Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

एफिसी 5 - केवट नया कारार


प्रेममे चल

1 तुहेंसब परमेश्वरके सन्तान छैं जकरासे ऊ प्रेम करैछै, सेल्याके ओकर जुगुर बनैके कोशिश कर।

2 ख्रीष्टके उदाहरणके अनुसरण कर्ते हुए, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमसे भर्ल जीवन जी, ख्रीष्ट तोरासे प्रेम कैल्कौ आर तोरसिके पापसिके उठाबैके लिए खुदके बलिदान करिदेल्कै। आर परमेश्वर यी बातसे खुश रहै, कहिनेकी उटा बलिदान ओकर लिए गमकौव्वा धुपके जुगुर रहै।

3 तुहेंसब विश्वासीसब हुऐके कारणसे तोरसिके बीचमे व्यबिचार आर कोनो अशुद्धता या लोभके नाम भी नैलेल जै।

4 कोनो अश्लील बात, मूर्ख बातचित या अश्लील मजाक नैकरिहैं, कहिनेकी यी तोरसिके लिए उचित नैछौ। मगर तोरासिके परमेश्वरके धन्यवाद देना चाही।

5 कहिनेकी तुहेंसब यी बात बढियाँसे जानैछैं कि कोनो भी व्यबिचारी आदमी, गन्दा काम करेवाला आदमी या लोभी आदमीके ख्रीष्ट या परमेश्वरके राज्यमे कोनो हिस्सा नैमिल्तै। लोभी आदमी एकटा मूर्तिपूजा करेवाला आदमीके जुगुर छै, जे यी संसारके चीजसिके आराधना करैछै।

6 ऊ आदमीसिके द्वारा मूर्ख नैबन जेसब यी पापसिके लिए बहाना बनाबैके कोशिश करैछै, कहिनेकी इहे कामसिके कारणसे परमेश्वरके क्रोध ओकर आज्ञा नैमानेवाला आदमीसिपर पडैछै।

7 सेल्याके यी पापमय कामसिके करैमे ओकरसिके संगे सामिल नैहु।

8 तुहेंसब अनहारमे रहेवाला आदमीसिके जुगुर रहैं, मगर आब तुहेंसब उजेतमे रहेवाला आदमीसब छैं कहिनेकी तुहेंसब प्रभुसे सम्बन्धित छैं। सेल्याके उजेतमे रहेवाला आदमीसिके जुगुर काम कर।

9 कहिनेकी यदि कोनो आदमी उजेतमे छै ते ओकर आचरण बढियाँ आर धार्मिक हैछै आर ओकरापर भरोसा कैल ज्या सकैछै।

10 यी सिखैके कोशिश कर कि कोन बात प्रभुके खुश बनाबैछै।

11 अनहारद्वारा उत्पन्न हुएवाला बेकार कामसिमे सामिल नैहु। बरु, आदमीसिके देखा कि यी कामसब खराब छै।

12 कहिनेकी अविश्वासी आदमीसिके गुप्तमे कैल कामके विषयमे कहना भी लाजके बात छै।

13 मगर जब कोनो चीजपर उजेत चम्कैछै ते सभे आदमी देखे सकैछै कि उटा चीज केरंको छै, कहिनेकी जब उजेत कोनो चीजके प्रकट करैछै ते उटा चीज खुद ही उजेत बनी जैछै।

14 सेल्याके आदमीसब कहैछै: “हे निनमे भेल आदमीसब जाग आर मुर्दासे उठ्, आर ख्रीष्ट आपन उजेत तोरासिमे चम्कैतौ।”

15 सेल्याके आपन स्वभावके विषयमे विशेष रुपसे होशियार र। तोरसिके स्वभाव निर्बुद्धि आदमीसिके जुगुर नै, मगर बुद्धिमान आदमीसिके जुगुर हौ।

16 आर तोरसिके संगे भेल हरेक अवसरके उपयोग बढियाँ काम करैके लिए कर, कहिनेकी दिन खराब छै।

17 सेल्याके निर्बुद्धि नैहु, मगर यी सम्झैके कोशिश करिके बुद्धिमान बन कि प्रभु तोरासिसे कि करवाबैले चाहैछै।

18 अंगुरके मद्द पिबिके मतवाला नैबन, कहिनेकी यी आदमीसिके असभ्य आर अनियन्त्रित तरिकासे व्यवहार करैके कारण बनैछै। बरु, पवित्र आत्माके तोरा आपन शक्तिसे भरैले दहैं।

19 यदि तुहें पवित्र आत्माके शक्तिसे भर्ल छैं ते तुहेंसब एक जगहमे जमा भेल समयमे आपन-आपन मनमे परमेश्वरके लिए भजन, स्तुति आर आत्मिक गीत गैभैं। तुहेंसब गीतसब गा आर आपन पुरा ह्रदयसे परमेश्वरके लिए आरहौ नया संगीत बना।

20 जे कुछु आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट कैल्कै ओकर कारण सभे दिन आपनसिके परमेश्वर पिताके हरेक बातके लिए धन्यवाद दहैं।

21 अपनासब ख्रीष्टके प्रति श्रद्धा-भक्ति राखैके कारण एक दोसरके अधिनमे र।


पति आर पतनीके आदेश

22 हे पतनीसब, आपन पतिके अधिनमे एरंके र, जेरंके तुहें प्रभुके अधिनमे रहैछैं।

23 कहिनेकी पति पतनीके शिर छै, जेरंके ख्रीष्ट मण्डलीके शिर छै, आर ख्रीष्ट मण्डलीके उद्धारकर्ता छै, जे ओकर आपन शरीर छै।

24 जेरंके मण्डली ख्रीष्टके अधिनमे छै, ओहिने करिके पतनीसब भी सभे बातमे पतिसिके अधिनमे रहक।

25 हे पतिसब आपन-आपन पतनीसिके प्रेम कर, जेरंके ख्रीष्ट भी मण्डलीके प्रेम कैल्कै आर ओकर लिए आपन जान देल्कै।

26 सेल्याके मण्डली पवित्र बनैल गेलै। ख्रीष्ट मण्डलीके पवित्र बनाबैके लिए आपन वचनद्वारा आर पानीसे धोयके शुद्ध बनैल्कै।

27 ऊ आपन आदमीसिके लिए भी मर्लै ताकी ऊ आपन मण्डलीके सिद्ध बनाबे सकै आर अपनासब सभैके आपन उपस्थितिमे आने सकै, जकरामे कोनो दोष या पाप या कोनो खराब बात नैहैतै, बरु विश्वासीसब पवित्र आर दोषरहित हैतै।

28 ओहिने करिके पतिसब भी आपन-आपन पतनीके आपने शरीरके जुगुर प्रेम करे पडैछै। आपन पतनीके प्रेम करेवाला अपने आपके प्रेम करैछै।

29 कहिनेकी कोनो आदमी कहियो आपन शरीरके घृणा नैकरैछै, मगर ओकर पालन पोषण आर वास्ता करैछै, जेरंके ख्रीष्ट भी मण्डलीके लिए करैछै।

30 इहे ल्याके कि अपनासब ओकर शरीरके अंगसब छियै।

31 जेरं कि धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “सेल्याके आदमी आपन मयाँ बाबुके छोडिके आपन पतनीके संगे मिलिके रहैछै, आर ऊ दोनो एक्केटा शरीर हैतै।”

32 यी एकटा बडका रहस्य छै। एत्ते एकटा मूल्यवान आर गम्भीर शिक्षा छै जे अपनासब एत्ते बुझे सकैछियै, आर हमर लिए, हमे एकरा ख्रीष्ट आर मण्डलीके संगे तुलना करैछियै।

33 मगर यी तोरासिमे भी लागु हैछै कि हर एक आदमी आपन पतनीसे आपन जुगुर प्रेम करै, आर पतनी भी आपन पतिके आदर आर सम्मान दै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan