Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

मत्ती 26 - केवट नया कारार


येशूके मारैके षडयन्त्र
( मर्कू १४:१-२ ; लूक २२:१-२ ; यूह ११:४५-५३ )

1 येशू यी सभे बात बोल्लके बाद आपन चेलासिके कहैल्कै,

2 “तोरासिके मालुम छौ, ऐजके दी दिनके बाद निस्तार पावन ऐतै, तब हमे, आदमीके बेटा क्रूसमे काँटी ठोकिके मार्ल जै कहिके गिरफ्तार करवैल जैतै।”

3 उहे समय कैयाफा नामके प्रधान पुजारीके ऐगनमे प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी आदमीसिके अगुवासब सभामे जमा भेलै।

4 उटा सभामे ऊसब येशूके छल करिके पक्डीके जान मारैके सल्लाह कैल्कै।

5 मगर ऊसब कहैल्कै रहे, “निस्तार पावनके समयमे एरं नैकरना चाही, कहिनेकी एरं नैहै कि आदमीसब हुलदंगा करे लागै।”


येशूपर बहुमूल्य अत्तर ढारल्कै
( मर्कू १४:३-९ ; यूह १२:१-८ )

6 यी समयमे येशू बेथानियाँ गाँवमे सिमोनके घरमे रहै, जकरा पहेला कुष्ठरोग रहै, जब येशू ओत्ते बैठ्ल रहै।

7 एकटा जनानी संगमरमर पत्थलसे बन्ल एकटा बोतल ल्याके ऐलै, जकरामे गमकौव्वा तेल भर्ल रहै। तेल बहुते महँगा रहै, कहिनेकी यी शुद्ध जटामसीके रहै। ऊ बोतलके ठेपी खोलल्कै, ताकी ऊ ओकरा सम्मान दियैके लिए येशूके मथामे सभेटा तेल ढारल्कै।

8 यी देखिके चेलासिके गोस्सा उठ्लै, आर ऊसब कहैल्कै, “ऊ एरंको महँगा गमकौव्वा तेलके कथिले बर्बाद कैल्कै?

9 एकरा एक सालसे बेसीके रोजीमे बेचे सक्तियै।” आर गरिबसिके देतियै ते हैतियै,

10 मगर ओकरसिके एरंको बात सुनिके येशू ओकरासिके कहैल्कै, “ओकरा धोपैले बन्द कर, ओकरा परेशान नैकर। हमरापर ओकर तेल ढारना एकटा बढियाँ बात छै।

11 कहिनेकी गरिबसब तोरसिके संगे सभे दिन रहतौ। मगर हमे तोरसिके संगे सभे दिन नैरहबौ।

12 यी जनानी हमर मथामे गमकौव्वा तेल ढारल्कै छे, ताकी हमर शरीरके दफ्नाबैके लिए तैय्यार कैल ज्या सकै। खाली इहे ओकर लिए सक्षम रहै।

13 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, सारा संसारमे जते जते यी खुश-खबरी प्रचार कैल जैतै, ऊसब यी भी बतैतै कि यी जनानी कि कैल्कै छे, आर आदमीसब एकरा याद कर्तै।”


यहूदा स्करियोतके विश्वासघात
( मर्कू १४:१०-११ ; लूक २२:३-६ )

14 तब यहूदा स्करियोत जे बारहटा चेलासिमेसे एकटा रहै, प्रमुख पुजारीसिके लगत गेलै

15 आर कहैल्कै, “अगर हमे येशूके तोरसिके हातमे गिरफ्तार कर्या देभौं ते, हमरा कि देभ?” तब ऊसब ओकरा यी कामके लिए चानीके तीसटा सिक्का देल्कै।

16 तब यहूदा स्करियोत सही मौकाके इन्तजार करे लाग्लै ताकी येशूके यहूदी अगुवासिके द्वारा गिरफ्तार करैल ज्या सकै।


अन्तिम भोज
( मर्कू १४:१२-२६ ; लूक २२:७-२३ ; यूह १३:२१-३० ; १ कोर ११:२३-२५ )

17 कुछु समयके बाद अखमिरी रोटीके पावनके पहेला दिन चेलासब येशू लगत आबिके पुछल्कै, “तुहें हमरासिके कते भेजे चाहैछ कि हमेसब निस्तार पावनके भोजके लिए भोजन तैय्यार करियै ताकी अपनासब ख्या सकियै?”

18 येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “सहरमे एकटा विशेष आदमीके लगत जो आर ओकरा कहैं, गुरुजी एरं कहैल्कहौं छे, ‘हमर समय नज्दिक ऐल छै। हमे आपन चेलासिके संगे तोर घरमे निस्तार पावनके भोज खैले चाहैछियौ।’ ”

19 तब येशूके आदेशके मुताबिक चेलासब कैल्कै आर ऊसब निस्तार पावनके भोजके लिए भोजन तैय्यार कैल्कै।

20 सझौवा ऊ बारहो चेलासिके संगे खैले बैठ्लै।

21 जब सभेको खैते रहै येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तोरसिमेसे हमरसंगे ख्यावाला एकझन हमरा गिरफ्तार करैके लिए हमर दुश्मनसिके सहायता कर्तै।”

22 जब ऊसब यी शब्द सुनल्कै, तब ओकरासिके बहुते दुःख भेलै, तब एक-एक करिके, “कि ऊ हमे छियै?” कहिके ओकरा पुछे लाग्लै।

23 तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “जे एखन हमरसंगे थारीमे रोटी खैछै, उहे हमरा हमर दुश्मनसिके हातमे गिरफ्तार करैमे सहायता कर्तै।

24 हमे, आदमीके बेटा धरमशास्त्रमे लिख्ल बमोजिम मर्बै, मगर हमरा गिरफ्तार करवाबैले हमर दुश्मनसिके सहायता करेवालाके बहुते खतरनाक सजाय मिल्तै। ऊ आदमीके ते जनमे नैहैतियै ते बढियाँ हैतियै।”

25 तब येशूके गिरफ्तार कराबेवाला यहूदा स्करियोत कहैल्कै, “गुरुजी, कि ऊ हमे छियै?” येशू ओकरा कहैल्कै, “से ते तुहें आपनहैं कहैछैं।”

26 तब खैबेरियाँ येशू रोटी ल्याके परमेश्वरके धन्यवाद देल्कै आर टुकरा कैल्कै आर चेलासिके द्याके कहैल्कै, “ले आर खो, यी हमर शरीर छै।”

27 तब ऊ अंगुरके मद्दके बाटी लेल्कै आर परमेश्वरके धन्यवाद द्याके आपन चेलासिके देते कहैल्कै, “यी तुहेंसब सभेको पी।

28 कहिनेकी यी हमर ऊ खून छै जे परमेश्वर आर आदमीके बीचमे नया करार स्थापित करैछै। यी हमर खून बहुते आदमीसिके ओकरसिके पापसिके माफी दिलाबैके लिए बहैल जैतै।

29 मगर हमे तोरासिके कहैछियौ, एकरबाद हमे अंगुरके मद्दसे ऊ दिनतक नैपिबै, जबतक आपन पिताके राज्यमे नया अंगुरके मद्द तोरसिके संगे नैपिबै।”

30 तब येशू आर ओकर चेलासब निस्तारके एकटा भजन गाबिके यरूशलेम सहरमहर गेलै आर लग्हैके जैतुन पहाडमे गेलै।


पत्रुसके इन्कारके विषयमे येशूके भविष्यवाणी
( मर्कू १४:२७-३१ ; लूक २२:३१-३४ ; यूह १३:३६-३८ )

31 तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “ऐज राती हमर कारणसे तुहेंसब पाछु हट्भैं। कहिनेकी एरं लिख्ल छै, ‘हमे चरवाहाके प्रहार कर्बै आर बथानके भेंडासब चारो महर तितर बितर हैतै।’

32 मगर हमे मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठिके तोरसिसे पहेला हमे गालील जिलामे जैबौ आर तोरसिसे भेट कर्बौ।”

33 पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “सभेको छोडिके भाग्तै मगर हमे तोरा छोडिके कहियो नैभाग्भौं।”

34 येशू ओकरा कहैल्कै, “सच्चे, हमे तोरासिके कहैछियौ, ऐजे राती मुर्गा ऐजान दियैसे पहेला तुहें हमरा तीनबेर कहभैं कि हमे तोरा नैचिन्हैछिहौं।”

35 पत्रुस ओकरा जबाब देल्कै, “अगर हमरा तोरसंगे मरे भी पड्तै, तैयोपर हमे कहियो नैकहभौं कि हमे तोरा नैचिन्हैछियौं।” अहिने करिके दोसर चेलासब भी इहे बात बोल्लै।


गेतसमनीके बगीचामे येशूके प्रार्थना
( मर्कू १४:३२-४२ ; लूक २२:२९-४६ )

36 तकरबाद येशू आर ओकर चेलासब गेतसमनी बगिच्चामे गेलै, आर ऊ आपन चेलासिके कहैल्कै, “हमे कनेजरा आगु जैके जबतक परमेश्वरसे प्रार्थना करैछियै तुहेंसब एथै बैठ।”

37 तब ऊ आपन संगमे पत्रुस आर जब्दियाके दीटा बेटासिके ल्यागेलै आर ऊ बहुते उदास आर व्याकुल हुए लाग्लै।

38 तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमर जान एतनें व्याकुल छै कि लागैछै हमर मौत हैछै। तुहेंसब एथै बैठ, आर हमरसंगे जग्गा र।”

39 तब येशू कने दूर जैके भुइयाँमे गिरिके परमेश्वरसे एरं कहिके प्रार्थना कैल्कै, “हे हमर पिता, अगर तोर योजनामे यी सम्भव छै ते, यी पिडा जे हमरापर आबेवाला छै हट्या द्या, यी पिडाके हमरापर नैआबैले दह, तैयोपर हमर इच्छा कैल जुगुर नै, तोर इच्छा कैल जुगुर कर।”

40 जब येशू वापस ऐलै तीनटा चेलासिके सुत्ल देखल्कै। ऊ पत्रुसके कहैल्कै, “तुहेंसब सुत्ल छैं? कि एक्को घण्टा हमरसंगे जग्गा नैरहे सक्लहैं?

41 तुहेंसब जग्गा र, प्रार्थना कर ताकी तुहेंसब परीक्षामे नैपड। तोर ह्रदय, हमे जे कहैछियौ से करैले ते सच्चे तैय्यार छौ, मगर तोर शरीर कमजोर छौ।”

42 फेर दोसर बेर जैके येशू एरं कहिके प्रार्थना कैल्कै, “हे हमर पिता, यी पिडा जे हमरापर आबेवाला छै यी हमरा सहै पड्तै ते तैयोपर हमर इच्छा कैल जुगुर नै, तोर इच्छा कैल जुगुर हौं”

43 येशू फेर ओकरसिके लगत ऐलै ओकरासिके सुत्ल देखल्कै, कहिनेकी ओकरसिके आँख निनबास्ल रहै।

44 सेल्याके ऊ ओकरासिके ओथै छोडिके, फेर जैके उहे शब्द दोहर्याके तेसर बेर प्रार्थना कैल्कै।

45 तब ऊ चेलासिके आबिके कहैल्कै, “तुहेंसब आरहौ सुतैछैं आर आराम करैछैं? देख, हमर लिए समय ऐल छै। हमे, आदमीके बेटा पापीसिके हातमे पक्डा पडेवाला छियै।

46 उठ्, चल। देख, हमरा पकडवाबैले सहायता करेवाला लग्हैमे छै।”


येशूके गिरफ्तारी
( मर्कू १४:४३-५० ; लूक २२:४७-५३ ; यूह १८:३-१२ )

47 जब येशू बोल्तहैं रहै, बारह चेलासिमेसे एकटा यहूदा स्करियोत अचानक ओत्ते ऐलै। प्रमुख पुजारीसब, यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर यहूदी आदमीसिके अगुवासिके द्वारा भेज्ल एकटा बडका दल तलवार आर लाठी ल्याके ओकरसंगे ओत्ते ऐलै।

48 यहूदा स्करियोत, जे येशूके पकडवाबैले सहायता कर्ते रहै, भीडके एरंको एकटा इशारा देल्कै रहे, “जकरा हमे प्रणाम गुरुजी कहिके अभिवादन कर्बौ ऊ आदमी उहे छौ, ओकरा पकड।”

49 तब सिधे येशू लगत जैके यहूदा स्करियोत कहैल्कै, “हे गुरुजी आर ओकरा चुम्मा लेल्कै।”

50 येशू ओकरा कहैल्कै, “हे दोस्त! तुहें जे करैले ऐल्हैं छे, ऊ क्याले।” तब ऊसब आगु आबिके येशूके गिरफ्तार कैल्कै।

51 यी देखिके येशूके एकटा चेला आपन तलवार निकालीके प्रधान पुजारीके नोकरके हमला कैल्कै आर ओकर कान काटी देल्कै।

52 मगर येशू ओकरा कहैल्कै, “तोर खुकरीके दूर कर। कहिनेकी खुकरी चलाबेवालासब सभेको खुकरीसे ही नाश कैल जैतै।

53 तुहें कि सोचैछैं, कि हमे आपन पिताके बिन्ती करे नैसक्बै आर ऊ स्वर्गदूतसिके बारह पल्टनसे बेसी सेना नैभेजी देतै?

54 मगर ओरं हैतै ते यी बात एरंके हुए पड्तै कहिके धरमशास्त्रमे लिख्ल बात केरंके पुरा हैतै?”

55 तकरबाद येशू अपने आपके गिरफ्तार करैले ऐल आदमीसिके भीडके कहैल्कै, “कि तुहेंसब एकटा डकेतके पक्डैके जुगुर हमरा गिरफ्तार करैले खुकरी आर लाठी ल्याके ऐल्हैं छे? सभे दिन हमे तोरासिके परमेश्वरके मन्दिरमे सिखैते रहियै, मगर तुहेंसब हमरा गिरफ्तार नैकैल्हैं।

56 मगर यीसब सेल्याके भेलै कि धरमशास्त्रमे परमेश्वरके वक्ताद्वारा लिख्ल बात पुरा है।” तब सभे चेलासब ओकरा छोडिके भाग्लै।


महासभामे येशूके पुछ-ताछ
( मर्कू १४:५३-६५ ; लूक २२:५४-५५ , ६३-७१ ; यूह १८:१३-१४ , १९-२४ )

57 तब ऊसब येशूके प्रधान पुजारी कैयाफाके घरमे ल्यागेलै, आर ओत्ते सभे प्रमुख पुजारीसब, यहूदी आदमीसिके अगुवासब, आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब ओत्ते जमा भेलै रहे।

58 पत्रुस दुर्हैसे प्रधान पुजारीके घरमे ऐगनके भितरमे ओकर पाछु-पाछु गेलै, आर ओत्ते कि हैतै कहिके देखैले ऊ भितर जैके पहरदारसिके संगे बैठ्लै।

59 तब प्रमुख पुजारी आर सभेटा महासभाके आदमीसब येशूके मृत्युदण्ड दियैले ओकर विरुद्धमे झुट्ठा गवाही खोजे लाग्लै।

60 बहुते झुट्ठा गवाही दिएवाला आदमीसब आबिके ओकरा दोष लगैल्कै, मगर ऊसब कोनो सबूत नैपैल्कै। अन्तमे दीटा आदमी आगु आबिके कहैल्कै,

61 “यी आदमी कहैल्कै, ‘हमे परमेश्वरके मन्दिरके तोडीके तीन दिनमे फेर बन्या देबै।’ ”

62 तब प्रधान पुजारी उठिके येशूके पुछल्कै, “तुहें कहिने जबाब नैदैछैं? तोर विरुद्धमे यी आदमीसिके देल गवाहीके विषयमे तोरा कुछु कहेना नैछौ?”

63 मगर येशू चुपचाप रहलै। फेर प्रधान पुजारी ओकरा कहैल्कै, “जिन्दा परमेश्वरके नाममे कसम खैके हमरासिके बता, कि तुहें परमेश्वरके बेटा ख्रीष्ट छैं?”

64 येशू ओकरा जबाब देल्कै, “से बात ते तुहें आपनहैं कहैछ आर हमे तोरासिके कहैछिहौं आब तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके परमेश्वरके दहिना हातके बगल शक्तिके स्थानमे बैठ्ल, आर तुहेंसब हमरा बादलसे घेर्ल स्वर्गसे ऐते देख्भैं।”

65 जब प्रधान पुजारी येशूके बात सुनल्कै तब ऊ आपन कपडा गोस्सासे चिरिके कहैल्कै, “हमरासिके दोसर साक्षीके कोनो जरुरी नैछै। तुहेंसब ईश्वर निन्दा ते सुन्बे कैल्हैं।

66 तोरसिके कि विचार छौं?” तब सभाके सभे सदस्यसब सहमत भेलै कि येशू दोषी छै आर मृत्युदण्डके योग्य छै कहिके ठहरैल्कै।

67 तब ऊसब येशूके मुखमे थुकिके ओकरा मुक्का मैल्कै, आर कोय-कोय एरं कहिके थप्पड मैल्कै,

68 “ले बोल, हे ख्रीष्ट आर परमेश्वरके वक्ता तोरा मारेवाला के छौ?”


पत्रुस येशूके इन्कार कैल्कै
( मर्कू १४:६६-७२ ; लूक २२:५६-६२ ; यूह १८:१५-१८ , २५-२७ )

69 पत्रुस उटा समयमे बाहार ऐगनमे बैठ्ल रहै। तखनी एकटा नोकर्नी ओकरलगत आबिके कहैल्कै, “तहुँ ते गालील जिलाके रहेवाला येशूके संगे रहै।”

70 मगर पत्रुस ओकरसिके सभैके समनामे इन्कार कर्ते कहैल्कै, “तुहें कि बोलैछैं, हमरा कुछु समझमे नैआबैछौ।”

71 यी बात कहिके पत्रुस ओत्तेसे निक्लीके ऐगनसे बाहार दुआरीपर चल गेलै। तब एकटा दोसर नौकरानी ओकरा देखिके ओत्ते खडा भेल आदमीसिके कहैल्कै, “यी आदमी नासरत गाँवके येशूके संगे रहै।”

72 ऊ फेर कसम खैके इन्कार कैल्कै, “हमे यी आदमीके नैचिन्हैछियै।”

73 कनेबेरके बाद ओत्ते हैल आदमीसब भी पत्रुसके नज्दिकमे आबिके कहैल्कै, “सच्चे, तुहें भी ओकरसंगे रहैं, तोर बोलियेसे मालुम हैछै।”

74 तब पत्रुस अपने आपके सराप देल्कै आर कहे लाग्लै, “हमे कसम खैके सच बोलैछियै कि जकर विषयमे तुहेंसब कहैछैं ऊ आदमीके हमे नैचिन्हैछियै।” तब तुरन्ते मुर्गा ऐजान देल्कै।

75 तब पत्रुसके येशूके कहेल बात याद ऐलै, “मुर्गा ऐजान दियैसे पहेला तुहें हमरा तीनबेर इन्कार कर्भैं।” तब ऊ बाहार जैके जोर जोरसे काने लाग्लै कहिनेकी ऊ दुखित भेलै रहे कि ऊ येशूके नैचिन्हैछियै कहिके कहैल्कै रहे।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan