Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

लूका 6 - केवट नया कारार


येशू यहूदी आदमीसिके विश्राम दिनके प्रभु
( मत्ती १२:१-८ ; मर्कू २:२३-२८ )

1 येशू यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे अनाजके खेत द्याके जैते रहै। आर ओकर चेलासब अनाज तोडीके हातमे रगडीके ख्या लाग्लै।

2 यी देखिके फरिसी समूहके आदमीसिमेसे कोय ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जे काम यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे करैछह, यी हमरसिके विधि-विधानके विरुद्ध छै। तोरा ओकरासिके एरं नैकरैले कहना चाही।”

3 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि तुहेंसब कहियो नैपढ्लहैं छे, बहुते समय पहेला आपनसिके महान पुर्खा दाऊद राजा कि कैल्कै रहे। जब अबियाथार प्रधान पुजारी रहै? जब दाऊद राजा आर ओकर दोस्तसब भुख्ल रहै?

4 दाऊद राजा परमेश्वरके पालमे गेलै आर उटा रोटी खैल्कै आर आपन दोस्तसिके भी खैले देल्कै जेटा रोटी परमेश्वरके दानके रुपमे चढैल रहै। आपनसिके धार्मिक नियमके मुताबिक खाली यहूदी पुजारीसिके ही उटा रोटी खैके अनुमति रहै।”

5 तब येशू ओकरासिके कहैल्कै “हमे, आदमीके बेटा, यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनके भी मालिक छियै।”


हात सुख्ल आदमी ठीक भेलै
( मत्ती १२:९-१४ ; मर्कू ३:१-६ )

6 फेर दोसर एकटा यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे येशू यहूदी आदमीसिके सभाघरमे जैके शिक्षा दिए लाग्लै। ओत्ते हातमे लखुवा मार्ल एकटा अपाहिज आदमी रहै जकर दहिना हात सुख्ल रहै।

7 यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब येशूपर दोष लगाबैले मौकाके खोजैमे रहै, कहुँ येशू यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे ओकरा ठीक करैछै कि नैकरैछै।

8 मगर येशू ओकरसिके मनके बात बुझिके दहिना हात सुख्लवाला अपाहिज आदमीके कहैल्कै, “उठ्, सभे आदमीके बीचमे खडा भ्याजो।” तब तुरन्ते ऊ आदमी उठ्लै आर खडा भेलै।

9 तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे भला करना, आर खराब नैकरना निश्चित रुपसे उचित छै। ककरो जान बचाना, आर ककरो जान नैमारना यी बात निश्चित रुपसे उचित छै।”

10 तकरबाद येशू चारो महर देखिके ऊ आदमीके कहैल्कै, “तोर हात सिधा कर! ऊ हात सिधा कैल्कै आर ओकर हात ठीक भ्यागेलै।”

11 यी घटना देखिके फरिसी समूहके आदमीसब गोस्सासे चुर भेलै आर येशूके कि करियै कहिके एक दोसरसे सल्लाह करे लाग्लै।


बारह चुन्ल आर भेज्ल चेलासब
( मत्ती १०:१-४ ; मर्कू ३:१३-१९ )

12 एक दिन येशू पहाडमे जैके रातभर परमेश्वरसे प्रार्थना कैल्कै।

13 भोर भेलके बाद ऊ आपन चेलासिके बोलैल्कै आर ओकरासिमेसे बारह आदमीसिके चुनल्कै तब येशू ओकरासिके चुन्ल आर भेज्ल चेला कहिके उपनाम देल्कै।

14 एरंके चुन्ल बारह झन इहेसब छै-सिमोन, जकर नाम येशू पत्रुस राखल्कै आर ओकर भ्या अन्द्रियास, जब्दियाके बेटा याकूब आर ओकर भ्या यूहन्ना, फिलिप आर बारथोलोमाइ,

15 मत्ती आर थोमा, अल्फयसके बेटा याकूब आर सिमोन देशभक्त रहै।

16 याकूबके बेटा यहूदा, आर यहूदा स्करियोत, जे पाछु येशूसे धोखाबाजी कैल्कै।


येशूके उपदेश
( मत्ती ४:२३-२५ )

17 तब येशू आर ओकर चेलासब निच्चा उतरिके एकटा स्यार जगहमे खडा भेलै। ओत्ते ओकर बहुते चेलासब आर दोसर आदमीसिके बडका भीड लाग्ल रहै। यहूदिया प्रदेशके सभे जगहसे, यरूशलेम सहरसे आर समुन्दर किनारके टुरोस सहर आर सिदोन सहरसे अनगन्ती आदमीसब आबिके ओत्ते जमा भेलै रहे।

18 ऊसब ओकर शिक्षा सुनैले आर आपन-आपन रोगसे ठीक हुऐले ऐल रहै। भूत लागिके दुःख पैल आदमीसब भी ठीक भेलै।

19 सभे आदमीसब ओकरा छुवैके कोशिश करै कहिनेकी ओकरासे निकल्ल सामर्थ्यसे सभेको ठीक भेलै।

20 तब येशू आपन चेलासिके महर देखिके कहैल्कै, “धन्य छै परमेश्वरके जरुरत महसुस करेवाला आदमीसब! कहिनेकी स्वर्गके राज्य ओकरेसिके छै।

21 धन्य तुहें एखन भुखाबेवाला आदमीसब, कहिनेकी तुहेंसब सन्तुष्ट हैभैं। धन्य तुहें एखन कानेवाला आदमीसब, कहिनेकी तुहेंसब हाँस्भैं।

22 धन्य छैं तुहेंसब, जब हमे, आदमीके बेटाके चेला हुऐके कारण आदमीसब तोरा घृणा कर्तौ, गाँव-समाजसे निकाली देतौ, निन्दा कर्तौ, आर दुष्ट कहिके तोरसिके नामके अपमान कर्तौ।”

23 तब तुहेंसब खुब खुशी आर आनन्दित हु। कहिनेकी तोरसिके लिए स्वर्गमे बहुते बडका इनाम राख्ल छौ। तोरसिसे बहुते पहेला ऐल पुरना जमानाके परमेश्वरके वक्तासिके अहिने करिके तोरासिके सताबेवालाके बाप-पुर्खासब ठीक अहिने करिके दुःख द्याके सतैल्कै रहे।

24 “मगर तुहेंसब जे मातबर छैं, तोरसिके लिए बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी तुहेंसब आपन सुखचैन पाबि गेल्हैं छे।

25 तुहेंसब जे एखन भरपूरसे खैछौ, तोरसिके लिए बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी तुहेंसब भुखैभैं। तुहें हाँसेवालासब, तोरसिके लिए बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी तुहेंसब शोक कर्भैं आर कान्भैं।

26 तुहेंसब जे आदमीसिसे प्रशंसा पाबैछैं, तोरसिके लिए बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी तोरसिके पुर्खासब भी झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासिके तारिफ कर्ते रहौ।”


दुश्मनसे प्रेम करना
( मत्ती ५:३८-४८ ; ७:१२ )

27 मगर हमर शिक्षा सुनेवाला तोरासिके कहैछियौ, आपन दुश्मनसिके प्रेम कर, आर जे तोरासे घृणा करैछौ ओकर भलाइ कर।

28 जे तोरा सराप दैछौ, ओकरा आशीर्वाद दहैं, जे तोरासे खराब व्यवहार करैछौ, ओकर लिए प्रार्थना कर।

29 कोय तोरा एकटा गालमे थप्पड मारैछौ ते तोरा मारेवाला आदमीके तोर दोसर गालमे भी मारैले दहैं आर तोर कोट छिनेवाला आदमीके तोर कमिज भी लजाबैले दहैं।

30 यदि कोय तोरासे कुछु माँगैछौ ते, उटा ओकरा दहैं आर यदि कोय तोरासे कोनो चीज लेल्कौ छे ते ओकरासे वापस नैमाँग।

31 आदमीसब तोरसिसे जेरं व्यवहार करौ कहिके तुहेंसब चाहैछैं, तहुँसब ओकरसिके संगे ओहिने व्यवहार कर।

32 यदि तोरासिके प्रेम करेवालाके संगे खाली प्रेम करैछैं ते, परमेश्वर तोरासिके कोनो शाबासी नैदेतौ। कहिनेकी पापी आदमीसब भी अपनाके प्रेम करेवालासिके संगे प्रेम करैछै।

33 आर यदि तुहें खाली उहे आदमीसिके भलाइ करैछैं, जे तोर भलाइ करैछौ ते, एकरामे परमेश्वर तोरा कोनो शाबासी नैदेतौ। कहिनेकी पापी आदमीसब भी ओहिने करैछै।

34 यदि तुहें वापस पाबैके आशा राखिके दोसरके पैंच-उधार दैछैं ते, तोरा आदमीसिसे प्रशंसा कहिने मिलौ? पापी आदमीसब भी ते कर्जा वापस करे सकेवाला पापी आदमीसिके पैंच-उधार दैछै।

35 मगर तुहेंसब आपन दुश्मनसिसे प्रेम कर, ओकरसिके भलाइ कर आर फेर वापस पाबैके आशा नैराखिके पैंच-उधार दहैं। तब तोरा बडका इनाम मिल्तौ आर तुहेंसब परमप्रधान परमेश्वरके बेटाबेटी कहलैभैं। कहिनेकी परमेश्वर उपकार नैमानेवालासब आर खराब आदमीसिपर भी कृपा करैछै।

36 जेरंके तोरसिके परमेश्वर पिता दयालु छौ, ओहिने तहुँसब दयालु बन।


कक्रहौ दोष नैलगा
( मत्ती ७:१-५ )

37 दोसरके दोष नैलगा आर परमेश्वर भी तोरासिके दोष नैलगैतौ। दोसरके गल्ती खोजेवाला काम नैकर आर परमेश्वर भी तोरसिके गल्ती नै खोज्तौ। दोसरके माफ कर आर परमेश्वर भी तोरासिके माफ कर्तौ।

38 दोसरके दहैं तब परमेश्वर भी तोरासिके देतौ। आदमीसब बहुते दाबी-दाबीके आर हिल्या-हिल्याके हेराबै जेरं तोरसिके झोलामे ढारी देतौ। कहिनेकी जे नापसे तुहेंसब दोसरके देभैं, उहे नापसे तहुँसब भी पैभैं।

39 फेर येशू ओकरासिके एकटा खिसा सुनैल्कै, “कि एकटा अनराह आदमी दोसर अनराह आदमीके रस्ता देखाबे सकैछै? कि दोनो आदमी खधामे नैगिर्तै?

40 चेला आपन गुरुसे बढिके नैहैछै मगर जब ऊ पुरा शिक्षा पाबि लैछै तब ऊ आपन गुरुके जेरं बनी जैछै।

41 तुहें एकटा छोटका पापके लिए आपन विश्वासी भ्या-बहिनके कथिले दोष लगाबैछैं जे ओकर आँखीमे कुछु गन्दाके जुगुर छै, जब कि तोर अपने जीवनमे बडका पाप छौ जे तोर आँखीमे एकटा ढेंगके जुगुर छौ?

42 जब तोर आपने भितरमे बहुते बडका पाप छौ ते तोरा आपनसे छोटका पापवाला कोनो आदमीके सहायता करैके कोशिश नैकरना चाही! हे ढोंगी, पहेला आपन खुदके बडका पापके सुधारी ले, तब तुहें साफ तरिकासे आपन विश्वासी भ्या-बहिनके आँखीके धुर देखिके निकाले सक्भैं आर दोसर आदमीसिके ओकरसिके छोटका पापके सुधारैके लिए सहायता करे सक्भैं।”


गाछ आर ओकर फल
( मत्ती ७:१६-२० ; १२:३३-३५ )

43 बढियाँ गाछमे खराब फल नैफरैछै, आर नैते खराब गाछमे बढियाँ फल फरैछै।

44 हरेक गाछके ओकर फलसे चिन्हल जैछै। आदमी काँटके गाछसे अन्जीर या अंगुरके फल नैतोडे सकैछै।

45 एकटा बढियाँ आदमी एकटा बढियाँ मनके खजानासे बढियाँ चीज ही निकालैछै, आर एकटा खराब आदमी एकटा खराब मनके खजानासे खराबे चीज निकालैछै। कहिनेकी जे बातसे हृदय भर्ल छै, उहे बात आदमी बोलैछै।


दी किसिमके जग
( मत्ती ७:२४-२७ )

46 “हमर कहेल बात नैमानैछैं ते कहिने हमरा ‘हे प्रभु, हे प्रभु’ कहैछैं?

47 जे हमरलगत आबैछै आर हमर शिक्षा सुनिके ओकर पालन करैछै, हमे तोरासिके बताबैछियौ कि ऊ केरंको आदमी छै।

48 ऊ एकटा घर बनाबेवाला आदमीके जुगुर छै, जे गहिर खधा खुनिके आपन घरके जग पत्थलवाला जमिनमे बनैल्कै। जब बाढके तेज-धार उटा घरसे टकरैलै ते घरके हिलाबैले नैसकल्कै, कहिनेकी उटा घर मजगुत बनैल रहै।

49 मगर जे आदमीसब हमर शिक्षा सुनिके ओकर पालन नैकरैछै, ऊ एकटा एरंको आदमी छै, जे जमिनके उप्परमे जग बिनाके घर बनैल्कै। जब बाढके तेज-धार उटा घरसे टकरैलै ते तुरन्ते उटा घर ढही गेलै आर ओकर सत्यानाश भ्यागेलै।”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan