लूका 3 - केवट नया कारारबप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके प्रचार ( मत्ती ३:१-१२ ; मर्कू १:१-८ ; यूह १:१९-२८ ) 1 रोमी महाराजा तिबेरियसके शासनकालके पन्ध्रमा सालमे पन्तियस राज्यपाल पिलातस यहूदिया प्रदेशके हाकिम रहै। ऊ समय हेरोद राजा गालील जिलाके शासक रहै, आर ओकर भ्या फिलिप एतुरिया आर त्राखोनितिसके क्षेत्रमे शासन कर्ते रहै, आर लुसानियस अबिलेनेके क्षेत्रमे शासन कर्ते रहै। 2 हन्नास आर कैयाफा प्रधान पुजारीके समयमे परमेश्वरके वचन सुनसान जगहमे जकरियाके बेटा यूहन्नाके लगत ऐलै। 3 बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना यी प्रचार कर्ते यर्दन लद्दीके आस-पासके सभे इलाका महर ऐलै, “पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा आर बप्तिस्मा ले आर परमेश्वर तोरसिके कैल पापसिके माफी देतौ।” 4 परमेश्वरके वक्ता यशैया धरमशास्त्रमे एरं लिखल्कै छे: “ओकर आवाज सुनसान जगहमे ऊ जोर-जोरसे हल्ला करिके आदमीसिके एरं कहते रहै, ‘प्रभुके रस्ता तैय्यार कर, ओकर रस्ता ठीक कर, जे रस्ता द्याके ऊ ऐतै। 5 हरेक गहिर रस्ता भरि देल जैतै, हरेक उच्च भाग आर पहाड निच्चा कैल जैतै, आर टेढ रस्ता सिधा हैतै आर उच्च नेमा रस्ता बराबर कैल जैतै। 6 सब आदमीसब परमेश्वरके उद्धारके देख्तै।’ ” 7 बहुते आदमीसब यूहन्नाके लगत बप्तिस्मा लियैले ऐलै। मगर यूहन्ना ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जहरिला साँपके जुगुर दुष्ट छैं! तुहेंसब जे एखनिहौं तक पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैलहैं छे, तैय्योपर तोरासिके के सिख्या देल्कौ कि परमेश्वरसे आबेवाला सजायसे बची जैभैं? 8 तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैलहैं छे ते, यी बातके आपन व्यवहारद्वारा साबित कर। आर आपन मनमे यी सोचिके बेफिकिर नै भ्याजो कि, हमरसिके कुल-पिता ते ‘अब्राहम’ छै: हमे तोरासिके कहैछियौ कि, परमेश्वर यी पत्थलसिसे अब्राहमके लिए सन्तान पैदा करे सकैछै। 9 जे आदमीसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगाबैछै, ऊ परमेश्वरद्वारा दोषी ठहरैल जैतै आर ओकरा आगिनमे झोंकी देल जैतै, ठीक ओहिने जेरंके कुढेर लेल आदमी उटा सभे गाछके जड काटिके आगिनमे झोंकी दैछै जे गाछ बढियाँ फल नैदैछै।” 10 आदमीसब यूहन्नासे पुछल्कै, “हमेसब परमेश्वरके सजायसे बचैके लिए कि करियै?” 11 यूहन्ना जबाब देल्कै, “जकरा दीटा कमिज छै, ऊ एकटा तकरा दहैं जकरा नैछै, आर जकर लगत ख्यावाला चीज छै उहो ओहिने कर।” 12 कर असुल करेवालासब भी यूहन्नासे बप्तिस्मा लियैके ऐलै आर यूहन्नासे पुछल्कै, “हे गुरुजी हमेसब कि करियै?” 13 ऊ जबाब देल्कै, “जतनें कर सरकार तोक्ले छै, ओकरसे बेसी नैले।” 14 अहिने करिके सिपाहीसब पुछल्कै, “आब हमेसब कि करियै?” यूहन्ना कहैल्कै, “ककरो उप्पर अत्याचार करिके आर झुट्ठा दोष लग्याके पैसा नैले। मगर आपन दरमाहामे सन्तुष्ट र।” 15 जे आदमीसब ख्रीष्टके जल्दी आबैके आशामे रहै ऊसब मनेमने यूहन्नाके बारेमे विचार कर्ते रहै कि कहीं इहे ते उद्धारकर्ता ख्रीष्ट नैछै। 16 तब यूहन्ना ओत्ते भेल सभैके जबाब देल्कै, “हमे तोरासिके पानीसे बप्तिस्मा दैछियौ, मगर हमरासे शक्तिशाली एकटा आदमी आबेवाला छै, जकर जुत्ताके फित्ता खोलैके लायक हमे नैछियै, ऊ तोरासिके पवित्र आत्मा आर आगिनसे बप्तिस्मा देतौ। 17 आपन खम्हारके अनाजके साफ करैके लिए ओकर सुप्पा ओकर हातमे छै। ऊ गहुमके साफ करिके ओकरा आपन बखारीमे जमा कर्तै, मगर भुस्साके ऊ आगिनमे जरैतै जे आगिन कहियो नैमिझाबैछै।” 18 एरंके आरहौ बहुते वचनद्वारा शिक्षा देते हुवे बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आदमीसिके खुश-खबरी सुनैल्कै। 19 मगर हेरोद राजा आपन भ्याके पतनी हेरोदियासके आपनसंगे राखैके कारण यूहन्ना ओकरा धोपल्कै रहे। आर ओकर आरहौ पापसब भी देख्या देल्कै। 20 सेल्याके हेरोद राजा यूहन्नाके जेलमे ध्या देल्कै एरंके ऊ आपन सभे दुष्कर्ममे आरहौ एकटा कुकर्म बढैल्कै। यूहन्नाके द्वारा येशूके बप्तिस्मा ( मत्ती ३:१३-१७ ; मर्कू १:९-११ ; यूह १:३२-३४ ) 21 सभे आदमीके बप्तिस्मा लेलके बाद येशू भी बप्तिस्मा लेल्कै, बप्तिस्माके बाद जखन ऊ प्रार्थना कर्ते रहै, तब आकाश उघर्लै। 22 आर पवित्र आत्मा शारीरिक रुपमे पेर्वाके जुगुर येशूके उप्परमे उतर्लै आर स्वर्गसे परमेश्वर बोल्लै आर येशूके कहैल्कै, “तुहें हमर प्यारा बेटा छैं, तोरासे हमे बहुते खुश छियौ।” येशूके वंशावली ( मत्ती १:१-१७ ) 23 येशू जखन आपन सेवाके काम काज शुरु कैल्कै येशू लगभग तीस सालके रहै। आदमीसब ओकरा योसेफके बेटा कहै, योसेफ एलीके बेटा रहै। 24 एली मत्तातके बेटा रहै, मत्तात लेवीके बेटा रहै, लेवी मल्कीके बेटा रहै, मल्की यान्नाके बेटा रहै, यान्ना योसेफके बेटा रहै। 25 योसेफ मताथियासके बेटा रहै, मत्ताथियास आमोसके बेटा रहै, आमोस नहुमके बेटा रहै, नहुम इसलीके बेटा रहै, इसली नग्गैके बेटा रहै। 26 नग्गै माथके बेटा रहै, माथ मत्ताथियासके बेटा रहै, मत्ताथियास सेमैनके बेटा रहै, सेमैन योसेखके बेटा रहै, योसेख योदाके बेटा रहै। 27 योदा योआननके बेटा रहै, योआनन रेसाके बेटा रहै, रेसा यरुबाबेलके बेटा रहै, यरुबाबेल शाल्तिएलके बेटा रहै, शाल्तिएल नेरीके बेटा रहै। 28 नेरी मल्कीके बेटा रहै, मल्की अदीके बेटा रहै, अदी कोसामके बेटा रहै, कोसाम एलमादमके बेटा रहै, एलमादम एरके बेटा रहै। 29 एर यहोशूके बेटा रहै, यहोशू एलीएजरके बेटा रहै, एलीएजर योरीमके बेटा रहै, योरीम मत्तातके बेटा रहै, मत्तात लेवीके बेटा रहै, 30 लेवी शिमियोनके बेटा, रहै शिमियोन यहूदाके बेटा रहै, यहूदा योसेफके बेटा रहै, योसेफ योनानके बेटा रहै, योनान एल्याकिमके बेटा रहै, 31 एल्याकिम मलेआके बेटा रहै, मलेआ मिन्नाके बेटा रहै, मिन्ना मताथाके बेटा रहै, मताथा नातानके बेटा रहै, नातान दाऊद राजाके बेटा रहै। 32 दाऊद यिशैके बेटा रहै, यिशै ओबेदके बेटा रहै, ओबेद बोअजके बेटा रहै, बोअज सल्मोनके बेटा रहै, सल्मोन नहशोनके बेटा रहै। 33 नहशोन अम्मिनादाबके बेटा रहै, अम्मिनादाब आरामके बेटा रहै, आराम हेस्रोनके बेटा रहै, हेस्रोन फारसके बेटा रहै, फारेस यहूदाके बेटा रहै। 34 यहूदा याकूबके बेटा रहै, याकूब इसहाकके बेटा रहै, इसहाक अब्राहमके बेटा रहै, अब्राहम तेरहके बेटा रहै, तेरह नाहोरके बेटा रहै। 35 नाहोर सरुगके बेटा रहै, सरुग रऊके बेटा रहै, रऊ पेलेगके बेटा रहै, पेलेग एबेरके बेटा रहै, एबेर शेलहके बेटा रहै, 36 शेलह केनानके बेटा रहै, केनान अर्पक्षदके बेटा रहै, अर्पक्षद शेमके बेटा रहै, शेम नूहके बेटा रहै, नूह लेमेखके बेटा रहै। 37 लेमेख मतुशेलहके बेटा रहै, मतुशेलह हनोकके बेटा रहै, हनोक येरेदके बेटा रहै, येरेद महलालेलके बेटा रहै, महलालेल केनानके बेटा रहै। 38 केनान एनोशके बेटा रहै, एनोश शेतके बेटा रहै, शेत आदमके बेटा रहै, आदम परमेश्वरके बेटा रहै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation