मत्ती 16 - केवट नया कारारस्वर्गसे एकटा चिन्ह देखाबैके माँग ( मर्कू ८:११-१३ ; लूक १२:५४-५६ ) 1 कुछु फरिसी समूहके आदमीसब आर सदुकी समूहके आदमीसब मिलिके येशूके फसाबैले चहते रहै सेल्याके ऊसब कहैल्कै, “यदि परमेश्वर तोरा आपन अधिकार देल्कहौं छे ते हमरासिके स्वर्गसे ऐल एकटा चमत्कार देखाब।” 2 मगर येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “सझौवा भेलके बाद जब तुहेंसब आकाशके लाल भेल देखैछैं ते, कहैछैं ‘क्याल मौसम बढियाँ हैतै।’ 3 आर भरौवा जब आकाश लाल आर मेघसे झाँप्ल देखैछैं ते तुहेंसब कहैछैं, ‘ऐज अन्हर-तूफान ऐतै।’ तुहेंसब आकाशके लक्षणके परखैले ते जानैछैं, मगर ऐज-क्यालके समयमे तोरसिके समनामे जे हैछौ, यीसब कोन बातके लक्षण छै ओकरा तुहेंसब नैचिन्हे सकैछैं। 4 ऐज-क्यालके आदमीसब कतनें खराब आर व्यबिचारी छै! यी आदमीसब शक्तिशाली चमत्कार देखैले चाहैछै, मगर परमेश्वरके वक्ता योनाके चिन्हके सिवाय यी आदमीसब आर कोनो चमत्कार देखैले नैपैतै। तब येशू ओकरासिके छोडिके ओत्तेसे चल गेलै।” फरिसी आर सदुकी समूहके आदमीसिके खमीर ( मर्कू ८:१४-२१ ) 5 ओकर चेलासब समुन्दरके उपार पुगैके बख्तियाँ ऊसब आपन संगमे रोटी आनैले बिर्सी गेलै। 6 तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब फरिसी समूहके आदमीके खमीर आर सदुकी समूहके आदमीके खमीरसे होशियार र।” 7 ऊसब एक दोसरसे बात करिके कहे लाग्लै, “ऊ सेल्याके कहैछै कहिनेकी आपनसिके लगत सभैके खातिर पुगेवाला रोटी नैछै।” 8 येशू यी बात जानीके चेलासिके कहैल्कै, “हे अल्पविश्वासीसब! तुहेंसब कथिले आपसमे बहस करैछैं कि हमरसिके लगत रोटी नैछै? कहिने तुहेंसब हमरापर विश्वास करैले नैसकैछैं? 9 तुहेंसब एखनिहौं भी नैबुझैछैं? कि तोरसिके आँख अनरह आर कान बहिर छौ? कि तोरासिके याद नैछौ? जब हमे ऊ पाँच हजार आदमीसिके पाँचटा छोटका रोटीसे खिलैलियै ते, तुहेंसब क्या ढाकी उगर्ल रोटीके टुकरासब जमा कैल्हैं रहे? 10 आर जब चार हजार आदमीसिके लिए सातटा रोटी तोड्लियै रहे, तब क्या ढाकी टुकरा-टुकरीसब तुहेंसब उठैलहैं रहे? 11 हमे तोरासिके रोटीके विषयमे नैकहैलियौ छे कहिके कथिले नैबुझैछैं? हमे ते तोरासिके फरिसी समूहके आदमी आर सदुकी समूहके आदमीसिके खमीरसे होशियार र कहिके कहैलियौ छे।” 12 तब ऊसब बुझल्कै, रोटीके खमीरसे नै मगर फरिसी समूहके आदमी आर सदुकी समूहके आदमीसिके शिक्षासे होशियार रहैले कहैल्कै रहे। पत्रुस येशूके ख्रीष्ट कहिके स्वीकारैछै ( मर्कू ८:२७-३० ; लूक ९:१८-२१ ) 13 येशू कैसरिया-फिलिप्पी सहरके इलाकामे ऐलके बाद, ऊ आपन चेलासिके पुछल्कै, “आदमीसब हमे, आदमीके बेटाके विषयमे के छियै कहिके कहैछै?” 14 ऊसब जबाब देल्कै, “कुछु आदमीसब कहैछै कि तुहें बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना छह; दोसरसिके कहना छै कि तुहें परमेश्वरके वक्ता एलिया छह। आर कतनें आदमी तुहें यर्मिया छह, आरहौ कतनें आदमी कहैछै कि बहुते परमेश्वरके वक्तासिमेसे एकझन छह।” 15 ऊ ओकरासिके पुछल्कै, “मगर तुहेंसब अपने आपमे कोन्ची सोचैछैं, कि हमे के छियै?” 16 सिमोन पत्रुस जबाब देल्कै, “तुहें परमेश्वरसे भेज्ल गेल ख्रीष्ट छह, जिन्दा परमेश्वरके बेटा।” 17 येशू ओकरा कहैल्कै, “योनाके बेटा सिमोन तुहें धन्यके छैं, कहिनेकी यी बातके ज्ञान तोरा कोनो आदमीसे नै, मगर स्वर्गमे भेल हमर परमेश्वर पिता तोरा यी प्रकट कैल्कौ छे। 18 हमे तोरा कहैछियौ कि तुहें पत्रुस छैं। हमे हमर मण्डली यी चट्टानपर स्थापित कर्बै, आर नरकके फाटकसब एकरापर विजय नैहैतै। 19 हमे तोरा स्वर्गके राज्यके चाभीसब देबौ। जे तुहें धर्तीमे बान्भैं, से स्वर्गमे बान्हल जैतै, आर तुहें जे यी धर्तीमे खोल्भैं, से स्वर्गमे खोल्ल जैतै।” 20 तकरबाद येशू चेलासिके आदेश देल्कै, “हमे बचाबेवाला ख्रीष्ट छियै कहिके कक्रहौ नैकहिहैं।” आपन मौतके विषयमे येशूके पहेला भविष्यवाणी ( मर्कू ८:३१-३३ ; लूक ९:२२ ) 21 उटा समयसे येशू आपन चेलासिके बताबे लाग्लै, “हमे, आदमीके बेटा यरूशलेम सहरमे बहुते भयानक चीजसिके भोग्बै, आर यहूदी आदमीसिके अगुवासब, प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब हमरासे नफरत कर्तै आर हमर जान मार्तै आर तेसर दिन हमे फेर मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्बै।” 22 यी बात सुनिके पत्रुस ओकरा एक महर लज्याके सम्झैते कहैल्कै, “परमेश्वर एरंको कहियो हुऐले नैदहौं। प्रभु, एरं तोरा कहियो नैहौं।” 23 मगर येशू घुमिके पत्रुसके कहैल्कै, “शैतान, तुहें हमर लगतसे दूर हटिजो, तुहें हमर लिए बाधा छैं। तोर विचार परमेश्वरसे नै मगर आदमीके स्वभावसे छौ।” येशूके पाछु चलैके मतलब ( मर्कू ८:३४-९:१ ; लूक ९:२३-२७ ) 24 तब येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “अगर कोय हमर चेला बनैले चाहैछैं ते तोरासिके आपन योजना आर हितके छोडे पड्तौ। ओकरा हमर लिए मरैके लिए भी तैय्यार रहे पड्तै। अन्तमे, ओकरा हमर चेलाके रुपमे हमर अनुसरण करे पड्तै। 25 कहिनेकी जे यी धर्तीपर आपन जीवनके बचाबैके कोशिश कर्तै, ऊसब सच्चा जीवन नैपाबे सक्तै। मगर तुहेंसब जे हमर कारण आपन जीवन दैछैं, सच्चा जीवन पैभैं। 26 तुहें संसारमे सभे चीज प्राप्त करि लेल्हैं मगर परमेश्वरके संगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबैके मौका खतम क्या देल्हैं ते, तोरा कोनो फैदा नैहैतौ। कि यी सम्भव छै कि कोय कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबैके लिए परमेश्वरके कुछु दिए सकैछै? नै, ऊ कुछु नैदिये सकैछै। 27 कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।” 28 फेर येशू आदमीसिके भीड आर आपन चेलासिके कहैल्कै, “तोरासिमेसे कतनें झन एत्ते खडा छैं, जेसब हमे, आदमीके बेटाके हमर राज्यमे ऐल नैदेखै तक ऊसब नैमर्तै।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation