Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

एफिसी 6 - केवट नया कारार


मयाँ-बाबु आर बाल-बच्चा

1-3 धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “आपन मयाँ-बाबुके आदर कर, तब तोरसंगे सभे बढियाँ हैतौ आर धर्तीपर तोरसिके जीवन लम्बा हैतौ।” यी पहेला आज्ञा छै जकरा परमेश्वर एकटा प्रतिज्ञाके साथ देल्कै छे। सेल्याके हे बाल-बच्चासब तुहेंसब जे प्रभुके विश्वास करैछैं, तोरसिके लिए यी उचित छौ कि तुहेंसब आपन मयाँ-बाबुके आज्ञा मान।

4 हे मयाँ-बाबुसब, आपन बेटाबेटीसिके गोस्सा नैउठा, मगर प्रभुके चहेल मुताबिक ओकरासिके तालिम आर शिक्षा द्याके पालन-पोषण कर।


दास आर मालिक

5 हे दाससब, जे आदमीसब संसारके मुताबिक तोरसिके मालिकसब छौ, आदर आर डरके साथ ओकरसिके आज्ञापालन कर। खाली देखावा नैकर। ख्रीष्टके आज्ञापालन करै जुगुर तुहेंसब यी कर।

6 यी कामसब खाली मालिकके देखाबैके लिए या ओकरासिके खाली खुश बनाबैके मकसदसे नै मगर ख्रीष्टके सेवकसिके जुगुर काम कर, जेसब आपन पुरा मनसे उहे करैछै जे परमेश्वर चाहैछै कि ऊसब करै।

7 उत्साहके साथ एकटा सेवकके रुपमे एरं काम कर जेरं मान कि तुहें आदमीसिके लिए नै बल्की प्रभुके सेवा करैछैं।

8 कहिनेकी तुहेंसब जानैछैं कि जे कोय बढियाँ काम कर्तै, चाहे ऊ दास हुए या स्वतन्त्र हुए, ओकर इनाम ऊ प्रभुसे प्राप्त कर्तै।

9 अहिने करिके, हे मालिकसब, आपन दाससिके धम्की नैदहैं बरु ओकरसिके प्रति बढियाँ व्यवहार कर। कहिनेकी तुहेंसब जानैछैं कि ओकरसिके आर तोरसिके दोनोके मालिक स्वर्गमे छौ आर ऊ सभैके संगे एक समान व्यवहार करैछै।

10 आब अन्तमे, आत्मिक रुपसे प्रभुके अपार शक्तिसे मजगुत बन।

11 जेरंके एकटा सिपाही आपन सभे युद्धके हात-हतियारके पिन्हैछै, ओहिने करिके तोरासिके भी ऊ सभे चीजसिके उपयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरासिके देल्कौ छे, ताकी जब शैतान तोरासिके धोखा दियैके कोशिश करौ, ते तुहेंसब ओकर विरोध करे सक्हैं।

12 कहिनेकी आपनसिके लडाई आदमीसिके विरुद्धमे नैछै, मगर एकर बदलामे अपनासब भूत आर ओकरसिके अगुवासिके विरुद्धमे लडाई करैछियै, जे यी अनहारके संसारमे शासन करैछै, अपनासब ब्रम्हाण्डके दुष्ट शक्तिसिके विरुद्धमे लडाई करैछियै।

13 सेल्याके परमेश्वरके सभे हात-हतियार उठा, ताकी जब खराब दिनसब आबै ते जे कुछु सम्भव छै, ओकरा कैलके बाद तुहेंसब मजगुत भ्याके खडा हुए सक्हैं।

14 जेरंके एकटा सिपाही आपन कम्मरमे पेटी बान्हिके खुदके लडाईके लिए तैय्यार करैछै, ओहिने करिके तहुँसब भी शैतानके विरुद्धमे लडाई करैके लिए खुदके तैय्यार करैले परमेश्वरके सच्चाईके अनुसरण कर। जेरंके कवच कोनो सिपाहीके लडाईमे रक्षा करैछै, ओहिने करिके जब शैतान तोरासिपर हमला करैछै तब तोरसिके धार्मिक व्यवहार तोरसिके रक्षा कर्तौ।

15 एकटा सिपाही जेरंके लडाईके लिए तैय्यार हुऐके लिए आपन जुत्ता पिन्हैछै, ओहिने करिके तोरासिके शैतानके संगे लडैले तैय्यार हुऐके लिए परमेश्वरके संगे शान्तिके विषयमे जे खुश-खबरी छै, ओकरापर भरोसा करना चाही।

16 जेरंके एकटा सिपाही ढाल ल्याके आपन उप्परमे आबेवाला दुश्मनके कोनो हतियारसे खुदके बचाबैछै, ओहिने करिके ख्रीष्टमे विश्वास राख कि ख्रीष्ट तोरासिके शैतानके द्वारा हानी हुऐसे बच्याके राखौ।

17 जेरंके एकटा सिपाही लडाईमे आपन मथाके बचाबैके लिए टोपी लगाबैछै, ओहिने करिके परमेश्वर तोरासिके शैतानसे बचाबौ। जेरंके एकटा सिपाही खुदके बचाबैके लिए एकटा तलवार लैछै, ओहिने करिके खुदके बचाबैके लिए परमेश्वरके वचनके उपयोग कर। यी पवित्र आत्माके तरफसे छै।

18 सभे समय आर सभे किसिमसे अपनासिके ओहिने करिके प्रार्थना करना चाही जेरं पवित्र आत्मा अपनासिके अगुवाई करैछै। सचेत भ्याके सभे विश्वासीसिके लिए सभे जगहमे निरन्तर प्रार्थना कर्ते र।

19 आर हमर लिए भी प्रार्थना करिके परमेश्वरसे कहिहैं कि ऊ हमरा बोलैके लिए सही शब्द दै ताकी हमे हिम्मतसे खुश-खबरीके विषयमे, जे सभे आदमीसिके लिए छै, ओकर रहस्यके प्रचार करे सकियै।

20 यी खुश-खबरीके खातिर हमे एकटा राजदूत छियै, जब कि हमे एखन जेलमे छियै। तुहेंसब प्रार्थना कर कि हमे, जेरं हमे बोलना चाही, ओहिने करिके बिना डरके साथ खुश-खबरीके प्रचार करे सकियै।

21 प्रभुके संगतिमे प्रिय विश्वासी भ्या आर विश्वासयोग्य सेवक तुखिकस तोरासिके यी सभे बात बतैतौ, ताकी तहुँसब भी जानी लहैं कि हमे केरंको अवस्थामे छियै आर कि करैछियै।

22 हमे ओकरा तोरसिकेलगत यी मकसदसे भेजैछियौ ताकी तोरासिके हमरसिके हालखबर मालुम हौ आर ऊ तोरसिके उत्साह दिए सकौ।

23 हमे हमर पिता परमेश्वरसे आर प्रभु येशू ख्रीष्टसे प्रार्थना करैछियै कि ऊसब तुहें विश्वासी भ्या-बहिनसिके शान्ति दौ। ऊसब एरं करौ कि तुहेंसब एक दोसरसे प्रेम करहैं आर ख्रीष्टमे निरन्तर विश्वास कर्ते रहैं।

24 परमेश्वर ओकरासिके सभैके आपन अनुग्रह देखाबै जेसब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टसे कहियो खतम नैहुएवाला प्रेम करैछै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan