Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

याकूब 2 - केवट नया कारार


भेद-भाव करना पाप छै

1 हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब आपनसिके महिमामय प्रभु येशू ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला छैं सेल्याके तुहेंसब ककरोसे भेद-भाव नैकर।

2 उदाहरणके लिए, कोय आदमी सोनाके औंठीसब आर बढियाँ-बढियाँ कपडा पिन्हीके तोरसिके संगतिमे ऐलौ। आर कोनो एकटा गरिब आदमी भी मैलझैल कपडा पिन्हीके ऐलौ।

3 आर तुहेंसब ऊ बढियाँ कपडा पिन्हेवाला आदमीके आदर करिके बढियाँ जगहमे बैठैके लिए कहैछैं, आर ऊ गरिबके ओथै खडा रहैके लिए या तोर पैरी लगत निच्चामे बैठैके लिए कहैछैं।

4 ते कि तुहेंसब एत्ते भेद-भाव प्रकट नैकैल्हैं? आर कि तुहेंसब कुविचारसे न्याय करेवाला नैभेल्हैं?

5 हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, ध्यान दहैं। परमेश्वर ऊ आदमीसिके चुनल्कै छे, जे संसारके नजरमे गरिब छै ताकी ऊसब विश्वासमे मातबर भ्याजै आर उटा राज्यके हकवाला बनै, जकरा परमेश्वरके प्रेम करेवाला आदमीसिके दियैके वादा कैल्कै छे।

6 मगर तुहेंसब ते गरिब आदमीसिके अपमान कैल्हैं छे। तोरासिके मालुम छौ कि मातबर आदमीसब ही तोरासिके अत्याचार करैछौ। ऊसब ऊ छै जे तोरासिके अदालतमे जबरजस्ती ल्याजैछौ।

7 येशूके सम्मान योग्य नामके विरोधमे ऊसब खराब बात बोलैछै, जकरसे तुहेंसब सम्बन्ध राखैछैं।

8 यदि तुहेंसब आपन पडोसीके आपने जुगुर प्रेम कर कहिके धरमशास्त्रमे लिख्ल परमेश्वरके विधि-विधानके पालन करैछैं ते तुहेंसब ठीक काम करैछैं।

9 मगर यदि तुहेंसब भेद-भाव करैछैं ते तुहेंसब पाप करैछैं आर तुहेंसब विधि-विधानके तोडेवाला आदमी ठहरैछैं।

10 कहिनेकी जे कोनो आदमी सभे विधि-विधानके पालन करैछै मगर ऊ आदमी विधि-विधानमे लिख्ल एकटा भी बातके उलंघन करैछै ते, ऊ आदमी विधि-विधानके सभे बात उलंघन करैके दोषी ठहरैछै।

11 कहिनेकी जे परमेश्वर कहैल्कै “व्यबिचार नैकर” उहे परमेश्वर यी भी कहैल्कै कि “हत्या नैकर”। सेल्याके यदि तुहें व्यबिचार ते नैकैल्हैं, मगर हत्या कैल्हैं ते, तुहें भी विधि-विधानके उलंघन करेवाला भेल्हैं।

12 ऊ आदमीसिके जुगुर बोल आर व्यवहार कर। जकर न्याय विधि-विधानके मुताबिक कैल जैतै, जे अपनासिके स्वतन्त्र करैछै।

13 कहिनेकी जे आदमी दया करैले नैजानैछै, ओकर न्याय भी दया बिना ही हैतै। यदि तुहें दोसरपर दया करैछैं, ते जब परमेश्वर न्याय कर्तै, ऊ तोर प्रति दयालु हैतौ।


विश्वास आर काम

14 हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, यदि कोनो आदमी कहैछै कि ओकरा प्रभु येशू ख्रीष्टमे विश्वास छै, मगर ऊ बढियाँ काम नैकरैछै ते एकरासे कि फैदा? कि एरंको विश्वास कहियो ओकरा बचाबे सकैछै?

15 उदाहरणके लिए, कोय विश्वासी भ्या या बहिनके लत्ता-कपडाके जरुरत छै, आर ओकरा सभे दिन भोजनके कमी छै,

16 आर तोरासिमेसे कोय ओकरा कहैछै, “कुशलसे चल जो, बढियाँसे पिन्ह आर पेट भरिके खो” मगर जे चीज ओकर शरीरके लिए जरुरी छै यदि ऊ चीज तुहें नैदैछैं ते, एकरासे कि फैदा?

17 ओहिने करिके यदि कोनो आदमी प्रभु येशूमे विश्वास करैछै मगर ऊ आपन व्यवहारमे नैदेखाबैछै ते, ऊ आदमीके विश्वास बेकार छै।

18 मगर यदि कोय कहे सकैछै, “तुहें येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं, आर हमे बढियाँ कामसब करैछियै।” मगर हमे कहैछियौ कि काम बिनाके तोर विश्वास हमरा साबित कर आर हमे आपन विश्वास आपन बढियाँ कामके द्वारा तोरा देखैबौ।

19 तोरासिके विश्वास छौ कि परमेश्वर एक्केटा छै, से बात बढियाँ छै। भूतसब भी यी बातमे विश्वास करैछै आर डरसे थरथर काँपैछै।

20 हे मूर्ख आदमीसब! कि तुहेंसब यी भी नैजानैछैं कि बढियाँ काम बिनाके विश्वास बेकार छै?

21 निश्चित रुपसे आपनसिके पुर्खा अब्राहम आपन बेटा इसहाकके वेदीमे चढाबैके समयमे आपन कैल कामसिके द्वारा परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित भेलै।

22 तुहेंसब देखैछैं कि ऊ परमेश्वरमे विश्वास राखल्कै रहे आर परमेश्वरके कहेल मुताबिक कामसब कर्ते रहै, आर ओकर कैल कामके द्वारा ओकर विश्वास पूर्ण बनैल गेलै।

23 आर धरमशास्त्रके यी वचन सच भेलै, “अब्राहम परमेश्वरमे विश्वास कैल्कै, आर ओकर विश्वासके कारण परमेश्वर ओकरा धर्मी घोषित कैल्कै” आर ऊ परमेश्वरके दोस्त कहलैल गेलै।

24 तुहेंसब देखैछैं कि आदमी खाली विश्वासके द्वारा नै मगर ऊ जे बढियाँ काम करैछै ओकरद्वारा आदमी धर्मी घोषित ठहरैल जैछै।

25 ओहिने करिके राहाब वेश्याके भी परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित कैल गेलै, जब ऊ सुराकीसिके आपन घरमे शरण देल्कै, आर दोसरे रस्ता द्याके बिदा कैल्कै, तब ऊ आपन बढियाँ कामके द्वारा परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित कैल गेलै।

26 जेरंके शरीर आत्मा बिना मर्ल हैछै, ओहिने करिके विश्वास भी बढियाँ कामके बिना मर्ल हैछै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan