लूका 7 - केवट नया काराररोमी कप्तानके विश्वास ( मत्ती ८:५-१३ ) 1 आदमीसिके भीडके यी शिक्षासब देलके बाद येशू कफर्नहुम गाँवमहर गेलै। 2 ओत्ते एकटा रोमी कप्तानके एकटा प्यारा नोकर रहै, जे बेमार भ्याके मर्है पर रहै। 3 जब येशूके बारेमे ऊ सुनल्कै तब ओकर नोकरके ठीक करिदह कहिके ऊ यहूदी आदमीसिके अगुवाके बिन्ती करैले भेजल्कै। 4 ऊसब येशूके लगत आबिके एरं कहिके येशूके आग्रहपूर्वक बिन्ती कैल्कै, ऊ तोर कृपा पाबैके योग्य छै। 5 कहिनेकी ऊ आपनसिके जातके प्रेम करैछै, आर उहे हमरसिके यहूदी आदमीसिके सभाघर बन्या देल्कै छे। 6 येशू ओकरसिके संगे गेलै। मगर जब ऊसब रोमी कप्तानके घरके लग्हैमे रहै तब रोमी कप्तान आपन दोस्तसिके येशूके लगत एरं कहिके भेजल्कै “हे प्रभु, दुःख नै उठाब, कहिनेकी हमे तोरा हमर घरमे स्वागत करैके योग्य नैछियै। 7 सेल्याके हमे अपने आपके भी तोरलगत आबैके योग्यके नै सम्झलियै, मगर खाली वचन कहिदेभ ते हमर नोकर ठीक भ्याजैतै। 8 हमे यी बुझैछियै कहिनेकी हम्हुँ अधिकारीसिके अधिनमे छियै, आर हमर अधिनमे सिपाहीसब छै। हमे एकटा नोकरके ‘जो’ कहैछियै ते ऊ जैछै आर दोसर नोकरके ‘या’ कहैछियै ते ऊ आबैछै। हमर नोकरके ‘एरं कर’ कहैछियै आर ऊ ओहिने करैछै।” 9 यी बात सुनिके येशू आश्चर्य-चकित भेलै आर ओकर पाछु आबेवाला आदमीसिके घुमिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके कहैछियौ, हमरा पुरा इस्राएलीसिके बीचमे एक्कोटा एरंको आदमी नैमिल्लै, जे यी गैर-यहूदी आदमीके जुगुर हमरापर विश्वास करैछै।” 10 जब कप्तानके साथीसब वापस घुमिके घर गेलै, तब ऊसब ऊ नोकरके ठीक भेल देखल्कै। मोसामातके बेटाके येशू जिन्दा कैल्कै 11 एक दिनके बाद येशू नाइन नामके एकटा सहरमे गेलै। ओकर चेला आर आदमीके बडका भीड ओकर संगमे जैते रहै। 12 जब ऊ सहरके केबाडी लगत पहुँचलै ते एकटा मुर्दाके बाहार लजैते रहै। ऊ मुर्दा एकटा मोसामातके एक्केटा बेटा रहै, आर सहरके बहुते आदमीसब ओकरसंगे रहै। 13 ऊ मोसामातके देखिके प्रभुके दया लाग्लै, आर ओकरा कहैल्कै, “तुहें नैकान।” 14 तब येशू ओकरलगत जैके अर्थीके छुल्कै आर लजाबेवालासब रुकी गेलै। तब येशू कहैल्कै, “हे जवान हमे तोरा कहैछियौ, खडा हो।” 15 तब ऊ मुर्दा उठिके बैठ्लै आर बोले लाग्लै। येशू ओकरा ओकर मयाँके जिम्मा लगैल्कै। 16 तब सभेकोय भयभीत भेलै आर परमेश्वरके महिमा कर्ते कहैल्कै, “हमरसिके बीचमे एकटा महान परमेश्वरके वक्ता ऐलै छे। परमेश्वर आपन आदमीसिके सहायता करैके लिए ऐलै छै।” 17 यी घटनाके समाचार सभे यहूदिया प्रदेश आर ओकर आस-पासके क्षेत्रमे फैली गेलै। यूहन्नाके सवाल आर येशूके जबाब ( मत्ती ११:२-१९ ) 18 बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके चेलासब भी येशूके कैल सभे बात आपन गुरुके सुनैल्कै। 19 तब यूहन्ना आपन दीटा चेलासिके बोल्याके प्रभु येशूके लगत एरं कहिके पुछैले भेजल्कै, “कि तुहें ही ऊ ख्रीष्ट छह, जकरा भेजैके वादा परमेश्वर कैल्कै रहे कि हमेसब कोनो दोसरके इन्तजार करियै?” 20 तब ऊसब येशूके लगत आबिके पुछल्कै, “बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना हमरासिके यी पुछैले तोरलगत भेजल्कै छे। कि तुहें ही ऊ ख्रीष्ट छह, जकरा भेजैके वादा परमेश्वर कैल्कै रहे कि हमेसब कोनो दोसरके इन्तजार करियै?” 21 तखनिहैं येशू बहुते रोगी, बेमारी आर भूत लाग्ल आदमीसिके छुटकारा देल्कै आर बहुते अनराहसिके आँख देल्कै। 22 तब ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जे देख्लहैं आर सुन्लहैं, जैके यूहन्नाके कहिदहैं कि अनराह आदमीसब देखैछै, नेंग्डा आदमीसब लरैछै, कुष्ठरोगी आदमीसब ठीक हैछै, बहिर आदमीसब सुने लाग्लै छे, मुर्दासब जिन्दा भ्याके उठैछै आर गरिब आदमीसिके खुश-खबरीके प्रचार कैल जैछै। 23 धन्य छै ऊ जे हमरापर शंका नैकरैछै।” 24 जब बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके समाद दिएवाला आदमीसब गेलै, तब येशू आदमीसिके भीडके बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके विषयमे कहे लाग्लै, “तुहेंसब सुनसान जगहमे कि देखैले निकल्लहैं? कि हावासे हिलैल बेतके झाँगीके? नै, तुहेंसब ऊ देखैले नैगेल्हैं। 25 तब तुहेंसब कहिने निकल्लहैं? कि महँगा कपडा लगैल आदमीके देखैले? महँगा कपडा लगाबेवाला आर सुख-विलासमे रहेवाला आदमी ते राजाके महलमे रहैछै। 26 तुहेंसब कथिले निकल्लहैं ते? कि कोनो परमेश्वरके वक्ताके देखैले? हौं, हमे तोरासिके कहैछियौ, तुहेंसब यूहन्नाके देख्लहैं छे जे परमेश्वरके वक्तासे भी महान छै। 27 यी उहे छै जकर विषयमे धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, ‘देख, हमे हमर समाद दिएवालाके तोर आगु-आगु भेज्बौ, जे तोर लिए रस्ता तैय्यार कर्तौ।’ ” 28 हमे तोरासिके कहैछियौ, “जनानीसिमेसे जनमलमेसे यूहन्नासे महान कोय नैछै तैय्योपर भी जे परमेश्वरके राज्यमे सभैसे छोटका छै, ऊ बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नासे भी महान छै।” 29 जब ऊसब येशूके कहेल बात सुन्लकै, तब सभे आदमीसब, एत्तेतक कि कर उठाबेवाला आदमीसब भी घोषणा कैल्कै कि परमेश्वर धर्मी छै। कहिनेकी ऊसब यूहन्नासे बप्तिस्मा लेल्कै रहे। 30 मगर फरिसी समूहके आदमीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब यूहन्नासे बप्तिस्मा नैलेल्कै कहिनेकी परमेश्वरके इच्छा ऊसब अस्वीकार कैल्कै। 31 तब येशू कहैल्कै, “हमे यी पिढीके आदमीसिके कोन बातसे तुलना करियै? ऊसब ककर जेरं छै? 32 यी ते बजारमे खेलेवाला बच्चासिके जुगुर छै, जे ओकरसिके आरहौ साथीसिके बोलाबैछै, आर सिकायत करैछै, ‘हमेसब तोर लिए बिहाके गीत बजैलियौ, मगर तुहेंसब नैनाच्लहैं। हमेसब भक्तैया बोल्याके मरणके गीत गैलियौ, मगर तुहेंसब अफसोस नैकैल्हैं।’ 33 कहिनेकी बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना बार-बार उपास करैछै आर अंगुरके मद्द नैपियैछै, आर ऊसब ओकरा भूत लाग्ल छै कहिके कहैछै। 34 मगर जब हमे, आदमीके बेटा साधारण आदमीसिके जुगुर खैलियै आर पिलियै, आर ऊसब कहैछै, ‘देख्, घिचक्कड, पियक्कड, कर उठाबेवाला आर पापी आदमीसिके दोस्त।’ 35 मगर परमेश्वरके बुद्धि उत्तम छै, यी बात ओरंको आदमीसिके द्वारा साबित हैछै जेसब ऊ बुद्धिके मुताबिक चलैछै।” पापी जनानीके माफी 36 फरिसी समूहके आदमीसिमेसे एकटा आदमी ओकरा भोजन खैले निमन्त्रण देल्कै, आर ऊ ओकर घरमे खैले गेलै। 37 उहे सहरमे एकटा अनैतिक जीवन जिएवाली जनानी रहै। ऊ जनानी फरिसी समूहके आदमीके घरमे येशू खैले बैठ्ल छै कहिके सुनल्कै आर संगमरमरके पत्थलसे बन्ल एकटा बोतल ल्याके येशूके लगत ऐलै जकरामे गमकौव्वा तेल भर्ल रहै। (तेल बहुते महँगा रहै) कहिनेकी यी शुद्ध जटामसीके रहै। 38 तब पाछु महरसे आबिके ऊ जनानी येशूके पैरी लगत खडा भेलै आर कान्ते येशूके पैर लोरसे धोय देल्कै। तकरबाद ऊ आपन मथाके केशसे ओकर पैरके पोछे लाग्लै आर पैरके बारबार चुमते हुए ऊ गमकौव्वा तेल लगाबे लाग्लै। 39 येशूके आपन घरमे बोलाबेवाला फरिसी समूहके आदमी यी देखिके मनेमने एरं कहे लाग्लै, “यी आदमी अगर परमेश्वरके वक्ता हैतियै ते एकरा पता होना चाही कि यी एकटा अनैतिक जीवन जिएवाली जनानी छै।” 40 येशू फरिसी समूहके आदमीके विचार जानीके ओकरा कहैल्कै, “सिमोन, हमरा तोरा कुछु बात कहना छै।” ऊ कहैल्कै, “गुरुजी, कह।” 41 तब येशू ओकरासिके यी खिसा कहैल्कै, “कोनो महाजनके दीटा कर्जदारसब रहै। ऊ महाजनसे एकझन पाँच स चानीके सिक्का आर दोसर झन पचास चानीके सिक्का कर्जा लेल्कै रहे। 42 मगर ओकरसिके लगत कर्जा चुकाबैले कुछु नैरहै ते महाजन दोनो झनके कर्जा माफी करिदेल्कै। सेल्याके, यी दोनो आदमीसिमेसे के ओकरा बेसी प्रेम कर्तै?” 43 सिमोन कहैल्कै, “हमे सोचैछियै जे बेसी कर्जाके माफी पैल्कै ऊ महाजनके बेसी प्रेम कर्ते।” येशू ओकरा कहैल्कै, “तुहें ठीके विचार कैले छैं।” 44 तब येशू जनानी महर घुमिके सिमोनके कहैल्कै, “कि तुहें यी जनानीके देखैछैं? हमे तोर घरमे ऐलियौ, मगर रिवाजके अनुसार तुहें हमरा पैर धुवैले पानी नैदेल्हैं। मगर यी जनानी हमर पैर लोरसे भिजैल्कै आर आपन केशसे पोछल्कै। 45 रिवाजके अनुसार तुहें हमरा चुम्मा नैलेल्हैं, मगर यी ते ऐल्हैके साथ हमर पैरीके चुम्मा लियैले नैछोडल्कै छे। 46 तुहें हमर मथामे तेल नैलग्या देल्हैं, मगर यी ते हमर पैरीमे गमकौव्वा तेल समेत लगैल्कै छे। 47 सेल्याके, हमे तोरा कहैछियौ, बहुते पापसब जे यी कैल्कै छे, उटा सभे माफ भेलै छे। कहिनेकी यी जनानी बहुते प्रेम देखैल्कै छे। मगर जकर पापसब कम माफ भेलै छे, ऊ कम प्रेम करैछै।” 48 तब येशू ऊ जनानीके कहैल्कै, “तोर पापसब माफ भेलौ छे।” 49 खैले बैठ्ल आदमीसब आपसमे बोले लाग्लै, “पाप माफ करेवाला केवल परमेश्वर छै।” 50 येशू ऊ जनानीके कहैल्कै, “परमेश्वर तोरा बचैल्कौ छे कहिनेकी तुहें हमरापर भरोसा कैल्हैं छे, तुहें कुशलसे जो।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation