Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

लूका 22 - केवट नया कारार


येशूके मारैके षड्यन्त्र
( मत्ती २६:१-५ , १४-१६ ; मर्कू १४:१-२ , १०-११ ; यूह ११:४५-५३ )

1 निस्तार पावन आर अखमिरी रोटीके पावन नज्दिक ऐल रहै।

2 प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब येशूके केरंके छल करिके पक्डीके जान मारियै कहिके दावमे रहै, मगर ऊसब आदमीसिसे डर्ते रहै।

3 तब यहूदा स्करियोत जे बारह चेलासिमेसे एकटा रहै, ओकर भितरमे शैतान ढुक्लै।

4 ऊ प्रमुख पुजारी आर मन्दिरके कप्तानसिके लगत जैके येशूके केरंके ओकरसिके हातमे गिरफ्तार करैमे सहायता करे सक्बै कहिके ओकरसिके संगे सल्लाह कैल्कै।

5 यी बात सुनिके ऊसब खुशी भेलै आर ओकरा पैसा दियैके कबुल कैल्कै।

6 यहूदा स्करियोत राजी भेलै आर सही मौकाके इन्तजार करे लाग्लै ताकी बिना कोनो हुलदंगाके येशूके यहूदी अगुवासिके द्वारा गिरफ्तार करैल ज्या सकै।


अन्तिम भोज
( मत्ती २६:१७-३० ; मर्कू १४:१२-२६ ; यूह १३:२१-३० ; १ कोर ११:२३-२५ )

7 अखमिरी रोटी ख्यावाला निस्तार पावनके भोजके समयमे भेंडाके पाठा बलिदान चढाबैके दिन नज्दिक ऐलै।

8 येशू पत्रुस आर यूहन्नाके एरं कहिके भेजल्कै, जैके आपनसिके लिए निस्तार पावनके भोज तैय्यार कर।

9 चेलासब येशूके पुछल्कै, “तुहें हमरासिके कते भेजे चाहैछ कि हमेसब निस्तार पावनके भोजके लिए भोजन तैय्यार करियै ताकी अपनासब ख्या सकियै?”

10 येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जब यरूशलेम सहरमे ढुक्भैं घैलमे पानी लेल एकटा आदमी तोरासिके मिल्तौ। ऊ जे घरमे ढुक्तौ ओत्ते तक ओकर पाछु-पाछु जो,

11 आर तुहेंसब उटा घरके मालिकके कहिहैं, गुरुजी तोरा पुछैछौं, हमे आपन चेलासिके संगे निस्तार पावनके भोज ख्यावाला मैजमान कोठा कते छै?

12 तब ऊ तोरासिके सज्याके तैय्यार राख्ल उप्पर तल्लाके एकटा बडका कोठा देखैतौ, आर ओथै तुहेंसब हमर लिए भोज तैय्यार कर।”

13 चेलासब गेलै, आर ओकरासिके येशू जेरं कहैल्कै रहे ओहिने भेलै आर ऊसब निस्तार पावनके भोजके लिए भोजन तैय्यार कैल्कै।

14 जब भोजन खैके समय भेलै, तब येशू आपन चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके संगे भोजन करैले बैठ्लै।

15 ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “हमे दुःख भोगैसे आर मरैसे पहलहै यी निस्तार पावनके भोजन तोरसिके संगे खैके बडका इच्छा कैलियै रहे।

16 हमे तोरासिके कहैछियौ, हमे यी निस्तार पावनके भोज तबतक नैखैबै जबतक परमेश्वर भविष्यमे आपन राज्यमे एकर पुरा मतलब नैदेतै।”

17 तकरबाद येशू अंगुरके मद्दवाला बाटी ल्याके परमेश्वरके धन्यवाद चढैलके बाद ऊ कहैल्कै, “यी ले आर तुहेंसब सभेको बाँटिके खो।

18 कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ, परमेश्वरके राज्य नै आबैतक ऐजके बाद अंगुरके मद्द दोबारा हमे नैपिबै।”

19 तकरबाद येशू रोटी लेल्कै आर परमेश्वरके धन्यवाद चढैलके बाद उटा रोटी तोडल्कै आर चेलासिके एरं कहिके देल्कै, “तोरसिके लिए देल यी हमर शरीर छै। ऐजसे हमर यादमे तुहेंसब अहिने करिहैं।”

20 अहिने करिके भोजन खैलके बाद ऊ अंगुरके मद्दके बाटी ल्याके कहैल्कै, “यी बाटीमे परमेश्वर आर आदमीके बीचमे नया करार स्थापित करेवाला हमर खून छै। जे खून तोरसिके लिये बहैल ज्यावाला छै।

21 मगर देख, हमरा हमर दुश्मनके हातमे गिरफ्तार कराबेवाला आदमी हमरसंगे खैले बैठ्ल छै।

22 हमे, आदमीके बेटा ते परमेश्वरके योजना मुताबिक मर्बै मगर हमरा गिरफ्तार करवाबैले हमर दुश्मनसिके सहायता करेवालाके बहुते खतरनाक सजाय मिल्तै।”

23 यी बात सुनिके येशूके एरं करेवाला ओकरसिमेसे के हैतै कहिके ऊसब एक दोसरसे पुछे लाग्लै।


के सभैसे बडका छै कहिके चेलासिके बहस
( मत्ती २०:२५-२८ ; १९:२८ ; मर्कू १०:४२-४५ )

24 तब चेलासिमेसे सभैसे बडका के कहलैल जैतै कहिके चेलासिके बीचमे बहस हुए लाग्लै।

25 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जानैछैं कि जे आदमीसब यी दुनियाँमे शासक मान्ल जैछै, ऊसब आपन अधिकारके इस्तमाल आपन अधिनमे भेल आदमीसिके उप्परमे अधिकार जमाबैके लिए करैछै। आर ओकरासिपर अधिकार चलाबेवालासब अपने आपके उपकारी कहैले लगाबैछै।

26 मगर तुहेंसब एरं नैहु। अगर तोरासिमेसे कोय आदमी सभैसे महान बनैले चाहैछै ते, अपनाके सभैसे छोट बनाबे पड्तै आर सभैके सेवक हुए पड्तै।

27 बडका के छै जेरं तोरासिके लागैछौ? भोजन खैले बैठेवाला कि सेवा करेवाला बडका छै? जरुर ही भोजन खैले बैठेवाला बडका छै। मगर हमे ते तोरसिके बीचमे एकटा सेवा करेवालाके जुगुर छियौ।

28 तुहेंसब हमर परीक्षाके समय हमरा लगातार साथ देल्हैं छे।

29 जेरंके हमर पिता हमरा राज्य करैके लिए अधिकार देल्कै, ओहिने करिके हमे भी तोरासिके राज्य करैके लिए अधिकार देबौ।

30 ताकी हमर राज्यमे तुहेंसब हमर टेबुलमे खैभैं आर पिभैं, आर इस्राएलीसिके बारहो कुलके आदमीसिके न्याय करैके लिए सिंहासनमे बैठ्भैं।

31 सिमोन, सिमोन, देख, शैतान तोरसिके सभैके जाँच करैके लिए परमेश्वरसे अनुमति माँगल्कै छे, बढियाँके खराबसे अलग करैके लिए, जेरंके एकटा किसान गहुमके भुस्सासे अलग करैछै।

32 मगर सिमोन, तुहें हमरापर विश्वास करैले नैछोडहैं कहिके हमे तोर लिये प्रार्थना कैलियौ छे। फेर तुहें पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैलके बाद आपन साथी विश्वासीसिके हमरापर विश्वास करैके लिए मजगुत बना।”

33 तब पत्रुस येशूके कहैल्कै, “हे प्रभु, हमे तोरसंगे जेल जैके लिए आर मरैले भी तैय्यार छियै।”

34 मगर येशू कहैल्कै, “पत्रुस, हमे तोरा कहैछियौ, ऐजे राती मुर्गा ऐजान दियैसे पहेला तुहें हमरा तीनबेर कहभैं कि हमे तोरा नैचिन्हैछिहौं।”

35 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “जब हमे तोरासिके थैली आर झोला आर जुत्ताबिना खुश-खबरी प्रचार करैले भेज्लियौ, कि तोरासिके कोय चीजके कमी भेलौ?” ऊसब कहैल्कै, “हमरासिके कोय चीजके कमी नैभेलै।”

36 ऊ कहैल्कै, “मगर आब आदमीसब आपनसिके विरोधमे छै सेल्याके जकर थैली छै, ऊ उटा लक, ओहिने करिके झोला भी लक। आर जकर लगत खुकरी नैछै, ऊ आपन कमिज बेचिके एकटा खुकरी किनक।

37 कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ, हमर विषयमे जे बात धरमशास्त्रमे लिख्ल छै उटा पुरा हुए पड्तै। ओत्ते लिख्ल छै, ‘ओकरा अपराधीसिके जुगुर व्यवहार कैल गेलै।’ हमर विषयमे लिख्ल बात सच्चे भ्या रहलै छे।”

38 तब चेलासब कहैल्कै, “हे प्रभु, देख, एत्ते दीटा तलवार छै।” येशू कहैल्कै, “ओतनेंटा से पुगी जैतै।”


जैतुन पहाडमे येशूके प्रार्थना
( मत्ती २६:३६-४६ ; मर्कू १४:३२-४२ )

39 सभे दिनके जुगुर येशू यरूशलेम सहर छोडिके जैतुन पहाडमे गेलै आर ओकर चेलासब भी ओकर पाछु-पाछु गेलै।

40 उटा जगहमे पुग्लके बाद ऊ चेलासिके कहैल्कै, “परीक्षामे फसैले नैपडौ कहिके तुहेंसब प्रार्थना कर्ते र।”

41 तब येशू चेलासिसे करीब तीस मिटर दूर जैके घुटुवा पारिके प्रार्थना करे लाग्लै।

42 ऊ कहैल्कै, “हे हमर पिता, अगर तोर योजनामे यी सम्भव छै ते, यी पिडा जे हमरापर आबेवाला छै हट्या द्या, यी पिडाके हमरापर नैआबैले दह, तैय्योपर हमर इच्छा कैल जुगुर नै, तोर इच्छा कैल जुगुर कर।”

43 तब स्वर्गसे एकटा स्वर्गदूत आबिके येशूके बल आर सहैके शक्ति देल्कै।

44 बहुते संकटमे पडिके आग्रहपूर्वक ऊ प्रार्थना करे लाग्लै, आर ओकर पसिना खूनके बडका-बडका बुन्द जेरं जमिनमे खस्ते रहै।

45 येशू प्रार्थना करिके चेलासिके लगत वापस ऐलके बाद ओकरासिके उदासीके कारणसे निनमे पड्ल देखल्कै।

46 येशू ओकरासिके कहैल्कै, तुहेंसब कथिले सुतैछैं? उठ् आर परीक्षामे फसैले नैपडौ कहिके तुहेंसब प्रार्थना कर्ते र।


येशूके गिरफ्तारी
( मत्ती २६:४७-५६ ; मर्कू १४:४३-५० ; यूह १८:३-११ )

47 जब येशू बोल्तहैं रहै कि आदमीसिके एकटा भीड ओत्ते ऐलै। बारह चेलासिमेसे यहूदा नामके चेला ओकरसिके अगुवा बनिके येशूके चुम्मा लियैले ओकर नज्दिक ऐलै।

48 मगर येशू ओकरा कहैल्कै, “यहूदा, कि तुहें हमे, आदमीके बेटाके चुम्मा ल्याके धोखा दैछैं?”

49 आबेवाला खतरा देखिके येशूके संगे रहेवाला चेलासब कहैल्कै, “प्रभु, कि आदमीसिसे लडैके लिए हमेसब खुकरी चलाबिहौं?”

50 बार चेलासिमेसे एकटा चेला प्रधान पुजारीके नोकरपर खुकरी चल्याके ओकर दहिना कान काटी देल्कै।

51 मगर येशू कहैल्कै, “भेलै, आब रहे दहैं।” तब येशू ऊ आदमीके कान छुबिके ओकरा ठीक करिदेल्कै।

52 येशूके गिरफ्तार करैले आबेवाला प्रमुख पुजारीसब, सिपाहीसब, परमेश्वरके मन्दिरके चौकीदार आर दोसर यहूदी आदमीसिके अगुवासब रहै। येशू ओकरासिके कहैल्कै, “कि तुहेंसब एकटा डकेतके पक्डैके जुगुर हमरा गिरफ्तार करैले तलवार आर लाठी ल्याके ऐल्हैं छे?

53 सभे दिन हमे तोरासिके परमेश्वरके मन्दिरमे सिखैते रहियै, मगर तुहेंसब हमरा गिरफ्तार नैकैल्हैं। मगर एखन तोरसिके समय छौं, कहिनेकी एखन अनहारके शक्तिके बोलवाला छै।”


पत्रुस येशूके इन्कार कैल्कै
( मत्ती २६:५७-५८ , ६९-७५ ; मर्कू १४:५३-५४ , ६६-७२ ; यूह १८:१२-१८ , २५-२७ )

54 ऊ आदमीसब येशूके गिरफ्तार करिके प्रधान पुजारीके घरमे ल्यागेलै। पत्रुस दुर्हैसे ओकर पाछु-पाछु लाग्लै।

55 आदमीसब ओत्ते ऐगनमे आगिन बारिके घुर ताप्ते रहै। पत्रुस भी जैके ओकरसिके संगे बैठ्लै।

56 तब बड्या ध्यानसे ओत्करो एकटा नोकरनी घुरके उजेतमे पत्रुसके देखल्कै आर ओकर महर देख्ते कहे लाग्लै, “यी आदमी भी ते येशूके संगे रहै।”

57 मगर पत्रुस एरं कहिके इन्कार कैल्कै, हे नारी, हमे ओकरा नैचिन्हैछियै।

58 कनेबेरके बाद फेर एकटा दोसर आदमी पत्रुसके देखिके कहैल्कै, “तहुँ ते ओकरसिमेसे एकटा छैं।” मगर पत्रुस जबाब देल्कै, “नैहो भाय, हमे नैछियै।”

59 लगभग एक घण्टाके बाद दोसर एकटा आदमी कहैल्कै, “यी आदमी जरुर ही येशूके संगे रहै, कहिनेकी यी आदमी भी गालील जिलाके रहेवाला छै।”

60 मगर पत्रुस कहैल्कै, “हौ भैया, हमरा कुछु समझमे नैआबैछै कि तुहें कि कहैछ।” पत्रुस यी बात बोल्तहैं रहै कि मुर्गा ऐजान देल्कै।

61 तब प्रभु घुमिके पत्रुसके देखल्कै। ऐज मुर्गा ऐजान दियैसे पहेला तुहें हमरा तीनबेर इन्कार कर्भैं कहिके कहेल प्रभुके वचन पत्रुसके याद ऐलै।

62 आर ऊ बाहार निक्लीके जोर-जोरसे कान्लै कहिनेकी ऊ दुखित भेलै रहे कि ऊ येशूके नैचिन्हैछियै कहिके कहैल्कै रहे।


येशूके अपमान
( मत्ती २६:५९-६८ ; मर्कू १४:५५-६५ ; यूह १८:१९-२४ )

63 ऊ सिपाहीसब जे येशूके गिरफ्तार करिके राखल्कै रहे, ऊसब ओकर मजाक उडैते ओकरा मारे-पिटे लाग्लै,

64 ओकर आँख झाँपीके थप्पड ठोकिके ओकरा पुछल्कै, “भविष्यवाणी करिके बोल कि तोरा मारेवाला के छौ?”

65 ऊसब ओकर बहुते अपमान कैल्कै।


महासभाके सामने येशू

66 यहूदी आदमीसिके अगुवासब, प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब भोरे जमा भेलै। ऊसब येशूके महासभामे ल्यागेलै,

67 आर कहैल्कै, “तुहें ख्रीष्ट छैं ते हमरासिके बता।” येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “हमे तोरासिके बतैबो कर्भौं ते तुहेंसब विश्वास नै कर्भ,

68 यदि ख्रीष्ट के छै कहिके हमे तोरा सवाल कर्बो कर्भौं ते तुहेंसब जबाब नैदेभ।

69 मगर आब तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके परमेश्वरके दहिना हातके बगल शक्तिके जगहमे बैठ्बै।”

70 तब ऊसब सभेको कहैल्कै, “ते कि तुहें परमेश्वरके बेटा छैं?” ऊ ओकरासिके जबाब देल्कै, “तोरसिके कहेल जुगुर हमे उहे छियै।”

71 ओकर बात सुनिके ऊसब कहैल्कै, “आब एकर विरुद्धमे हमरासिके दोसर कोनो साक्षीके जरुरत नैछै। एकरे मुखसे हमेसब सुनी लेलियै!”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan