Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

हिब्रू 10 - केवट नया कारार


येशू पूर्ण आर अन्तिम बलिदान

1 मूसाके द्वारा देल गेल विधि-विधान खाली उटा उत्तम चीजसिके एकटा अस्पष्ट तस्वीर छै जे भविष्यमे आबेवाला छै, यी वास्तविकता नैछै। सेल्याके विधि-विधानके अधिनमे रहेवाला आदमीसब हरेक साल एक समान बलिदान चढाबैछै, मगर यी बलिदान ऊ आदमीसिके कहियो भी सिद्ध नैबनाबे सक्तै जेसब परमेश्वरके आराधना करैके लिए ओकर नज्दिक आबैछै।

2 यदि यी बलिदानसिके द्वारा परमेश्वरके भक्ति करेवालासब शुद्ध करि देल जैतियै ते, ऊसब अपने आपके दोषी नैमान्ते रहतियै। ते फेर आब बलिदान चढाबैके विषयमे बात नैहैतियै।

3-4 मगर जानवरसिके बलिदानके खून पापसिके दूर नैकरे सकैछै। बरु, हरेक साल यी आदमीसिके ऊ पापसिके याद दिलाबैछै, जे पाप ऊसब कैल्कै छे।

5-6 सेल्याके ख्रीष्ट संसारमे आबैके समयमे परमेश्वरसे कहैल्कै, “तुहें बलिदान आर दान नैचाहैछ, ऊ बलिदान जे जानवरके पूर्ण रुपसे जर्याके चढैल जैछै आर ऊ बलिदान जे पापसिके माफीके लिए दान चढैल जैछै, ऊसब तोरा खुश नैकरैछै। मगर तुहें हमरा एकटा आदमी बन्या देलह।”

7 तब ख्रीष्ट परमेश्वरसे कहैल्कै, “देख, हमे आबी गेलियै छे। हमर विषयमे यी बात किताबमे लिख्ल छै। हे परमेश्वर, हमे उहे करैले ऐलियै छे, जे तुहें चाहैछ।”

8 मूसाके विधि-विधान सिखाबैछै कि बलिदान आर दानसब पापके कारण चढैल जाना चाही। मगर ख्रीष्ट कहिने एकर विषयमे बात कैल्कै आर कहैल्कै कि परमेश्वर ऊसब चीज नैचाहैछै?

9-10 आर पाछु ख्रीष्ट एरं कहैल्कै, “हे परमेश्वर, हमे तोर इच्छा पुरा करैले ऐलियै छे।” आर परमेश्वरके इच्छाके मुताबिक येशू ख्रीष्ट आपन शरीरके खाली एकबेर बलिदानके रुपमे चढ्या देल्कै आर एकरद्वारा परमेश्वर अपनासिके पवित्र बन्या देल्कै छे। एरंके ख्रीष्ट पुरना करारके बलिदानसिके हट्या दैछै ताकी ऊ नया करार शुरु करे सकै।

11 हरेक यहूदी पुजारी हरेक दिन वेदीके समनामे खडा हैछै आर आदमीसिके पापके रद्द करैके लिए विधिसब पुरा करैछै। ऊ लगातार एक्के किसिमके बलिदानसिके चढैते रहैछै, जे कहियो भी ऊ आदमीके जे पाप कैल्कै छे ओकर दोषी भावनाके दूर नैकरे सकैछै।

12 मगर ख्रीष्ट मानव जातिसिके पापसिके दूर करैके लिए आपन शरीरके खाली एकबेर बलिदानके रुपमे द्या देल्कै, जे सभे दिनके लिए प्रभावशाली छै। एरं कैलके बाद, ऊ परमेश्वरके दहिना हातके बगल सम्मानके जगहमे विराजमान भेलै।

13-14 ख्रीष्ट आपन शरीरके खाली एकबेर बलिदानके रुपमे परमेश्वरके द्या देल्कै आर इहे कारण ओकर आदमीसब पवित्र भेल छै आर ऊसब वास्तवमे सभे दिनके लिए धर्मी बनी गेलै छे। आर ऐज ख्रीष्ट ओत्ते छै, आर इन्तजार करैछै जबतक कि ओकर सभे दुश्मनसिके परमेश्वर पराजित नै क्यादै आर ओकर पैरीके निच्चामे करिदै।

15 पवित्र आत्मा भी यी सच छै कहिके अपनासिके गवाही दैछै। प्रभु परमेश्वरके उटा प्रतिज्ञाके फेर याद कर जकर बारेमे हमे पहेला कहैलियौ रहे, जकरामे ऊ कहैल्कै,

16 “कि जे करार भविष्यमे हमे इस्राएलीसिके संगे बान्हबै, ऊ यी छै, हमे ओकरासिके हमर विधि-विधानके बारेमे सोचैले देबै आर ऊसब ओकरा आपन मनमे राख्तै।”

17 फेर परमेश्वर यी कहैछै, “हमे ओकरसिके पाप आर खराब कामसब फेर कहियो याद नैकर्बै।”

18 आर परमेश्वर आपनसिके पापसिके माफ करैछै ते आब कोनो भी दोसर बलिदानके दियैके जरुरी नैछै।


उत्साह आर चेतावनी

19 येशू आपन खून एकटा बलिदानके रुपमे द्या देल्कै। सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एकरद्वारा अपनासब स्वर्गके महापवित्र-स्थानमे बिना कोनो डरके ज्या सकैछियै।

20 एकटा बलिदानके रुपमे मरिके, ख्रीष्ट स्वर्गके परमेश्वरके पालके पर्दासे भ्याके प्रवेश कैल्कै आर एकटा नया रस्ता बन्या देल्कै जकरासे अपनासिके जीवन मिल्तै।

21 आपनसिके लगत परमेश्वरके घरमे एकटा एरं प्रधान पुजारी छै, जे परमेश्वरके सभे आदमीसिपर राज्य करैछै।

22 आपनसिके हृदयके ऊ आपन खूनसे पवित्र बनैल्कै ताकी अपनासब जाने सकियै कि आब अपनासिमे कोनो गल्ती नैछै। आपनसिके शरीरके ऊ पानीसे लुहैल्कै, यी चिन्हके रुपमे कि ऊ अपनासिके शुद्ध करिदेल्कै छे। सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपनासब आपनसिके पुरा मन आर एरंको विश्वासके साथ परमेश्वरके नज्दिक चल जे आब हिलेवाला नैछै।

23 आपनसिके द्वारा स्वीकार कैल आशाके मजगुतसे पक्डीके राख, कहिनेकी ओकर कैल प्रतिज्ञा पुरा कर्तै कहिके अपनासब परमेश्वरमे विश्वास करे सकैछियै।

24 या अपनासब एक-दोसरके प्रति प्रेमपूर्ण हुऐके लिए आर बढियाँ कामसब करैके लिए एक-दोसरके उत्साहित कर्ते र।

25 या अपनासब परमेश्वरके आराधना करैके लिए जमा हुऐले बन्द नैकर, जेरं कुछु आदमीसब करैछै, मगर अपनासिके एक-दोसरके उत्साहित करना चाही, विशेष करिके आब जब कि प्रभुके फेरसे वापस आबैके दिन नज्दिक आबैछै।

26 अपनासिके यी कामसब करना चाही, कहिनेकी अपनासब ख्रीष्टके विषयके सच्चा सन्देश प्राप्त करि लेलके बाद भी यदि अपनासब जानी-बुझिके पाप कर्ते रहबै ते, एरंको कोनो बलिदान नैछै जकरा परमेश्वर स्वीकार कर्तै जे आपनसिके पापसिके दूर करे सकैछै।

27 मगर ओकरासिके डरके साथ परमेश्वरके न्यायके इन्तजार करना चाही आर ऊसब परमेश्वरके दुश्मन हुऐके कारण धधक्ल आगिनमे भसम हैतै।

28 जब कि मूसाके विधि-विधानके नैमानेवाला आदमी दी या तीन आदमीके गवाहीमे, बिना दयाके जान मार्ल जैछै।

29 यदि मूसाके विधि-विधानके मुताबिक एरं किसिमके सजाय रहै ते, ऊ आदमीके सजाय बहुते बडका हैतै जे आदमी परमेश्वरके बेटाके तिरस्कार करैछै। ऊ परमेश्वरके बेटाके आपन पैरीके निच्चामे कुचली देल्कै छे कहिनेकी ऊ ओकर सम्मान नैकैल्कै। ऊ ख्रीष्टके उटा खूनके पवित्र नैमानल्कै जकरद्वारा परमेश्वर ओकरा पवित्र बनाबैके लिए नया करार शुरु कैल्कै रहे। ऊ पवित्र आत्माके अपमान कैल्कै जकरद्वारा ऊ आदमी अनुग्रह प्राप्त कैल्कै रहे।

30 ओकरासिके बहुते कठोर सजाय देल जैतै कहिनेकी ऊ परमेश्वर छै जे यी बात कहैल्कै, “बदला लिएवाला काम हमर छै, हम्हीं प्रतिफल देबै।” कहेवालाके अपनासब चिन्हैछियै। आर फेर यी भी कहैल्कै छे, “प्रभु आपन आदमीसिके न्याय कर्तै।”

31 जिन्दा परमेश्वरके हातसे सजाय पाना एकटा बहुत ही भयानक बात छै।

32 उटा पहेलाके दिनसिके बारेमे सोच जब तुहें पहेला बेर ख्रीष्टके विषयमे जान्लहैं रहे। याद कर कि एकर लिए तोरासिके भयंकर तकलीफ उठाबे पड्लौ रहे, तैय्योपर तुहेंसब केरं विश्वासयोग्य बन्ल रहैं।

33 कतनें बेर तुहेंसब निन्दा आर अत्याचार सहते सभे आदमीसिके समनामे तमासा बन्लहैं आर कतनें बेर एरंके तकलीफ पाबेवालासिके साथ देल्हैं।

34 तुहेंसब जेलमे कैदमे भेल आदमीसिके संगे सहानुभूति देखैल्हैं, आर तुहेंसब आपन धन-दौलत लुट्ल गेल पर भी खुशीके साथ सहलहैं, कहिनेकी तुहेंसब जानैछैं कि तोरसिकेलगत आब भी ऊ सभे चीज छौ जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर कैल्कै रहे, जे कि बेसी बढियाँ छै आर जे सभे दिन रहैछै।

35 सेल्याके आपन विश्वासके नैछोड ताकी तोरासिके परमेश्वरके तरफसे एकटा इनाम मिलौ।

36 तोरासिके विश्वासके साथ धीरजसे निरन्तर इन्तजार करना चाही। तब तुहेंसब परमेश्वरके इच्छाके पुरा कर्भैं आर तोरासिके उटा सभे चीज प्राप्त हैतौ जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर कैल्कै छे।

37 कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “आब एक्के छिनमे जे आबेवाला छै ऊ ऐतै, आर ऊ देर नैकर्तै।”

38 मगर हमर आदमी परमेश्वरमे विश्वासके माध्यमसे परमेश्वरके संगे सही ठहरैल जैतै आर ऊ बचैल जैतै, मगर यदि ओकरसिमेसे कोय हमरा अस्वीकार करैछै ते, हमे वास्तवमे ओकरसिसे खुश नैहैबै।

39 मगर अपनासब ऊ आदमीसिमेसे नैछियै जे परमेश्वरके अस्वीकार करैछै आर नाश भ्याजैछै। मगर अपनासब परमेश्वरमे विश्वास करिके बचैल आदमीसिमेसे छियै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan