Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

मत्ती 18 - केवट नया कारार


स्वर्गके राज्यमे सभैसे महान के छै?
( मर्कू ९:३३-३७ ; लूक ९:४६-४८ )

1 उहे समय चेलासब आबिके येशूके पुछल्कै, “परमेश्वरके राज्यमे सभैसे महान के छै?”

2 तब येशूके बगलमे एकटा बच्चा खडा रहै। उटा बच्चाके येशू आपन कोरामे लेल्कै,

3 आर कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, परमेश्वर आपन राज्यमे खाली ऊसब आदमीके स्वीकार कर्तै जे मन परिवर्तन करिके परमेश्वरके शासनके एकटा बच्चाके जुगुर स्वीकार कर्तै।

4 जे यी बच्चाके जुगुर अपने आपके नम्र बनैतै, उहे स्वर्गके राज्यमे महान हैतै।

5 जे हमर नाममे एकटा एरंको बच्चाके स्वागत करैछै, ऊ हमरा स्वागत करैछै।


पापमे फसाबेवाला बातसब

6 अगर कोय ऊ आदमीके जे हमरापर विश्वास करैछै, ओकर विश्वासमे ठोकरके कारण बनैछै, भला ही ऊ यी बच्चाके जुगुर है, यी ओकर लिए बढियाँ हैतै कि ओकर गल्लामे एकटा भारी पत्थल बान्हल जै आर ओकरा डुबैके लिए समुन्दरमे फेकि देल जै।

7 पाप करे लगाबेवाला परीक्षाके लिए यी संसारके भयानक हैतै! पाप करे लगाबेवाला परीक्षा ते ऐबे कर्तै, मगर भयानक हैतै ऊ आदमीके जकरद्वारा पाप करे लगाबेवाला परीक्षा आबैछै।

8 पाप करैके सभे कारणके दूर कर आर निकाल! एकरा पुरा तरिकासे अस्वीकार कर जेरं कि तुहें एकटा हात या एकटा पैर काटैछैं, जे तोर पाप करैके कारण बनैछौ। अगर तुहें स्वर्गमे जैछैं, भला ही तोरलगत खाली एकटा हात या एकटा पैर हौ, उटा बढियाँ छै। मगर तोरलगत दीटा हात आर दीटा पैर छौ आर तुहें कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जैछैं ते, यी खराब छै।

9 अहिने करिके, अगर तुहें पाप करैके लिए आपन आँखीके उपयोग करैके सोचमे छैं ते, ओकरा बाहार निकाली दहैं। एकटा आँख ल्याके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करना कठिन लागे सकैछै, मगर दोनोटा आँख राखना आर नरकमे प्रवेश करना बहुते खराब छै।”


भटकिके गेल भेंडाके खिसा
( लूक १५:३-७ )

10 “होशियार र! तुहेंसब यी छोटका बच्चासिके जुगुर नम्र बनेवालासिमेसे एक्कोटाके भी तिरस्कार नैकर। कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ, ओकरसिके देखभाल करेवाला स्वर्गदूतसब स्वर्गमे रहेवाला हमर परमेश्वर पिताके उपस्थितिमे हरदम छै।

11 कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा हेरैलसिके बचाबैले ऐलियै छे।

12 तुहेंसब कि सोचैछैं? यदि ककरो लगत एक स भेंडा छै आर ओकरामेसे एकटा भेंडा हेर्या जैतै ते कि ऊ आपन निनानब्बेटा भेंडाके पहाडपर छोडिके हेरैल भेंडाके खोजैले पहाड महर नैजैतै?

13 अगर ऊ आदमी उटा भेंडाके पैतै ते, हमे तोरासिके सच कहैछियौ, उटा नैहेरैल निनानब्बेटा भेंडा आपन संगमे हुऐसे बेसी हेरैल एकटा भेंडा पाबैके कारणसे ऊ बेसी खुशी हैतै।

14 ठीक अहिने करिके स्वर्गमे भेल तोरसिके परमेश्वर पिताके यी इच्छा छै, कि यी छोटका बच्चासिमेसे एकझन भी नाश नैहै।”


अपराध करेवाला भ्याके संगे व्यवहार
( लूक १७:३ )

15 “यदि तोर विश्वासी भ्या-बहिन तोर विरुद्धमे पाप कैल्कौ छे ते ओकरा असकल्लेमे सम्झा। अगर ऊ तोर बात सुनैछौ आर पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैछै ते तुहें आपन विश्वासी भ्या-बहिनके जिती लेल्हैं छे।

16 मगर ऊ तोर बात नैसुनल्कौ ते आपन संगमे आरहौ एकझन या दी झनके लज्याके सम्झा। कहिनेकी मूसाके विधि-विधानमे लिख्ल छै, ‘सभे आरोपके दी झन या ओकरासे बेसी साक्षीके द्वारा सही साबित कैल जाना चाही।’

17 अगर ऊ ओकरोसिके बात भी सुनैले इन्कार करैछै ते, मण्डलीके क। ऊ आदमी मण्डलीके भी बात सुनैले इन्कार करैछै ते, ओकरसंगे ओहिने व्यवहार कर जेरं तुहें कोनो गैर-यहूदी आदमी या कर उठाबेवाला आदमीसंगे करैछैं।

18 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तुहेंसब धर्तीमे जे बान्भैं, ऊ स्वर्गमे बान्हल जैतौ। आर तुहेंसब धर्तीमे जे खोल्भैं, ऊ स्वर्गमे खोल्ल जैतौ।

19 फेर हमे तोरासिके कहैछियौ, यी धर्तीमे तुहेंसब दी झन कोनो बातमे सहमत भ्याके कुछु माँग्भैं ते, उटा चीज स्वर्गमे रहेवाला तोरसिके परमेश्वर पिता तोरा देतौ।

20 कहिनेकी जते दी या तीन झन हमर चेला हुऐके कारणसे एक जगहमे जमा हैछै, ओत्ते हमे ओकरसिके बीचमे हैबै।”


माफी नैदिएवाला नोकरके खिसा

21 तब पत्रुस येशू लगत आबिके पुछल्कै, “हे प्रभु, हमर विश्वासी भ्या-बहिन हमर विरुद्धमे पाप कर्ते रहतै ते हमे ओकरा कतनें बेर माफी दियै? कि सातबेर तक?”

22 येशू ओकरा कहैल्कै, “हमे तोरा कहैछियौ, सातबेर खाली नै मगर सत्तर गुणा सातबेर तोरा ओकरा माफ करि देना चाही।

23 कहिनेकी परमेश्वरके राज्य यी खिसाके जेरं छै: कोनो एकटा राजा रहै जे आपन नोकरसिसे हिसाब-किताब लियैके इच्छा कैल्कै।

24 जब ऊ हिसाब लिए लाग्लै, सोनाके सिक्कावाला दश हजारटा झोला कर्जा लिएवालाके आन्ल गेलै।

25 मगर ऊ आदमी कर्जा तिरे नैसकैके कारणसे राजा ओकरा अपने आपके, ओकर पतनीके, ओकर बेटा-बेटीके आर आपन सभे चीज बेचिके कर्जा चुकाबैले हुकुम देल्कै।

26 तब ऊ नोकर घुटुवा पारिके ओकर पैरीमे गिरिके कहे लाग्लै, ‘राजा, हमरापर धीरज कर, कुछु दिनमे हमे तोर सभे कर्जा एक-एक करिके चुकैभौं।’

27 तब राजा ऊ नोकरपर दया करिके छोडी देल्कै आर ओकर सभे कर्जा माफ करिदेल्कै।

28 मगर ऊ नोकर जब ओत्तेसे जैते रहै, ओकर आपन संगी नोकरमेसे एकटासे भेट भेलै, जे ओकर एक स चानीके सिक्का कर्जा लेल्कै रहे। ऊ संगी नोकरके ठोठ पक्डीके कहैल्कै, ‘तोर कर्जा चुका।’

29 तब ऊ संगी नोकर घुटुवा पारिके ओकर पैरीमे गिरिके कहे लाग्लै, ‘हमरापर धीरज कर, कुछु दिनमे हमे तोर सभे कर्जा एक-एक करिके चुकैभौं।’

30 मगर ऊ नैमानल्कै, आर जबतक कर्जा नैचुकैल्कै तबतक संगी नोकरके कैदमे ध्या देल्कै।

31 ओकर संगी नोकरसब यी सभे बात देखल्कै आर ऊसब बहुते दुःखित भेलै। ऊसब जैके यी सभे घटना राजाके बत्या देल्कै।

32 तब राजा ऊ कर्जा माफी पैल नोकरके आपन लगत बोल्याके कहैल्कै, ‘हे दुष्ट नोकर, तुहें हमरासे दयाके भीख माँग्लहैं, आर हमे तोर सभे कर्जा माफ करिदेलियौ।

33 हमे जेरंके तोरपर दया कैलियौ आर तोर सभे कर्जा माफ करिदेलियौ, ओहिने करिके तोरा तोर संगी नोकरपर भी दया करना रहौ आर ओकर सभे कर्जा माफ करि देना रहौ।’

34 तब राजा गोस्याके ओकरा एक-एक कर्जा नैचुकाबै तक जेलमे ध्या देल्कै जते ओकरा बहुते यातना देल जैतै।

35 तुहेंसब आपन विश्वासी भ्या-बहिनके आपन हृदयसे माफ नैकर्भैं ते, स्वर्गमे हुएवाला हमर परमेश्वर पिता भी तोरासिके माफ नैकर्तौ।”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan