यूहन्ना 1 - केवट नया कारारवचन आदमीके रुप धारण कैल्कै 1 यी सारा संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ऊ रहै जकरा वचन कहैछै। आर ऊ परमेश्वरके संगमे रहै, आर ऊ परमेश्वर रहै। 2 ऊ शुरुआतसे ही परमेश्वरके संगमे रहै। 3 सभे चीज ओकरद्वारा सृजल गेलै आर सृजल कोनो चीज ओकर बिना नैसृजल गेलै। 4 ऊ सभे जीवनके स्रोत छै, आर ऊ उहे छै जे सभे आदमीसिके उजेत दैछै। 5 ऊ उजेत अनहारमे चम्कैछै आर अनहार ओकरा मिझाबे नैसकल्कै छे। 6 परमेश्वर यूहन्ना नामके एकटा आदमीके भेजल्कै। 7 ऊ उजेतके बारेमे गवाही दियैले ऐलै ताकी संसारके सभे आदमीसब यूहन्नाके गवाही सुनिके विश्वास करे सकै। 8 यूहन्ना आपनहैं उटा उजेत नैरहै, मगर ऊ उजेतके बारेमे गवाही दियैले ऐलै रहे। 9 येशू जे सच्चा उजेत छै जे सभे आदमीसिके उजेत दैछै, ऊ यी संसारमे आबैछै। 10 ऊ संसारमे रहै, संसार ओकरद्वारा सृजल गेलै, तैय्योपर संसारके आदमीसब ओकरा नैचिन्हल्कै। 11 ऊ आपने आदमीसिके लगत ऐलै, मगर ओकर आपने आदमीसब ओकरा स्वीकार नैकैल्कै। 12 मगर जतनें आदमीसब ओकरा स्वीकार कैल्कै आर ओकरामे विश्वास कैल्कै, ओकरासिके ऊ परमेश्वरके सन्तान बनैके अधिकार देल्कै। 13 ऊसब मयाँ-बाबुसे नैजन्मलै छे, आदमीके इच्छासे या कोनो एकटा आदमीके सन्तान पाबैके इच्छासे नै मगर परमेश्वरसे जनमल हैछै। 14 आर ऊ जकरा वचन कहेल जैछै एकटा आदमी बन्लै। ऊ अनुग्रह आर सच्चाईसे परिपूर्ण भ्याके आपनसिके बिच्चेमे रहलै, आर हमे ओकर महिमा देख्लियै। ओकर महिमा एरं रहै जेरं परमेश्वर पितासे ऐल एक्लौता बेटाके महिमा रहै। 15 बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना ओकर बारेमे गवाही देल्कै रहे। ऊ जोरसे कहैल्कै, “हमरबाद आबेवाला हमरासे बहुते महान छै कहिनेकी ऊ हमर जनमसे पहलहैसे अस्तित्वमे रहै। हमर कहेल बात ओकरे बारेमे छै।” 16 ओकर अनुग्रहके भरपूरीसे अपनासब सभेको आशिष पर आशिष पैलियै छे। 17 कहिनेकी विधि-विधान मूसाके द्वारा ऐलै, मगर परमेश्वर येशू ख्रीष्टके द्वारा अनुग्रह आर सच्चाई देखैल्कै। 18 परमेश्वरके कोय भी कहियो नैदेखल्कै छे। मगर परमेश्वरके एकलौता बेटा येशू ख्रीष्ट, जे खुद ही परमेश्वर छै, खाली उहे परमेश्वरके देखल्कै छे। बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके गवाही ( मत्ती ३:१-१२ ; मर्कू १:१-८ ; लूक ३:१-१८ ) 19 यरूशलेम सहरके यहूदी आदमीसिके अगुवासब कुछु यहूदी पुजारी आर परमेश्वरके मन्दिरमे सहायता करेवाला लेवी कुलके आदमीसिके बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना के छै कहिके बुझैले भेजल्कै। 20 ऊ ओकरासिके साफसे कहैल्कै, “हमे ख्रीष्ट नैछियै।” 21 तब ऊसब ओकरा पुछल्कै, “तब तुहें के छह ते? कि तुहें परमेश्वरके वक्ता एलिया छह?” बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना कहैल्कै, “नै, हमे नैछियै।” ऊसब पुछल्कै, “कि ते तुहें कोनो परमेश्वरके वक्ता छह?” बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना जबाब देल्कै, “नै, हमे नैछियै।” 22 ऊसब ओकरा कहैल्कै, “तुहें के छह, हमरासिके कह ताकी हमरासिके भेजेवालाके हमेसब जबाब दिए सकियै। तुहें आपन विषयमे कोन्ची कहैछ?” 23 बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना कहैल्कै, “हमे उहे छियै जकर विषयमे यशैया परमेश्वरके वक्ता कहैल्कै छे, ओकर आवाज सुनसान जगहमे जोर-जोरसे हल्ला करिके आदमीसिके एरं कहते रहै, ‘प्रभुके रस्ता तैय्यार कर, ओकर रस्ता ठीक कर, जे रस्ता द्याके ऊ ऐतै।’ ” 24 बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके सवाल करेवाला आदमीसिके फरिसी समूहके आदमीसब भेजल्कै रहे। 25 तब ऊसब बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके पुछल्कै, “तुहें ख्रीष्ट भी नैछह, परमेश्वरके वक्ता एलिया भी नैछह, ऊ परमेश्वरके वक्ता भी नैछह ते, कोन अधिकारसे तुहें बप्तिस्मा दैछ?” 26 बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना ओकरासिके जबाब देल्कै, “हमे ते पानीसे बप्तिस्मा दैछियै, मगर तोरसिके बिच्चेमे एकझन खडा छौ, जकरा तुहेंसब नैचिन्हैछैं। 27 हमरबाद आबेवाला उहे छौ। ओकर जुत्ताके फित्ता खोलैके लायक भी हमे नैछियै।” 28 यीसब बात यर्दन लद्दीके उपार बेथानियाँ गाँवमे भेलै रहे, जते बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आदमीसिके बप्तिस्मा देते रहै। परमेश्वरके बलि-भेंडा 29 दोसर दिन यूहन्ना येशूके आपन महर ऐते देखिके कहैल्कै, “देख, संसारके आदमीसिके पापसे छुटकारा दिएवाला परमेश्वरके द्वारा भेज्ल आदमी जे अपने आपके बलि-भेंडाके जुगुर बलिदान कर्तै। 30 ओकरे बारेमे हमे कहैलियै रहे, ‘हमरबाद एकटा आदमी आबैछै, ऊ हमरासे महान छै कहिनेकी ऊ हमर जनमैसे पहलहैसे अस्तित्वमे रहै।’ 31 ऊ ख्रीष्ट छै कहिके हमे आपनहैं भी ओकरा नैचिन्हलियै रहे, मगर ओकरा इस्राएलीसिके बीचमे चिन्हाबैके लिए ही हमे पानीसे बप्तिस्मा दियैले ऐलियै छे।” 32 तब यूहन्ना एरं कहिके गवाही देते कहैल्कै, “हमे परमेश्वरके आत्माके स्वर्गसे पेर्वाके रुपमे उतरिके येशूपर आबिके बैठ्ल देख्लियै। 33 ऊ ख्रीष्ट छै कहिके हमे आपनहैं भी ओकरा नैचिन्हलियै रहे, मगर जे हमरा पानीसे बप्तिस्मा दियैले भेजल्कै, ऊ हमरा कहैल्कै रहे, ‘जे आदमीके उप्परमे तुहें पवित्र आत्माके उतर्ते आर बैठ्ते देख्भैं, पवित्र आत्मासे बप्तिस्मा दिएवाला उहे छै।’ 34 हमे तोरासिके सच कहैछियौ कि परमेश्वरके बेटा उहे छै।” येशूके पहेला चेलासब 35 दोसर दिन यूहन्ना उहे जगहमे आपन दीटा चेलासिके संगमे खडा रहै। 36 ऊ येशूके नज्दिकसे जैते देखिके कहैल्कै, “देख, संसारके पापसे छुटकारा दिएवाला परमेश्वरके द्वारा भेज्ल आदमी इहे छै जे अपने आपके बलि-भेंडाके जुगुर बलिदान कर्तै।” 37 यूहन्नाके यी बात सुनिके ऊ दोनोटा चेला येशूके पाछु लागि गेलै। 38 येशू पाछु महर घुमिके देखल्कै ते, दोनोटा चेलासिके आपन पाछु ऐते देखिके पुछल्कै, “तुहेंसब ककरा खोजैछैं?” ऊसब कहैल्कै, “गुरुजी, तुहें कते रहैछ?” 39 ऊ ओकरासिके जबाब देल्कै, “या आबिके देख!” तखनी सझौवाके चार बजेवाला रहै। ऊसब येशूसंगे गेलै आर ओकर रहेवाला जगह देखल्कै आर उटा दिन ओकरेसंगे रहलै। 40 यूहन्नाके कहेल बात सुनिके येशूके पाछु लागेवाला दोनो चेलामेसे एकझन सिमोन पत्रुसके भ्या अन्द्रियास रहै। 41 कुछु देरके बाद आपन बडका भ्या सिमोनके भेट करिके अन्द्रियास कहैल्कै, “हमरासिके मसीह मिल्लै छे।” (यूनानी भाषामे “मसीह” के मतलब “ख्रीष्ट” छै जकर मतलब “अभिषिक्त” हैछै)। 42 अन्द्रियास पत्रुसके येशूके लगत आनल्कै। येशू पत्रुसके देखिके कहैल्कै, “तुहें योआनेसके बेटा पत्रुस छैं, देख तोर नाम केफास हैतौ।” (“केफास” एकटा अरामी भाषाके नाम छै जकर मतलब “पत्थल” हैछै) येशू फिलिप आर नथानेलके बोलैल्कै 43 दोसर दिन येशू गालील जिलामे जैले निर्णय करिके निकल्लै। उहे समय रस्तामे जैबेरियाँ ऊ फिलिपके देखल्कै आर कहैल्कै, “हमर चेला बन।” 44 अन्द्रियास आर पत्रुस जुगुर फिलिप भी बेथसेदा गाँवमे रहेवाला आदमी रहै। 45 तकरबाद फिलिप नथानेलके भेट करिके कहैल्कै, “हमरासिके ऊ आदमी मिल्लै छे, जकर बारेमे मूसाके विधि-विधानमे आर परमेश्वरके वक्तासब लिखल्कै रहे। ऊ नासरत गाँवके योसेफके बेटा येशू छै।” 46 यी सुनिके नथानेल ओकरा कहैल्कै, “नासरत गाँवसे भी कोनो बढियाँ चीज आबे सकैछै से?” फिलिप ओकरा कहैल्कै, “आबिके देख!” 47 येशू नथानेलके आपन महर ऐते देखिके ओकर बारेमे कहैल्कै, “देख, इस्राएलीसिके भरोसामन्द सन्तान, जे पुरा तरहसे इमानदार छै।” 48 नथानेल पुछल्कै, “तुहें हमरा केरंके चिन्हल।” येशू ओकरा जबाब देल्कै, “फिलिप तोरा बोलाबैसे पहलहै, हमे तोरा अन्जीरके गाछके निच्चामे देख्लियौ रहे।” 49 नथानेल येशूके कहैल्कै, “गुरुजी, तुहें परमेश्वरके बेटा छह, तुहें इस्राएलीसिके राजा छह।” 50 येशू नथानेलके कहैल्कै, “कि हमे तोरा अन्जीरके गाछके निच्चामे देख्लियौ कहैके कारणसे तुहें विश्वास करैछैं? तुहें एकरासे भी बडका-बडका कामसब देख्भैं।” 51 तब येशू ओकरा कहैल्कै, “हमे तोरा सच कहैछियौ, तुहेंसब स्वर्ग उघर्ल आर परमेश्वरके स्वर्गदूतसिके उप्पर जैते आर हमे, आदमीके बेटाके उप्परमे उतर्ते देख्भैं।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation