हिब्रू 6 - केवट नया कारार1 सेल्याके या जे बात अपनासिके सभैसे पहेला ख्रीष्टके विषयमे सिखैल गेलै रहे, उहे आधारभूत शिक्षासिके नै दोहरैते र, आर या अपनासब परिपक्क शिक्षासिके बारेमे विचार विमर्श करैछियै। या अपनासब उटा आधारभूत शिक्षासिके अलग राखियै जे एकटा जगके जुगुर छै, यानिकी, आपन पापमय कामसे जे मौतके महर ल्याजैछै, पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके विषयमे आर परमेश्वरपर भरोसा करैके विषयमे सिखाबैछै। 2 तोरासिके बप्तिस्माके विषयमे शिक्षा, विश्वासीसिपर हात राखिके आशिष दियैके विधि, आदमीसिके मुर्दासे जिन्दा बनैल जैके आर कहियो खतम नैहुएवाला सजायके विषयमे आरहौ बेसी शिक्षाके जरुरत नैछौ। 3 यदि परमेश्वर हमरासिके अनुमति देतै ते हमे तोरासिके परिपक्क शिक्षा देबौ। 4 जे आदमीसब आपन विश्वासके त्यागी दैछै, ओकरासिके फेरसे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके स्थितितक वापस नै आन्ल ज्या सकैछै। ऊसब एकबेर परमेश्वरके सच्चाईके चिन्हल्कै छे आर स्वर्गसे वरदान प्राप्त कैल्कै छे आर दोसरसिके संगे मिलिके पवित्र आत्मा प्राप्त भेलै छे। 5 ऊसब अनुभव कैल्कै रहे कि परमेश्वरके तरफसे आबेवाला सन्देश बढियाँ छै आर ऊसब उटा समयके शक्तिके अनुभव कैल्कै छे जे आबेवाला छै। 6 जे आदमीसब आपन विश्वासके त्यागी दैछै, ओकरासिके फेरसे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके स्थितिमे वापस आनैके कोनो रस्ता नैछै, कहिनेकी ऊसब खुद परमेश्वरके बेटाके फेरसे क्रूसपर चढाबैछै आर ओकरा शर्मिन्दा बनाबैछै जकर कारण दोसर आदमीसब ख्रीष्टके निचा देखैछै। 7 जे आदमीसिके बढियाँ शिक्षा मिल्लै, ऊसब उटा जमिनके जुगुर छै जकरापर घुरी-घुरी बर्षा हैछै। यदि जमिन बढियाँ छै ते, यी किसानके बढियाँ फसल दैछै आर एकरापर परमेश्वरके आशीर्वाद हैछै। 8 दोसर आदमीसब उटा जमिनके जुगुर छै जे काँट-कुश उब्जाबैछै आर यी बेकार छै। यी परमेश्वरके द्वारा श्रापित हुऐके खतरामे छै आर यी आगिनसे नाश भ्याजैतै। 9 हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब! तुहेंसब बढियाँ कामसब करैछैं। कहिनेकी परमेश्वर पहेला ही तोरासिके बच्या लेल्कौ छे। सेल्याके यी चेतावनी तोरसिके लिए नैछौ। 10 जेरं तुहेंसब बढियाँ काम कैल्हैं छे आर एखन भी तुहें परमेश्वरके नाममे परमेश्वरके आदमीसिके लिए प्रेमके साथ सेवाके काम करैछैं, सेल्याके परमेश्वर तोरासिके नै भुल्तौ। कहिनेकी ऊ धर्मी छै। 11-12 हमरसिके बडका इच्छा छै कि जबतक तुहेंसब जिन्दा रहभैं, तबतक तुहेंसब प्रेमपूर्ण सेवाके काम कर्ते रहभैं, यी सुनिश्चित करैके लिए कि जे तुहेंसब आशा करैछैं उटा सच भ्याजैतै। तब तुहेंसब लापरवाह नै बन्भैं। बरु तुहेंसब ऊ आदमीसिके उदाहरणके अनुसरण कर्भैं जेसब आपन विश्वास आर धीरजके कारण परमेश्वरके प्रतिज्ञाके प्राप्त करेवाला छै। परमेश्वरके प्रतिज्ञाके निश्चयता 13 परमेश्वर अब्राहमके प्रतिज्ञा दियैके समयमे परमेश्वर आपन नामके कसम खैल्कै, कहिनेकी ओकरसे बडका कोय नैरहै, जकर नाम ल्याके ऊ कसम ख्या सकै। 14 परमेश्वर कहैल्कै, “हमे जरुर तोरा आशीर्वाद देबौ आर तोर वंशके बहुते वृद्धी करैबौ।” 15 आर अब्राहम बहुते समयतक धीरज राख्लके बाद प्रतिज्ञाके फल प्राप्त कैल्कै। 16 कसम खैके समयमे आदमीसब हमेशा आपनसे बडका कोनो आदमीके नामके प्रयोग करैछै। कसम यी बात साबित करैछै कि जे ऊ कहैछै उटा बात सच छै, आर यी हरेक विवादके खतम करि दैछै। 17 इहे कारणसे परमेश्वर भी एकटा कसम खैल्कै। एकरद्वारा परमेश्वर ऊ आदमीसिके जकरा प्रतिज्ञा कैल गेलै रहे साफसे देखाबैले चहते रहै कि परमेश्वर आपन कैल प्रतिज्ञाके पुरा कर्तै। 18 आब एत्ते दीटा बात छै, ओकर प्रतिज्ञा आर ओकर कसम, जे कहियो नै बदले सकैछै आर जकर बारेमे परमेश्वर कहियो झुठ नैकहे सकैछै। सेल्याके अपनासब जेसब परमेश्वरके लगत सुरक्षा पाबैके लिए ऐलियै छे आर जे आशा ऊ अपनासिके देल्कै छे, ओकरा थाम्ले छियै आर बहुते उत्साहित छियै। 19 जेरंके एकटा बडका किल्लासे बान्हल रस्सी नावके स्थिर आर मजगुत राखैछै, ओहिने करिके यी आशा आपनसिके जीवनके स्थिर आर मजगुत बनैले राखैछै। जकरामे अपनासब आशा करैछियै ऊ येशू छै आर ऊ स्वर्गमे परमेश्वरके मन्दिरके पर्दाके पाछु महा-पवित्रस्थानमे परमेश्वरके नज्दिक गेलै। 20 येशू आपनसिसे पहेला आर आपनसिके लिए स्वर्गमे गेलै छे। ऊ, पुजारी मल्किसदेकके जुगुर सभे दिनके लिए प्रधान पुजारी बनी गेलै छे। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation