गलाती 6 - केवट नया कारारअपनासब जे रोपैछियै उहे काटैछियै 1 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब जे पवित्र आत्माके द्वारा अगुवाई कैल जैछैं, तोरासिके एरंको करना चाही: अगर कोय विश्वासी कोनो पाप कैल्कै छे ते, तुहींसब ओकरासिके नम्रताके साथ ओकरा सही रस्तापर वापस आनैके लिए सहायता कर। होशियार र, ताकी तुहेंसब खुद ही पाप करैके लिए भर्मैल नैजैहैं। 2 तकलीफके सामना करैके समयमे एक दोसरके सहायता कर। एरंके तुहेंसब ख्रीष्टके देल नियमके पालन कर्भैं। 3 यदि तोरासिके लागैछौ कि ककरो सहायता करैके लिए तुहें बहुते महत्वपूर्ण छैं ते तुहें खाली अपने आपके मूर्ख बनाबैछैं। तुहें एतनें भी महत्वपूर्ण नैछैं। 4 हरेक आदमी आपन कामके जाँच करक कि ओकर काम बढियाँ छै कि नैछै। यदि ऊ बढियाँ काम कैल्कै छे ते ऊ आपन कामपर गर्व करे सकैछै। मगर ओकरा आपन कामके तुलना दोसर आदमीसिके संगे नैकरना चाही। 5 कहिनेकी अपनासिमेसे हर कोय आपन आचरणके लिए जिम्मेदार छियै। 6 यी बात उचित छै कि जे आदमीसब परमेश्वरके वचनके सिखाबैछै, ओकरा परमेश्वरके वचन सिखेवाला आदमीसिसे भौतिक सहायता मिलना चाही। 7 अपने आपके धोखा नैदे। एकटा आदमीके यी बात नैसोचना चाही कि ऊ परमेश्वरके धोखा दिए सकैछै। कहिनेकी आदमी जे कुछु बुनैछै, उहे चीज काटैछै। 8 कहिनेकी जे आदमी आपन पापमय स्वभावके मुताबिक जीवन जियैछै, ऊ काम ओकर लिए कहियो खतम नैहुएवाला मौत आनैछै। मगर जे आदमी पवित्र आत्माके इच्छाके पालन करैछै ऊ आदमी पवित्र आत्मासे आबेवाला कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैतै। 9 अपनासब भलाइ करैके काममे निराश नैहु, कहिनेकी यदि अपनासब कहियो निराश नैहैबै ते परमेश्वरके आपन समयमे अपनासब इनाम पैबै। 10 सेल्याके मौका पाबै तक अपनासब सभे आदमीसिके संगे भलाइ कर, विशेष करिके ख्रीष्टमे विश्वासी भ्या-बहिनसिके लिए। अन्तिम चेतावनी आर शुभकामना 11 देख, हमे तोरासिके खुद आपन हातसे कतनें बडका-बडका अक्षरसिमे लिख्लियौ छे। 12 यहूदी आदमीसिके खुश करैके लिए ऊसब तोरासिसे खतना करवाबैके लिए कहैछौ। ऊसब यी इहे ल्याके करैछै ताकी आदमीसब ओकरासिके यी प्रचार करैके कारण नै सताबै कि परमेश्वर आदमीसिके खाली इहे ल्याके बचाबैछै कहिनेकी ख्रीष्ट क्रूसपर मर्लै कहिके ऊसब विश्वास करैछै। 13 ऊ खतना कैल यहूदी विश्वासीसब भी मूसाके सभे विधि-विधानके पालन नैकरैछै, मगर ऊसब चाहैछै कि तोरसिके खतना कैल जै ताकी ऊसब दोसर यहूदी आदमीसिके समनामे घमण्डसे यी बताबे सकै कि तोरसिके खतना ओकरसिके कारण भेलै छे। 14 हमर लिए, यदि हमे घमण्ड करैछियै ते हमे खाली यी बात पर घमण्ड कर्बै कि आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट आपनसिके लिए क्रूसपर मर्लै। क्रूसपर ख्रीष्टके मौतके कारण यी संसारके चीजसिके हमर लिए कोनो मतलब नैछै, आर हमे यी संसारके लिए कुछु भी नैछियै। 15 कहिनेकी खतना भेल छै या नैभेल छै यी बात महत्वपूर्ण नैछै, मगर महत्वपूर्ण बात यी छै कि परमेश्वर पवित्र आत्माके कामसिके द्वारा तोरासिके एकटा नया आदमी बनैल्कौ छै। 16 जे आदमीसब यी नियमके पालन करैछै, परमेश्वर ओकरासिके सभैके आपन शान्ति देतै आर ओकरासिपर दया कर्तै, आर ओकरासिके आशिष देतै। आर ऊसब परमेश्वरके आदमीसब छै। 17 आबसे कोय हमरा तकलीफ नैदक, कहिनेकी हमर शरीरमे जे दागसब छै ऊ देखाबैछै कि हमे येशूके एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। 18 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रह तोरसिके संगे रहौ। आमेन। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation