यूहन्ना 6 - केवट नया कारारयेशू पाँच हजार आदमीसिके खाना खिलैल्कै ( मत्ती १४:१३-२१ ; मर्कू ६:३०-४४ ; लूक ९:१०-१७ ) 1 तकरबाद येशू गालील समुन्दर तरिके उपार गेलै। यी समुन्दरके तिबेरियसके समुन्दर भी कहैछै। 2 ओकर चमत्कारवाला चिन्ह जे ऊ रोगी-बेमारीसिके उप्पर देखैते रहै, ओकरा देखिके आदमीसिके एकटा बडका भीड ओकर पाछु-पाछु लाग्लै। 3 तब येशू एकटा छोटका पहाडमे चढिके चेलासिके संगे बैठ्लै। 4 यहूदी आदमीसिके निस्तार पावन नज्दिक ऐल रहै। 5 जब येशू आपन नजर उठ्याके आदमीसिके एकटा बडका भीडके आपन लगत ऐते देखल्कै ते, येशू आपन चेला फिलिपके पुछल्कै, “यी आदमीसिके खियाबैले अपनासब कतेसे रोटी किनिके आने सकैछियै?” 6 यी बात ऊ फिलिपके पर्खैके लिए पुछल्कै रहे, कहिनेकी ऊ खुद जान्ते रहै कि ऊ कि करेवाला छै। 7 फिलिप ओकरा जबाब देल्कै, “बहुते महिना मजदूरी करिके जतनें चानीके सिक्का मिल्तै, ओतनें चानीके सिक्कासे खाना किन्ल पर भी कने-कने खाना भी सभैके नैपुग्तै।” 8 येशूके एकटा चेला, अन्द्रियास, जे सिमोन पत्रुसके भ्या रहै, ऊ येशूके कहैल्कै, 9 “एत्ते एकटा लडका छै, जकर लगत जके पाँचटा रोटी आर दीटा माछ छै। मगर एतनें ढेर आदमीके खिलाबैके लिए एतनेंटा रोटीसे नैपुग्तै।” 10 येशू चेलासिके आज्ञा देल्कै, “आदमीसिके बैठैले लगा!” ओत्ते बहुते घासवाला बडका पर्ती रहै, आदमीसब ओथै बैठ्लै। उटा भीडमे खाली मरदसब लगभग पाँच हजार जतनें रहै। 11 तब येशू उटा पाँचटा रोटी ल्याके परमेश्वरके धन्यवाद देल्कै आर बैठ्ल आदमीसिके पर्सीके खियाबैले चेलासिके देल्कै। आर ओहिने करिके माछ भी पर्सैले लगैल्कै आर आदमीसब अघ्याके खैल्कै। 12 आर जब ऊसब पेट भरिके खैल्कै, येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “उगर्ल टुकरासब जमा कर, कनेजरा भी बर्बाद नैहै।” 13 ख्यावालासिसे उगर्ल उटा पाँचटा रोटीके टुकरा चेलासब जमा कैल्कै आर बारह ढाकी भरि गेलै। 14 सेल्याके ओकर कैल यी शक्तिशाली काम देखिके ऊ आदमीसब कहैल्कै, “यी ते जरुर ही ऊ परमेश्वरके वक्ता छै, जे संसारमे आबेवाला छै।” 15 येशू यी जानी गेलै कि आदमीसब ओकरा जबरजस्ती पक्डीके राजा बनाबैले चाहैछै, सेल्याके येशू फेर पहाडमे असकल्ले चल गेलै। येशू पानीके उप्परमे लर्लै ( मत्ती १४:२२-३३ ; मर्कू ६:४५-५२ ) 16 सझौवा भेलके बाद येशूके चेलासब समुन्दरके किनारमे गेलै। 17 आर नावमे चढिके कफर्नहुम गाँवमहर ज्या लाग्लै। तखन अनहार भेल रहै, आर येशू तखनतक ओकरसिके लगत नैऐलै रहे। 18 बहुते तेज हावा बहते रहै समुन्दरके बडका लहर उठे लाग्लै। 19 चेलासब करीब पाँच-छ किलोमिटर नाव खेबीके गेलके बाद ऊसब येशूके समुन्दरके उप्परमे लर्ले नावके तरफ ऐते देखल्कै। यी देखिके ऊसब खुबे डरी गेलै। 20 मगर येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे येशू छियै, नैडर!” 21 यी बात सुनिके चेलासब खुशी भ्याके येशूके नावमे चढैल्कै, आर ऊसब ज्यावाला जगहमे नाव तुरन्ते पुगिके किनार लाग्लै। 22 समुन्दरके किनारमे खाली एकटा नाव रहै आर चेलासिके संगे येशू नावमे नैचढ्लै रहे, मगर चेलासब खाली चढ्लै रहे कहिके समुन्दरके उपारमे भेल आदमीसिके दोसर दिन याद ऐलै। 23 जब तिबेरियससे आर नावसब ऊ जगहके लगत ऐलै, जते प्रभुके धन्यवाद चढाबैके बाद ऊसब रोटी खैल्कै रहे। 24 येशू आर ओकर चेलासब ओत्ते नैछै कहिके मालुम भेलके बाद ऊ आदमीसब येशूके खोज्ते-खोज्ते नावसिमे चढिके कफर्नहुम गाँवमे गेलै। येशू जीवन दिएवाला रोटी छै 25 येशूके समुन्दरके उपार भेट करिके आदमीसिके पुछल्कै, “गुरुजी, तुहें एत्ते कहिया ऐलह?” 26 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तुहेंसब हमर कैल चमत्कार देखिके नै, मगर अघ्याके रोटी खैले पाबैके कारणसे हमरा खोजैछैं। 27 नाश हुएवाला भोजनके लिए मेहनत नैकर, मगर कहियो खतम नैहुएवाला जीवनतक रहेवाला भोजनके लिए मेहनत कर, जे हमे, आदमीके बेटा तोरासिके यी भोजन देबौ, कहिनेकी परमेश्वर पिता हमरा एरं करैके अधिकार देल्कै छे।” 28 आदमीसब ओकरा पुछल्कै, “ते परमेश्वरके चहेल काम करैके लिए हमरासिके कि करे पड्तै?” 29 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “परमेश्वरके काम यी छै कि तुहेंसब हमरापर विश्वास कर जकरा ऊ भेजल्कै छे।” 30 यी बात पर ऊसब ओकरा कहैल्कै, “तुहें कोन चमत्कार देखैभ, जकरा देखिके हमेसब तोरापर विश्वास करियै? तुहें कि कर्भ? 31 हमरसिके पिता पुर्खासब सुनसान जगहमे खाना खैल्कै जकरा मन्ना कहैछै। जेरंके धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, ‘परमेश्वर ओकरासिके खैके लिए स्वर्गसे रोटी देल्कै।’ ” 32 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “सच्चे, हमे तोरासिके कहैछियौ, तोरासिके स्वर्गसे रोटी दिएवाला मूसा नैरहौ। स्वर्गसे तोरासिके सच्चा रोटी दिएवाला हमर परमेश्वर पिता छै। 33 कहिनेकी परमेश्वरके द्वारा दिएवाला रोटी उहे छै, जे स्वर्गसे उतरिके आबिके संसारके आदमीसिके जीवन दैछै।” 34 ऊसब ओकरा कहैल्कै, “प्रभु, परमेश्वरके यी रोटी हमरासिके सभे दिन द्या।” 35 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “रोटी जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै ऊ हमे छियै। हमरलगत आबेवालाके कहियो भुख नैलाग्तै, आर हमरपर विश्वास करेवालाके कहियो प्यास नैलाग्तै। 36 मगर हमे पहेला भी तोरासिके कहैलियौ छे भला ही तुहेंसब हमरा देखैछैं, तुहेंसब हमरापर विश्वास नैकरैछैं। 37 मगर पितासे हमरा देल सभेको हमरलगत ऐतै, आर हमरलगत आबेवालाके हमे कोनो रितीसे नैत्यागबै। 38 हमर आपन इच्छा पुरा करैले नै, मगर हमरा भेजेवालाके इच्छा पुरा करैले हमे स्वर्गसे ऐलियै छे। 39 हमरा भेजेवालाके इच्छा यी छै, कि जकरासिके ऊ हमरा देल्कै छे, ओकरासिमेसे एक्कोटाके हमे नाश हुऐले नैदियै, बरु सभैके संसारके अन्तके दिनमे मुर्दासे जिन्दा करियै। 40 कहिनेकी हमर पिताके इच्छा यी छै, जे कोय हमे, आदमीके बेटाके देखिके ओकरापर विश्वास करैछै, ओकरा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलैछै आर संसारके अन्तके दिनमे हमे ओकरासिके मुर्दासे जिन्दा बनैबै।” 41 येशू जे बात कहैल्कै रहे कि “स्वर्गसे ऐल रोटी हम्हीं छियै” उहे कारणसे यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकर विरोधमे कुड-कुडाबे लाग्लै। 42 ऊसब कहैल्कै, “यी ते योसेफके बेटा, येशू छै। एकर मयाँ आर बाबुके हमेसब चिन्हैछियै। तब यी आदमी केरंके कहे सकैछै कि हमे स्वर्गसे उतरिके ऐलियै छे।” 43 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “तुहेंसब आपनहैं-आपनहैंमे नैकुडकुडा। 44 हमरा भेजेवाला परमेश्वर पिता हमरलगत आबैके मन नैदेतै ते कोय भी हमरलगत नैआबे सक्तै, हमरलगत आबेवालाके हमे संसारके अन्तके दिनमे जिन्दा बनैबै। 45 धरमशास्त्रमे परमेश्वरके वक्तासब एरं लिखल्कै छे, ‘परमेश्वर ही सभे आदमीसिके सिखैतै।’ एरंके परमेश्वर पिताके शिक्षा सुनेवाला आर सिखेवाला सभे हमरलगत ऐतै। 46 कोय भी पिता परमेश्वरके नैदेखल्कै छे। खाली हम्हीं परमेश्वरके देख्लियै छे। 47 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे कोय हमरापर विश्वास करैछै ओकरलगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। 48 रोटी जे जीवन दैछै ऊ हम्हीं छियै। 49 तोरसिके बाप पुर्खा सुनसान जगहमे मन्न खैल्कौ, तैय्योपर ऊसब मरिके गेलौ। 50 मगर यी रोटी जकर बारेमे हमे बोलैछियै, ऊ स्वर्गसे आबैछै, आर जे कोय ओकरा खैतै, ऊ नैमर्तै। 51 स्वर्गसे उतरिके ऐल जिन्दा रोटी हम्हीं छियै। यी रोटी ख्यावाला सभे दिन जिन्दा रहतै। हमर दिएवाला रोटी हमर आपने शरीर छै। संसारके आदमीसब जीवन पाबै कहिके हमे आपन शरीर देबौ।” 52 यी बातके कारणसे यहूदी आदमीसिके अगुवासिके बीचमे तर्क-वितर्क भेलै। ऊसब कहैल्कै, “यी आदमी हमरासिके केरंके आपन शरीर खुवाबे सकैछै?” 53 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, अगर तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके शरीर नैखैभैं आर ओकर खून नै पिभैं ते तोरासिमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन नैरहतौ। 54 मगर हमर शरीर ख्यावाला आर हमर खून पिएवालाके संगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै, आर संसारके अन्तके दिनमे हमे ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैबै। 55 कहिनेकी सच्चे हमर शरीर ख्यावाला चीज छै, आर हमर खून सच्चे पिएवाला चीज छै। 56 हमर शरीर ख्यावाला आर हमर खून पिएवाला हमरामे रहैछै, आर हमे ओकरामे रहैछियै। 57 हमर परमेश्वर पिता जे हमरा भेजल्कै छे, ऊ जीवन दैछै। जेरंके ऊ हमरा जीवन देल्कै, ओहिने करिके हमे भी ऊ आदमीके जीवन देबै जे हमर शरीरके खैछै। 58 स्वर्गसे ऐल रोटी इहे छै। यी तोरसिके पिता पुर्खासिके खैल रोटीके जुगुर नैछै। ऊसब उटा रोटी खैल्कै आर मरिके गेलै। मगर यी रोटी ख्यावाला आदमी सभे दिन जितै।” 59 यी सभे बात येशू कफर्नहुम गाँवके यहूदी आदमीसिके सभाघरमे सिखाबै बेरियाँ बोल्लै रहे। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके विषयमे शिक्षा 60 यी बात सुनिके येशूके चेलासिमेसे बहुते कोय कहैल्कै, “यी शिक्षा ते बहुते कठिन छै, एकरा के अपनाबे सकैछै?” 61 चेलासब यी बात ल्याके कुड-कुडाबैछै कहिके जानीके येशू ओकरासिके कहैल्कै, “कि यी बात तोरासिके हमरापर विश्वास करैसे रोकैछौ? 62 यदि तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके उप्पर स्वर्गमहर जैते देख्भैं, जते हमे पहेला रहियै ते, कि कर्भैं? 63 जीवन दिएवाला परमेश्वरके आत्मा छै। यी काम ते आदमीके शक्तिसे हुएवाला बाते नैछै। जे बात हमे तोरासिसे बोल्लियौ छे, उटा आत्मा छै आर जीवन भी छै। 64 मगर तोरासिमेसे कतनें झन छैं, जे हमरा विश्वास नैकरैछैं। कहिनेकी येशू पहलहैसे ही जान्ते रहै विश्वास नैकरेवाला के-के छै, आर ओकरा धोखा द्याके गिरफ्तार कराबेवाला के छै।” 65 तकरबाद येशू फेर कहैल्कै, “सेल्याके हमे तोरासिके कहैलियौ छे, हमर परमेश्वर पिता हमरलगत आबैके मन नैदियै तक कोय भी आदमी हमरलगत नैआबे सकैछै।” 66 उटा समयसे येशूके चेलासिमेसे बहुते झन ओकर पाछु आबैले छोडल्कै। 67 येशू बारहो चेलासिके पुछल्कै, “कि तहुँसब भी हमरा त्यागीके जैभैं?” 68 तब सिमोन पत्रुस जबाब देल्कै, “हे प्रभु, हमेसब ककर लगत जैयै? कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके बात ते तोरे लगत छै। 69 आर हमेसब विश्वास कैलियै छे आर जानी लेलियै छे, कि तुहें ही परमेश्वरसे भेज्ल पवित्र जन छह।” 70 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि हमे आपनहैं तोरा बारहो झनके नैचुन्लियौ? तैय्योपर तोरासिमेसे एकझन शैतानके कब्जामे छैं।” 71 यी बात येशू सिमोन स्करियोतके बेटा यहूदाके विषयमे कहैल्कै रहे, कहिनेकी ऊ बारह चेलासिमेसे एकटा रहै, ऊ येशूके संगे विश्वासघात करेवाला रहै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation