लूका 1 - केवट नया कारारभूमिका 1 अति माननीय थियोफिलसके लिए, बहुते आदमीसब आपनसिके बीचमे घटिके पुरा भेल घटनासिके विवरण लिखैके कोशिश कैल्कै। 2 ऊसब ठीक उहे लिखल्कै जे हमरासिके ऊ आदमीसिसे बतैल गेलै रहे, जेसब ओकरा प्रत्यक्ष रुपसे येशूके सेवकाईके शुरुआतसे देखल्कै रहे आर पाछु परमेश्वरके वचनके सेवक बन्लै। 3 हमे भी शुरुहैसे सावधानीके साथ सभे बातके जाँच कैलियै छे आर तोर खातिर एकटा क्रम मुताबिकके विवरण लिखैले हमरा बढियाँ लाग्लै। 4 हमे यी सेल्याके करैछियै ताकी तोरा सभे बातके पुरा सच्चाई मालुम है जे आदमीसिके द्वारा तोरा बतैल गेलै छे। बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके जनमके भविष्यवाणी 5 जब हेरोद राजा यहूदिया प्रदेशके राजा रहै, जकरिया नामके एकटा यहूदी पुजारी रहै जे अबिया पुजारीके नाममे बनैल समूहसंगे सम्बन्धित रहै। ओकर पतनीके नाम एलिशिबा रहै आर ऊ भी इस्राएल देशके पहेला पुजारी हारुनके वंशके रहै। 6 यी दोनो झन परमेश्वरके नजरीमे धर्मी रहै, आर परमेश्वरके सभेटा आज्ञा आर विधि-विधानके अनुसार निर्दोष भ्याके जीवन जिते रहै। 7 मगर ओकरसिके कोनो सन्तान नैरहै कारण एलिशिबा बाझिन रहै, आर दोनो झनके उमेर ढलि गेलै रहे। 8 एक दिन जब जकरिया यरूशलेम सहरके परमेश्वरके मन्दिरमे परमेश्वरके समनामे पुजारीके रुपमे सेवा कर्ते रहै, कहिनेकी उटा हप्ता ओकर दलके पुजारीसब सेवामे रहै। 9 तब पुजारीसिके सेवाके रीत मुताबिक चिट्ठा लगैलके बाद परमेश्वरके मन्दिरमे धुप जराबैके काम जकरियाके नाममे पड्लै। सेल्याके ऊ परमेश्वरके मन्दिरमे धुप जराबैले गेलै। 10 धुप जराबैके समयमे आदमीसिके भीड बाहार परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनमे प्रार्थना कर्ते रहै। 11 तखनिहैं परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूत जकरिया लगत धुप वेदीके दहिना बगल दिखाई देल्कै। 12 ओकरा देखिके जकरिया घबरा गेलै आर भयभीत भ्यागेलै। 13 मगर स्वर्गदूत ओकरा कहैल्कै, “जकरिया डर नैमान, कारण परमेश्वर तोर प्रार्थना सुनी लेल्कौ छे। आब तोर पतनी एलिशिबा एकटा बेटाके जनम देतौ आर तुहें ओकर नाम यूहन्ना राखिहैं। 14 ऊ समयमे तोरा खुशी आर आनन्द हैतौ। ओकर जनमसे बहुते आदमी आनन्द मनैतै। 15 कहिनेकी ऊ परमेश्वरके नजरीमे महान हैतै। ऊ अंगुरके मद्द आर कोनो तरहके निसा लागेवाला चीज कहियो नैपिना चाही। ऊ जनमसे पहलहैसे ही पवित्र आत्माद्वारा निर्देशित हैतै। 16 आर ऊ बहुते इस्राएलीसिके आपन प्रभु परमेश्वरके तरफ वापस घुमैतै। 17 ओकरामे परमेश्वरके वक्ता एलियाके जेरं आत्मा आर शक्ति हैतै। ऊ बाबुके आर बेटा-बेटीके बीचमे मेल-मिलाप करैतै आर अनाज्ञाकारी आदमीसिके धर्मी आदमीसिके बुद्धि महर घुमाबैले अगुवाई कर्तै। एरंके प्रभुके आगमनके लिए यूहन्ना बहुते आदमीसिके तैय्यार कर्तै।” 18 इहे बात पर जकरिया स्वर्गदूतके पुछल्कै, “हमे यी केरंके यकीन करियै कि हमरसिके संगे एरं हैतै? हमे आर हमर पतनी दोनो झन बुढ छियै।” 19 स्वर्गदूत ओकरा जबाब देल्कै, “हमे गब्रिएल छियै, हमे परमेश्वरके समनामे निरन्तर उपस्थित रहैछियै। उहे ही हमरा तोरासे बात करैले आर यी खुश-खबरीके सुनाबैले भेजल्कै छे। 20 जबतक बच्चा जनम नै लेतै, तबतक तुहें बौक रहभैं आर नैबोले सक्भैं। कहिनेकी तुहें हमर वचनमे विश्वास नैकैल्हैं, जे वचन आपन समयमे पुरा हैतै।” 21 आदमीसब परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनमे जकरियाके इन्तजार कर्ते रहै कहिनेकी धुप जरैलके बाद पुजारीसब बाहार आबै आर आदमीसिके आशीर्वाद दै, आर ओकरा बेर हुऐके कारणसे ऊसब चकित भ्यागेलै रहै। 22 आर बाहार ऐलके बाद ऊ आदमीसिसे बोलैले नैसकल्कै। तब ऊ आदमीसिसे इशारा करे लाग्लै आर आदमीसब बुझी गेलै कि ऊ परमेश्वरके मन्दिरमे दर्शन देखल्कै। 23 जब मन्दिरमे एकटा पुजारीके रुपमे ओकर सेवाके हप्ता पुरा भेलै, तब ऊ यरूशलेम सहरसे आपन घर गेलै। 24 कुछु दिनके बाद जकरियाके पतनी एलिशिबा गर्भवती भेलै आर पाँच महिनातक दोसर आदमीसिसे दूर घरहैमे रहलै। 25 आर ऊ कहैल्कै, “प्रभु हमरा गर्भधारण करैके लिए सहायता कैल्कै छे। ऊ हमरापर कृपा कैल्कै छे आर आदमीसिके आगु हमर बाँझपनके लाज दूर करिदेल्कै छे।” येशूके जनमके भविष्यवाणी 26 जब एलिशिबा छठमा महिनाके गर्भवती भेलै, परमेश्वर गब्रिएल स्वर्गदूतके गालील जिला नासरत गाँवमे भेजल्कै। 27 ऊ एकटा कुमारी लडकी लगत गेलै जकर मगनी योसेफके संगे भेलै रहे जे दाऊद राजाके घरानासे रहै। ऊ लडकीके नाम मरियम रहै। 28 स्वर्गदूत मरियमके लगत आबिके कहैल्कै, “तोरा अभिवादन, परमेश्वर तोरापर बडका कृपा कैल्कौ छे! प्रभु तोरसंगे छौ।” 29 मरियम यी बात सुनिके बहुते व्याकुल भेलै, आर सोचे लाग्लै कि स्वर्गदूतके कहेल यी नमस्कारके मतलब कि छै। 30 स्वर्गदूत ओकरा कहैल्कै, “नैडर मरियम, कहिनेकी तुहें परमेश्वरसे कृपा पैल्हैं छे। 31 आब देख्, तुहें गर्भवती हैभैं आर एकटा बेटाके जनम देभैं, तुहें ओकर नाम येशू राखिहैं। 32 ऊ महान हैतै आर परमप्रधानके बेटा कहलैतै, प्रभु परमेश्वर ओकरा ओकर पूर्वज दाऊद राजाके जुगुर राजा बनैतै। 33 ऊ याकूबके वंशपर अनन्तकाल तक राज्य कर्तै आर ऊ सभे दिनके लिए राजाके रुपमे राज्य कर्तै।” 34 मरियम स्वर्गदूतके पुछल्कै, “हमे कुमारीए छियै ते, यी केरंके हैतै?” 35 तब स्वर्गदूत जबाब देल्कै, “पवित्र आत्मा तोरापर ऐतौ आर परमप्रधानके सामर्थ्य तोरापर पड्तौ। तोरासे जनम लिएवाला बालक पवित्र हैतै आर परमेश्वरके बेटा कहलैतै। 36 देख्, तोर रिश्तेदार एलिशिबा भी आपन बुढारि अवस्थामे गर्भधारण कैल्कै छे, आर जकरा बाँझ कहते रहै ओकरा आब छठमा महिनाके गर्भ छै। 37 कहिनेकी परमेश्वरके लिए सभे बात सम्भव छै।” 38 आर मरियम कहैल्कै, “देख्, हमे परमेश्वरके दासी छियै, हमरा तोर कहेल मुताबिक है।” तब स्वर्गदूत ओकर लगतसे बिदा भेलै। मरियम आर एलिशिबाके भेट 39 कुछु दिनके बाद, मरियम यात्राके तैय्यारी करिके तुरन्ते यहूदिया प्रदेशके पहाडी क्षेत्रके एकटा गाँवमे गेलै जते जकरिया आर एलिशिबा रहते रहै। 40 ऊ जकरियाके घरमे पहुँचीके एलिशिबाके नमस्कार कैल्कै। 41 जखन एलिशिबा मरियमके नमस्कार सुनल्कै ते ओकर पेटके बच्चा उछल्लै आर एलिशिबा पवित्र आत्मासे निर्देशित भेलै। 42 तब एलिशिबा बडका आवाजमे कहे लाग्लै, “परमेश्वर सभे जनानीसिमे तोरा धन्य बनैल्कौ छे आर ऊ बच्चा जकरा तुहें जनम देभैं, उहो धन्य छै। 43 हमे तोरा एत्ते पाबिके अपने आपके सम्मानित महसुस करैछियै हमर प्रभुके मयाँ हमरासे भेट करैले ऐलै! 44 जब तुहें आबिके हमरा नमस्कार कैल्हैं, हमर पेटके बच्चा खुशीसे उछल्लै। 45 तुहें धन्यके छैं कहिनेकी तुहें विश्वास कैल्हैं कि ‘प्रभु जे तोरा कहैल्कौ छे से पुरा हैतै।’ ” मरियमके द्वारा परमेश्वरके स्तुति 46 तब मरियम कहैल्कै, “हमे परमेश्वरके स्तुति करैछियै। 47 आर हमर आत्मा उद्धारकर्ता परमेश्वरमे आनन्द करैछै। 48 कहिनेकी ऊ हमर जुगुर नम्र सेवकपर दया कैल्कै छे। आबसे आदमीसब हमरा धन्यके कहतै। 49 कारण सर्वशक्तिमान प्रभु हमर लिए महान काम कैल्कै छे, ओकर नाम पवित्र छै। 50 ओकर भय मानेवालाके उपर ओकर दया पुस्ता-पुस्तातक रहतै। 51 ऊ आपन बाहुबलके सामर्थ्यसे महान काम कैल्कै छे। ऊ घमण्डी आदमीसिके नम्र बनाबैछै। 52 ऊ शक्तिशाली राजासिके शासन करैके अधिकार ल्यालैछै, आर दीन आदमीसिके उप्पर उठैल्कै छे। 53 आर भुख्ल आदमीसिके सबसे बढियाँ-बढियाँ चीजसे तृप्त कैल्कै छे, आर धनवान आदमीसिके खाली हात घुम्या देल्कै छे। 54 ऊ हमरसिके बाप-पुर्खासिके संगे कैल प्रतिज्ञा याद करिके आपन सेवक इस्राएलीसिके सहायता कैल्कै छे। 55 आर आपनसिके बाप-पुर्खासिके कहै जुगुर, ऊ अब्राहम आर ओकर आबेवाला सन्तानके सभे दिनके लिए दया देखाबैके लिए याद कैल्कै छे।” 56 मरियम करीब तीन महिनातक एलिशिबाके संगे रहिके आपन घर वापस ऐलै। बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके जनम 57 एलिशिबाके बच्चा जनमाबैके समय ऐलै आर ऊ एकटा बेटा जनमैल्कै। 58 परमप्रभु ओकरापर बडका दया देखैल्कै कहिके सुन्लके बाद ओकर पडोसीसब आर रिश्तेदारसब ओकरसंगे आनन्दित भेलै। 59 अठमा दिन ऊ आदमीसब बच्चाके खतनाके विधि करैले ऐलै। ऊसब बाबुके नाम पर बच्चाके नाम, जकरिया राखे खोज्ते रहै। 60 मगर ओकर मयाँ एलिशिबा कहैल्कै, “नै, एकर नाम यूहन्ना राख्ल जैतै।” 61 ऊसब ओकरा कहैल्कै, “तोर खानदानमे एरंको नाम भेल कोय नैछौ।” 62 तखन ऊसब बच्चाके बाबुसे इशारा करिके पुछल्कै, “तुहें एकर कि नाम राखैले चाहैछैं?” 63 तब जकरिया लिखेवाला पाटी माँगीके “ओकर नाम यूहन्ना ही राखे पड्तै” कहिके लिखि देल्कै। यी बात पर सभेकोय चकित भ्यागेलै। 64 तखनिहैं जकरिया फेर बोलेवाला भेलै आर परमेश्वरके स्तुति करे लाग्लै। 65 यी बातसे अगल-बगलमे रहेवाला पडोसीसिमे परमेश्वरके डर भेलै आर यहूदिया प्रदेशके पहाडी क्षेत्र महर यी बातके चर्चा फैल्लै। 66 यी बातके विषयमे जेसब सुनल्कै से आदमीसब आपन-आपन मनमे यीसब बातके विषयमे विचार करे लाग्लै आर बोले लाग्लै, “यी बालक पाछु केरं हैतै?” कहिनेकी यी पक्का रहै कि प्रभुके शक्ति बच्चापर रहै। जकरियाके स्तुतिगान आर भविष्यवाणी 67 यूहन्नाके बाबु जकरिया पवित्र आत्मासे निर्देशित भ्याके भविष्यवाणी करे लाग्लै: 68 “प्रभुके प्रशंसा कर, ऊ परमेश्वरके जकरा इस्राएलीसब आराधना करैछै। कहिनेकी ऊ आपन आदमीसिके भेट करे ऐलै छे आर आपन आदमीसिके उद्धार देल्कै छे। 69 ऊ हमरसिके उद्धारके लिए आपन दास दाऊद राजाके वंशमे एकटा शक्तिशाली उद्धारकर्ता भेजल्कै छे। 70-71 बहुते पहेला, परमेश्वर आपन पवित्र परमेश्वरके वक्तासिके द्वारा कहैल्कै कि ऊ हमरासिके हमरसिके दुश्मनसिसे आर ऊसब सभैके शक्तिसे बचैतै जे हमरासिसे घृणा करैछै। 72 ऊ आपन पुर्खासिके उप्पर दया देखाबैके लिए, आर आपन पवित्र प्रतिज्ञा याद करैके लिए यी कैल्कै छे। 73 ऊ हमरसिके पुर्खा अब्राहमके संगे कसम खैके आपन प्रतिज्ञा कैल्कै, 74 कि ऊ हमरासिके हमर दुश्मनसिसे उद्धार कर्तै ताकी हमेसब बिना कोनो डरके साथ परमेश्वरके सेवा करे सकियै। 75 आर हमेसब जबतक जिन्दा छियै, तबतक ओकर समनामे पवित्रता आर धार्मिकतामे जिये सकियै।” 76 जकरिया आपन बच्चाके कहैल्कै: “हे हमर बेटा, तुहें प्रभु परमेश्वरके वक्ता कहलैल जैभैं। कहिनेकी तुहें परमप्रधानके आगमनके लिए बहुते आदमीसिके तैय्यार करैके लिए ओकर आगु-आगु जैभैं। 77 ऊ आपन आदमीसिके पापसिसे माफ करैके द्वारा ओकरासिके उद्धारके बारेमे ज्ञान देतै। 78 यी सभे इहे ल्याके हैतै कहिनेकी हमरसिके परमेश्वर बहुते दयालु छै। जेरंके सुरुज अपनासिके रोशनी दियैके लिए चम्कैछै, ओहिने करिके ख्रीष्ट भी आपनसिके लगत स्वर्गसे ऐतै। 79 पापमे जिएवालासब आर कहियो खतम नैहुएवाला मौतके खतरामे रहेवालाके रोशनी देतै, आर ऊ रोशनी हमरासिके ऊ जीवनमे मार्गदर्शन करैतै जे हमरासिके परमेश्वरके संगमे शान्ति देतै।” 80 तब बालक यूहन्ना बढे लाग्लै आर आत्मिक रुपसे मजगुत भेले गेलै। ऊ इस्राएलीसिके बीचमे उपदेश दियैके दिनतक सुनसान जगहमे रहलै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation