लूका 17 - केवट नया कारारपाप आर माफी ( मत्ती १८:६-७ , २१-२२ ; मर्कू ९:४२ ) 1 येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “पाप करैले लगाबेवाला परीक्षासब निश्चय आबैछै, मगर ऊ आदमीके भयानक हैतै जकरद्वारा परीक्षा आबैछै। 2 अगर कोय ऊ आदमीके जे हमरापर विश्वास करैछै, ओकर विश्वासमे ठोकरके कारण बनैछै, भला ही ऊ यी बच्चाके जुगुर है, यी ओकर लिए बढियाँ हैतै कि ओकर घैंचमे एकटा भारी पत्थल बान्हल जै आर ओकरा डुबैके लिए समुन्दरमे फेकि देल जै। 3 सावधान र कि तुहें कि करैछैं। तोर संगी विश्वासी पाप करैछौ ते ओकरा सम्झा। अगर ऊ पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैछै ते तुहें ओकरा माफ कर। 4 अगर तोर संगी विश्वासी दिनमे सातबेर तोर विरोधमे पाप कर्तौ आर सातबेर तोरलगत वापस घुमिके ऊ माफी माँगैछौ यी कहिके कि ऊ पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन घुमैल्कै छे ते, तुहें ओकरा माफ करि दिहैं।” 5 चुन्ल आर भेज्ल चेलासब प्रभु येशूके कहैल्कै, “हमरसिके विश्वासके आरहौ मजगुत बनाब।” 6 प्रभु येशू कहैल्कै, “तोरसिमे रायके दाना बराबर भी विश्वास छौ ते तुहेंसब यी तुतके गाछके ‘उखडीके समुन्दरमे रोप्ल जो’ कहभैं ते ऊ मान्तौ।” 7 “अगर तोरसिके नोकर खेत जोतिके या भेंडा चर्याके घर वापस आबैछै ते, कि तुहें ओकरा कहभैं ‘तुरन्ते या आर खाना खैले बैठ?’ 8 नै, मगर तुहें कहभैं ‘हमर लिए खाना तैय्यार कर आर हमर सेवा करैके लिए तैय्यार हु, आर हमर खैल पिल नैहुऐतक हमर सेवा टहल कर, तकरबाद तुहें खानपिन कर।’ 9 तुहें आपन नोकरके उटा काम करैके लिए धन्यवाद नैदेभैं जे काम तुहें ओकरा करैले कहलहैं रहे। 10 ओहिने करिके तोरासिके कहेल सभे काम पुरा कैलके बाद तुहेंसब एरं क, ‘हमेसब नालायक सेवक छियै। हमेसब ते खाली हमरसिके कर्तव्य पालन केलियै छे।’ ” दशटा कुष्ठरोगीसब 11 जब येशू आर ओकर चेलासब यरूशलेम सहर ज्यावाला रस्तामे जैते रहै, तब ऊसब सामरिया प्रदेश आर गालील जिलाके बीचके रस्ता द्याके गेलै। 12 ऊसब एकटा गाँवमे पुग्हैवाला रहै तब दशटा कुष्ठरोगीसे ओकर भेट भेलै। ऊसब दुरेमे खडा भेल रहै। 13 ऊसब बहुते जोरसे कहैल्कै, “हे येशू गुरुजी, हमरसिके उप्पर दया कर।” 14 येशू ओकरासिके देखिके कहैल्कै, “यहूदी पुजारीलगत जो आर जैके ठीक भेलियै कि नैभेलियै कहिके पुजारीलगत अपने आपके देखा।” रस्तामे जैबेरियाँ ऊ दशोटा कुष्ठरोगीसब ठीक भ्यागेलै। 15 ओकरसिमेसे एकझन अपने आपके ठीक भेल देखल्कै, आर बडका आवाजमे परमेश्वरके महिमा कर्ते येशूके लगत वापस ऐलै। 16 तब ऊ येशूके पैरीमे गोड लागिके धन्यवाद देल्कै। ऊ घुमिके आबेवाला आदमी एकटा सामरी आदमी रहै। 17 तब येशू पुछल्कै, “कि ठीक भेल दशटा आदमी नैरहै? आरहौ नटा आदमी कते छै? 18 कि यी गैर-यहूदी आदमीके सिवाय घुमिके वापस आबिके परमेश्वरके प्रशंसा करेवाला आर कोय नैभेलै?” 19 तब येशू ऊ सामरी आदमीके कहैल्कै, “उठ् आर आपन रस्ता जो। विश्वास करैके कारणसे तुहें ठीक भेल्हैं छे।” परमेश्वरके राज्यके आगमन ( मत्ती २४:२३-२८ , ३७-४१ ) 20 एक दिन, परमेश्वरके राज्य कहिया ऐतै कहिके फरिसी समूहके आदमीसिके सवालके जबाबमे येशू ओकरासिके कहैल्कै, “परमेश्वरके राज्य एरंके आबैछै कि तुहें आपन आँखीसे देखे नैसक्भैं। 21 कोय भी आदमी यी नैकहे सकैछै, ‘देख, परमेश्वरके राज्य एत्ते छै या ओत्ते छै!’ कहिनेकी परमेश्वरके राज्य ते तोरेसिके बीचमे छौ।” 22 तकरबाद येशू चेलासिके कहैल्कै, “उटा समय ऐतै, जब तुहेंसब ‘हमे, आदमीके बेटाके कोनो एक दिन देखैके इच्छा कर्भैं, मगर देखैले नैसक्भैं।’ 23 आदमीसब तोरासिके कहतौ, ‘देख, ख्रीष्ट ओत्ते छै! देख, ऊ एत्ते छै!’ मगर तखनी तुहेंसब ओकरसिके पाछु नैलाग। 24 कहिनेकी जेरंके बिजली चमक्ले से आकाशके एक भागसे दोसर भागतक उजेत हैछै, ओहिने करिके हमे, आदमीके बेटाके भी ऐते सभेको देख्तै। 25 मगर ओरं हुऐसे पहेला हमरा भयानक रुपसे कष्ट सहैले पड्तै, आर यी पिढीके आदमीसे अस्वीकार हुए पड्तै। 26 आपनसिके पुर्खा नूहके समयमे जेरं भेलै रहे, हमे, आदमीके बेटाके समयमे भी ओहिने हैतै। 27 नूह जहाजके भितर नैजैतक आदमीसब खैते रहै, पिते रहै, बिहाशादी कर्ते रहै। तखनिहैं जलप्रलय ऐलै, आर सभैके नाश कैल्कै। 28 ओहिने करिके, आपनसिके पुर्खा लोत, जे सदोम सहरमे रहते रहै, ओकर समयमे भी ओहिने भेलै रहे। आदमीसब खैते रहै, पिते रहै, किनबेच कर्ते रहै, रोप्ते रहै, बनैते रहै। 29 मगर जे दिन लोत सदोम सहरसे बाहार निकल्लै, आकाशसे आगिन आर गन्धक वर्षीके सहरमे रहेवाला सभे आदमीके नाश कैल्कै। 30 हमे, आदमीके बेटा नैसोच्ल समयमे वापस आबेवाला दिनमे भी अहिने हैतै।” 31 अगर तुहें आपन घरके बरण्डामे छैं ते, आपन चीज लियैके लिए घरके भितरमे नैजैहैं। तोरासिके भागी जाना चाही। खेतमे भेल आदमी आपन ओढना लियैले वापस आपन घर नैजैहैं। 32 लोतके पतनीके संगे कि भेलै से याद कर! 33 जे यी धर्तीपर आपन जीवन बचाबैके कोशिश कर्तै, ऊसब सच्चा जीवन नैपाबे सक्तै। मगर तुहेंसब जे हमर कारण आपन जीवन दैछैं, सच्चा जीवन पैभैं। 34 हमे तोरासिके कहैछियौ, उटा रात दी झन एक्केटा बिछनामे सुत्ल हैतै, एकटा लजैल जैतै आर दोसरके छोड्ल जैतै। 35 दीटा जनानी एक्केसंगे जाँत पिस्ते रहतै, एकटा लजैल जैतै आर दोसर छोड्ल जैतै। 36 ओहिने करिके खेतमे भेल दीटा आदमीमेसे एकटा लजैल जैतै आर दोसर छोड्ल जैतै। 37 तब चेलासब येशूके पुछल्कै, “हे प्रभु यी सभे बात कते हैतै?” येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “जेरंके गिद्धा जमा हैछै लास ओत्ते छै कहिके आदमीसिके मालुम हैछै, ओहिने करिके यी सभे बात कते हैतै कहिके सभैके मालुम हैतै।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation