एफिसी 2 - केवट नया कारारमौतसे जीवनके तरफ 1 पहेला, तोरसिकेलगत परमेश्वरके द्वारा देल नया जीवन नैरहौ। आर तोरसिके खराब कामसब आर पापसिके कारण तुहेंसब मर्ल आदमीसिके जुगुर रहैं। 2 उटा समयमे तुहेंसब परमेश्वरके नैचिन्हेवाला यी संसारके आदमीसिके तौर-तरिकामे चल्लहैं। आर तुहेंसब शैतानके आज्ञापालन कर्ते रहैं, जे ब्रम्हाण्डमे भेल भूतसिपर शासन करैछै, जे एखन भी परमेश्वरके आज्ञापालन नैकरेवाला आदमीसिके नियन्त्रण करैके कोशिश करैछै। 3 अपनासब सभेको भी ओकरेसिके जुगुर पापी स्वभावके इच्छाके मुताबिक व्यवहार कर्ते रहियै। आपनसिके खराब इच्छासब आर विचारसब जे भी अपनासिसे करवाबैले चहते रहै, अपनासब ओकरे अनुसरण कर्ते रहियै। दोसर आदमीसिके जुगुर अपनासब भी स्वभाविक रुपसे खराब रहियै आर परमेश्वरके सजायके अधिनमे रहियै। 4 मगर परमेश्वर जे बहुते दयालु छै, ऊ आपन अपार प्रेमसे अपनासिके प्रेम कैल्कै। 5 अपनासब खराब कामसब आर पापसिके कारण मर्ल आदमीसिके जुगुर रहियै। परमेश्वर अपनासिके जीवन देल्कै, जब परमेश्वर ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै। परमेश्वरके अनुग्रहसे ही तोरसिके उद्धार भेलौ छे। 6 परमेश्वर अपनासिके ख्रीष्टके संगे मुर्दासिमेसे जिन्दा बनैल्कै आर येशू ख्रीष्टके संगे आपनसिके सम्बन्ध हुऐके कारण स्वर्गमे अपनासिके ख्रीष्टके संगे राज्य करैके योग्य बनैल्कै। 7 परमेश्वर एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी आबेवाला दिनमे ऊ संसारके आदमीसिके देखाबे सकै कि ओकर अनुग्रह कतनें महान छै। ऊ आपनसिके लिए जे कुछु कैल्कै छे ओकरामे अपनासब जे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे छियै, अपनासिमे ओकरद्वारा अनुग्रह देखैल छै। 8 कहिनेकी जब तुहें विश्वास कैल्हैं ते परमेश्वर आपन अनुग्रहसे तोरा बच्या लेल्कौ। तुहें आपन उद्धारके नैकमैल्हैं छे, यी ते परमेश्वरके दान छै। 9 यी तोरद्वारा कैल गेल कोनो भी बढियाँ कामके कारण नैछौ, सेल्याके तोरलगत घमण्ड करैके कोनो कारण नैछौ। 10 कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके सृष्टि छियै, ख्रीष्ट येशूमे बढियाँ काम करैके लिए अपनासिके नया आदमीके रुपमे सृष्टि कैल गेलै जकरा परमेश्वर पहलहैसे अपनासब करियै कहिके तैय्यार कैल्कै रहे। ख्रीष्टमे एक 11 सेल्याके याद कर, कि तुहेंसब जनमसे ही गैर-यहूदी आदमीसब छैं। यहूदी आदमीसब तोरसिके खतना भेल नैछौ कहिके तोरसिके मजाक उडैल्कौ, मगर ऊसब सोचल्कै कि ओकरसिके खतना हुऐके कारण ऊसब परमेश्वरके छै। मगर ओकरसिके यी रिती खाली ओकरसिके शरीरमे कैल जैछै। 12 तुहेंसब उटा समयमे ख्रीष्टके नैचिन्हते रहैं आर तुहेंसब परमेश्वरके चुन्ल आदमी इस्राएलीसिके जुगुर नागरिकके रुपमे सम्बन्धित नैरहैं। तुहेंसब उटा बढियाँ चीजसिमे भी भागीदार नैरहैं जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर यहूदी आदमीसिसे कैल्कै रहे। आर तुहेंसब आशा बिहिन आर तुहेंसब यी संसारमे ईश्वर रहित रहते रहैं। 13 एक समयमे तुहेंसब परमेश्वरसे दूर रहैं, मगर आब परमेश्वर येशू ख्रीष्ट तोरसिके लिए बहैल उटा खूनके माध्यमसे तोरासिके आपन नज्दिक आनल्कौ छे। 14 ख्रीष्ट खुद आपनसिके बीचमे शान्ति स्थापित कैल्कै छे। बित्ल समयमे, यी एरं रहै जेरं एकटा दिवाल यहूदी आदमी आर गैर-यहूदी आदमीसिके अलग करिदेल्कै रहे। ऊसब एक दोसरसे घृणा कर्ते रहै। मगर आब ख्रीष्ट उटा दिवालके गिर्या देल्कै छे आर दोनो समूहके एक बन्या देल्कै छे। 15 आपन मौतके द्वारा ख्रीष्ट मूसाके विधि-विधानके एकर सभे नियमसिके आर कानूनसिके संगे रद्द करिदेल्कै ताकी ऊ यहूदी आदमीसिके आर गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे शान्ति स्थापना करे सकै आर एरंके एकटा नया समूह बनाबे सकै। 16 क्रूसपर आपन मौतके द्वारा ख्रीष्ट दीटा समूहके एक बन्या देल्कै आर ओकरसिके मिलाप परमेश्वरसे कर्या देल्कै, एरंके यहूदी आदमीसिके आर गैर-यहूदी आदमीसिके बीचके दुश्मनीके खतम करिदेल्कै। 17 ख्रीष्ट आबिके तुहें गैर-यहूदी आदमीसब, जे परमेश्वरसे दूर रहैं आर यहूदी आदमीसिके, जे ओकर नज्दिक रहै, दोनोके शान्तिके खुश-खबरी सुनैल्कौ। 18 कहिनेकी ख्रीष्ट जे आपनसिके लिए कैल्कै, ओकर कारण आब अपनासब उहे एक्केटा पवित्र आत्माके द्वारा पिताके लगत आबे सकैछियै। ख्रीष्ट हमर महत्वपूर्ण पत्थल 19 सेल्याके तुहें गैर-यहूदी आदमीसब आब परदेशी नैछैं, मगर विश्वासीसिके संगे तुहेंसब परमेश्वरके आदमीसिके संगे संगी नागरिक आर परमेश्वरके परिवारके सदस्यसब छैं। 20 चुन्ल आर भेज्ल चेलासब आर परमेश्वरके वक्तासिके जगमे तुहेंसब एकटा इमारतके जुगुर छैं आर जकर सबसे महत्वपूर्ण पत्थल येशू ख्रीष्ट छै। 21 ख्रीष्ट ही छै जे पुरा इमारतके एक साथ जोडिके राखैके कारण छै। ऊ परमेश्वरके लिए एकटा पवित्र मन्दिर बनैके लिए आपन सभे आदमीसिके पत्थलसिके जुगुर एक साथ जोडी रहलै छे। 22 हे गैर-यहूदी आदमीसब तुहेंसब ख्रीष्टके साथ एकजुट हुऐके कारण तोरासिके भी परमेश्वरके दोसर आदमीसिके संगे जोड्ल जैछौ। तुहेंसब एकटा एरंको इमारतके जुगुर बनैछैं जते परमेश्वरके आत्मा रहैछै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation