Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

मत्ती 17 - केवट नया कारार


येशूके रुप परिवर्तन
( मर्कू ९:२-१३ ; लूक ९:२८-३६ )

1 एकर छ दिनके बाद येशू पत्रुस, याकूब आर ओकर भ्या यूहन्नाके आपनसंगे ल्याके एकटा उच्च पहाडमे चढ्लै।

2 जब ऊसब देखल्कै अचानक परमेश्वर येशूके रुप बदली देल्कै। ओकर चेहरा सुरुजके जुगुर चम्के लाग्लै,

3 आर ओकर कपडा उजेतके जुगुर उजरा भेलै। एलिया आर मूसा प्रकट भेलै, आर ऊसब येशूसंगे बातचित कर्ते रहै।

4 पत्रुस येशूके कहैल्कै, “गुरुजी, अपनासब एत्ते आबिके बढियाँ अच्छा कैलियै। तोर इच्छा हुए ते हमे एत्ते तीनटा परमेश्वरके बास-स्थान बनैबै, एकटा तोर लिए, एकटा मूसाके लिए, आर एकटा एलियाके लिए!”

5 पत्रुस बोल्तहैं रहै, तब चमक्ल बादल ओकरासिके झाँपल्कै, आर उटा बादलसे परमेश्वर बोल्लै, “तुहें हमर प्यारा बेटा छैं, तोरासे हमे बहुते खुश छियौ, तुहेंसब एकर बात सुन।”

6 जब चेलासब यी सुनल्कै, तब ऊसब खुबे भयभीत भ्याके सजाय प्रणाम कैल्कै।

7 मगर येशू आबिके ओकरासिके छुबिके कहैल्कै, “उठ्, नैडर।”

8 जब ऊसब आपन आँख उठैल्कै ते, ऊसब खाली येशूके देखल्कै।

9 येशू आर ओकर तीनटा चेलासब पहाडसे निच्चा उतरै बखत येशू ओकरासिके आज्ञा देल्कै, “हमे, आदमीके बेटा मुर्दासे जिन्दा हुऐतक तुहेंसब यी दर्शन जे तुहेंसब देख्लहैं छे, कक्रहौ नैकहिहैं।”

10 तब चेलासब ओकरा एरं कहिके पुछल्कै, “यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके यी कहना नैछै कि, एलियाके ख्रीष्टके आबैसे पहेला आबे पड्तै?”

11 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “यी सच छै कि परमेश्वर एलियाके भेजैके वादा कैल्कै रहे कि ऊ सभे कुछु सही करैले आबिजै।

12 मगर हमे तोरासिके कहैछियौ, एलिया पहलहै आबी गेलै छे, आर आदमीसब ओकरा नैचिन्हल्कै, मगर आपनसिके अगुवासब ओकरसंगे बहुते खराब व्यवहार कैल्कै। ओहिने करिके हमे, आदमीके बेटा बहुते दुःख सहबै आर आदमीसब हमरा अस्वीकार कर्तै।”

13 तब ऊ बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके विषयमे ओकरासिके कहैछै कहिके चेलासब बुझल्कै।


मिर्गी रोग लाग्ल बच्चाके चंगाई
( मर्कू ९:१४-२९ ; लूक ९:३७-४३ )

14 येशू आर ओकर चेलासब आदमीसिके भीड भेल जगहमे ऐलके बाद एकटा आदमी ओकरलगत जैके पैरीमे गोड लागिके कहैल्कै,

15 “प्रभु हमर बेटापर दया कर, कहिनेकी ओकरा मिर्गी रोग लाग्ल छै, आर बडका कष्ट भोगैछै। ऊ घुरी-घुरी मुर्छा पडैछै आर आगिन या पानीमे गिर्ते रहैछै।

16 हमे ओकरा तोर चेलासिके लगत आन्लिहौं, मगर ऊसब एकरा ठीक करे नैसकल्कहौं।”

17 तब येशू कहैल्कै, “हे अविश्वासी आर भ्रष्ट पिढीके आदमीसब, हमे कहियातक तोरसिकेलगत रहबौ? तोरासिके कतनें सहियौ? ऊ लडकाके हमरलगत आन।”

18 तब येशू भूतके धोपल्कै, आर भूत ऊ लडकासे निक्लीके गेलै। ऊ लडका तुरन्ते ठीक भ्यागेलै।

19 तब चेलासब येशूके एकान्तमे पुछल्कै, “हमेसब ऊ लडकासे कहिने भूत नैनिकाले सक्लियै?”

20 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “यी तोरसिके विश्वास कम हुऐके कारणसे छौ। हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तोरासिमे अगर एकटा रायके दानाके जतनें विश्वास छौ ते, यी पहाडके एत्तेसे हटिजो कहभैं ते यी हटिजैतौ। आर तोरसिके लिए सभे कुछु सम्भव हैतौ

21 तैय्योपर एरंको भूत प्रार्थना आर उपास बिना नैनिकल्तौ।”


आपन मौतके विषयमे येशूके दोबारा भविष्यवाणी
( मर्कू ९:३०-३२ ; लूक ९:४३-४५ )

22 जब येशू आर ओकर चेलासब गालील जिलामे रहै, तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “जल्दी ही कोय, हमे, आदमीके बेटाके दुश्मनके हातमे पक्ड्या देतै;

23 ऊसब हमर जान मार्तै मगर तेसर दिन जब हमरा मार्ल जैतै, हमे फेर जिन्दा हैबै।” यी बात सुनिके चेलासब बहुते उदास भेलै।


परमेश्वरके मन्दिरके कर

24 जब ऊसब कफर्नहुम गाँवमे ऐलै, मन्दिरके कर उठाबेवालासब पत्रुसके आबिके कहैल्कै, “कि तोरसिके गुरु कर नैतिरैछौ?”

25 ऊ कहैल्कै, “हौं, ऊ कर तिरैछै।” पत्रुस घरमे ऐलके बाद येशू ओकरा कहैल्कै, “सिमोन तोर कि विचार छौ? धर्तीके राजासब कर या महसुल ककरसे उठाबैछै? आपन बेटासिसे कि दोसरसिसे?”

26 पत्रुस जबाब देल्कै, “दोसरसिसे उठाबैछै।” येशू ओकरा कहैल्कै, “ओरं छै ते बेटासिके छुट मिल्ल छै।

27 मगर ओकरासिके आपनसिसे चिढ नैलागै कहिके समुन्दरमे जैके बन्सी फेक, आर पहेला पड्ल माछ आन। ओकर मुख जब तुहें खोल्भैं ते तोरा एकटा चानीके सिक्का मिल्तौ। उटा लज्याके तोर आर हमर लिए ओकरासिके दहैं।”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan