Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

हिब्रू 3 - केवट नया कारार


मूसासे येशू महान छै

1 सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जेसब परमेश्वरसे सम्बन्ध राखैछैं, तुहेंसब स्वर्गमे ओकरसंगे सामिल हुऐके लिए बोलैल गेल्हैं छे। प्रभु येशूपर ध्यान दहैं, जे आपनसिके लिए परमेश्वरके सन्देशवाहक आर प्रधान पुजारी छै।

2 येशू उटा सभे कुछु कैल्कै जे परमेश्वर ओकरा करैके लिए कहैल्कै। ओहिने करिके मूसा विश्वासयोग्यताके साथ उटा सभे कुछु कैल्कै जे परमेश्वर ओकरा करैके लिए देल्कै रहे।

3-4 आदमीसब घर बनाबैछै मगर परमेश्वर ऊ छै जे सभे कुछु बनैल्कै छे। जेरंके कोनो घरके बनाबेवालाके घरसे बेसी आदर मिलैछै, ओहिने करिके येशू भी, जकरद्वारा परमेश्वरके परिवार बनैल गेलै छे, मूसाके तुलनामे बेसी सम्मानके योग्य छै।

5 मूसा ते परमेश्वरके सभे आदमीसिके लिए विश्वासयोग्यताके साथ उटा सभे कुछु कैल्कै जे परमेश्वर ओकरा करैके लिए देल्कै रहे, जे कुछु मूसा कैल्कै ऊ यी बातके इशारा कर्ते रहै जे बात परमेश्वर भविष्यमे कहेवाला रहै।

6 ख्रीष्ट एकटा बेटाके रुपमे आपन परिवारमे विश्वासयोग्य छै आर उटा परिवार अपनासब खुद छियै। यदि आपनसिके संगे साहास छै आर ख्रीष्टमे भेल आशामे भरोसा छै आर अन्ततक स्थिर छियै ते अपनासब परमेश्वरके परिवारके आदमीसब छियै।

7 ओहिने करिके पवित्र आत्मा धरमशास्त्रमे कहैछै, “यदि ऐज तुहेंसब परमेश्वरके आवाज सुन्भैं ते,

8 ओकर आज्ञा मानैसे इन्कार नैकर, जेरं तोर पुर्खासब, जेसब सुनसान जगहमे परीक्षाके समयमे परमेश्वरके विरोधमे कैल्कै,

9 ओत्ते तोर पुर्खासब चालीस सालतक हमर महान कामसिके देख्लके बाद भी, चुनौती देते हमर परीक्षा कैल्कौ।

10 इहे कारणसे हमे उटा समयके आदमीसिसे क्रोधित भेलियै आर कहैलियै, ‘ऊसब सभे दिन विश्वासीघाती छै, आर हमे जे करैके आज्ञा देलियै छे, ओकरा पालन करैसे इन्कार करैछै।’

11 तब हमे गोस्सामे आबिके एरं कसम खैलियै, ‘ऊसब ऊ जमिन जते हमे ओकरासिके विश्राम देतियै ओत्ते प्रवेश करैले नैपैतै।’ ”

12 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, होशियार र, कि तोरासिमे एरं खराब आर अविश्वासी मन नैहौ, जे जीवन दिएवाला परमेश्वरके अनुसरण करैसे इन्कार कराबौ।

13 हरेक दिन एक दोसरके उत्साह दहैं। पाप तोरासिके धोखा नैदौ आर तुहेंसब जिद्दी नैबन। सेल्याके, जबतक अपनासब “ऐज” कहे सकैछियै, तबतक हरेक दिन एक दोसरके उत्साह देते र।

14 कहिनेकी यदि अपनासब अन्ततक दृढताके साथ आपन शुरुआतके विश्वासके थामिके राखैछियै ते, अपनासब ख्रीष्टके संगे सहभागी भ्या जैछियै।

15 जेरं कि धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “यदि ऐज तुहेंसब परमेश्वरके आवाज सुन्भैं ते, ओकर आज्ञा मानैसे इन्कार नैकर, जेरं तोर पुर्खासब, जेसब सुनसान जगहमे परीक्षाके समयमे परमेश्वरके विरोधमे कैल्कै रहे।”

16 केसब परमेश्वरके आवाज सुनिके ओकर विरोध कैल्कै? ऊसब इस्राएलीसब छै जकरासिके मूसा अगुवाई करिके मिश्र देशसे बाहार निकालीके आन्लकै रहे।

17 चालीस सालतक परमेश्वर जरुर ही ऊ आदमीसिसे गोसैल रहै जेसब पाप कैल्कै आर जेसब सुनसान जगहमे मरि गेलै।

18 जब परमेश्वर दृढताके साथ घोषणा कैल्कै कि, ऊसब कहियो भी उटा जमिनमे प्रवेश नैकर्तै जते हमे ओकरासिके विश्राम देतियै, ते परमेश्वर जरुर ही ऊ आदमीसिके विषयमे बोल्ते रहै जे आदमीसब ओकर अनुसरण करैसे इन्कार कैल्कै रहे।

19 सेल्याके अपनासिके पता चलि गेलै छे, कहिनेकी ऊसब विश्वास करैसे इन्कार करैके कारणसे ही प्रवेश करैले नैसकल्कै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan