हिब्रू 13 - केवट नया कारारस्वीकार योग्य सेवा 1 भ्या आर बहिनसिके रुपमे एक-दोसरसे प्रेम कर्ते र। 2 जे भी विश्वासी आदमीसिसे तुहेंसब पहेला नैमिल्लहैं छे, ओकरसिके आपन घरमे अतिथि सत्कार करैले नै भूल। कहिनेकी एकरद्वारा कतनें झन अनजानमे स्वर्गदूतसिके आदर-सत्कार कैल्कै छे। 3 जेलमे पड्ल आदमीसिके प्रति तोरसिके व्यवहार एरं हौ मान कि तुहेंसब खुद ओकरसिके संगे जेलमे छैं। आर जे आदमीसब सतैल जैछै ओकरासिके एरंके खियाल राख जेरं कि तुहेंसब ओकरसिके दरदके आपन शरीरमे महसुस करैछैं। 4 बिहाके सम्मान दहैं आर बिहामे एक-दोसरके प्रति विश्वासयोग्य र। कहिनेकी परमेश्वर व्यबिचारीके आर अनैतिक काम करेवाला आदमीसिके न्याय कर्तै। 5 आपन जीवनके धन-दौलतके लालचसे मुक्त राख आर जे तोरसिकेलगत छौ ओक्रहैमे सन्तुष्ट र, कहिनेकी परमेश्वर खुद ही कहैल्कै छे, “हमे तोरासिके कहियो भी नैछोड्बौ, आर कहियो भी तोरासिके नैत्याग्बौ।” 6 सेल्याके हमेसब साहासके साथ कहैछियै, “प्रभु हमर सहायता करेवाला छै, हमे नैडरैबै कि कोनो भी आदमी हमरसंगे कि करे सकैछै।” 7 जेसब तोरसिके अगुवा रहौ आर जेसब तोरासिके परमेश्वरके वचन सुनैल्कौ छे, ओकरासिके स्मरण कर। एकर बारेमे याद कर कि ऊसब केरं जीवन जिलै आर मरि गेलै। तुहेंसब भी परमेश्वरमे ओहिने भरोसा देखा जेरं ऊसब देखैल्कै रहे। 8 येशू ख्रीष्ट क्याल, ऐज आर सभे दिन एक समान छै, ऊ कहियो नैबदलैछै। 9 सेल्याके तोरासिके यी सभे नया आर अलग-अलग शिक्षासिके अनुसरण नैकरना चाही जे तोरासिके गलत रस्तामे ल्याजैछौ। तोरसिके हृदय परमेश्वरके अनुग्रहसे मजगुत होना चाही मगर खानाके बारेमे नियमसिके पालन करिके नै। कहिनेकी उटा नियमके पालन करेवालासिके कोनो भलाइ नैभेलै छे। 10 ऊसब पुजारी जे यहूदी आदमीसिके रिती-रिवाजके मुताबिक परमेश्वरके पालमे सेवा करैछै, ओकरासिके उटा बलिदानसे कोनो फैदा नैहैछै जे येशू चढैल्कै। मगर अपनासिके फैदा हैछै। 11 कहिनेकी पुरना करारके मुताबिक हरेक साल जे जानवरके खून प्रधान पुजारी पाप बलिके लिए महापवित्र-स्थानमे पापसिके माफीके लिए ल्याजैछै आर ओकर लासके पालके जगह या आदमीसब रहेवाला जगहसे बाहार लज्याके जरैल जैछै। 12 इहे कारणसे, येशू भी आदमीसिके आपने खूनसे पवित्र बनाबैके लिए यरूशलेम सहरसे बाहार दुःख उठैल्कै आर मरि गेलै। 13 सेल्याके, या अपनासब यहूदी आदमीसिके तरिकासिके छोडी दियै आर येशूपर विश्वास करियै। आर जेरंके ऊ अनादर सहन कैल्कै, ओहिने करिके अपनासब भी अनादर सहन करियै। 14 कहिनेकी यी संसारमे आपनसिके स्थायी घर नैछै, मगर अपनासब एकटा आबेवाला सहरके खोजमे छियै। 15 सेल्याके या अपनासब येशूके द्वारा सभे दिन परमेश्वरके ओकर प्रशंसाके बलिदान चढाबियै, यी ते ओकर नाम लिएवालासिके मुखसे चढैल दान छै। 16 मगर भलाइ करना आर जे कुछु तोरसिकेलगत छौ, ओकरा जरुरत पडल आदमीसिके संगे बाँटचुट कर, कहिनेकी परमेश्वर एरं बलिदानसिसे खुश हैछै। प्रार्थनाके निवेदन 17 आपन अगुवासिके आज्ञापालन कर, ओकरसिके अधिनमे र। तोरसिके आत्मासिके रखवाली करना ओकरसिके काम छै। ओकरासिके तोरसिके विषयमे परमेश्वरके लेखा दिए पड्तै। यी काम ऊसब आनन्दके साथ करक आर उदासीके साथ नै, नैते एकरासे तोरासिके कोनो भी फैदा नैहैतौ। 18 हमरसिके लिए भी प्रार्थना कर्ते र। हमेसब निश्चित रुपसे जानैछियै कि हमरसिके विवेक स्वच्छ छै, आर हमेसब जे भी काम करैछियै उटा सभे चीजमे परमेश्वरके सम्मान करैले चाहैछियै। 19 प्रार्थना करैके लिए हमे तोरासिके आरहौ भी उत्साहित करैछियौ, ताकी हमे जल्दी तोरसिकेलगत आबे सकियै। आशीर्वाद आर नमस्कार 20-21 आर आब, शान्ति दिएवाला परमेश्वर, जे आपनसिके प्रभु येशूके मुर्दासे फेर जिन्दा बनैल्कै, तोरासिके उटा सभे चीजसे पुरा करौ जकर तोरासिके ओकर इच्छा पुरा करैके लिए जरुरत छौ। येशू ख्रीष्टके शक्तिके द्वारा ऊ तोरासिमे उटा सभे चीज उत्पन्न करौ जे ओकरा खुश करैछै। येशू कहियो खतम नैहुएवाला करारके द्वारा भेंडासिके महान चरवाहा बनी गेलै छे, जकरापर ओकर खूनके द्वारा सही कैल गेलै छे। ओकर महिमा सभे दिन हैते रहै। आमेन। 22 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि, यी सन्देशके धीरजसे सुन जे हमे तोरासिके उत्साहित करैके लिए लिख्लियौ छे। 23 तोरासिके यी बात मालुम कराबे चाहैछियौ कि आपनसिके विश्वासी भ्या तिमोथी जेलसे छोडी देल गेलै छे। अगर ऊ जल्दी ऐतै ते, हमे ओकरसंगे तोरसिके भेट करैले ऐबौ। 24 आपन सभे अगुवासब आर सभे विश्वासीसिके नमस्कार कही दहैं। इटालिया देशके विश्वासीसब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे। 25 तोरसिके सभैके संगे परमेश्वरके अनुग्रह रहौ। आमेन। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation