरासिके कोरामे ल्याके आपन हात राखिके आशीर्वाद देल्कै।


मातबर आदमी आर परमेश्वरके राज्य
( मत्ती १९:१६-३० ; लूक १८:१८-३० )

17 जहिने ही येशू आर ओकर चेलासब रस्तामे जैते रहै, तब एकटा आदमी दौडिके आबिके ओकर आगुमे आदरसे घुटुवा पारिके ओकरा पुछल्कै, “हे बढियाँ गुरु, हमे कोन काम करियै कि परमेश्वर हमरा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दै?”

18 येशू ओकरा जबाब देल्कै, “तोर कहैके कारण कि छौ कि हमे बढियाँ छियै? खाली परमेश्वर ही वास्तवमे बढियाँ छै।

19 तुहें परमेश्वरके आज्ञासब ते जानैछैं यानिकी, ‘हत्या नैकरिहैं, व्यबिचार नैकरिहैं, चोरी नैकरिहैं, झुट्ठा गवाही नैदिहैं, नैठकिहैं, आपन बाबु आर मयाँके आदर करिहैं।’ ”

20 आर ऊ येशूके कहैल्कै, “गुरुजी, यी सभे आज्ञा ते हमे लडकपनसे पालन कैले ऐलियै छे।”

21 येशू ओकर महर देखिके प्रेमसे कहैल्कै, “एकटा काम छै जे तोरा आब करैके जरुरत छौ; जो, आर तोरलगत जे जतनें छौ बेचिके पैसा गरिबसिके दहैं, अगर तुहें एरं करैछैं ते, तोरलगत स्वर्गमे सम्पति हैतौ। तोर एरं कैलके बाद, या आर हमर चेला बनिजो।”

22 जब ऊ आदमी येशूके यी बात कहते सुनल्कै, तब ओकर चेहरा उदास भ्यागेलै, आर दुःखित भ्याके चल गेलै, कहिनेकी ओकरलगत बहुते धन-दौलत रहै।

23 तब आपन चारो महर देखिके येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “मातबर आदमीसिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करना बहुते कठिन छै।”

24 ओकर कहेल यी बात सुनिके चेलासिके आश्चर्य लाग्लै। मगर येशू फेर ओकरासिके कहैल्कै, “हमर दोस्तसब, धन-दौलतमे भरोसा राखेवाला आदमीसिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करना बहुते कठिन छै।

25 एकटा ऊँटके लिए सियाके छेद द्याके ढुकना मुश्किल छै, मगर एकटा मातबर आदमीके लिए परमेश्वरके राज्यमे जाना बहुते मुश्किल छै।”

26 जब चेलासब यी सुनल्कै ते, ऊसब पुरा तरहसे आश्चर्यचकित भेलै आर एक दोसरासे कहैल्कै, “फेर ककरो लिए परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करैके लिए बचैल जाना केरंके सम्भव छै?”

27 येशू ओकरासिके देखिके कहैल्कै, “आदमीसिके लिए ते यी असम्भव छै, मगर परमेश्वरके लिए नै, कहिनेकी परमेश्वरके लिए सभे कुछु सम्भव छै।”

28 पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “हमरसिके कि हैतै? हमेसब तोर चेला बनैके लिए सभे कुछु छोडी देलियै छे।”

29 येशू चेलासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच्चाई बताबैछियौ, हमर चेला बनैके लिए आर खुश-खबरीके घोषणा करैके लिए, जे भी आदमी आपन घरके त्याग करिदेल्कै या भ्या-बहिनके या मयाँ-बाबुके या बेटा-बेटीके या जगह जमिनके,

30 ऊ निश्चित रुपसे सतावटके साथ-साथ जे चीज ऊ त्यागल्कै छे उटा सभे चीज वापस पैतै, आर आबेवाला समयमे तोरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिल्तौ।

31 मगर बहुते आदमीसब जे एखनी महान छै ओकरासिके तखनी विनम्र बनैल जैतै, आर बहुते आदमी जे एखनी विनम्र छै, ऊसब उटा समयमे महान बनी जैतै।”


आपन मौतके विषयमे येशूके तेसर भविष्यवाणी
( मत्ती २०:१८-१९ ; लूक १८:३१-३४ )

32 जब ऊसब यरूशलेम सहरमहर जैते रहै, चेलासिके बडा आश्चर्य भेलै कि ऊ ओत्ते जैते रहै जते बहुते आदमीसब ओकर विरोध कैल्कै रहे, आर दोसर आदमीसब जे ओकर संगमे रहै, ओकरासिके यी बातके डर रहै कि यरूशलेम सहरमे ओकर कि हैतै, एकबेर फेर येशू बारहोटा चेलासिके एक बगल ल्यागेलै आर उटा चीजसिके बारेमे बात कैल्कै जे ओकरसंगे हुए ज्यावाला रहै।

33 ऊ कहैल्कै, “देख, हमेसब यरूशलेम सहरमहर जैछियै। ओत्ते हमे, आदमीके बेटाके प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके हातमे सौंप्ल जैबै, आर ऊसब हमरा मृत्युदण्ड देतै, आर गैर-यहूदी आदमीसिके हातमे सौंपी देतै

34 आर ऊसब हमर उपहास कर्तै, हमरा थुक्तै, हमरा कोडा लगैतै आर हमर जान मार्तै। मगर तेसरा दिन हमे मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्बै।”


याकूब आर यूहन्नाके बिन्ती
( मत्ती २०:२०-२८ )

35 तब जब्दियाके दीटा बेटासब, याकूब आर यूहन्ना ओकरलगत आबिके कहैल्कै, “गुरुजी, हमेसब तोरलगत जे मांग्भौं तुहें हमरसिके लिए करिदह कहिके हमरसिके इच्छा छै।”

36 ऊ ओकरासिके पुछल्कै, “तोरसिके लिए हमे कि करिदियौ कहिके तोरसिके इच्छा छौ?”

37 ऊसब ओकरा कहैल्कै, “जब तुहें महिमामे शासन करैले शुरु कर्भ ते, बिन्ती छौं हमरासिके तोर संगमे शासन करैके अनुमति द्या। एक झनके तोर दहिना बगल आर दोसरके तोर बायाँ बगल।”

38 मगर येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब नैजानैछैं, कि तुहेंसब कि माँगैछैं? जे दुःख हमरा उठाबे पड्तै, कि तुहेंसब उटा दुःखके उठाबैके लिए तैय्यार छैं? आर जेरंके हमे मरेवाला छियै, कि तुहेंसब ओरंके मरैले तैय्यार छैं?”

39 ऊसब ओकरा कहैल्कै, “हमेसब सक्बै।” येशू ओकरासिके कहैल्कै, “जेरंके हमे सतैल जैबै ओहिने करिके तहुँ सतैल जैभैं। जेरंके हमे मार्ल जैबै ओहिने करिके तहुँसब मार्ल जैभैं।

40 मगर हमरा यी तय करैके अधिकार नैछै कि हमर दहिना आर बायाँ बगल, के उटा सम्मानके जगह प्राप्त कर्तै। परमेश्वर उटा जगहके तैय्यार कैल्कै छे, जकरा ऊ चुनल्कै छे ओकर लिए।”

41 यी सुनिके दशोटा चेलासब याकूब आर यूहन्नासे गोसाबे लाग्लै।

42 तब येशू चेलासिके आपन लगत बोल्याके कहैल्कै, “तुहेंसब जानैछैं कि जे आदमीसब यी दुनियाँमे शासक मान्ल जैछै, ऊसब आपन अधिकारके इस्तमाल आपन अधिनमे भेल आदमीसिके उप्परमे अधिकार जमाबैके लिए करैछै। ओकर अगुवासब ओकरसिके बात मन्वाबैके लिए ओकरसिके अधिकारके इस्तमाल करैछै।

43 मगर तोरसिके बीचमे एरंको नैछौ। अगर कोय आदमी सभैसे महान बनैले चाहैछै ते, अपनाके सभैसे छोट बनाबे पड्तै आर सभैके सेवक हुए पड्तै।

44 आर तोरासिमेसे जे बडका हुऐके इच्छा करैछै, ओकरा सभैके सेवक बने पड्तै।

45 हमे, आदमीके बेटा खुद एकटा महान शासकके जुगुर आपन सेवा करवाबैके लिए नै ऐलियै छे, एकर बदलामे हमे दोसरसिके सेवा करैके लिए आर दोसरसिके बचाबैके लिए आपन जान दियैले ऐलियै छे।”


अनराह बारतिमैके दृष्टि
( मत्ती २०:२९-३४ ; लूक १८:३५-४३ )

46 यरूशलेम सहर जैबेरियाँ, येशू आर चेलासब यरिहो सहरमे ऐलै, येशू आर चेलासब बडका भीडसहित यरिहो सहरसे निक्लैबेरियाँ, एकटा बारतिमै नामके अनराह भिखमंगा सडकके बगलमे बैठ्ल रहै। ऊ तिमैके बेटा रहै।

47 जब ऊ आदमीसिसे सुनल्कै कि येशू जे नासरत गाँव निवासी छै, ऊ उटा रस्ता द्याके जैछै, तब ऊ जोरसे चिकरीके कहैल्कै, “हे येशू, दाऊद राजाके सन्तान, हमरापर दया कर।”

48 तब बहुते आदमी ओकरा चुप कराबैले धोपल्कै। मगर ऊ आरहौ जोरसे चिकरे लाग्लै, “हे येशू, दाऊद राजाके बेटा हमरपर दया कर।”

49 जब येशू ओकर आवाज सुन्लकै, तब ऊ रुक्लै आर अगल-बगलके आदमीसिके कहैल्कै, “ओकरा एत्ते आबैले कहैं।” तब ऊसब ऊ अनराहके एरं कहिके बोलैल्कै, “हिम्मत कर, उठ्, ऊ तोरा बोलाबैछौ।”

50 तब अनराह आदमी आपन बाहरी चद्दर फेकिके तुरन्ते उठिके येशूके लगत गेलै।

51 येशू ओकरा कहैल्कै, “तुहें कोन्ची चाहैछैं, हमे तोर लिए कि क्यादियौ?” ऊ अनराह आदमी कहैल्कै, “गुरुजी, हमे देखे चाहैछियै।”

52 तब येशू ओकरा कहैल्कै, “हमे तोरा ठीक करैछियौ कहिनेकी तुहें हमरापर विश्वास करैछैं। आब तुहें घर ज्या सकैछैं!” तब तुरन्ते ऊ आपन आँखीसे देखे लाग्लै, तब ऊ येशूके अनुसरण करैले शुरु कैल्कै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan