हिब्रू 5 - केवट नया कारारप्रधान पुजारीके लिए योग्यता 1 परमेश्वर हरेक प्रधान पुजारीके इस्राएलीसिमेसे चुनैछै आर ऊ आदमीसिके भलाइके लिए परमेश्वरके काम करैके लिए नियुक्त कैल जैछै। ऊ इहे ल्याके दान आर बलिदान चढाबैछै ताकी परमेश्वर आदमीसिके पापसिके माफ करिदै। 2 कहिनेकी ऊ खुद भी कमजोरीसिके अधिनमे छै, सेल्याके जे अनजानमे गलत कामसब करैछै आर ऊसब जे रस्ता भटक्ल छै ओकरसिके संगे कोमल व्यवहार करे सकैछै। 3 एकटा प्रधान पुजारीके रुपमे ओकर लिए यी जरुरी छै कि ऊ आदमीसिके पापके दूर करैके लिए बलिदान चढाबै, आर आपन खुदके पापके दूर करैके लिए भी बलिदान चढाबै। 4 कोय भी आदमी खुद प्रधान पुजारी हुऐके सम्मान आपन उप्परमे नै लिए सकैछै। जेरंके परमेश्वर हारुनके पहेला प्रधान पुजारीके रुपमे बोलैल्कै आर चुनल्कै, ओहिने करिके परमेश्वर दोसर प्रधान पुजारीके बोलाबैछै आर चुनैछै। 5 ओहिने करिके ख्रीष्ट भी खुदके प्रधान पुजारी बनैके लिए नियुक्त करिके खुद आपन सम्मान नैकैल्कै। बरु, परमेश्वर ख्रीष्टसे यी बात कहते नियुक्त कैल्कै जे बात ऊ कोनो दोसर पुजारीसे कहियो भी नैकहैल्कै रहे, जे बात धरमशास्त्रमे भजनकार लिखल्कै छे, “तुहें हमर बेटा छैं, ऐज बहुते समयके बाद हमे तोरा आपन बेटाके रुपमे प्रकट करैछियौ।” 6 एकटा दोसर जगहमे भी, परमेश्वर ओकरा फेरसे कहैल्कै, “ओहिने करिके जेरं मल्किसदेक एकटा पुजारी रहै, तुहें सभे दिनके लिए एकटा पुजारी छैं।” 7 येशू यी धर्तीपरके जीवनकालमे जोरसे पुकार्ते हुए आर लोर बहैते परमेश्वरके संगे प्रार्थना आर बिन्ती कैल्कै जे ओकरा मौतसे बचाबे सक्ते रहै, आर आदरपूर्ण समर्पणके कारण परमेश्वर ओकरा जबाब देल्कै। 8 जब कि येशू परमेश्वरके बेटा रहै, तैय्योपर भी ऊ उटा तकलीफसिके द्वारा जे ऊ सहैल्कै ऊ करैले सिखल्कै जे परमेश्वर चहते रहै। 9-10 परमेश्वर मल्किसदेकके जुगुर ओकरा प्रधान पुजारीके सम्मान देल्कै, जब ऊ आपन मकसद पुरा कैल्कै आर ऊ सभे आदमीसिके लिए जेसब ओकर आज्ञापालन करैछै कहियो खतम नैहुएवाला उद्धारके स्रोत बनी गेलै। विश्वास नैछोडैके लिए चेतावनी 11 एकर विषयमे बताबैके लिए बहुते कुछु छै मगर ओकर विषयमे विस्तारसे बताना मुश्किल छै। कहिनेकी तुहें परमेश्वरके वचनके विषयमे सिखैमे अस्कतिहा भ्या गेल्हैं छे। 12 जब कि तुहेंसब बहुते समयसे विश्वास करैछैं आर आब तोरासिके आपन साथीसिके सिखाबेवाला होना चाही, तैय्योपर भी कक्रहौ तोरासिके परमेश्वरके विषयमे सबसे सरल बात सिखाबैके जरुरत छै। एरं लागैछै जेरं तुहेंसब एकटा बच्चा बनी गेल्हैं छे, जकरा एखन भी दूध पियाबैके जरुरत छै, कहिनेकी ऊ ठोस खाना चिबाबे नैसकैछै। 13 कहिनेकी दूध पियेवाला परमेश्वरके नजरमे धार्मिक जीवन जियैके बारेमे परमेश्वरके सन्देशसे धरमशास्त्रके शिक्षासिके अध्ययन नैकैल्कै छे। 14 ठोस खाना ऊ आदमीके लिए छै जे विश्वासमे परिपक्क छै, जे अभ्यासके द्वारा सही आर गलतके पहचान करैमे सक्षम छै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation