Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

हिब्रू 9 - केवट नया कारार


संसारिक आर स्वर्गीय आराधना

1 पुरना करारमे आराधनाके विषयमे विधि-विधान रहै आर आराधनाके लिए आदमीसिके द्वारा बनैल गेल एकटा परमेश्वरके पाल भी रहै।

2 यी परमेश्वरके पाल जानवरसिके चमडासे बन्ल रहै। उटा पालके बिच्चेमे, ऊसब एकटा पर्दा लटक्या देल्कै आर दीटा कोठा बन्या देल्कै। पहेला कोठामे धुपदानी रहै जकर सातटा शाखा रहै। ओत्ते एकटा टेबुल रहै जकरापर परमेश्वरके चढैल ज्यावाला रोटी राख्ल जैते रहै। यी कोठाके पवित्रस्थान कहेल जैते रहै।

3 दोसर कोठा जे पर्दाके पाछु रहै, ओकरा महा-पवित्रस्थान कहेल जैछै।

4 यी कोठामे सोनाके एकटा वेदी रहै, जकर इस्तमाल धुप जराबैके लिए कैल जैते रहै। आर ओत्ते एकटा सन्दुक भी रहै जे भितर-बाहार सोनाके पत्तर चढैल रहै। ऊ सन्दुकके करारके सन्दुक कहेल जैते रहै। सन्दुकके भितरमे तीनटा चीज रहै। सभैसे पहेला एकटा सोनाके वर्तन रहै, जकरामे एकटा विशेष भोजन रहै जकरा “मन्न” कहेल जैते रहै। एकरामे हारुनके लाठी भी रहै जकरामे टुसा लाग्ल पत्ता रहै। अन्तमे, एकरामे पत्थलके दीटा पाटी रहै, जकरापर परमेश्वर उटा दशटा आज्ञा लिखल्कै रहे, जे ऊ मूसाके देल्कै रहे।

5 उटा सन्दुकके ढक्कनके सभैसे उप्परके भागके पापसिके माफी करैके जगह कहेल जैछै। करुब जे स्वर्गदूतसिके जुगुर छै जे परमेश्वरके महिमाके देखाबैछै, ऊसब उटा जगहके आपन डेनसिसे झाँपीके राखै। एखन यी सभे बातसिके विषयमे विस्तारसे बताबैके समय नैछै।

6 अहिने करिके ऊसब उटा सभे चीजसिके परमेश्वरके पालके दीटा कोठामे तैय्यार कैल्कै। यहूदी पुजारी सभे दिन आपन धार्मिक विधिसब पुरा करैके लिए पहेला कोठामे जै।

7 मगर खाली प्रधान पुजारी पुरा सालमे खाली एकबेर महा-पवित्रस्थानमे जैछै। जब ऊ भितर जैछै ते, ऊ आपन संगमे जानवरसिके खून ल्याके जैछै आर ऊ एकरा आपन पापके माफीके लिए आर आदमीसिके पापसिके माफीके लिए परमेश्वरके बलिदान चढाबै, जे पाप ऊसब अनजानमे कैल्कै रहे।

8 यी विधिसिके द्वारा पवित्र आत्मा अपनासिके यी सम्झाबैछै कि जबतक यी धर्तीपर परमेश्वरके पाल आर एकर विधिसब पालन कैल जैछै तबतक स्वर्गमे परमेश्वरके महा-पवित्रस्थानमे जैके रस्ता एखनतक नैखुल्लै छे।

9 ऊ सभे चीजसब खाली यी बातसिके उदाहरण रहै जे कि एखन ख्रीष्टके कारण पुरा हैछै। कहिनेकी उटा सभेटा चढैल दान आर बलिदान जे ऊ आदमीसिके द्वारा परमेश्वरके चढैल जैते रहै, जेसब ओकर भक्ति करेवाला रहै, ऊसब आदमीसिके मन आर दिलके शुद्ध बनाबैके योग्य नैरहै।

10 कहिनेकी उटा पुरना विधि-विधान खाली यी विषयसिपर आधारित छै यानिकी एकटा आदमीके कि खाना-पिना चाही आर दोसर शुद्धिकरणके विषयमे। यी विधिसब जकरा ककरो हृदयसे कुछु लेना-देना नैछै। एकरा तबतक अभ्यासमे राख्ल गेलै जबतक कि एकटा उत्तम नया करार स्थापित कैल गेलै।

11 मगर आब ख्रीष्ट प्रधान पुजारी बनी गेलै छे, जे नया करारके सभे बढियाँ-बढियाँ चीजसब दैछै। ऊ आरहौ बेसी महान आर सिद्ध परमेश्वरके पालके महा-पवित्रस्थानमे प्रवेश कैल्कै, जे आदमीसिके द्वारा नैबनैल गेलै आर यी संसारसे सम्बन्धित नैछै।

12 ऊ परमेश्वरके पालके महा-पवित्रस्थानमे एकटा छागर या एकटा बाछाके खूनके साथ नैगेलै, मगर ऊ खुद आपन खूनके साथ गेलै। ऊ यी काम खाली एकबेर कैल्कै, आर एकरा फेरसे करैके कहियो जरुरत नैहैतै। ओकरेद्वारा अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला छुटकारा मिल्लै।

13 पुरना विधि-विधानके अधिनमे, छागर आर साँढसिके खून आर बलि चढैल गेल बाछीके छौरके ऊ आदमीसिके उप्परमे छिट्ल जैछै जेसब विधिके मुताबिक अशुद्ध हैछै। यी काम ऊ आदमीसिके शरीरके शुद्ध बनाबैछै।

14 मगर ख्रीष्ट पापरहित रहै, आर ऊ अपने आपके परमेश्वरके लिए एकटा कहियो खतम नैहुएवाला आर आत्मिक बलिदानके रुपमे दान चढ्या देल्कै। इहे कारणसे ओकर खून बहुते बेसी शक्तिशाली छै आर आपनसिके विवेकके शुद्ध बनाबैछै। आब अपनासब जिन्दा परमेश्वरके सेवा करे सकैछियै आर ऊ चीजसिके नैकरैछियै जे मौतके तरफ ल्याजैछै।

15 सेल्याके ख्रीष्ट परमेश्वरके तरफसे मध्यस्थके रुपमे आपन आदमीसिके लिए एकटा नया करार आनल्कै छे। ऊ आदमीसब जकरा परमेश्वर बोलैल्कै छे, ऊ सभे आशिषके प्राप्त करे सकैछै जकर प्रतिज्ञा ऊ कैल्कै छे, यानिकी ऊ आशिषसब जे सभे दिन रहतै। ऊसब उटा चीजसब प्राप्त करे सकैछै कहिनेकी ख्रीष्ट मरि गेलै ताकी ऊ आदमीसब जेसब पुरना करारके अधिनमे रहते रहै ओकरासिके पापसे छुटकारा देल ज्या सकै।

16 उदाहरणके लिए, एकटा आदमी कक्रहौसे बिन्ती करैछै कि ऊ एकटा एरंको लिखित वसीयतनामा बनाबै जकरामे ऊ प्रतिज्ञा करैछै कि ऊ आपन धन-दौलत एकटा निश्चित आदमीके उत्तराधिकारके रुपमे देतै, मगर उत्तराधिकार ऊ आदमीके मिलैसे पहेला वसीयतनामा लिखाबेवाला आदमीके मरे पड्तै।

17 कहिनेकी जबतक धन-दौलतके मालिक जिन्दा छै तबतक उटा वसीयतनामाके कोनो मोल नैछै।

18 आर सेल्याके, पुरना करारके पुष्टि भी कुछु जानवरसिके खून छिट्ल जैसे ही भेलै।

19 सभैसे पहेला, मूसा सभे आदमीसिके विधि-विधानके हरेक आज्ञाके विषयमे सुनैल्कै। एकरबाद ऊ बाछा आर छागरके खून लेल्कै आर ओकरा पानीमे मिलैल्कै। फेर ऊ एकरा विधि-विधानके किताब आर सभे आदमीसिके उप्परमे छिटैके लिए लाल ऊन आर हिसप नामके झाडीके ठ्यारके इस्तमाल कैल्कै।

20 जब मूसा यी बात कहते रहै ते, ऊ आदमीसिके कहैल्कै, “यी खून परमेश्वरके ऊ करारके पुष्टि करैछै जकर पालन करैके ऊ तोरासिके आज्ञा दैछौ।”

21 अहिने करिके मूसा परमेश्वरके पाल आर आराधनामे चलाबेवाला सभे चीजपर खून छिटल्कै।

22 मूसाके विधि-विधानके मुताबिक, लगभग सभे चीजके खूनसे शुद्ध कैल जाना चाही। खून बहैले बिना, परमेश्वर आदमीसिके ओकरसिके पापके लिए माफ नैकरे सकैछै।


ख्रीष्टके बलिदानद्वारा पापके माफी

23 सेल्याके यी जरुरी रहै कि परमेश्वरके पाल आर ओकरामे भेल सभे चीजसिके विधिके मुताबिक शुद्ध करैके लिए जानवरके बलि देल जाना रहै आर यी स्वर्गके चीजसिके नकल छै। मगर स्वर्गके ऊ चीजसिके विधिके मुताबिक शुद्ध करैके लिए, जानवरके खूनसे बेसी उत्तम बलिदानके जरुरत रहै।

24 धर्तीमे भेल महापवित्र-स्थान स्वर्गमे भेल वास्तविक महा-पवित्र स्थानके खाली एकटा छाया छै। ख्रीष्ट आदमीसिके द्वारा बनैल गेल परमेश्वरके पालमे नैगेलै। मगर आब आपनसिके तरफसे, स्वर्ग गेलके बाद ऊ परमेश्वरके समनामे खडा भेलै।

25-26 प्रधान पुजारी हरेक साल एकटा जानवरके खूनके संगे महा-पवित्रस्थानमे जैछै। मगर ख्रीष्ट अपने आपके घुरी-घुरी बलिदान चढाबैके लिए नैगेलै। यदि ओकरा एरं करे पड्तियै ते, फेर ओकरा संसारके सृष्टिके समयसे बहुतेबेर तकलीफ उठाबे पड्तियै। मगर एकर सिवाय, यी अन्तिम युगमे, ख्रीष्ट आपनसिके लिए आपन बलिदानके मौतके द्वारा पापके शक्तिके सभे दिनके लिए हटाबैके लिए एकबेर सभैके लिए प्रकट भेलै।

27 हरेक आदमीके एकबेर मरना निश्चित छै। मौतके बाद, परमेश्वर हरेक आदमीके फैसला कर्तै।

28 ओहिने करिके, ख्रीष्ट एक्केबेर अपने आपके बलिदानके रुपमे चढ्या देल्कै ताकी बहुते आदमीसिके पापके दूर करे सकै। आर ऊ दोसर बेर ऐतै, अपने आपके पापके कारण बलिदान चढाबैके लिए नै, बरु ऊ आदमीसिके उद्धार करैके लिए जेसब ओकर इन्तजार करैछै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan