यूहन्ना 5 - केवट नया कारारयेशू अडतीस सालसे बेमार भेल आदमीके ठीक कैल्कै 1 कुछु दिनके बाद यहूदी आदमीसिके एकटा पावन रहै आर येशू यरूशलेम सहरमे गेलै। 2 यरूशलेम सहरमे भितर ढुकेवाला भेंडा नामके केबाड छै आर ओकरे बगलमे पाँचटा ओसरावाला एकटा पोखर छै, जकरा हिब्रू भाषामे बेथसेदा कहैछै। 3 यी ओसरापर बहुते बेमार आदमीसब, जेरं कि-अनराह, नेंग्डा, लखुवा मार्ल आदमीसब पसरिके रहते रहै। (यी बेमार आदमीसब कुण्डके पानी हिलैके आशामे रहते रहै) 4 कहिनेकी समय-समयपर परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूत कुण्डमे उतरिके पानी हिल्यादै, आर पानी हिल्ते ही जे बेमार आदमी सभैसे पहेला पानीमे ढुकै, ओकरा चाहे कोनो रोग हुवे ऊ ठीक भ्याजै। 5 ओत्ते पानी हिलैके इन्तजार करेवाला बेमार आदमीसिमेसे अडतीस सालसे बेमार भेल एकटा आदमी भी रहै। 6 येशू ओकरा ओत्ते पसर्ल देखल्कै आर बहुते दिनसे ऊ ओत्ते ओरंको दशामे छै कहिके जानीके ओकरा पुछल्कै, “कि तुहें ठीक हुऐले चाहैछैं?” 7 बेमार आदमी येशूके कहैल्कै, “हे हौ, जखनी पानी हिलैछै हमरा कुण्डमे उतरैमे सहायता करेवाला हमर कोनो आदमी नैछै। हमे जबतक कुण्डमे उतरैके कोशिश करैछियै तबतक हमरासे पहेला दोसर आदमी कुण्डमे उतरि जैछै।” 8 तब येशू ओकरा कहैल्कै, “उठ्, आपन पटिया उठा आर लर।” 9 तुरन्ते ऊ आदमी ठीक भ्यागेलै, आर आपन पटिया ल्याके ऊ चल गेलै। जे दिन यी भेलै उटा यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिन रहै। 10 सेल्याके ठीक भेल ऊ आदमीके यहूदी आदमीसिके अगुवासब कहैल्कै, “ऐज ते यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिन छै, मूसाके विधि-विधानके मुताबिक तोरा आपन पटिया उठाना सही नैछौ।” 11 ऊ ओकरासिके जबाब देल्कै, “जे आदमी हमरा ठीक कैल्कै उहे आदमी ही हमरा आपन पटिया समेटीके लर कहैल्कै।” 12 यहूदी अगुवासब ओकरा पुछल्कै, “तोरा पटिया समेटीके लर कहिके कहेवाला आदमी के छै?” 13 मगर जे आदमी ठीक भेलै रहे, ऊ नै जान्ते रहै कि जे आदमी ओकरा ठीक कैल्कै रहे ऊ आदमी के रहै; कहिनेकी ओत्ते भीड हुऐके कारणसे येशू ओत्तेसे चल गेलै रहे। 14 तकरबाद येशू ऊ आदमीके परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनमे भेट कैल्कै आर कहैल्कै, “देख, आब तुहें ठीक भेल छैं। फेर पाप नैकर, नैते तोर आरहौ खराब दशा हैतौ।” 15 तकरबाद ऊ आदमी यहूदी आदमीसिके अगुवासिके लगत गेलै आर हमरा ठीक करेवाला येशू रहै कहिके ओकरासिके सुनैल्कै। परमेश्वरके बेटाद्वारा जीवन 16 यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे येशू यी चमत्कार कर्ते रहै, सेल्याके यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा सताबे लाग्लै। 17 मगर येशू ओकरासिके एरं जबाब देल्कै, “हमर परमेश्वर पिता सभे दिन काम करैछै आर हमरा भी काम करे पड्तै।” 18 येशूके यी बात सुनिके यहूदी आदमीसिके अगुवासब येशूके मारैले आरहौ बेसी कोशिश करे लाग्लै, कहिनेकी ऊ यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनके खाली उलंघन नैकैल्कै रहे, मगर अपने आपके परमेश्वरके बराबर बन्याके ऊ परमेश्वरके आपन पिता कहैल्कै रहे। 19 येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, हमे, बेटा आपन तरफसे कुछु नैकरे सकैछियै। मगर हमर परमेश्वर पिताके जे कैल हमे देखैछियै, हमे खाली उहे करैछियै। कहिनेकी परमेश्वर पिता जे करैछै, हमे, बेटा उहे करैछियै। 20 कहिनेकी परमेश्वर पिता हमे, बेटाके प्रेम करैछै, आर ऊ आपन कैल सभे काम हमे, आदमीके बेटाके देखाबैछै। एकरासे बडका काम परमेश्वर पिता हमरा देखैतै, आर तुहेंसब चकित भ्या जैभैं। 21 कहिनेकी परमेश्वर पिता जेरंके मर्ल आदमीसिके फेर जिन्दा बनाबैछै, ओहिने करिके हमे, बेटा भी जकरा चाहैछियै ओकरा जीवन दैछियै।” 22-23 खाली ओतनें ही नै परमेश्वर पिता आपनहैं ककरो फैसला नैकरैछै। आदमीसब परमेश्वर पिताके आदर करै जुगुर हमे, बेटाके भी आदर करै कहिके परमेश्वर पिता न्याय करेवाला काम हमे, बेटाके सौंपी देल्कै छे। हमे, बेटाके आदर नैकरेवाला आदमी हमे, बेटाके भेजेवाला परमेश्वर पिताके भी आदर नैकरैछै। 24 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे हमर वचन सुनैछै, आर हमरा भेजेवालापर विश्वास करैछै, ओकरलगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। ओकरा सजाय देल नैजैतै, मगर ऊ कहियो खतम नैहुएवाला मौतसे बची गेलै छे आर पहलहैसे ही नया जीवनमे प्रवेश करि लेल्कै छे। 25 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, उटा समय आबैछै, आर समय ऐल भी छै, जहिया मुर्दासब हमे, परमेश्वरके बेटाके आवाज सुन्तै, आर सुनेवाला सभेको सभे दिनके लिए जितै। 26 कहिनेकी परमेश्वर पिता आपनहैमे जीवन छै, ओहिने करिके ऊ हमे, बेटाके भी आपनहैमे जीवनके स्रोत हुऐके अधिकार देल्कै छे। 27 आर कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा छियै, परमेश्वर पिता हमरा सभे आदमीसिके न्याय करैके लिए अधिकार देल्कै छे। 28 तुहेंसब हमर बात सुनिके चकित नैहु। कहिनेकी समय आबैछै, जब सभे मर्ल आदमीसब हमर आवाज सुन्तै आर ऊसब जिन्दा भ्याके उठ्तै। 29 जकर लगत बढियाँ जीवन रहै, ऊसब कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबैके लिए मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्तै आर ऊसब जे बुराईमे जीवन बितैते रहै, ऊसब दोषी बनैल जैके लिए मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्तै। 30 हमे आपन तरफसे कुछु भी नैकरे सक्बै। हमे आदमीसिके न्याय ओहिने करिके कर्बै जेरंके परमेश्वर पिता हमरा ओकरसिके न्याय करैके लिए कहैल्कै छे। एरंके हमर न्याय सही हैछै कहिनेकी हमे आपने इच्छा मुताबिक नै मगर हमरा भेजेवाला परमेश्वर पिताके इच्छा मुताबिक ही काम करैछियै। 31 अगर हमे आपनहैं खाली आपन बारेमे कहबै ते हमर बात आदमीसब सच्चा नैमान्तै। 32 मगर हमर बारेमे आदमीसिके कहेवाला आरहौ एकझन परमेश्वर पिता छै आर हमे जानैछियै, कि हमर बारेमे ऊ जे कहैछै ऊ सभे बात सच हैतै। 33 एकर सिवाय तुहेंसब बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके लगत समाद दिएवालाके भेज्लहैं आर ऊ सच्चाईके गवाही देल्कै छे। 34 यी बात नैछै कि हमरा आपन बारेमे कोय आदमीके कहैके जरुरत छै, मगर तोरसिके उद्धारके लिए हमे यूहन्नाके कहेल बात तोरासिके कहैलियौ छे। 35 यूहन्ना ते एकटा बरेवाला आर चम्केवाला चिरागके जुगुर रहै मगर तुहेंसब ओकर उजेतमे कनेबेर तक आनन्द मनाबैले राजी भेल्हैं। 36 मगर हमरलगत जे गवाही छै, उटा यूहन्नासे बडका छै। कहिनेकी जे काम पिता हमरा पुरा करैले देल्कै छे, उहे काम हमर बारेमे गवाही दैछै। जे काम हमे करैछियै उहे गवाही दैछै कि परमेश्वर पिता हमरा भेजल्कै छे। 37 हमरा भेजेवाला परमेश्वर पिता आपनहैं हमर बारेमे गवाही देल्कै छे। ओकर आवाज तुहेंसब कहियो नैसुन्लहैं छे, आर ओकरा आमने-सामने भी नैदेख्लहैं छे। 38 ओकर वचन तोरसिके आपन मनमे नैराखैछैं कहिनेकी तुहेंसब हमरापर विश्वास नैकरैछैं, जकरा परमेश्वर भेजल्कै छे। 39 तुहेंसब धरमशास्त्र होशियारी साथ अध्ययन करैछैं, कहिनेकी तुहेंसब सोचैछैं कि ओकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलैछै। आर हमर बारेमे गवाही दिएवाला इहे धरमशास्त्र छै। 40 तैय्योपर तुहेंसब कहियो खतम नैहुएवाला जीवन लियैले हमरलगत आबैले नैचाहैछैं। 41 हमे आदमीसिके प्रशंसाके आशा नैकरैछियै। 42 मगर तुहेंसब आपन मनमे परमेश्वरके प्रेम नैकरैछैं कहिके हमे जानैछियै। 43 हमे आपन परमेश्वर पिताके अधिकारके साथ ऐलियै छे, मगर तुहेंसब हमरा स्वीकार नैकरैछैं। मगर दोसर कोय आपन अधिकारमे आबेवालासिके तुहेंसब स्वीकार करैछैं। 44 तुहेंसब हमरापर विश्वास करे नैसकैछैं, कहिनेकी तुहेंसब एक दोसरसे प्रशंसा चाहैछैं, आर तुहेंसब खाली एकटा परमेश्वर पितासे प्रशंसा पाबैके कोशिश नैकरैछैं। 45 यी नैसमझ कि परमेश्वर पिताके सामने हमे तोरासिके दोष लगैबौ। तोरासिके दोष लगाबैके लिए ते मूसाके विधि-विधान छौ, जकरामे तुहेंसब आपन आशा राख्लहैं छे। 46 सच्चे तुहेंसब मूसाके विश्वास कर्तिहैं ते हम्रहौ भी विश्वास कर्तिहैं, कहिनेकी ऊ हमर बारेमे लिखल्कै रहे। 47 कहिनेकी तुहेंसब ओकर लिख्ल बातमे विश्वास नैकरैछैं ते, निश्चित रुपसे हमर कहेल बातमे भी विश्वास नैकर्भैं। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation