मत्ती 12 - केवट नया कारारयेशू विश्राम दिनके मालिक ( मर्कू २:२३-२८ ; ३:१-६ ; लूक ६:१-११ ) 1 उटा समय येशू यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिन अनाजके खेत द्याके जैते रहै। ओकर चेलासिके भुख लागैके कारणसे अनाज तोडीके ख्या लाग्लै। 2 मगर फरिसी समूहके आदमीसब यी देखिके येशूके कहैल्कै, “तोर चेलासब जे काम यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे करैछौं, यी हमरसिके पुरना नियमके विरुद्धमे छै। तोरा ओकरासिके एरं नैकरैले कहना चाही।” 3 मगर येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि तुहेंसब कहियो नैपढ्लहैं छे, बहुते समय पहेला आपनसिके महान बाप-पुर्खा दाऊद राजा कि कैल्कै रहे। जब अबियाथार प्रधान पुजारी रहै? जब दाऊद राजा आर ओकर दोस्तसब भुख्ल रहै? 4 दाऊद राजा परमेश्वरके पालमे गेलै आर उटा रोटी खैल्कै आर आपन दोस्तसिके भी खैले देल्कै जेटा रोटी परमेश्वरके दानके रुपमे चढैल रहै। आपनसिके धार्मिक नियमके मुताबिक खाली यहूदी पुजारीसिके ही उटा रोटी खैके अनुमति रहै। 5 फेर कि तुहेंसब धरमशास्त्रमे नैपढ्लहैं छे कि परमेश्वरके मन्दिरमे यहूदी पुजारी सभे दिन यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे काम करैछै। एरंके ऊसब यहूदीसिके विश्राम दिनके विधि-विधानके पालन नैकरैछै। तैय्योपर ऊसब दोषी मान्ल नैजैछै। 6 मगर हमे तोरासिके कहैछियौ, परमेश्वरके मन्दिरसे महान एत्ते कोय छै। 7 तुहेंसब जानैछैं कि धरमशास्त्रमे यी वाक्यके मतलब कि छै, ‘हमर लिए बलिदान चढाबैके बदला, हमे चाहैछियै कि तुहें दोसरके प्रति दयालु बन।’ अगर तुहें जान्तिहैं कि एकर मतलब कि छै ते, तुहेंसब हमर यी निर्दोष चेलासिके निन्दा नैकर्तिहैं। 8 हमे, आदमीके बेटा, यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनके भी मालिक छियै।” एकटा हात सुख्ल आदमी 9 ओत्तेसे निक्लीके येशू यहूदी आदमीसिके सभाघरमे गेलै। 10 ओत्ते हातमे लखुवा मार्ल एकटा अपाहिज आदमी रहै। ऊसब येशूके दोष लगाबैके मनसायसे पुछल्कै, “कि यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे कक्रहौ ठीक करना उचित छै कि नैछै?” 11 ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “मान कि तोरसिमेसे ककरो एकटा भेंडा छौ। आर अगर ऊ यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे एकटा खधामे गिरिजै ते, तुहें निश्चित रुपसे ओकरा बचैभैं। 12 भेंडासे बेसी ते आदमी मूल्यवान छै। सेल्याके धरमशास्त्रके मुताबिक यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे बढियाँ काम निश्चित रुपसे उचित हैछै, जेरं कि आदमीसिके ठीक करना।” 13 तब येशू उटा आदमीके कहैल्कै, “तोर हात सिधा कर।” ऊ आदमी हात सिधा कैल्कै, आर ओकर हात ठीक भ्यागेलै। 14 मगर फरिसी समूहके आदमीसब यहूदीसिके सभाघरसे बाहार जैके येशूके केरंके जान मार्ल जैतै कहिके ओकर विरुद्धमे षडयन्त्र रचे लाग्लै। परमेश्वरके चुन्ल सेवक ( मर्कू ३:७-१२ ; लूक ६:१७-१९ ) 15 आपन विरुद्धमे ऊसब षड्यन्त्र रचैछै कहिके जब ओकरा मालुम भेलै तब येशू ओत्तेसे चल गेलै। बडका भीड ओकर पाछु लाग्लै, आर येशू ओकरसिके बीचमे भेल सभे रोगी-बेमारीसिके ठीक कैल्कै। 16 मगर येशू ओकरासिके आदेश देल्कै, “यी विषयमे कक्रहौ कुछु नैकहिहैं।” 17 एरंके यशैया परमेश्वरके वक्ताके द्वारा परमेश्वरके यी बात पुरा है कहिके यी भेलै: 18 “हमर दास जकरा हमे चुन्लियै छे, हमर प्रिय जकरसे हमे बहुते खुश छियै, हमे परमेश्वरके आत्मा ओकरामे राखी देबै, आर ऊ जात-जातके आदमीसिके न्यायके प्रचार कर्तै। 19 ऊ नैते झगडा कर्तै नैते बेसी चिकर्तै, ऊ आदमीसिके बीचमे कोनो जोडदार घमण्डसे भर्ल भाषण नैदेतै। 20 ऊ कक्रहौ हानी नैपहुँचैतै जे एकटा टुट्ल बेतके लाठीके जुगुर कमजोर छै, जकरा भी समस्या छै ऊ एकटा मिझाबे लाग्ल चिरागके जुगुर छै, ऊ ओकरा कोनो हानी नैपहुँचैतै। मगर ऊ सुनिश्चित कर्तै कि न्याय कैल जैतै। 21 ओकरापर जात-जातके आदमीसब आशा राख्तै।” येशूपर फरिसी समूहके आदमीसिके शंका 22 तब आदमीसब भूत लागिके अनराह आर बौक भेल एकटा बेमार आदमीके येशूके लगत आनल्कै। येशू ओकरा ठीक कैलके बाद ऊ आदमी देखेवाला आर बोलेवाला भेलै। 23 यी देखिके आदमीसिके भीड आश्चर्य मानिके कहैल्कै, “कि यी दाऊद राजाके सन्तान छै?” 24 मगर यी सुनिके फरिसी समूहके आदमीसब कहैल्कै, “भूतसिके मालिक शैतानके मद्दतसे ऊ भूतसिके निकालैछै।” 25 मगर येशू ओकरसिके विचार मालुम करिके ओकरासिके कहैल्कै, “अगर एकटा देशके आदमीसब एक दोसरासे ही लड्ते रहतै ते, ऊसब ढेर दिनतक टिके नैसक्तै। अहिने करिके एक्केटा परिवार या सहरके आदमीसब एक दोसराके विरुद्धमे फुट राख्तै ते, उटा परिवार एक्केसंगे नैरहे सक्तै। 26 अगर शैतान शैतानके निकाल्तै ते, ऊ आपने विरुद्धमे विभाजित हैछै, आर ओरं हैतै ते ओकर राज्य केरंके टिके सक्तै? 27 अगर हमे शैतानके शक्तिसे भूत निकालैछियै ते, तोरसिके चेलासब ककर शक्तिसे भूत निकालैछौ? ओरं छै ते तोर आपने चेलासब ही तोरसिके फैसला कर्तौ। 28 मगर यदि हमे परमेश्वरके आत्माके शक्तिसे भूतसब निकालैछियै ते परमेश्वरके राज्य तोरसिके बीचमे ऐल छौ कहिके तुहेंसब जाने सकैछैं। 29 या केरंके कोय भी शैतानके जुगुर मजगुत कोनो आदमीके घर लुटे सक्तै? जबतक ओकरलगत उटा मजगुत आदमीके हराबैके आर बान्हैके लिए ताकत नैहैतै? तभे ऊ ओकर घरके सभे कुछु लुटे सकैछै। 30 जे हमर संगमे नैछै, ऊ हमर विरुद्धमे छै, आर जे हमरसंगे नैसम्टैछै, ऊ छिटैछै। 31 सेल्याके हमे तोरासिके कहैछियौ, आदमीसिके कैल सभे तरहके पाप आर ईश्वर निन्दा माफ हैतै, मगर पवित्र आत्माके विरुद्धमे कैल पाप माफ नैहैतै। 32 जे कोय हमे, आदमीके बेटाके विरुद्धमे कोनो बात बोल्तै ते, ओकर यी पाप माफ कैल जैतै, मगर जे कोय पवित्र आत्माके विरुद्धमे कुछु बोल्तै ते ओकरा यी युगमे आर आबेवाला युगमे भी माफ कैल नैजैतै।” गाछ आपन फलसे चिन्हल जैछै ( लूक ६:४३-४५ ) 33 “अगर एकटा गाछ बढियाँ छै ते, ओकर फल भी बढियाँ हैतै। अगर एकटा गाछ खराब छै ते, ओकर फल भी खराब हैतै। कहिनेकी फलसे ही गाछ चिन्हल जैछै। 34 तुहेंसब जहरिला साँपके बच्चासिके जुगुर छैं! तुहेंसब आपनहैं दुष्ट छैं ते अच्छा बात केरंके बोले सकैछैं? जे बातसे हृदय भर्ल छै, उहे बात आदमी बोलैछै। 35 एकटा बढियाँ आदमी एकटा बढियाँ मनके खजानासे बढियाँ चीज निकालैछै, आर एकटा खराब आदमी एकटा खराब मनके खजानासे खराबे चीज निकालैछै। 36 हमे तोरासिके कहैछियौ, सभे व्यर्थके बात जे आदमीसब बोलैछै, फैसलाके दिनमे ओकरासिके ओकर एक-एकटा बातके हिसाब दिए पड्तै। 37 परमेश्वर न्याय कर्तै आर एकटा आदमीके ओकरसे बोल्ल गेल शब्दके कारण निर्दोष या दोषी घोषित कर्तै।” येशूसे चिन्हके माँग ( मर्कू ८:११-१२ ; लूक ११:२९-३२ ) 38 तब कुछु यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब मिलिके येशूके कहैल्कै, “गुरुजी, हमरासिके एकटा चमत्कार देखाब, हमेसब देखैले चाहैछियै।” 39 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “ऐज-क्यालके आदमीसब कतनें खराब आर व्यबिचारी छै! यी आदमीसब शक्तिशाली चमत्कार देखैले चाहैछै। मगर परमेश्वरके वक्ता योनाके संगे जे भेलै उटा चमत्कारके सिवाय यी आदमीसब आर कोनो चमत्कार देखैले नैपैतै। 40 कहिनेकी जेरंके योना परमेश्वरके वक्ता बडका माछके पेटमे तीन दिन आर तीन रात रहै, ओहिने करिके हमे, आदमीके बेटा यी धर्तीके गर्भमे तीन दिन आर तीन रात रहबै। 41 निनवे सहरके आदमीसब न्यायके दिनमे खडा भ्याके यी पिढीके आदमीसिके दोषी ठहरैतै, कहिनेकी ऊसब योनाके कैल प्रचारमे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैल्कै रहे। देख्, योनासे भी महान कोय एत्ते छै। मगर तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैले इन्कार करैछैं। 42 दक्षिणके शेबा देशके महारानी न्यायके दिनमे खडा भ्याके यी पिढीके आदमीसिके दोष लगैतै, कहिनेकी ऊ धर्तीके एक कोनसे सुलेमान राजाके बुद्धिके बात सुनैले बहुते दूरसे ऐलै। देख्, सुलेमान राजासे भी महान कोय एत्ते छै। मगर तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैले इन्कार करैछैं।” भूत आपन घर खोजैछै ( लूक ११:२४-२६ ) 43 “जब कोनो आदमीसे भूत निक्लीके जैछै, ऊ विश्राम खोज्ते सुख्खा जगह महर घुमैछै, मगर कथौ नैपाबैछै। 44 तब ऊ भूत अपने आपसे कहैछै, जे आदमीसे हमे निक्लीके ऐलियै छे, उहे आदमीमे हमे घुमिके वापस जैबै। जब ऊ भूत घुमिके वापस आबैछै, ऊ आदमीके जीवनके उटा घर जुगुर पाबैछै जकरा साफ सुथरा कैल, सज्याके राख्ल मगर खाली राख्ल छै। 45 तब ऊ भूत जैछै आर आपनसे बेसी दुष्ट आरहौ सातटा भूत आपन संगमे आनैछै आर ऊ आदमीके भितर ढुकिके ऊ भूतसब ओत्ते बास करैछै, आर ऊ आदमीके दशा पहिलासे आरहौ खराब हैछै। यी दुष्ट पिढीके आदमीसिके भी अहिने हैतै।” येशूके सच्चा परिवार ( मर्कू ३:३१-३५ ; लूक ८:१९-२१ ) 46 जब येशू भीडसे बोल्तहैं रहै, ओकर मयाँ आर छोटका भ्यासब ओत्ते पहुँचलै आर ओकरसे बात करैके आशामे बाहारमे खडा रहलै। 47 तब कोय आदमी येशूके कहैल्कै, “देख, तोर मयाँ आर छोटका भ्यासब बाहारमे खडा छौं, आर तोरासे बात करैले चाहैछौं।” 48 यी बात सुनिके खबर आनेवाला आदमीके येशू जबाब देल्कै, “हमर मयाँ आर हमर छोटका भ्यासब के छै?” 49 तब ऊ आपन हातसे चेलासिके महर इशारा करिके कहैल्कै, “हमर मयाँ आर छोटका भ्यासब इहेसब छै। 50 कहिनेकी जे स्वर्गमे भेल हमर परमेश्वर पिताके इच्छा मुताबिक चलैछै, उहे हमर छोटका भ्यासब आर हमर बहिन आर हमर मयाँ छै।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation