Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

गलाती 2 - केवट नया कारार


पावल आर दोसर चुन्ल आर भेज्ल चेलासब

1 चौदह सालके बाद बरनाबासके संगे तीतसके ल्याके हमे फेर यरूशलेम सहरमे गेलियै।

2 परमेश्वर हमरा ओत्ते जैके लिए कहैके कारणसे हमे ओत्ते गेलियै। जब हमे ओत्ते रहियै ते हमे अगुवासिसे व्यक्तिगत रुपसे भेट कैलियै आर ओकरासिके उटा खुश-खबरीके विषयमे बतैलियै जे हमे गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे प्रचार कर्ते रहियै। ताकी एरं नैहै कि पहेला जे हमे कैलियै रहे आर जे हमे एखन आरहौ कर्बै, ओकर कोनो नतिजा नैमिल्तै।

3 हमर साथी तीतस, जे एकटा यूनानी आदमी छै, ओकर खतना कहियो कैल नैगेलै। मगर यरूशलेम सहरके मण्डलीके अगुवासब ओकरा स्वीकार कैल्कै। ऊसब खतना कराबैके लिए ओकरापर कोनो दबाब नैदेल्कै।

4 तीतसके खतना नैहुऐके विषय एकटा मुद्दा बनी गेलै जब कुछु झुट्ठा विश्वासी भ्यासब आपनसिके समूहमे गुप्त रुपसे आबी गेलै आर आपनसिके उद्धारकर्ता येशूमे भेल आपनसिके आजादीके नाश करैके कोशिश कर्ते रहै ताकी ऊसब अपनासिके फेर यहूदी विधि-विधानके दास बनाबे सकै।

5 खुश-खबरीके सच्चा वचन तोरसिके लिए सुरक्षित रहौ कहिके हमेसब ओकरसिके संगे एक्कोरति सहमत नैभेलियै।

6 यरूशलेम सहरके मण्डलीके ऊ अगुवासब हमर सिखैल सन्देशके बदलैके लिए हमरा मजबूर नैकैल्कै। हमरा यी बातसे कोनो फरक नैपडैछै कि ऊ अगुवासब के छै कहिनेकी परमेश्वर बाहरी रुप देखिके न्याय नैकरैछै।

7 मगर ऊ अगुवासब बुझी गेलै कि परमेश्वर जेरंके पत्रुसके यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी प्रचार करैके लिए नियुक्त कैल्कै ओहिने करिके ऊ हमरा गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी प्रचार करैके लिए नियुक्त कैल्कै।

8 कहिनेकी परमेश्वर, जे पत्रुसके यहूदी आदमीसिके बीचमे एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए नियुक्त कैल्कै, ऊ हमरा भी गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए नियुक्त कैल्कै।

9 जे आदमीसब मण्डलीके अगुवासब मान्ल जैते रहै, यानिकी याकूब, पत्रुस, आर यूहन्ना, ऊसब कृपाके उटा वरदानके पहचानल्कै जे हमरा मिल्लै छे। ऊसब हमरा आर बरनाबासके आपन सहयोगी जानीके हमरासिके सहभागिताके दहिना हात देल्कै। ऊसब यी बातके लिए सहमत भेलै कि हमेसब गैर-यहूदी आदमीसिके लगत जैयै आर ऊसब यहूदी आदमीसिके लगत जै।

10 ऊसब हमरासे खाली यी बिन्ती कैल्कै कि हमेसब यरूशलेम सहरके गरिब विश्वासीसिके सहायता करियै, आर यी उहे रहै जे करैके लिए हमे बहुते खुश रहियै।


एन्टीओखियामे पत्रुसके विरोध

11 एक दिन, जब पत्रुस एन्टीओखिया सहरमे ऐलै तब हमे ओकर खुल्लम खुल्ला विरोध कैलियै। हमरा दोसर विश्वासीसिके समनामे ओकर विरोध करे पड्लै, कहिनेकी ऊ सही काम नैकर्ते रहै।

12 ऊ पहेला गैर-यहूदी आदमीसिके संगे भोजन करै, मगर जब याकूबके भेज्ल कुछु विश्वासीसब ऐलै तब ऊ गैर-यहूदी विश्वासीसिसे मेल-जोल राखना आर ओकरसिके संगे भोजन खैले छोडी देल्कै, कहिनेकी पत्रुस ऊ यहूदी आदमीसिसे डर्ते रहै जेसब चहते रहै कि सभे गैर-यहूदी आदमीसिके खतना कैल जाना चाही।

13 आर ओकरसंगे एन्टीओखिया सहरमे कुछु यहूदी विश्वासीसब भी ओहिने छल-कपटके काम कैल्कै, एत्तेतक कि बरनाबास भी ओकरासिसे डर्ते रहै आर गैर-यहूदी आदमीसिके संगे मेल-जोल राखैले बन्द करिदेल्कै।

14 मगर जब हमे देख्लियै कि ओकरसिके व्यवहार ऊसब जे कर्ते रहै, उटा खुश-खबरीके सच्चा शिक्षाके संगे मेल नैखैते रहै, तब हमे सभैके समनामे खुल्लम-खुल्ला पत्रुसके कहैलियै, “तुहें एकटा यहूदी आदमी भ्याके भी गैर-यहूदी आदमीसिके रिती-रिवाजके पालन करैछ आर यहूदी आदमीसिके रिती-रिवाजके पालन नैकरैछ। तब फेर तुहें गैर-यहूदी आदमीसिके अपनासब यहूदी आदमीसिके रिती-रिवाजसिके पालन करैके लिए कहिने दबाब दैछ?”


विश्वास आर काम

15 अपनासब जनमसे ही यहूदी आदमीसब छियै आर ऊसब नैछियै जकरा यहूदी आदमीसब “गैर-यहूदी पापी” कहैछै।

16 तैय्योपर भी अपनासब यहूदी विश्वासीसब जानैछियै कि मूसाके विधि-विधानके पालन करिके कोय भी आदमी परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित नैकैल जैछै, इहे ल्याके अपनासब येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैलियै ताकी अपनासब मूसाके विधि-विधान पालन करिके नै मगर ख्रीष्टमे विश्वास करैके कारणसे धर्मी घोषित कैल ज्या सकियै।

17 कुछु यहूदी आदमीसब सोचैछै कि अपनासब पापी छियै, कहिनेकी अपनासब विधि-विधानके पालन नैकरैछियै मगर धर्मी घोषित कैल जैके लिए ख्रीष्टमे भरोसा करैछियै। एकर मतलब यी छै कि ख्रीष्ट अपनासिके पाप करैले नैलगाबैछै।

18 मगर यदि हमे विधि-विधानके पालन कैलके बाद परमेश्वरसे धर्मी घोषित हुए सकैछियै कहेल बात फेर स्वीकार करैछियै ते हमे वास्तवमे पाप करैछियै।

19 हमे जानैछियै कि मूसाके विधि-विधान पालन करैके द्वारा हमरा धर्मी घोषित नैकैल ज्या सकैछै। सेल्याके हमे एरं मानैछियै कि हमे विधि-विधानके विषयमे ख्रीष्टके संगे क्रूसमे मरि गेलियै छे ताकी हमे परमेश्वरके लिए जिन्दा रहे सकियै।

20 एरं कहे सकैछियै कि जब ख्रीष्ट क्रूसपर मर्लै तब हमे भी ओकरसंगे मरि गेलियै। आब हमे जिन्दा नैछियै, मगर ख्रीष्ट हमरामे जियैछै। जेरंके आब हमे जियैछियै, हमे परमेश्वरके बेटापर भरोसा करिके जिन्दा छियै, जे हमरासे एतनें प्रेम करैछै कि ऊ हमर खातिर आपन जान द्या देल्कै।

21 हमे यी बातके इन्कार नैकरे सकैछियै कि परमेश्वर आपनसिके प्रति अनुग्रहके कारण अपनासिके बचैल्कै। कहिनेकी यदि विधि-विधानके मानैके द्वारा कोनो आदमीके धर्मी घोषित करैके लिए सम्भव हैतियै ते फेर ख्रीष्टके मरैके लिए कोनो जरुरत नैरहै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan