एफिसी 3 - केवट नया काराररहस्य प्रकट भेलै 1 परमेश्वर तुहेंसब गैर-यहूदी आदमीसिके लिए यी सभे कैल्कै छे, सेल्याके हमे पावल, तोरसिके लिए प्रार्थना करैछियौ। हमे जेलमे छियै कहिनेकी हमे तोरसिके लिए ख्रीष्ट येशूके सेवा करैछियौ। 2 तुहेंसब जरुर ही सुन्लहैं छे कि परमेश्वर हमरा खुश-खबरीके प्रचार करैके जिम्मेदारी ओकर अनुग्रहसे देल्कै छे। 3 जेरं कि हमे कुछु विवरण तोरासिके पहेला ही लिख्लियौ रहे, परमेश्वर खुद हमरा उटा नुकैल योजनाके प्रकट कैल्कै। 4 जब तुहेंसब चिट्ठी पढैछैं, ख्रीष्टके रहस्यके हमे कतनें बढियाँसे बुझ्लियै छे कहिके तोरासिके मालुम हैतौ। 5 बित्ल समयमे, परमेश्वर आदमीसिके यी रहस्य प्रकट नैकैल्कै। मगर आब ऊ पवित्र आत्माके माध्यमसे आपन पवित्र चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके आर आपन वक्तासिके यी बातके खुलासा कैल्कै छे। 6 आर रहस्य यी छै कि येशू ख्रीष्टके संगे आपनसिके सम्बन्धके कारण खुश-खबरीके द्वारा यहूदी आदमीसिके जुगुर गैर-यहूदी आदमीसब भी उहे आशिषसिके पैतै, आर ऊसब एक्केटा शरीरके अंगसब छै आर परमेश्वरके कैल प्रतिज्ञासिमे भागीदार छै। 7 परमेश्वर हमरा मुफ्तमे आपन अनुग्रह देल्कै आर परमेश्वरके अनुग्रह आर शक्तिसे हमरा खुश-खबरी प्रचार करैके कामके द्वारा ओकर सेवा करैके अवसर देल्कै छे। 8 हमे परमेश्वरके सभे आदमीसिमेसे सभैसे कम महत्वपूर्ण छियै। मगर परमेश्वर हमरापर अनुग्रहकारी रहै कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबे सक्लियै कि ख्रीष्ट अपार आशिषके मूल छै, जे समझसे बाहार छै। 9 आर सभे आदमीके यी नुकैल योजनाके बारेमे सम्झाबैके लिए सभे चीजके सृष्टि करेवाला परमेश्वर यी बात शुरुसे ही नुक्याके राखल्कै छे। 10 ओकर मकसद मण्डलीके इस्तमाल करिके अदृश्य संसारमे शासन करेवाला आर अधिकार भेल सभे आत्मिक प्राणीसिके परमेश्वरके अपार ज्ञानके बारेमे बताबैके लिए रहै। 11 परमेश्वर आपन कहियो खतम नैहुएवाला नुकैल योजनाके मुताबिक एरं कैल्कै, जकरा ऊ आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके कैल कामके माध्यमसे पुरा कैल्कै। 12 ख्रीष्टके संगे आपनसिके सम्बन्ध हुऐके कारण आर ओकरापर आपनसिके विश्वासके कारण, आब अपनासब परमेश्वरके समनामे हिम्मत आर आत्म-विश्वाससे आबे सकैछियै। 13 सेल्याके हमे तोरासिसे बिन्ती करैछियौ, कि तोरसिके लिए हमे भोगी रहल कष्टमे तुहेंसब निराश नैहु। कहिनेकी यी सभे तोरेसिके फैदाके लिए छौ। पावलके प्रार्थना 14 कहिनेकी हमे परमेश्वर पिताके समनामे आपन घुटुवा पारिके प्रार्थना करैछियै। 15 ऊ उहे छै जे विश्वासीसिके परिवारके पिता छै, जेसब स्वर्गमे छै आर धर्तीमे छै। 16 हमे प्रार्थना करैछियै कि ओकर महिमाके दौलतसे परमेश्वर तोरासिके आपन पवित्र-आत्मासे तोरासिके शक्ति दौ ताकी तुहेंसब आपन आत्मामे मजगुत हुए सक्हैं। 17 ताकी जब तुहेंसब ओकरापर भरोसा कर्भैं, तब ख्रीष्ट तोरसिके हृदयमे रहौ। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर आर एक-दोसरके लिए तोरसिके प्रेम तोरासिके मजगुत बनाबौ आर तोरासिके गिरैसे बचाबौ। 18 आर परमेश्वरके सभे आदमीसिके संगे, तोरसिकेलगत यी सम्झैके शक्ति हुए सकैछौ कि ख्रीष्ट अपनासब वर्णन करैसे बेसी अपनासिके प्रेम करैछै। 19 हमे प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब यी बात जाने सक्हैं कि ख्रीष्ट अपनासिके कतनें प्रेम करैछै ताकी परमेश्वर तोरासिके ओकर चरित्रसे भरे सकौ। 20 आब परमेश्वरके महिमा है! ओकर अदभुद शक्तिके द्वारा जे आपनसिके भितरमे काम करैछै, ऊ अपार रुपसे आपनसिके आशा कैल आर माँगैसे बेसी काम पुरा करैके योग्य छै। 21 ओकरा मण्डलीमे आर ख्रीष्ट येशूमे सभे दिन महिमा है। आमेन। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation