मत्ती 8 - केवट नया कारारकुष्ठरोग लाग्ल आदमी ठीक भेलै ( मर्कू १:४०-४५ ; लूक ५:१२-१६ ) 1 जब येशू शिक्षा द्याके पहाडसे निच्चा उतर्लै, आदमीसिके बडका भीड ओकर पाछु लाग्लै। 2 तब एकटा कुष्ठरोग लाग्ल आदमी ओकरलगत ऐलै, आर ओकर आगुमे झुकिके आराधना करिके कहैल्कै, “हे प्रभु, तुहें अगर इच्छा कर्भ ते हमरा ठीक क्या देभ।” 3 येशू आपन हात पसारिके ओकरा छुबिके कहैल्कै, “हमे इच्छा करैछियै, तुहें ठीक भ्याजो।” तखनिहैं ओकर कुष्ठरोग ठीक भ्यागेलै। 4 तब येशू ओकरा कहैल्कै, “देख्, तुहें यी बात कक्रहौ नैकहिहैं कि हमे तोरा ठीक कैलियौ छे, मगर जैके तुहें पहेला यहूदी पुजारीके अपने आपके देखा कि तुहें ठीक भ्या गेल्हैं छे। परमेश्वरके लिए दान चढा जकर विषयमे मूसा कुष्ठरोगसे ठीक भेल आदमीके लिए आज्ञा देल्कै रहे, ताकी यहूदी पुजारी यी बातके घोषणा करे सकै कि तुहें ठीक भ्या गेल्हैं छे, आर आदमीसिके एकर सबूत है।” रोमी कप्तानके नोकर ठीक भेलै ( लूक ७:१-१० ) 5 येशू जब कफर्नहुम गाँव जैते रहै, एकटा रोमी कप्तान (१०० सेनाके उप्पर रोमी अधिकारी) ओकरलगत आबिके बिन्ती करे लाग्लै। 6 ऊ कहैल्कै, “हे प्रभु, हमर नोकर लखुवा लागिके बहुते तकलीफमे बिछनामे पडल छै।” 7 येशू ओकरा कहैल्कै, “हमे तोर घरमे आबिके ओकरा ठीक कर्बै।” 8 मगर रोमी कप्तान कहैल्कै, “हे प्रभु, तोरा हमर घरमे स्वागत करैके योग्य हमे नैछियै। खाली वचन कहिदह, आर हमर नोकर ठीक भ्याजैतै। 9 हमे यी बुझैछियै कहिनेकी हम्हुँ अधिकारीसिके अधिनमे छियै, आर हमर अधिनमे सेनासब छै। हमे एकटा नोकरके ‘जो’ कहैछियै ते ऊ जैछै आर दोसर नोकरके ‘या’ कहैछियै ते ऊ आबैछै। हमर नोकरके ‘एरं कर’ कहैछियै आर ऊ ओहिने करैछै।” 10 ओकर बात सुनिके येशू चकित भेलै, आर ओकर पाछु आबेवाला आदमीसिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, हमरा सभे इस्राएलीसिके बीचमे एक्कोटा एरंको आदमी नैमिल्लै, जे यी गैर-यहूदी आदमीके जुगुर हमरापर विश्वास करैछै। 11 हमे तोरासिके कहैछियौ, पुरुब आर पच्छिमसे बहुते गैर-यहूदी आदमीसब ऐतै, आर अब्राहम, इसहाक आर याकूबसंगे परमेश्वरके राज्यके भोजमे बैठ्तै। 12 मगर यहूदी आदमीसब जे राज्यके सन्तान छै बाहार अनहारमे फेक्ल जैतै। ओत्ते आदमीसब पिडासे दाँत किटते कान्तै।” 13 तब येशू रोमी कप्तानके कहैल्कै, “घर जो, जेरं तुहें विश्वास कैल्हैं छे, ओहिने तोरा हौ।” तब ओकर नोकर उहे समय ठीक भ्यागेलै। पत्रुसके घरमे बहुते रोगी-बेमारी आदमीसब ठीक भेलै ( मर्कू १:२९-३४ ; लूक ४:३८-४१ ) 14 जब येशू पत्रुसके घरमे गेलै तब पत्रुसके सासके बोखारके कारणसे बिछनामे बेमार पड्ल देखल्कै। 15 येशू ओकर हात छुल्कै आर ओकर बोखार ठीक भ्यागेलै। तब ऊ उठ्लै आर ओकर सेवा सत्कार कैल्कै। 16 जब सझौवा भेलै, तब आदमीसब ओकरलगत भूत लाग्ल बहुते आदमीसिके आनल्कै। आर ऊ आपन वचनसे भूतसिके निकाल्लकै, आर जतनें रोगी-बेमारी रहै सभैके ठीक कैल्कै। 17 परमेश्वर यशैया परमेश्वरके वक्ताद्वारा बोल्ल भविष्यवाणी पुरा हुऐले यी भेलै रहे, “ऊ अपने आपमे हमरसिके कमजोरीसब लेल्कै, आर ऊ आपनसिके रोग-बेमार ठीक कैल्कै।” येशूके चेला बनैके मोल ( लूक ९:५७-६२ ) 18 जब येशू आपन अगल-बगल आदमीसिके बडका भीड देखल्कै, तब ऊ आपन चेलासिके गालील समुन्दरके उपार जैले आज्ञा देल्कै। 19 जहिने ही ऊसब जैले तैय्यार हैते रहै, एकटा यहूदी धरमशास्त्रके पण्डित येशू लगत आबिके कहैल्कै, “गुरुजी, हमे तोर चेला बनैके लिए तुहें जते जैभ तोर पाछु-पाछु जैभौं।” 20 येशू ओकरा कहैल्कै, “खटिहाके बिल आर आकाशके चिडियासिके खोय्ता छै, मगर हमे, आदमीके बेटाके संगे एकटा घर भी नैछै जते हमे सुते सकियै।” 21 ओकर दोसर चेलासिमेसे एकटा चेला कहैल्कै, “हे प्रभु, पहेला हमरा आपन घर वापस जैले द्या। हमर बाबुके मर्लके बाद, हमे ओकरा गाड्बै आर फेर हमे आबिके तोर चेला बन्भौं।” 22 मगर येशू ओकरा कहैल्कै, “हमर चेला बनैके लिए हमर पाछु या, जे आदमीसब आत्मिक रुपसे मर्ल छै, ओकरासिके आपन मुर्दाके आपनहैं गाडैले दहैं।” येशू अन्हर-तूफानके शान्त कैल्कै ( मर्कू ४:३५-४१ ; लूक ८:२२-२५ ) 23 येशू नावमे चढ्लै आर चेलासब भी ओकरसंगे गेलै। 24 अचानक गालील समुन्दरमे बडका अन्हर-तूफान चले लाग्लै आर पानीके छालसब नावमे बजरे लाग्लै। एत्तेतक कि नाव पानीसे भरे लाग्लै आर डुबेवाला रहै। येशू नावके पाछुमे सिरौना ल्याके सुत्ल रहै। 25 चेलासब आबिके एरं कहिके ओकरा उठैल्कै, “बचाब प्रभु! अपनासब डुबेवाला छियै।” 26 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब कहिने एरंके डराबैछैं? कते छौ तोरसिके विश्वास?” एतनें कहिके ऊ उठ्लै आर अन्हर-तूफान आर समुन्दरके छालके धोपल्कै। ओकर धोप्लहैं साथ अन्हर-तूफान रुकी गेलै आर सभे चीज पुरा शान्त भेलै। 27 एरंको भेल देखिके सभेको चकित भ्याके कहे लाग्लै, “यी ते केरंको आदमी छै? एत्तेतक कि एकर हुकुम अन्हर-तूफान आर समुन्दरके छाल भी मानैछै!” भूत लाग्ल दीटा आदमीके येशू ठीक कैल्कै ( मर्कू ५:१-२० ; लूक ८:२६-३९ ) 28 जब येशू गालील समुन्दरके उपार गदरिनी आदमीसिके इलाकामे ऐलै। तब मसानघाटसे निक्लीके ऐल दीटा भूत लाग्ल आदमीसिसे येशूके भेट भेलै। ऊसब एतनें हिंसक रहै, कि कोय भी आदमी उटा रस्ता द्याके ज्या आबे नैसकै। 29 अचानक ऊसब एरं कहिके चिकरीके कहे लाग्लै, “हे येशू, परमेश्वरके बेटा, तुहें हमरासिके कथिले परेशान करैछ? हमरसिके न्यायके समय नैपुगिके तुहें हमरासिके कष्ट दियैले ऐलह छे?” 30 ओकरसिसे कनेजरा दूरमे बहुते सुग्गरके एकटा बथान चर्ते रहै। 31 उटा भूतसब येशूके एरं कहिके बिन्ती कैल्कै, “अगर तुहें हमरासिके निकाल्भ ते, हमरासिके उटा सुग्गरके बथानमे ढुकैके आज्ञा द्या।” 32 तब येशू भूतसिके कहैल्कै, “निक्लीके जो।” तखनिहैं भूतसब ऊ दीटा आदमीसे बाहार निकल्लै आर सुग्गरसिमे सम्या गेलै। तब उटा बथान ढलानवाला किनार महर दौडिके गालील समुन्दरमे जैके गिर्लै आर डुबिके मरि गेलै। 33 तब सुग्गर चराबेवालासब भाग्लै आर सहरमे जैके सभे घटना आर भूत लाग्ल आदमीसब केरंके ठीक भेलै से बात सुनैल्कै। 34 यी बात सुनिके सारा सहरे येशूके भेट करैले उन्टीके ऐलै। आर ऊसब येशूके, “हमरसिके इलाकासे चल जा!” कहिके बिन्ती कैल्कै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation