यूहन्ना 13 - केवट नया कारारयेशू आपन चेलासिके पैर धोयल्कै 1 निस्तार पावन शुरु हुऐसे पहेला येशूके यी पता रहै कि यी संसारसे छोडिके आब ओकर आपन पिता-परमेश्वर लगत वापस लौटिके जैके समय आबी गेलै छे। ओकर आपन चेलासब जे यी संसारमे रहै, ओकरासिके ऊ एखनतक जेरं प्रेम कर्ते रहै, ओहिने करिके अन्तिमतक ऊ ओकरासिके पुरा तरहसे प्रेम कर्ते रहै। 2 येशू आर ओकर चेलासब रातके खाना खैते रहै। शैतान पहलहैसे ही येशूके धोखा दियैके लिए सिमोनके बेटा यहूदा स्करियोतके मनमे डाली चुक्लै रहे। 3 येशू यी जान्ते रहै कि परमेश्वर पिता सभे कुछु ओकर हातमे द्या देल्कै छे, आर यी कि ऊ परमेश्वरके लगतसे ऐलै छे, आर परमेश्वरे कते जैछै। 4 तब येशू खानापर से उठिके आपन उप्परके कपडा खोलीके कम्मरमे लपेटल्कै। 5 तब येशू एकटा गमलामे पानी ल्याके आपन चेलासिके पैर धुवे लाग्लै आर आपन कम्मरमे लपेटल कपडासे एकटा नोकरके जुगुर ओकरसिके पैर पोछे लाग्लै। 6 जब ऊ सिमोन पत्रुसके लगत ऐलै ते, पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “हे प्रभु, कि तुहें हमर पैर धोय्भ?” 7 येशू ओकरा जबाब देल्कै, “हमे एखन जे करैछियै तुहें एकर मतलब नैबुझ्भैं, मगर पाछु बुझ्भैं।” 8 पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “नै प्रभु! हमे आपन पैर तोरा कहियो भी धुवैले नैदेभौं।” तब येशू ओकरा कहैल्कै, “यदि तुहें आपन पैर हमरा धुवे नैदेभैं ते, तोर हमरसंगे कोनो सम्बन्ध नैहैतौ।” 9 तब सिमोन पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “हे प्रभु! तब खाली हमर पैर नै, मगर हमर हात आर माथ भी धोय द्या।” 10 येशू ओकरा जबाब देल्कै, “एकटा आदमी जे लहैल छै ओकरा खाली आपन पैरके धुवैके जरुरत छै, ओकर पुरा शरीर साफ छै। तुहेंसब सभेको शुद्ध छैं, खाली एक झनके छोडिके।” 11 येशू ते जान्ते रहै कि ओकरा के धोखा करिके गिरफ्तार करैतै। सेल्याके ऊ यी बात कहैल्कै रहे कि, “तुहेंसब सभेको शुद्ध छैं, खाली एक झनके छोडिके।” 12 ओकरसिके पैर धुवैके बाद येशू आपन उप्परके कपडा पिन्हीके फेर वापस जैके खाना खैले बैठ्लै। तब ऊ आपन चेलासिके कहैल्कै, “कि तुहेंसब यी बुझलहैं कि हमे तोरसिके संगे कि कैलियौ? 13 तुहेंसब हमरा गुरु आर प्रभु कहैछैं, उटा तुहेंसब ठीके कहैछैं, कहिनेकी हमे तोरसिके गुरु आर प्रभु छियौ। 14 अगर हमे तोरसिके गुरु आर प्रभु भ्याके तोरसिके पैर धोयलियौ छे ते तोरहौसिके एक दोसराके पैर धुविके हमर अनुकरण करना चाही। 15 कहिनेकी हमे तोरासिके एकटा नमुना देखैलियौ छे, ताकी तहुँसब ओहिने करहैं जेरं हमे तोरसिके संगे कैलियौ छे। 16 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, मालिकसे बडका नोकर नैहैछै आर कोय भी सन्देशवाहक खबर भेजेवाला से बडका नैहैछै। 17 आब जब कि तुहेंसब यी बातसब जानैछैं ते, ओकरा कर ताकी तुहेंसब धन्यके भ्याजहैं।” धोखाबाज चेला यहूदा स्करियोतके बारेमे येशूके इशारा ( मत्ती २६:२०-२५ ; मर्कू १४:१७-२१ ; लूक २२:२१-२३ ) 18 “हमे तोरसिके सभैके बारेमे यी बात नैकहैछियौ। हमे ते तोरासिमे हरेकके जानैछियौ, जकरासिके हमे चुन्लियै छे। मगर एरं इहे ल्याके हैछै ताकी धरमशास्त्रमे जे लिख्ल छै उटा बात पुरा है। यी कहैछै, ‘जे हमरसंगे खैल्कै ऊ हमरा धोखा देल्कै छे।’ 19 यीसब घटना घटैसे पहलहै हमे तोरासिके एकर बारेमे इहे ल्याके बताबैछियौ, ताकी यीसब घटना घटलके बाद तोरासिके पुरा विश्वास भ्याजौ कि हमे उहे छियै जकरा परमेश्वर भेजल्कै छे। 20 हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जकरा हमे पठाबैछियै, ओकरा स्वागत करेवाला हमरा स्वागत करैछै, आर हमरा स्वागत करेवाला हमरा भेजेवालाके स्वागत करैछै।” 21 यी बात कहिके येशू एकदम व्याकुल भेलै तब ऊ आपन चेलासिके बुझ्याके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तोरसिमेसे हमरसंगे ख्यावाला एकझन हमरा गिरफ्तार करैके लिए हमर दुश्मनसिके सहायता कर्तै।” 22 चेलासब प्रभुके यी बातके बुझे नैसकल्कै कि येशू ककर बारेमे कहैछै, आर ऊसब चकित भ्याके एक-दोसरके देखे लाग्लै। 23 प्रभुके एकटा चेला जकरा ऊ बहुते प्रेम कर्ते रहै ऊ चेला येशूके बगलमे बैठ्ल रहै। 24 उहे चेलाके सिमोन पत्रुस इशारा करिके कहैल्कै, “तुहीं ओकरासे पुछैं कि ऊ यी बात ककर बारेमे कहैछै।” 25 ऊ चेला येशूके छातीके तरफ झुकिके ओकरासे पुछल्कै, “प्रभु, ऊ के छै जे तोरा दुश्मनसिके हातमे गिरफ्तार करवाबैले सहायता कर्तै?” 26 येशू जबाब देल्कै, “जकरा हमे रोटीके टुकरा चटनीमे डुब्याके देबै, हमर कहेल आदमी उहे छै।” तब येशू रोटीके टुक्रा डुब्याके सिमोन स्करियोतके बेटा यहूदा स्करियोतके देल्कै। 27 यहूदा रोटीके टुकरा लेलके बाद, येशू ओकरा कहैल्कै, “तुहें जे करेवाला छैं उटा जल्दी कर।” ऊ समयमे शैतान यहूदाके आपन वशमे कैल्कै। 28 ओत्ते भोजन खैले बैठेवाला चेलासिमेसे कोय भी यी बात नै जान्ते रहै कि येशू ओकरा एरं कहिने कहैल्कै। 29 कुछु चेलासब बुझल्कै कि शायद येशू ओकरा यी कहैल्कै कि पावनके लिए जे कुछु चीजके जरुरत छै उटा जल्दीसे किनिले, या गरिबसिके थोडा-बहुत द्या दहैं, कहिनेकी सभैके पैसा-कौडी राखेवाला थैली यहूदा स्करियोतके लगत ही रहते रहै। 30 रोटीके टुकरा खैलके बाद यहूदा तुरन्ते ओत्तेसे बाहार निक्लीके चल गेलै। तखनी रातके समय रहै। येशू एकटा नया आज्ञा देल्कै 31 जब यहूदा ओत्तेसे बाहार चल गेलै तब येशू कहैल्कै, “आब हमे, आदमीके बेटाके महिमा प्रकट भेलै छे, आर आब परमेश्वरके महिमा ओकरद्वारा प्रकट भेलै छे। 32 अगर परमेश्वर ओकरद्वारा महिमित भेल छै ते परमेश्वर आपन बेटाके महिमित बनैतै, आर ऊ उटा तुरन्ते कर्तै। 33 हे हमर बेटासब, कुछु देरतक हमे तोरसिके संगमे छियौ। तकरबाद तुहेंसब हमरा खोज्भैं, जेरं हमे यहूदी आदमीसिके अगुवासिके कहैलियै रहे, हमे तोरहौसिके कहैछियौ, जते हमे जैछियै, ओत्ते तुहेंसब नैआबे सक्भैं। 34 एकटा नया आज्ञा हमे तोरासिके दैछियौ: तुहेंसब एक दोसराके प्रेम कर। जेरंके हमे तोरासिसे प्रेम कैलियौ छे, तहुँसब एक दोसराके ओहिने प्रेम कर। 35 यदि तुहेंसब एक दोसराके प्रेम कर्भैं ते, सभेको जानी लेतै कि, तुहेंसब हमर चेला छैं।” पत्रुसके द्वारा येशूके इन्कार करैके विषयमे भविष्यवाणी ( मत्ती २६:३१-३५ ; मर्कू १४:२७-३१ ; लूक २२:३१-३४ ) 36 सिमोन पत्रुस येशूके पुछल्कै, “हे प्रभु, तुहें कते जैछह?” येशू जबाब देल्कै, “हमे जते जैछियै, एखन हमर पाछु-पाछु तुहें ओत्ते नैआबे सक्भैं, मगर पाछु तुहेंसब ओत्ते ऐभैं।” 37 पत्रुस येशूके कहैल्कै, “प्रभु, कहिने एखन हमे तोर पाछु-पाछु नैआबे सकैछियै? हमे तोर खातिर आपन जान दियैले भी तैय्यार छियै।” 38 येशू जबाब देल्कै, “तुहें हमर खातिर आपन जान दियैके बात करैछैं? हमे तोरा सच कहैछियौ, ऐजे राती मुर्गा ऐजान दियैसे पहेला तुहें हमरा तीनबेर कहभैं कि तुहें हमरा नैचिन्हैछैं।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation