Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

यूहन्ना 10 - केवट नया कारार


येशू बढियाँ चरवाहा

1 येशू आरहौ कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे आदमी भेंडशालाके फाटक द्याके नै, मगर दोसर द्याके भितर ढुकैछै, ओरंको आदमी चोर आर डकेत छै।

2 मगर भेंडाके चरवाहा केबाड द्याके भितर ढुकैछै।

3 ओकर लिए पहरा दिएवाला दरवान केबाड खोली दैछै आर ओकर आवाजके भेंडासब चिन्हैछै। ऊ आपन भेंडासिके नाम ल्या-ल्याके बोलाबैछै आर ओकरासिके बाहार ल्याजैछै।

4 ऊ आपन सभे भेंडासिके बाहार निकाली लेलके बाद ऊ ओकरसिके आगु-आगु जैछै, आर भेंडासब ओकर पाछु-पाछु जैछै, कहिनेकी भेंडासब ओकर आवाज चिन्हैछै।

5 भेंडासब कोनो अन्ठिया आदमीके पाछु कहियो नैजैतै, मगर ओकर लगतसे भागी जैतै। कहिनेकी अन्ठिया आदमीके आवाज ऊसब नैचिन्हैछै।”

6 येशू ओकरासिके यी उदाहरण देल्कै, मगर ओकर कहैके मतलब ऊसब नैबुझल्कै।

7 सेल्याके येशू फेर ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, हमे भेंडासिके केबाड जुगुर छियै।

8 दोसर आदमीसब जे हमरासे पहेला ऐलै, ऊसब चोर आर डकेत रहै, मगर हमर भेंडासब ओकरसिके बात नैसुनल्कै।

9 हमे भितर ढुकेवाला फाटक जुगुर छियै। हमर द्याके भितर आबेवालाके परमेश्वर उद्धार कर्तै। ऊ सुरक्षित भितर-बाहार आनाजाना कर्तै, आर खैके लिए भोजन पैतै।

10 चोर ते खाली भेंडासिके चोराबैके लिए, जान मारैके लिए आर नाश करैके मकसदसे ही आबैछै। मगर हमे इहे ल्याके ऐलियै कि ऊसब वास्तवमे जिन्दा रहै।

11 हमे बढियाँ चरवाहा छियै। बढियाँ चरवाहा आपन भेंडाके लिए आपन मर्जीसे आपन जान तक द्या दैछै।

12 मजदूरी पर राख्ल नोकर जब खटिहाके ऐते देख्तै ते ऊ भागी जैतै। ऊ भेंडासिके छोडी देतै कहिनेकी ऊ ओकर चरवाहा नैछै आर भेंडासब ओकर नैछै। सेल्याके खटिहा झुण्ड पर हमला करैछै आर झुण्डके तहस-नहस करि दैछै।

13 ऊ आदमी भेंडासिके छोडिके इहे ल्याके भागी जैछै, कहिनेकी ऊ ते खाली मजदूरी पर काम करेवाला नोकर छै, ओकरा भेंडासिके कोनो चिन्ता-फिकिर नैरहैछै।

14-15 हमे बढियाँ चरवाहा छियै, जेरंके परमेश्वर पिता हमरा चिन्हैछै आर हमे परमेश्वर पिताके चिन्हैछियै, ओहिने करिके हमे आपन भेंडासिके चिन्हैछियै आर हमर आपन भेंडासब हमरा चिन्हैछै। आर हमे ओकरसिके लिए मरैके लिए तैय्यार छियै।

16 हमर आरहौ भेंडासब छै, जे यी भेंडशालाके नैछै। ओक्रहौसिके हमरा आने पड्तै आर उहोसब हमर आवाज सुन्तै तब हमर सभेटा भेंडासब एक्केटा झुण्ड हैतै आर चरवाहा भी एक्केटा हैतै।

17 परमेश्वर पिता हमरा प्रेम करैछै, कहिनेकी हमे आपन इच्छासे आपन जान दैछियै ताकी हमे फेरसे जिन्दा रहियै।

18 कोय भी हमर जान हमरासे नै लिए सकैछै, मगर हमे आपन इच्छासे आपन जान दैछियै। हमर आपन जान दियैके अधिकार हमरलगत छै, आर फेर वापस लियैके अधिकार भी हमरलगत छै। कहिनेकी यी उहे आज्ञा छै जे हमरा हमर परमेश्वर पितासे मिल्लै छे।”

19 यीसब बातके कारण यहूदी आदमीसिके अगुवासिके बीचमे फेर मतभेद भेलै।

20 ओकरसिमेसे बहुते आदमी कहते रहै, “एकरा भूत लाग्ल छै, आर यी पागल छै। तुहेंसब एकर बात कथिले सुनैछ?”

21 मगर दोसर आदमीसब कहैल्कै, “भूत लाग्ल आदमी एरं बात नैकरैछै। एकटा भूत कहियो भी एकटा अनराह आदमीके दृष्टि नै दिए सकैछै।”


येशूके परमेश्वरके बेटा हुऐके दावा

22 यी ठण्डाके मौसम रहै, आर येशू ऊ समयमे यरूशलेम सहरमे रहै। “परमेश्वरके मन्दिर अर्पण” नामके पावन ऐल रहै।

23 येशू परमेश्वरके मन्दिरमे सुलेमान राजाके ओसरा, जे परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनके भितर रहै ओकरापर टहल्ते रहै।

24 यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा चारो तरफसे घेरी लेल्कै आर पुछल्कै, “तुहें हमरासिके लम्बा समयतक दोधारमे राख्लह छे। आब हमरासिके साफसे बत्या द्या। कि तुहें ख्रीष्ट छह?”

25 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “हमे तोरासिके कहिदेलियौ छे, मगर तुहेंसब हमरापर विश्वास नैकरैछैं। हमर पिताके अधिकारसे जे काम हमे करैछियै, उहे कामसब ही बताबैछै कि हमे के छियै।

26 मगर तुहेंसब हमर बात पर विश्वास नैकरैछैं, कहिनेकी तुहेंसब हमर भेंडासिमेसे नैछैं।

27 जेरंके भेंडासब आपन असली चरवाहाके आवाजके ध्यान दैछै, ओहिने करिके हमर आदमीसब हमर कहेल बातमे ध्यान दैछै। हमे ओकरासिके जानैछियै आर ऊसब हमर चेला बनी गेलै छे।

28 ओकरासिके हमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछियै, आर ऊसब कहियो नाश नैहैतै, आर कोय ओकरासिके हमर लगतसे हमला करिके छिनिके नैलजाबे सक्तै।

29 ओकरासिके हमर जिम्मामे दिएवाला हमर परमेश्वर पिता सभैसे शक्तिशाली छै। आर परमेश्वर पिताके लगतसे कोय ओकरासिके छिनिके लजाबे नैसक्तै।

30 परमेश्वर पिता आर हमे एक छियै।”

31 एकबेर फेर यहूदी आदमीसिके अगुवासब येशूके जान मारैले पत्थल उठैल्कै।

32 यी देखिके येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके हमर परमेश्वर पिताके तरफसे बहुते बढियाँ-बढियाँ कामसब देखैलियौ। एकरामेसे कोन कामके लिए तुहेंसब हमरा जानसे मारैले चाहैछैं?”

33 यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा जबाब देल्कै, “बढियाँ कामके लिए हमेसब तोरा पत्थल ल्याके नैमारैले चाहैछियौ, मगर तुहें जे ईश्वर निन्दा करैछैं, इहे ल्याके कहिनेकी तुहें आदमी भ्याके भी अपने आपके परमेश्वर छियै कहिके दावा करैछैं।”

34 येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “विधि-विधान कहैछै कि ‘परमेश्वर आपन आदमीसिके अगुवासिके कहैल्कै कि ऊसब ईश्वर रहै।’

35 आर तुहेंसब जानैछैं कि धरमशास्त्रमे लिख्ल बात बदल्ल नै ज्या सकैछै। सेल्याके यदि परमेश्वर ओकर आदमीसिके अगुवासिके ‘ईश्वर’ कहैछै।

36 ते तुहेंसब हमरा कथिले कहैछैं, ‘तुहें ईश्वर निन्दा करैछैं’ जब हमे यी कहैछियै, ‘हमे परमेश्वरके बेटा छियै? हमे उहे छियै जकरा परमेश्वर पिता अलग कैल्कै आर हमरा संसारमे भेजल्कै।

37 अगर हमे परमेश्वर पिताके काम नैकैलियै छे ते हमरापर विश्वास नैकर।

38 अगर हमे परमेश्वर पिताके काम करैछियै, तैय्योपर हमरापर विश्वास नैकरैछैं ते यी काममे विश्वास कर। तब तोरासिके मालुम हैतौ, कि परमेश्वर पिता हमरामे रहैछै आर हमे परमेश्वर पितामे रहैछियै।

39 ऊसब फेर ओकरा गिरफ्तार करैले खोजल्कै, मगर येशू ओकरसिसे दूर चल गेलै।’ ”

40 येशू फेर यर्दन लद्दीके पार उटा जगहमे गेलै जते यूहन्ना पहेला बप्तिस्मा दै, आर ऊ ओथै रहलै।

41 बहुते आदमीसब येशूके लगत ऐलै। आर ऊसब कहैल्कै, “यूहन्ना कोनो शक्तिशाली कामसब नैदेखैल्कै, मगर येशूके विषयमे कहेल ओकर सभे बात सच रहै।”

42 एरंके उटा जगहके बहुते आदमीसब येशूपर विश्वास कैल्कै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan