Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

मत्ती 11 - केवट नया कारार


येशू आर बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना
( लूक ७:१८-३५ )

1 आपन बारहोटा चेलासिके आदेश देलके बाद येशू ओत्तेसे चेलासिके सहरसिमे सिखाबैले आर खुश-खबरी प्रचार करैले गेलै।

2 बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना येशू ख्रीष्टके कामके चर्चा जेलमे सुनल्कै, आर ऊ आपन चेलासिके येशू लगत यी बात पुछैले भेजल्कै,

3 “कि तुहें ही ऊ ख्रीष्ट छह, जकरा भेजैके वादा परमेश्वर कैल्कै रहे, कि हमेसब कोनो दोसरके इन्तजार करियै?”

4 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “तुहेंसब जे देख्लहैं आर सुन्लहैं, जैके बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके कहिदहैं,

5 अनराह आदमीसब देखैछै, नेंग्डा आदमीसब लरैछै, कुष्ठरोगीसिके शुद्ध कैल गेलै छे, बहिर आदमीसब सुनेवाला भेलै छे। मुर्दासब जिन्दा भ्याके उठ्लै छे आर गरिब-दुःखीसिके खुश-खबरी प्रचार कैल जैछै।

6 धन्य छै ऊ जे हमरापर शंका नैकरैछै।”


येशूद्वारा यूहन्नाके सम्मान

7 जब बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके चेलासब गेलै, येशू आदमीसिके भीडके बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके विषयमे कहे लाग्लै, “तुहेंसब सुनसान जगहमे कि देखैले निकल्लहैं? कि हावासे हिलैल बेतके झाँगीके? नै, तुहेंसब ऊ देखैले नैगेल्हैं।

8 तब तुहेंसब कहिने निकल्लहैं? कि महँगा कपडा लगैल आदमीके देखैले? नै, महँगा कपडा लगाबेवाला आदमी ते राजाके महलमे रहैछै।

9 तुहेंसब कथिले निकल्लहैं ते? कि कोनो परमेश्वरके वक्ताके देखैले? हौं, हमे तोरासिके कहैछियौ, तुहेंसब यूहन्नाके देख्लहैं छे जे परमेश्वरके वक्तासे भी महान छै।

10 यूहन्ना बप्तिस्मा दिएवाला ऊ आदमी छै, जकर विषयमे धरमशास्त्रमे एरं लिख्ल छै: ‘यी हमर समाद दिएवाला छै, हमे एकरा तोर आगु-आगु भेज्बौ, ऊ आदमीसिके तोर आगमनके लिए एरंके तैय्यार कर्तौ, जेरंके कोय कोनो राजाके आगमनके लिए रस्ता तैय्यार करैछै।’

11 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, यी संसारमे जनमल आदमीसिमेसे बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नासे महान आर कोय नैभेलै छे। तैय्योपर परमेश्वरके राज्यमे जे सभैसे छोटका छै, ऊ बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नासे भी महान छै।

12 जबसे बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना प्रचार करैले शुरु कैल्कै, उटा समयसे ल्याके एखनतक परमेश्वरके राज्य जोरसे आगु बढैछै। परमेश्वरके राज्यके हमलाके सामना करे पड्लै छे आर हिंसक आदमीसब एकरा नाश करैके कोशिश करैछै।

13 कहिनेकी परमेश्वरके वक्ताके सभे किताब आर मूसाके विधि-विधानमे बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके आबैके समयतक परमेश्वरके राज्यके बारेमे भविष्यवाणी कैल रहै।

14 ओकरसिके कहेल बात विश्वास करैछैं ते, यूहन्ना उहे एलिया छै जकर आबैके भविष्यवाणी कैल रहै।

15 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक!”

16 “हमे यी पिढीके आदमीसिके तुलना कोन बातसे करियै? यी ते बजारमे खेलेवाला बच्चासिके जुगुर छै, जे ओकरसिके आरहौ साथीसिके बोलाबैछै, आर सिकायत करैछै,

17 ‘हमेसब तोर लिए बिहाके गीत बजैलियौ, मगर तुहेंसब नैनाच्लहैं। हमेसब भक्तैया बोल्याके मरणके गीत गैलियौ, मगर तुहेंसब अफसोस नैकैल्हैं।’

18 कहिनेकी बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना बार-बार उपास करैछै आर अंगुरके मद्द नैपियैछै, आर ऊसब ओकरा भूत लाग्ल छै कहिके कहैछै।

19 मगर जब हमे, आदमीके बेटा दोसर आदमीसिके जुगुर खैलियै आर पिलियै, आर ऊसब कहैछै, ‘देख्, घिचक्कड, पियक्कड, कर उठाबेवाला आर पापी आदमीसिके दोस्त।’ मगर एकटा आदमीके काम यी साबित करैछै कि बुद्धिमान के छै।”


पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगाबेवाला सहरके धिक्कार
( लूक १०:१३-१५ )

20 जे-जे सहरमे येशू बहुते शक्तिशाली कामसब कैल्कै रहे, ऊ ऊसब आदमीसिके धिक्कारे लाग्लै जे उटा सहरमे रहते रहै, कहिनेकी ऊसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै रहे।

21 तोरसिके लिए यी बहुते भयानक हैतौ, ऊ आदमीसब जे खोराजीन सहरमे रहैछै! तोरसिके लिए यी बहुते भयानक हैतौ, ऊ आदमीसब जे बेथसेदा गाँवमे रहैछै! कहिनेकी तोरसिके सहरसिमे कैल शक्तिशाली कामसब टुरोस सहर आर सिदोन सहरमे कैल जैतियै ते ओत्करो आदमीसब तहिये बोराके कपडा लग्याके क्षौर घस्तियै, यी देखाबैके लिए कि ऊसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लग्या लेल्कै छे।

22 मगर हमे तोरासिके कहैछियौ, न्यायके दिनमे परमेश्वर तोरासिसे कम सजाय टुरोस सहर आर सिदोन सहरके आदमीसिके देतै।

23 हे कफर्नहुम गाँवके आदमीसब, कि तुहेंसब सोचैछैं कि परमेश्वर तोरासिके उप्पर स्वर्गतक उठैतौ? जरुर तुहेंसब नै उठैल जैभैं, मगर तुहेंसब नरकमे खसैल जैभैं। कहिनेकी तोरामे कैल शक्तिशाली कामसब सदोम सहरमे कैल जैतियै ते ऊ ऐजके दिनतक रहतियै।

24 मगर हमे तोरासिके कहैछियौ, न्यायके दिनमे उटा सजाय जे परमेश्वर सदोम सहरके आदमीसिके देल्कै, उटा सजाय बहुते कम हैतै जे सजाय परमेश्वर तोरासिके देतौ।


थक्ल आदमीसिके लिए विश्राम
( लूक १०:२१-२२ )

25 उहे समय येशू कहैल्कै, “हे पिता, आकाश आर धर्तीके प्रभु, हमे तोरा धन्यवाद चढाबैछिहौं, कहिनेकी तुहें यी बात बुद्धिमान आर समझदार आदमीसिसे गुप्त राख्लह, मगर ऊ आदमीसब जे बच्चासिके जुगुर छै, ओकरासिके उटा प्रकट कैलह छे।

26 हँ पिता, तोरा इहे बढियाँ लाग्लहौं।

27 हमर पिता सभे चीज हमर हातमे देल्कै छे। खाली पिता छै जे बेटाके चिन्हैछै, आर खाली बेटा छै जे वास्तवमे पिताके चिन्हैछै, आर उहोसब चिन्हैछै, जकरा बेटा पिताके प्रकट करि दियैके इच्छा करैछै।

28 हे सभेको मेहनत करेवाला आर बोझसे दब्ल आदमीसब, हमरलगत या, हमे तोरासिके विश्राम देबौ।

29 हमर चेला बन, आर हमरसंगे सिख। कहिनेकी हमे विनम्र आर कोमल हृदयके छियै, आर तुहेंसब आपन आत्मामे विश्राम पैभैं।

30 कहिनेकी हमर चेला बनना आसान छै, आर जे करैके आदेश हमे तोरा दैछियौ, ओकरा करना मुश्किल नैछै।”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan