Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

लूका 15 - केवट नया कारार


हेरैल भेंडाके खिसा
( मत्ती १८:१२-१४ )

1 एक समय कर उठाबेवाला आर पापी कहलैल ज्यावाला बहुते आदमीसब येशूके वचन सुनैले ऐते रहै।

2 मगर फरिसी समूहके आदमीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब एरं कहिके कुडकुडाबे लाग्लै, “यी आदमी ते पापीसिके स्वीकार करैछै आर ओकरसिके संगे खानपिन करैछै।”

3 तब येशू ओकरासिके यी खिसा कहैल्कै:

4 “अगर तोरसिमेसे ककरो लगत एक स भेंडा छै। अगर ओकरासिमेसे एकटा हेरैतै ते तुहेंसब जरुर निनानब्बेटा भेंडाके बाधमे छोडी देभैं आर तबतक उटा हेरैल भेंडाके खोज्भैं जबतक ओकरा नैपैभैं।

5 हेरैल भेंडा पैलके बाद ऊ खुशीसे ओकरा आपन कन्हामे उठ्या लैछै।

6 आर ऊ आपन घरमे आबिके आपन साथीके आर पडोसीसिके बोल्याके ओकरासिके कहतै, ‘हमरसंगे खुशी मना, कहिनेकी हमर आपन हेरैल भेंडा पैलियै छे।’

7 हमे तोरासिके कहैछियौ, एरंके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगाबैले पडेवाला निनानब्बे धर्मी आदमीसे बेसी पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबेवाला एकटा पापी आदमीके लिए स्वर्गमे बेसी खुशी मनैल जैतै।”


हेरैल सिक्काके खिसा

8 फेर येशू दोसर एकटा खिसा कहैल्कै, “अगर एकटा जनानीके लगत दशटा चानीके सिक्का छै आर ओकर एकटा सिक्का हेरैतै ते ऊ चिराग बारतै, आर घरमे बोढन लगैतै आर जबतक ऊ उटा सिक्का नैपैतै तबतक ऊ ध्यानसे खोज्तै।

9 हेरैल सिक्का पाबिके ऊ आपन साथीसिके आर पडोसीसिके बोल्याके कहैछै, ‘हमरसंगे खुशी हो, कहिनेकी हमर आपन हेरैल सिक्का पैलियै छे।’

10 हमे तोरासिके कहैछियौ, अहिने करिके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबेवाला एकटा पापी आदमीके लिए स्वर्गमे परमेश्वरके स्वर्गदूतसब खुशी मनैतै।”


हेरैल बेटाके खिसा

11 येशू फेर आरहौ एकटा खिसा कहैल्कै, “एकटा आदमीके दीटा बेटा रहै।

12 छोट बेटा बाबुके कहैल्कै, ‘बाबु, तोर धन-दौलतसे हमर पाबेवाला हिस्सा हमरा एखनिहैं द्या।’ तब बाबु आपन धन-दौलत दोनो बेटासिके बाँटी देल्कै।

13 कुछु दिनके बाद, सभे धन-दौलत समेटीके छोट बेटा परदेश गेलै, आर ऊ ओत्ते भोग-विलासमे आपन सभेटा धन-दौलत उडैल्कै।

14 ओकर सभे धन-दौलत खतम भेलके बाद, देशमे बडका अकाल पडी गेलै, आर ओकरलगत खैके लिए कुछु भी नैबच्लै।

15 ऊ उटा देशमे एकटा आदमीके लगत काम करैले गेलै। ऊ आदमी ओकरा सुग्गर चराबेवाला काममे लगैल्कै।

16 आर ऊ एतनें भुख्ल रहै कि ऊ उटा खानाके खैसे भी खुश रहै जे सुग्गर खैते रहै। मगर कोय आदमी ओकरा खाना नैदेल्कै।

17 जब ओकर चेत खुल्लै तब ऊ कहैल्कै, ‘हमर बाबुके लगत बहुते रोजीवाला नोकरसब पेट भरिके खाना खैके उगारैछै मगर हमे एत्ते भुख्ले मरैछियै।’

18 हमे यी देश छोडिके आपन बाबुके लगत जैबै आर ओकरा कहबै, ‘बाबु, हमे परमेश्वर आर तोर विरोधमे पाप कैलियै छे।

19 आब ते हमे तोर बेटा कहलाबैके योग्यके भी नैछियै, तोर रोजीमे खटेवाला नोकरसिमेसे एकटा नोकरके जुगुर हम्रहौ राख।’

20 तब ऊ उटा देश छोडी देल्कै आर आपन बाबुके लगत जैके लिए वापस चल गेलै। मगर जब ऊ बहुते दुर्हैमे रहै तब ओकरा देखिके बाबु दयासे भर्लै आर बेटा महर दौडिके जैके गला मिलिके ओकरा चुम्मा लेल्कै।

21 बेटा ओकरा कहैल्कै, ‘बाबु, हमे परमेश्वर आर तोर विरोधमे पाप कैलियै छे। हमे फेर तोर बेटा कहलाबैके योग्यके नैछियै।’

22 मगर बाबु आपन नोकरसिके कहैल्कै, ‘जल्दीसे सभैसे बढियाँ कपडा आनिके एकरा लगाबैले दहैं। आर एकर हातमे औंठी आर पैरीमे जुत्ता लग्या दहैं।

23 आर भोजके लिए सभे चीज तैय्यार कर। पाल्ल मोटैल जानवर काट आर हमेसब खैके आनन्द मनाबियै।’

24 कहिनेकी ‘यी हमर बेटा मर्ल जुगुर रहै, मगर आब ऊ जिन्दा भेल जुगुर छै। ऊ हेरैल रहै मगर आब ऊ फेर मिल्लै छे।’ तब खुशीयालीके साथ भोज शुरु भेलै।

25 जब यी सभे बात हैते रहै, ओकर बडका बेटा खेतमे काम कर्ते रहै। जब ऊ घरके नज्दिक ऐलै, तब ऊ बाजा बज्याके धुम-धामसे नाचगान कैल आवाज सुनल्कै।

26 ऊ नोकरसिमेसे एकटाके बोल्याके पुछल्कै, ‘यी बाजा आर नाचगान कोन चीजके लिए छै?’

27 ऊ नोकर ओकरा जबाब देल्कै, ‘तोर भ्या घर वापस ऐल्हौं छे, आर तोर बाबु पाल्ल मोटैल जानवर काट्ले छौं। कहिनेकी तोर भ्या सुरक्षित आर स्वस्थ घर वापस ऐल्हौं छे।’

28 यी बात सुनिके बडका बेटा गोसैलै आर घरके भितर जैले नैमानल्कै। सेल्याके ओकर बाबु बाहार ऐलै आर बडका बेटाके घरके भितर आबैके लिए बिन्ती करे लाग्लै।

29 मगर ऊ बाबुके कहैल्कै, ‘देख, साल्हौंसे हमे नोकरके जुगुर तोर सेवा करैछिहौं, आर तोर आज्ञा कहियो उलंघन नैकैलिहौं छे। तैय्यो हमरा आपन साथीसिके संगे आनन्द मनाबैले तुहें हमरा कहियो एकटा पाठा भी नैदेलह।

30 मगर तोर धन-दौलत भोग-विलासमे उडाबेवाला यी तोर बेटा ऐल्हौं ते तुहें पाल्ल मोटैल जानवर ओकर लिए काटिके एतनें बडका भोज कैलह।’

31 तब बाबु ओकरा कहैल्कै, ‘हमर बेटा, तुहें ते हमरसंगे सभे दिनसे छैं आर हमर सभे धन-दौलत तोरे छौ!

32 मगर हमरासिके आनन्द मनाना आर खुशी होना उचित रहै, कहिनेकी यी तोर भ्या मर्ल जुगुर रहौ, मगर फेर जिन्दा जुगुर भेलै छे। ऊ हेरैल रहै मगर आब ऊ फेर मिल्लै छे।’ ”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan