Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

यूहन्ना 14 - केवट नया कारार


येशू आपन चेलासिके भरोसा देल्कै

1 येशू चेलासिके कहैल्कै, “तोरसिके मन व्याकुल नैहौ। तुहेंसब परमेश्वरपर विश्वास राखैछैं, हम्रहौपर विश्वास राख।

2 हमर परमेश्वर पिताके घरमे रहेवाला बहुते जगह छै। ओरं नैहैतियै ते हमे तोरासिके कहैतियौ से, कि हमे आपन परमेश्वर पिता कते तोरसिके लिए जगह तैय्यार करे जैछियौ?

3 आर जैके तोरसिके लिए जगह तैय्यार कैलके बाद, हमे फेर ऐबौ, आर तोरासिके हमरसंगे रहैके लिए ल्याजैबौ आर हमे जते छियै, ओत्ते तहुँसब हैभैं।”


येशू रस्ता, सच, आर जीवन

4 उटा जगहके रस्ता जते हमे जैछियै तुहेंसब जानैछैं।

5 थोमा ओकरा कहैल्कै, “हे प्रभु, तुहें कते जैछह, उहो हमेसब नैजानैछियै ते, हमेसब रस्ता केरंके चिन्हबै?”

6 येशू ओकरा कहैल्कै, “रस्ता, सच, आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन हम्हीं छियै। हमर बिना कोय भी परमेश्वर पिताके लगत नै ज्या सक्तै।

7 यदि तुहेंसब सच्चे हमरा चिन्तिहैं ते, हमर परमेश्वर पिताके भी चिन्तिहैं। आबसे तुहेंसब हमर परमेश्वर पिताके चिन्हैछैं, आर ओकरा देख्लहैं भी छे।”

8 फिलिप येशूके कहैल्कै, “हे प्रभु, हमरासिके परमेश्वर पिताके दर्शन कर्या द्या। हमेसब सन्तुष्ट भ्याजैबै।”

9 येशू ओकरा जबाब देल्कै, “फिलिप हमे तोरसिके संगमे एतनें दिनसे छियौ, आर एखनिहौं तक तुहें हमरा नैचिन्हैछैं? जे कोय हमरा देखल्कै छे ऊ परमेश्वर पिताके देखल्कै छे। ते तुहें केरंके कहैछैं, ‘हमरासिके परमेश्वर पिताके दर्शन कर्या द्या?’

10 हमे परमेश्वर पितामे रहैछियै आर परमेश्वर पिता हमरामे रहैछै। कि तुहें यी बात पर विश्वास नैकरैछैं? हमे खुद आपन अधिकारसे कुछु नैकहैलियै छे। परमेश्वर पिता हमरामे बास करिके उहे करैछै जे ऊ चाहैछै।

11 हमरा विश्वास कर कि हमे परमेश्वर पितामे रहैछियै, आर परमेश्वर पिता हमरामे रहैछै। नैते जे चमत्कार हमे कैलियै छे ओकर खातिर हमर विश्वास कर।

12 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे हमरापर विश्वास करैछै, ऊ उटा सभे काम कर्तै जे हमे करैछियै, आर एक्रहौ से बडका-बडका काम कर्तै, कहिनेकी हमे परमेश्वर पिताके लगत जैछियै।

13 आर तुहेंसब हमर चेला हुऐके नातासे जे कुछु भी माँग्भैं ते हमे ओकरा पुरा कर्बौ, ताकी एकरासे बेटाके द्वारा परमेश्वर पिताके महिमा प्रकट है।

14 यदि तुहेंसब हमर चेला हुऐके नातासे हमरासे कुछु माँग्भैं ते हमे ओकरा पुरा कर्बौ।


परमेश्वरके पवित्र आत्माके भेजैके वादा

15 यदि तुहेंसब हमरा प्रेम करैछैं ते हमर आज्ञाके पालन कर्भैं।

16 आर हमे परमेश्वर पितासे प्रार्थना कर्बै, आर ऊ तोरसिके संगे सभे दिन रहेवाला सहायक देतौ।

17 ऊ पवित्र आत्मा छै, जे परमेश्वरके बारेमे सचके प्रकट करैछै। यी संसारके आदमी पवित्र आत्माके स्वीकार नैकरे सकैछै, कहिनेकी संसारके आदमी पवित्र आत्माके नैते देखैछै नैते चिन्हैछै। मगर तुहेंसब पवित्र आत्माके चिन्हैछैं, कहिनेकी ऊ तोरसिके संगे रहैछौ, आर ऊ तोरासिमे बास कर्तौ।

18 हमे तोरासिके अनाथ नैछोड्बौ। हमे तोरसिकेलगत फेर ऐबौ।

19 आब कुछु समयके बाद संसारके आदमी हमरा नैदेख्तै, मगर तुहेंसब हमरा देख्भैं। तुहेंसब हमरा देख्भैं कहिनेकी हमे फेरसे जिन्दा भ्याजैबै, आर सेल्याके तहुँसब भी जिन्दा रहभैं।

20 जब हमे मुर्दासे जिन्दा हैबै, तब तुहेंसब जानी लेभैं कि हमे हमर परमेश्वर पितामे रहैछियै, आर तुहेंसब हमरामे रहैछैं, आर हमे तोरासिमे रहैछियै।

21 जे हमर आज्ञाके जानैछै आर पालन करैछै, ऊ हमरासे प्रेम करैछै। आर जे हमरासे प्रेम करैछै, ओकरासे हमर परमेश्वर पिता प्रेम कर्तै। आर हम्हुँ ओकरासे प्रेम कर्बै, आर हमे अपने आपके ओकरलगत प्रकट कर्बै।”

22 तब यहूदा (यहूदा स्करियोत नै, मगर उहे नामके दोसर आदमी) येशूके कहैल्कै, “प्रभु, कहिने तुहें हमरसिके लगत खाली अपने आपके प्रकट कर्भ, मगर संसारके आदमीसिके लगत नै?”

23 येशू ओकरा जबाब देल्कै, “हमे अपने आपके एरंके आदमीसिके देखाबैछियै जे हमरासे प्रेम करैछै आर जे हमर शिक्षाके पालन करैछै, हमर परमेश्वर पिता ओकरा प्रेम कर्तै, तब हमे आपन परमेश्वर पिताके साथ ओकरलगत आबिके ओकरसंगे रहबै।

24 हमरा प्रेम नैकरेवाला हमर आज्ञाके पालन नैकर्तै। यी बात जे तुहेंसब एखन सुनैछैं उटा हमे खुद आपन अधिकारसे नैकहैलियै छे। यी बात परमेश्वर पिताके तरफसे ऐलै छे, जे हमरा भेजल्कै छे।

25 यीसब बात हमे तोरसिके संगमे रहैके समयमे ही तोरासिके कही देलियौ छे।

26 मगर सहायक, यानिकी पवित्र आत्मा, जकरा परमेश्वर पिता हमर जगह लियैके लिए भेज्तै, ऊ तोरासिके सभे बात सिखैतौ, आर जे कुछु हमे तोरासिके कहैलियौ छे, उटा सभे बात तोरासिके याद दिलैतौ।

27 हमे तोरासिके शान्ति दैछियौ यानिकी उटा शान्ति जे हमरलगत छै। यी ऊ शान्ति नैछै जे संसार दिए सकैछै। तुहेंसब आपन मनमे व्याकुल नैहु आर नैडर।”

28 “तुहेंसब हमरा यी कहते सुन्लहैं कि हमे जैछियौ, आर फेर तोरसिकेलगत ऐबौ। यदि तुहेंसब हमरा प्रेम कर्तिहैं ते खुशी मनैतिहैं कि हमे परमेश्वर पिताके लगत जैछियै, कहिनेकी परमेश्वर पिता हमरासे महान छै।

29 आब यी सभे बातसब हुऐसे पहलहै हमे तोरासिके कहिदेलियौ छे, आर जब यी बातसब हैतौ तुहेंसब हमरापर विश्वास करे सक्हैं।

30 हमरलगत तोरसिसे बात करैके लिए ढेर समय नैबच्लै छे, कहिनेकी यी संसारके मालिक जे शैतान छै ऊ आबैछौ। हमरपर ओकर कोनो शक्ति नैछै।

31 हमे ओहिने करैछियै जेरं परमेश्वर पिता हमरा आज्ञा देल्कै ताकी संसारके आदमीसिके पता चलै कि हमे परमेश्वर पितासे प्रेम करैछियै। आब उठ, अपनासब एत्तेसे चल।”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan