Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

मत्ती 27 - केवट नया कारार


येशूके राज्यपाल पिलातस लगत ल्यागेलै
( मर्कू १५:१ ; लूक २३:१-२ ; यूह १८:२८-३२ )

1 भरौवा सबेरे सभे प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी आदमीसिके अगुवासब येशूके जानसे मारैके फैसला कैल्कै।

2 तब ऊसब ओकरा बान्हिके यहूदिया प्रदेशके रोमी राज्यपाल पिलातस कते लज्याके सौंपी देल्कै।

3 तब ओकरा गिरफ्तार कराबेवाला यहूदा येशूके जान मारैके लिए दोषी ठहरैल छै कहिके मालुम भेलके बाद ऊ पछतावा कैल्कै, आर प्रमुख पुजारी आर यहूदी आदमीसिके अगुवासिके चानीके तीसटा सिक्का वापस दियैले आनल्कै।

4 आर ऊ कहैल्कै, “हमे निर्दोष आदमीके मौतके लिए धोखा द्याके पाप कैलियै छे।” मगर ऊसब कहैल्कै, “एकरासे हमरासिके कोनो लेना देना नैछै। यी तोर समस्या छौ।”

5 तब चानीके उटा सिक्कासब परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनमे फेकिके यहूदा स्करियोत बाहार गेलै आर ऊ फाँसी लागिके मर्लै।

6 मगर प्रमुख पुजारीसब चानीके उटा सिक्कासब बिछिके कहैल्कै, “हमरसिके विधि-विधानके मुताबिक यी सिक्का परमेश्वरके मन्दिरमे राखैके योग्य नैछै, कहिनेकी यी ककरो हत्याके दाम छै।”

7 ऊसब एक दोसरसे सल्लाह करिके उटा पैसासे परदेशीसिके दफन करैले कुम्हारके जमिन किनल्कै।

8 सेल्याके उटा जमिन एखनतक भी खूनके जमिन कहलाबैछै।

9 यी यर्मिया परमेश्वरके वक्ताद्वारा कहेल बात पुरा करैले भेलै छे। ऊ कहैल्कै, “ऊसब चानीके तीसटा सिक्का लेल्कै, उटा दामके रुपमे जे दाम इस्राएलीसिके अगुवासब ओकर लिए दियैले सहमत भेलै रहे।

10 आर परमेश्वर हमरा आदेश दियै बमोजिम ऊ चानीके सिक्काके इस्तमाल कुम्हारके जमिन किनैके लिए कैल्कै।”

11 येशू रोमी राज्यपालके समनामे खडा भेलै आर ऊ येशूके पुछल्कै, “कि तुहें यहूदी आदमीसिके राजा छैं?” ऊ ओकरा जबाब देल्कै, “जेरं तुहें कहैछ यी ओहिने ही छै।”

12 तब प्रमुख पुजारीसब आर दोसर यहूदी आदमीसिके अगुवासब येशूपर बहुते दोष लगैल्कै। मगर जतनें दोष लगैल पर भी ऊ कोनो जबाब नैदेल्कै।

13 तब राज्यपाल पिलातस ओकरा कहैल्कै, “तोर विरुद्धमे ऊसब अनेक बातके दोष लगाबैछौ, कि तुहें सुनैछैं?”

14 मगर येशू ओकरा एक्कोटा दोषके जबाब नैदेल्कै। यी देखिके रोमी राज्यपाल बहुते आश्चर्यचकित भेलै।

15 सभे साल निस्तार पावनके समयमे, राज्यपाल पिलातस सभे बेर कोनो एकटा कैदीके रिहा कर्ते रहै, जे आदमीके रिहा करैके माँग ऊसब करै।

16 उटा समय बारब्बा नामके एकटा नामूद आदमी रहै, जे अन्य क्रान्तिकारीसिके संगमे जेलमे रहै,

17 जब आदमीसब जमा भेलै, तब राज्यपाल पिलातस ओकरासिके पुछल्कै, “तुहेंसब कि चाहैछैं? हमे तोरसिके लिए ककरा छोडिदियौ? बारब्बा कि ख्रीष्ट कहलाबेवाला येशूके?”

18 कहिनेकी ऊसब येशूके इर्ष्याके कारणसे गिरफ्तार कैल्कै छे कहिके रोमी राज्यपालके मालुम रहै।

19 तब अदालतमे बैठ्ल समयमे ओकर पतनी एरं कहिके खबर भेजल्कै, “यी निर्दोष आदमीके कुछु नैकर, कहिनेकी ऐज सपनामे ओकर कारणसे हमे बहुते तकलीफ पैलियै छे।”

20 मगर प्रमुख पुजारीसब आर दोसर यहूदी आदमीसिके अगुवासब बारब्बाके छोडिदियैले आर येशूके जान मारैके माँग कर कहिके आदमीसिके उक्सैल्कै।

21 रोमी राज्यपाल फेर ओकरासिके पुछल्कै, “यी दीटा आदमीमे ककरा हमे छोडी दियौ कहिके तुहेंसब चाहैछैं?” ऊसब कहैल्कै, “बारब्बाके।”

22 राज्यपाल पिलातस ओकरासिके पुछल्कै, “तब ख्रीष्ट कहलाबेवाला येशूके हमे कि करियौ ते?” ऊसब सभेको जबाब देल्कै, “ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार।”

23 राज्यपाल पिलातस भीडके कहैल्कै, “कहिने? यी कि अपराध कैल्कै छे?” मगर आरहौ जोरसे चिकरीके ऊसब कहैल्कै, “ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार।”

24 मगर कोनो उपाय लाग्ल नैदेखिके बरु भीड आरहौ भड्कतै कहिके राज्यपाल पिलातस भीडके समनामे पानी ल्याके हात धोयके कहैल्कै, “तुहेंसब आपनहैं जान, हमे यी आदमीके हत्याके दोषी नैछियै।”

25 सभे आदमीसब जबाब देल्कै, “एकर हत्याके दोष हमरासिपर आर हमरसिके बालबच्चापर पडै।”

26 तब राज्यपाल पिलातस बारब्बाके छोडी देल्कै। मगर येशूके कोडा लग्याके क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मारैले सिपाहीसिके सौंपी देल्कै।


येशूके अपमान
( मर्कू १५:१६-२० ; यूह १९:२-३ )

27 तकरबाद सिपाहीसब येशूके राज्यपालके महलमे ल्यागेलै आर सभे सिपाहीसिके जमा कैल्कै।

28 ऊसब येशूके कपडा खोलीके ओकरा राजाके जुगुर लाल कपडा पिन्हया देल्कै।

29 काँटके मकुट बन्याके ओकर मथामे लग्या देल्कै, आर ओकर दहिना हातमे एकटा छडी पक्ड्या देल्कै। तकरबाद ऊसब ओकर आगुमे घुटुवा पारिके ओकर मजाक उडैते कहैल्कै, “यहूदी आदमीसिके राजा अमर रहै।”

30 तकरबाद सिपाहीसब ओकरापर ओकरा थुक फेकल्कै, आर ओकर हातसे छडी ल्याके ओकर मथामे घुरी-घुरी मारे लाग्लै।

31 तब येशूके निन्दा करिके ओकर लाल रंगके कपडा खोली देल्कै, आर ओकर आपने कपडा पिन्हया देल्कै। तकरबाद ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके मारैले सहरसे बाहार ल्यागेलै


येशू क्रूसमे
( मर्कू १५:२१-३२ ; लूक २३:२६-४३ ; यूह १९:१७-२७ )

32 जब ऊसब सहरसे बाहार जैते रहै, तब सिमोन नामके एकटा आदमी गाँवसे यरूशलेम सहरमे ऐते रहै। सिमोन कुरेनी सहरके रहै आर सिपाहीसब ओकरा आदेश देल्कै कि ऊ क्रूसके उठ्याके उटा जगह तक ल्याजै जते ऊसब येशूके क्रूसपर चढैतै।

33 तब ऊसब गलगथा नामके जगहमे पहुँचलै। गलगथाके मतलब “खोपडीवाला जगह” हैछै,

34 ओत्ते ऊसब येशूके तित्त दवा मिलैल अंगुरके मद्द पियैले देल्कै, मगर चाख्लके बाद ऊ पियैले नैचाहल्कै।

35 सिपाहीसब ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके टाँगल्कै। ओकर कपडासब ककर भागमे पड्तै कहिके निर्णय करैले ऊसब चिट्ठा बन्याके बाँटल्कै।

36 तब ओत्ते बैठिके ऊसब ओकर पहरा करे लाग्लै।

37 सिपाहीसब येशूके मथाके उप्परमे एकटा तख्ता लगैल्कै। ओकरामे येशूके क्रूसमे काँटी ठोकैके कारण लिख्ल रहै आर ओकरामे यी शब्द लिख्ल रहै: “यहूदी आदमीसिके राजा”।

38 ऊसब ओकरसंगे दीटा डकेतसिके भी क्रूसमे काँटी ठोकिके टाँगल्कै: एकटाके ओकर दहिना बगल आर एकटा बायाँ बगल।

39 उटा जगहसे ज्यावाला आदमीसब एरं कहिके मुडा हिल्याके ओकर निन्दा कैल्कै,

40 आर कहैल्कै, “वाह! तुहें जे कहते रहैं कि तुहें परमेश्वरके मन्दिरके तोड्भैं आर तीन दिनमे फेर बनैभैं! अगर तुहें परमेश्वरके बेटा छैं ते क्रूससे उतरिके या, आर अपने आपके बचा।”

41 ओहिने करिके प्रमुख पुजारीसब भी यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके आर यहूदी आदमीसिके अगुवासिके संगे मिलिके एरं कहिके एक दोसरसे ओकर मजाक उडैल्कै,

42 “यी आदमी दोसरके ते बचैल्कै, मगर देख्, खुदके बचाबे नैसकल्कै। यी आदमी जे इस्राएलीसिके ख्रीष्ट आर राजा छियै कहिके दाबी करैछै आब क्रूससे उतरिके आबक, ताकी हमेसब देखियै आर ओकरापर विश्वास करे सकियै।

43 यी परमेश्वरमे भरोसा राखैछै। परमेश्वर चाहैछै ते एखन एकरा छुटकारा दक, कहिनेकी यी, हमे परमेश्वरके बेटा छियै कहिके कहते रहै।”

44 अहिने करिके ओकरसंगे क्रूसमे काँटी ठोकिके टाँग्ल डकेतसब भी येशूके निन्दा कैल्कै।


येशूके मौत
( मर्कू १५:३३-४१ ; लूक २३:४४-४९ ; यूह १९:२८-३० )

45 तब बारह बजेसे तीन बजेतक पुरा देशमे अनहार भेलै।

46 तीन बजे महर येशू एरं कहिके बडका आवाज निकालीके चिकर्लै, “इलोई, इलोई, लामा सबखथनी?” यानिकी, “हे हमर परमेश्वर, हे हमर परमेश्वर, तुहें हमरा कथिले त्यागलह छे?”

47 ऊसब आदमीसिमेसे कुछु आदमीसब जे ओकर नज्दिकमे खडा रहै, ओकर आवाज सुनल्कै मगर ओकर बोल्ल बात नैबुझल्कै आर एक दोसरसे कहैल्कै, “यी आदमी परमेश्वरके वक्ता एलियाके स्वर्गसे आपन सहायताके लिए बोलाबैछै।”

48 ऊसब आदमीसिमेसे एकटा आदमी दौडिके गेलै, एकटा स्पन्ज लेल्कै आर एकरा कुछु खट्टा अंगुरके मद्दमे डुबैल्कै। उटा एकटा लाठीके उप्परमे जोडी देल्कै आर येशूके पियैले देल्कै।

49 मगर दोसर आदमीसब कहैल्कै, “रूक आर कुछु नैकर। हमरासिके देखना चाही कि परमेश्वरके वक्ता एलिया आबिके एकरा बचाबैछै कि?”

50 तब येशू फेर बडका आवाज निकालीके आपन जान त्यागल्कै।

51 तब उटा मोटका पर्दा जे परमेश्वरके मन्दिरमे लट्कैल रहै, जे सभैके परमेश्वरके उपस्थितिमे प्रवेश करैसे रोकते रहै, उप्परसे निच्चातक दी टुकरा भ्याके चिर्ल गेलै, आर जमिन हिले लाग्लै आर चट्टानसब फुट्लै।

52 सारासब उघर्लै आर मर्ल बहुते सन्तसिके मुर्दा शरीर जिन्दा भ्याके उठ्लै,

53 आर ऊसब सारासे बाहार निकल्लै, आर येशूके मुर्दासे जिन्दा भेलके बाद ऊसब पवित्र सहरमे प्रवेश कैल्कै आर बहुते आदमीसिके समनामे दिखाई पड्लै।

54 रोमी सिपाहीके कप्तान आर ओकरसंगे येशूपर पहरा दिएवाला सिपाहीसब भूकम्प आर ओत्ते भेल यी घटना देखिके बहुते डरी गेलै आर कहैल्कै, “यी सच छै, कि यी आदमी परमेश्वरके बेटा रहै।”

55 बहुते जनानीसब भी ओत्ते रहै, जेसब दूरसे यी सभे घटनाके देख्ते रहै। ऊसब गालील जिलासे येशूके संगे ओकर सेवा टहल कर्ते पाछु-पाछु ऐलै रहे

56 ओकरासिमेसे मरियम जे मग्देला सहरके रहै। मरियम छोटका याकूब आर योसेसके मयाँ रहै। जब्दियाके पतनी यानिकी याकूब आर यूहन्नाके मयाँ रहै।


येशूके दफन
( मर्कू १५:४२-४७ ; लूक २३:५०-५६ ; यूह १९:३८-४२ )

57 सझौवा भेलके बाद अरिमाथिया सहरमे रहेवाला योसेफ नामके एकटा मातबर आदमी ऐलै। ऊ भी येशूके चेला रहै।

58 ऊ रोमी राज्यपाल पिलातस कते गेलै आर येशूके लासके माँग कैल्कै ताकी ओकरा दफन करे सकै। आर राज्यपाल पिलातस ओकरा येशूके लास लजाबैके अनुमति देल्कै।

59 योसेफ येशूके लास लज्याके ओकरा मलमलके कपडा ल्याके लपेटल्कै,

60 उटा लासके आपन लिए चट्टानमे खोधिके बनैल दफ्नाबेवाला गुफामे राखी देल्कै, आर साराके गुफाके प्रवेशद्वारमे एकटा बडका गोल पत्थल गडक्याके राखिके ऊ ओत्ते चल गेलै।

61 मरियम जे मग्देला सहरके रहै आर दोसर मरियम भी साराके समनामे बैठ्ल रहै।


येशूके राख्ल सारामे पहरा

62 दोसर दिन, अर्थात यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिन, प्रमुख पुजारीसब आर फरिसी समूहके आदमीसब राज्यपाल पिलातस कते गेलै।

63 आर कहैल्कै, “हे सरकार! हमरासिके याद छै कि ऊ ठगाहा जिन्दा हैल बेरियाँ तेसर दिन हमे मरिके फेर जिन्दा हैबै कहिके कहैल्कै रहे।

64 सेल्याके तेसर दिनतक साराके ध्यानसे रखवाली करैके हुकुम दह। अगर तुहें एरं नै कर्भ ते ओकर चेलासब आबिके ओकर शरीर चोर्याके ल्याजैतै, आर येशू ते मुर्दासे जिन्दा भेलै कहिके आदमीसिके कहतै। तब उटा पाछुके धोखा, यानिकी येशूके मुर्दासे जिन्दा भेल बात, पहेलकरो धोखासे, यानिकी येशूके ख्रीष्ट हुऐके दाबी, से भी आरहौ खराब हैतै।”

65 ओरं भेलके बाद रोमी राज्यपाल पिलातस ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब कुछु सिपाहीसिके ल्याजो आर बढियाँसे साराके पहरा दियैले लगा।”

66 तब ऊसब गेलै आर साराके मुख बन्द करेवाला पत्थलमे मोहर लग्याके सुरक्षित बनैल्कै ताकी यी पत्थलके कोय एकर जगहसे नैहटाबै। फेर साराके सुरक्षा करैके लिए कुछु सिपाहीसिके पहरापर लग्या देल्कै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan