याकूब 1 - केवट नया कारारशुभकामना 1 हमे, याकूब यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे परमेश्वर आर प्रभु येशू ख्रीष्टके सेवक छियै आर सभे देशसिमे छिरियाके रहेल यहूदी विश्वासीसिके जे बारह कुलसिके छै, तोरासिके हमर नमस्कार! 2 हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, जब तोरासिपर अनेक किसिमके जाँच करेवाला आपद-विपदसब ऐतौ ते एकरा बडका आनन्दके बात समझ। 3 कहिनेकी तुहेंसब जानैछैं कि, जब तोरसिके विश्वास जाँच्ल जैछौ आर तुहेंसब यी साबित करैछैं कि तुहेंसब आरहौ भी परमेश्वरमे भरोसा राखैछैं, तब तुहेंसब धीरजके साथ समस्यासिके सहे सक्भैं। 4 तोरासिके सभे बातसब सहैले सिखे पड्तौ, ताकी तुहेंसब आत्मिक रुपसे परिपक्क आर पूर्ण भ्याजहैं आर तोरासिमे कोनो बढियाँ चरित्रके कमी नैहौ। 5 मगर यदि तोरसिमेसे कक्रहौ बुद्धिके कमी छै ते ऊ परमेश्वरसे माँगक, जे बिना दोष लगैले सभैके खुल्ला दिलसे दैछै, ऊ तोरासिके यी देतौ। 6 जब तुहेंसब ओकरसे माँगैछैं, तब तुहेंसब खाली परमेश्वरमे विश्वास कर आर ओकरामे शंका नैकर, कहिनेकी शंका करेवाला आदमी समुन्दरके लहरके जुगुर अस्थिर रहैछै जकरा हावासे उठैते आर पटकते रहैछै। 7-8 एरंको आदमी आपन मन बदलते रहैछै आर ऊ भरोसामन्द नैहैछै। एरंको आदमी यी आशा नैराखक कि परमेश्वरसे ओकरा कुछु मिल्तै। मातबर आर गरिब 9 विश्वासी जेसब गरिब छै ओकरासिके खुश हुए पड्तै कि परमेश्वर ओकरासिके आदर कैल्कै छे। 10 विश्वासी जेसब मातबर छै, ओकरासिके खुश हुए पड्तै कि परमेश्वर ओकरासिके नम्र बनैल्कै छे, कहिनेकी ऊसब घासके फूल जेरं खतम भ्याजैतै। 11 सुरुज उग्लके बाद कडा रौद लागैछै आर घासके सुख्या दैछै आर ओकर फूल झडिजैछै आर ओकर खूबसूरती खतम भ्याजैछै। ओहिने करिके मातबर विश्वासी भी मर्तै जब ऊ आपन काममे व्यस्त रहैछै। परमेश्वर परीक्षा नैकरैछै 12 ऊ आदमी धन्यके छै, जे परीक्षामे स्थिर रहैछै, कहिनेकी ऊ आपन विश्वास साबित कैलके बाद ऊ कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके मकुट पैतै, जे परमेश्वरके प्रेम करेवाला आदमीसिके दियैके वादा परमेश्वर कैल्कै छे। 13 जब ककरो परीक्षा हैछै ते, ऊ आदमी यी नैकहक कि ओकर परीक्षा परमेश्वरद्वारा हैछै, कहिनेकी परमेश्वर कोनो खराब काम करैके लिए परीक्षामे नैपडैछै आर दोसर आदमीके भी ऊ परीक्षा नैकरैछै। 14 मगर आदमीसब आपने खराब इच्छासिके कारण गलत काम करैले चाहैछै जे ओकरासिके लल्चाबैछै आर ओकरासिके पापमे फसाबैके कोशिश करैछै। 15 नतिजा स्वरुप, ऊसब आपन दुष्ट इच्छाके मुताबिक खराब काम करैके फैसला करैछै, आर तब ऊसब पापी काम कर्ते रहैछै। जब पाप पुरा बढी जैछै ते ऊसब कहियो खतम नैहुएवाला सजाय पाबैछै। 16 हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, परमेश्वर आपनसिके परीक्षा लैछै कहिके धोखामे नैपड। 17 कहिनेकी हरेक बढियाँ आर हरेक उत्तम वरदान पिता परमेश्वरसे आबैछै, जे आकाशमे भेल सभे उजेतके सृष्टि कैल्कै छे। परमेश्वर सभे दिन एक समान छै आर ऊ छायाके जुगुर नैबदलैछै। 18 परमेश्वर आपने इच्छासे सच्चाईके वचनके द्वारा अपनासिके नया जीवन दियैके निर्णय कैल्कै छे, ताकी जेरंके फसलके पहेला अनाज सभैसे महत्वपूर्ण अंश हैछै ओहिने करिके अपनासब भी ओकर बनैल सभे चीजके महत्वपूर्ण भाग हुए सकियै। सुनेवाला खाली नै, करेवाला बन 19 हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, यी बात तुहेंसब जानी ले, हरेक आदमी सुनैके लिए तत्पर र आर बोलैमे कम आर गोस्सा करैमे धिमा हुए पडैछै। 20 कहिनेकी जब एकटा आदमी गोस्सा करैछै, परमेश्वरके खुश करेवाला धर्मी रस्ताके मुताबिक ऊ जिये नैसकैछै। 21 सेल्याके सभे तरहके गन्दा आचरण आर दुष्ट व्यवहार बन्द करिके नम्रतासे परमेश्वरके वचनके स्वीकार कर जे तोरसिके हृदयमे रोप्ल छौ आर जे तोरसिके जीवनके कहियो खतम नैहुएवाला सजायसे बचाबे सकैछै। 22 परमेश्वरके वचन पालन करेवाला हु, खाली सुनेवाला भ्याके अपने आपके धोखा नैदहैं। 23 कहिनेकी जे कोय आदमी परमेश्वरके वचन सुनैछै मगर पालन नैकरैछै ते, ऊ एकटा एरंको आदमीके जेरं छै, जे आपन मुख ऐनामे देखैछै। 24 आर ऊ खुदके देखैछै आर चल जैछै, आर ऊ तुरन्ते भूली जैछै कि ऊ केरं रहै। 25 मगर जे ध्यानसे परमेश्वरके सिद्ध विधि-विधान अध्ययन करैछै जे आदमीसिके पापसे छुटकारा दैछै, जे ऊ सुनल्कै छे उटा बात ऊ नैभुलैछै आर एकर सिखैल बात पालन करैछै ते ओकर कैल काममे परमेश्वर ओकरा आशिष देतै। 26 यदि कोय आदमी अपने आपके धर्मी सम्झैछै आर आपन जिभाके खराब बात बोलैसे काबुमे नैराखैछै ते ऊ खुदके धोखा दैछै आर ओकर भक्ति बेकार छै। 27 आपनसिके परमेश्वर पिताके नजरीमे शुद्ध आर निष्कलंक धरम यी छै, कि दुःखमे पडल अनाथ आर मोसामातसिके देखभाल करना, आर खुदके संसारमे भेल खराब आचरणसे बच्याके राखना। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation