Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

गलाती 1 - केवट नया कारार


पावलके तरफसे नमस्कार

1 हमे, पावल, तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ आर हमे एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए आदमीसिके कोनो भी समूह या कोनो आदमीद्वारा चुन्ल नैछियै, मगर येशू ख्रीष्टद्वारा आर परमेश्वर पिताद्वारा चुन्ल गेलियै छे, जे येशूके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै।

2 हमे यी चिट्ठी हमर संगमे भेल सभे विश्वासी भ्यासिके संगे ऊ मण्डलीसिके लिखैछियै जे गलातिया प्रदेशमे छै।

3 हमे प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर पिता आर प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।

4 आपनसिके परमेश्वर आर पिताके इच्छाके मुताबिक येशू ख्रीष्ट अपने आपके आपनसिके पापसिके कारण बलिदान करिदेल्कै ताकी अपनासब यी वर्तमान संसारके आदमीसिके खराब प्रभावसे बचिके रहियै।

5 हमे प्रार्थना करैछियै कि आदमीसब परमेश्वरके सभे दिन महिमा देते रहै। आमेन।


खाली एक्केटा खुश-खबरी

6 हमे निराश छियै कि परमेश्वर जे तोरासिके ख्रीष्टके अनुग्रहके द्वारा आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कौ, ओकरा एतनें जल्दी त्यागीके तुहेंसब एकटा अलग शिक्षापर विश्वास करैले शुरु करि देल्हैं। जे दोसर आदमीसब यी खुश-खबरी छै कहिके कहैछै।

7 वास्तवमे खाली एक्केटा सच्चा खुश-खबरी छै, मगर कुछु आदमीसब ख्रीष्टके विषयके खुश-खबरीके बिगाडैले चाहैछै आर ऊ आदमीसब तोरासिके धोखा देल्कौ छे।

8 मगर यदि हमरसिमेसे एकझन या स्वर्गसे कोय स्वर्गदूत भी हमरसिकेद्वारा सुनैल उटा खुश-खबरीके छोडिके कोय भी एकटा अलग शिक्षाके प्रचार करैछै आर ओकर खुश-खबरी हुऐके दाबी करैछै ते परमेश्वर ओकरासिके सभे दिनके लिए सजाय दै।

9 जेरं हमेसब पहलहैसे कही देलियौ छे, ओहिने करिके हमे एखन फेर कहैछियौ कि जे खुश-खबरी तुहेंसब स्वीकार कैल्हैं उटा खुश-खबरीके छोडिके कोय भी एकटा अलग शिक्षाके सुनाबैछै ते परमेश्वर ओकरा सभे दिनके लिए सजाय दै।

10 स्पष्ट रुपसे, हमे आदमीसिके खुश करैके कोशिश नैकरैछियै मगर हमे परमेश्वरके खुश बनाबैले चाहैछियै। हमे सचमे आदमीसिके खुश करैके कोशिश नैकरैछियै। अगर हमे आरहौ भी आदमीसिके खुश बनाबैके कोशिश कर्तियै ते हमे ख्रीष्टके सेवक नैहैतियै।


पावलके बुलाहट

11 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब यी जान कहिके हमे चाहैछियै कि हमर प्रचार कैल खुश-खबरी आदमीसिके द्वारा बनैल नैछै।

12 कहिनेकी यी खुश-खबरी हमे बाप-पुर्खासे नैसिख्लियै आर कोनो धार्मिक शिक्षकसब भी हमरा यी बात नैसिखैल्कै छे, मगर येशू ख्रीष्ट हमरा यी खुश-खबरी बुझैके लिए सहायता कैल्कै।

13-14 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब जानैछैं कि जब हमे यहूदी धरमके ही पालन कर्ते रहियै ते हमे केरंके जिते रहियै। हमर बहुते साथीसब जेसब हमर उमेरके रहै, ऊसब भी यहूदी धरमके पालन कर्ते रहै, मगर हमे ओकरसिसे बेसी कैलियै, कहिनेकी हमे आपन बाप-पुर्खाके रिती-रिवाजसिके पुरा दिलसे पालन कर्ते रहियै। उटा समय हमे मण्डलीके आदमीसिके जेसब परमेश्वरके आराधना कर्ते रहै, ओकरासिके सताबैके लिए निकल्ल रहियै, हमे ओकरासिके सभैके नाश करैके कोशिश कैलियै।

15-16 मगर तब परमेश्वर फैसला कैल्कै कि आपन बेटाके हमरा प्रकट करै, ताकी हमे गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे येशूके विषयमे खुश-खबरी प्रचार करे सकियै। परमेश्वर ही छै जे हमर जनम हुऐसे पहेला ही हमरा चुनी लेल्कै, आर आपन अनुग्रहके कारण ऊ हमरा ओकर सेवा करैके लिए बोलैल्कै। जब येशू अपने आपके हमरा प्रकट कैल्कै, तब हमे सल्लाह लियैके लिए ककरो लगत नै गेलियै।

17 आर हमरसे पहेला चुन्ल आर भेज्ल चेला हुएवालासिकते हमे यरूशलेम सहरमे नै गेलियै, मगर तुरन्ते हमे अरब देशमहर गेलियै, आर ओत्तेसे दोबारा हमे दमसकस सहरमे वापस घुमिके ऐलियै।

18 फेर तीन सालके बाद हमे चुन्ल आर भेज्ल चेला, पत्रुसके भेट करैके लिए यरूशलेम सहरमे गेलियै आर ओकरसंगे पन्ध्र दिन रहलियै।

19 उटा समयमे हमे खाली आरहौ एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेलाके भेट करे सक्लियै, ऊ प्रभुके भ्या याकूब रहै।

20 परमेश्वर हमर गवाह छै कि हमे तोरासिके जे लिख्लियौ छे ओकरामे कुछु भी झुठ नैछै।

21 ऊ चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके भेट कैलके बाद हमे सिरिया प्रदेश आर किलिकिया प्रदेशमहर गेलियै।

22 मगर यहूदिया प्रदेशके ख्रीष्टके मण्डलीसिके विश्वासीसब हमरा व्यक्तिगत रुपसे नैदेखल्कै रहे।

23 मगर ऊसब घुरी-घुरी सुनल्कै, “एक समय जे अपनासिके सताबेवाला रहै, आब येशू ख्रीष्टमे उहे विश्वासके प्रचार करैछै जकरा ऊ नाश करैके कोशिश कैल्कै रहे।”

24 सेल्याके ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्ते रहैछै कहिनेकी ऊ हमरा एकटा सताबेवाला आदमीसे ख्रीष्टके अनुयायीके रुपमे बदली देल्कै छे।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan