Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -


चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 7 - केवट नया कारार


यहूदी आदमीसिके महासभाके समनामे स्तिफनसके बयान

1 तब प्रधान पुजारी स्तिफनसके पुछल्कै, “कि यी आरोप सच छै?”

2 ऊ जबाब देल्कै, “हे बाबु-भैय्यासब हमर कहेल बात सुन! आपनसिके पुर्खा अब्राहमके ओकर हारान सहरमे बसैसे पहेला, जब ऊ मेसोपोटामिया प्रदेशमे रहै, ओथै महिमामय परमेश्वर ओकरा दर्शन देल्कै।

3 आर परमेश्वर अब्राहमके कहैल्कै, ‘तुहें आपन कुटुम-परिवारके छोडिके यी देशसे निक्लीके जो, जे देश हमे तोरा देखैबौ।’

4 तब ऊ कल्दी आदमीसिके देशसे निक्लीके हारान सहरमे आबिके बस्लै। आर ओकर बाबु मर्लके बाद परमेश्वर ओकरा हारान गाँवसे यी देशमे भेजल्कै, जते एखन तुहेंसब रहैछ।

5 मगर परमेश्वर ओकरा कोनो उत्तराधिकार नैदेल्कै, पैर राखैके जगह जतनें जमिन भी नैदेल्कै। जब कि उटा समयमे ओकरा कोनो बाल-बच्चा भी नैभेलै रहे। तैय्योपर परमेश्वर प्रतिज्ञा कैल्कै कि हमे यी देश तोर आर तोर पाछु आबेवाला तोर सन्तानके हातमे द्या देबौ।

6 आर परमेश्वर यी भी कहैल्कै, ‘तोर सन्तानके बाल-बच्चासब दोसर देशमे परदेशी हैतौ आर ऊ देशके आदमीसब ओकरासिके दास बन्या लेतै आर चार स सालतक ऊसब ओकरासिके खराब व्यवहार कर्तै।’

7 फेर परमेश्वर कहैल्कै, ‘ओकरासिके दास बनाबेवाला जात-जातके आदमीसिके हमे सजाय देबै, आर एकरबाद ऊसब उटा देशसे निक्लीके यी देशमे आबिके इहे जगहमे हमर आराधना कर्तै।’

8 परमेश्वर अब्राहमके संगे एकटा प्रतिज्ञा कैल्कै आर ओकरा कहैल्कै, ‘कि ऊ आपन घरके सभे मरदके करारके निशानके रुपमे खतना करवाबै।’ जब अब्राहमके बेटा इसहाकके जनम भेलै, तब अठमा दिनमे इसहाकके खतना कैल गेलै। इसहाक आपन बेटा याकूबके खतना कैल्कै आर याकूब आपन बारहो बेटाके खतना कैल्कै। इहेसब ही आपनसिके बारह कुलके पुर्खा भेलै।

9 यी पुर्खासब आपन भ्या योसेफसे जर्नी करिके ओकरा मिश्र देशमे एकटा दासके रुपमे बेचि देल्कै, मगर परमेश्वर योसेफके संगमे रहै।

10 परमेश्वर योसेफके सभे दुःखसे बचैल्कै। जब योसेफ मिश्र देशके राजा फारोके समनामे ऐलै, तब परमेश्वर ओकरा सुबुद्धि आर बढियाँ विचार देल्कै। यी देखिके राजा योसेफके पुरे मिश्र देशके आर आपन पुरे राजभवनके अधिकारी बन्या देल्कै।

11 जब योसेफ मिश्र देशके मन्त्री रहै, तब सारा मिश्र देश आर कनान देशमे अकाल पड्लै, जकर कारणसे सभैके बडका दुःख भेलै आर आपनसिके पुर्खासिके अनाज नैमिल्ते रहै।

12 मिश्र देशमे अनाज छै कहिके सुनिके याकूब आपन बेटासिके अनाज किनैले मिश्र देशमे भेजल्कै। ऊसब योसेफसे मिल्लै आर अनाज किनल्कै मगर ऊसब योसेफके नैचिन्हल्कै।

13 जब ऊसब दोसर बेर अनाज लियैके लिए गेलै योसेफ आपन भ्यासिके आपन परिचय देल्कै। तखनिहैं योसेफके परिवारके बारेमे फारोके भी मालुम भेलै।

14 योसेफ आपन बाबु याकूबके पुरे परिवार सहित मिश्र देशमे आबैके लिए समाद भेजल्कै। यी समाद पैलके बाद याकूब आपन सभे पचहतर झनके परिवार ल्याके मिश्र देशमे गेलै।

15 एरंके कुछु समयके बाद, याकूब आर आपनसिके बारह कुलके पुर्खा मिश्र देशमे ही मर्लै।

16 ऊसब याकूब आर ओकर बेटासिके लासके आपनसिके देश कनानमे आनल्कै, आर ऊसब याकूबके शरीरके उटा जमिनमे भेल सारामे दफन कैल्कै, जेटा जमिन अब्राहम एकटा निश्चित दाम तिरिके किनल्कै रहे आर ऊसब याकूबके बेटाके शकेम सहरके उटा जमिनमे दफनैल्कै, जेटा जमिन याकूब हमोरके बेटासिसे किनल्कै रहे।

17 मगर जब परमेश्वरद्वारा अब्राहमके देल प्रतिज्ञाके पुरा हुऐके समय नज्दिक ऐलै, उहे समयमे आपन इस्राएलीसिके संख्या मिश्र देशमे बढिके बहुते भेल रहै।

18 तब मिश्र देशमे योसेफके नैचिन्हेवाला एकटा नया राजा शासन करे लाग्लै।

19 ऊ राजा आपनसिके पुर्खासिके विरोधमे जाल रचल्कै आर ओकरासिके अत्याचार कैल्कै। ऊ राजा मयाँ-बाबुसिके मजबूर कैल्कै कि ऊसब आपन नवजात बच्चासिके फेकि दै, ताकी ऊ बच्चासब मरि जै।

20 उहे समयमे मूसाके जनम भेलै। ऊ परमेश्वरके दृष्टीमे बहुत ही सुन्दर रहै। आर ओकरा तीन महिनातक ओकर मयाँ-बाबु गुप्त रुपसे घरहैमे नुक्याके पालन-पोषण कैल्कै।

21 मगर जब ऊसब ओकरा आरहौ नुक्याके राखैले नैसकल्कै ते, ऊसब ओकरा घरके बाहार राखी देल्कै। तब फारोके बेटी ओकरा गोद लेल्कै आर ऊ ओकर पालन-पोषण आपन बेटाके जुगुर कैल्कै।

22 आर मूसाके मिश्री आदमीसिके सभे शिक्षा देल गेलै आर ऊ शक्तिशाली तरिकासे बात-चित आर काम कर्ते रहै।

23 जब मूसा चालीस सालके भेलै, तब ओकर मनमे आपन इस्राएली भ्या-बहिनसिके भेट करैके विचार ऐलै।

24 ओत्ते ऊ एकटा मिश्री आदमीके द्वारा एकटा इस्राएलीके संगे बदसलूकी हैते देखिके ओकरा बचैल्कै आर मिश्री आदमीके जान मारिके सतैल आदमीके बदला लेल्कै।

25 परमेश्वर हमर हातसे ओकरासिके दासत्वसे उद्धार कर्तै कहिके हमर जातके भ्या-बहिनसब बुझ्तै कहिके मूसा विचार कैल्कै रहे। मगर ऊसब नैबुझल्कै।

26 दोसर दिन जब इस्राएलीसब आपसमे लड्ते रहै ते, ऊ ओत्ते पहुँचलै। आर ऊ यी कहिके मेल-मिलाप करैके लिए सम्झैल्कै कि, ‘तुहेंसब भ्या-भ्या छैं, एक दोसरपर कथिले अन्याय करैछैं।’

27 मगर जे आपन पडोसी पर अन्याय कर्ते रहै, ऊ मूसाके यी कहिके धक्का देल्कै, ‘तोरा हमरसिके शासक आर न्यायधीश के बनैल्कौ छे?

28 कि जेरंके तुहें क्याल ऊ मिश्री आदमीके खून कैल्हैं, ओहिने करिके हमरा भी मारैले चाहैछैं।’

29 यी बात सुनिके ओकरा डर भेलै। सेल्याके मूसा मिश्र देशसे भागिके मिद्दान देशमे जैके रहे लाग्लै, आर ओत्ते ओकर दीटा बेटासिके जनम भेलै।

30 मिद्यान देशमे मूसा चालीस साल रहेलके बाद सिनै पहाडके नज्दिक सुनसान जगहमे जर्ते हुए झौंकीके आगिनसे मूसाके एकटा स्वर्गदूत दिखाई देल्कै आर परमेश्वर ऊ स्वर्गदूतके द्वारा ओकरासे बात कैल्कै।

31 जब मूसा जर्ते हुए झौंकीके देखल्कै जे भसम नैहैते रहै ते, ऊ आश्चर्य-चकित भ्यागेलै। आर जब बढियाँसे देखैके लिए झौंकीके नज्दिक गेलै ते, प्रभुके यी आवाज सुनल्कै,

32 ‘हमे तोर पुर्खा अब्राहम, इसहाक आर याकूबके परमेश्वर छियौ।’ तब मूसा डरसे थर-थर काँपे लाग्लै, आर ओकरा उन्हर देखैके साहास भी नैभेलै।

33 तब प्रभु मूसाके कहैल्कै, ‘भक्ति देखाबैके लिए तोर पैरीके जुत्ता खोल, कहिनेकी जे जगहमे तुहें खडा छैं, उटा पवित्र जगह छै।

34 मिश्र देशमे भेल हमर आदमीसिके दुर्दशा हमे देख्लियै छे, आर ओकरसिके छटपटी आर विलौना सुन्लियै छे। ओकरासिके छुटकारा दियैले हमे उतरिके ऐलियै छे। आर यी कामके लिए हमे तोरा मिश्र देशमे भेज्बौ।’

35 यी उहे मूसा छै जकरा इस्राएलीसब अस्वीकार कैल्कै रहे, आर जेसब कहैल्कै रहे, ‘तोरा हमरसिके शासक आर न्यायधीश के बनैल्कौ छे?’ जर्ते हुए झौंकीसे एकरसंगे स्वर्गदूतद्वारा परमेश्वर बोल्लै आर उहे परमेश्वर इस्राएलीसिके आजाद कराबैले ओकरसिके अगुवा बन्याके भेजल्कै।

36 इहे आदमी मिश्र देशमे, लाल समुन्दरमे आर चालीस सालतक सुनसान जगहमे शक्तिशाली काम आर चिन्हसब करिके ओकरासिके बाहार आनल्कै।

37 ऊ उहे मूसा छै, जे इस्राएलीसिके कहैल्कै रहे, ‘परमेश्वर हमरा जेरंके खडा कैल्कै छे ओहिने तोरसिके भ्यासिमेसे तोरसिके लिए एकटा परमेश्वरके वक्ता खडा कर्तै।’

38 इहे मूसा एकटा अगुवाके रुपमे आपनसिके पुर्खासिके संगे रहै जब ऊसब सुनसान जगहमे एक्केसंगे जमा रहै। ऊ स्वर्गदूतके संगे सिनै पहाडपर ओकरासे बात कैल्कै आर आपन पुर्खासिके संगे रहै, ओथै पहाडपर मूसाके जीवनदायक वचन मिल्लै आर ऊ उटा वचन आपनसिके लगत पहुँचैल्कै।

39 मगर आपनसिके पुर्खासब ओकर बात सुनैसे इन्कार कैल्कै आर टेर्बो नैकैल्कै। मूसाके छोडिके ऊसब मिश्र देशमे घुमिके वापस जैले चहते रहै।

40 ऊसब मूसाके बडका भैय्या हारुनके एरं कहैल्कै, ‘हमरसिके लिए एरंको देवता बनाब, जे हमरसिके संगे मिश्र देशमे घुमिके वापस जैके लिए आगु-आगु जै, कहिनेकी हमरासिके मिश्र देशसे निकालीके आनेवाला यी मूसाके कि भेलै हमेसब नैजानैछियै?’

41 उहे समयमे ऊसब बाछाके एकटा मूर्ति बनैल्कै आर ओकर आगुमे बलिदान चढैल्कै। ऊसब आपन हातसे बनैल मूर्तिके समनामे धुम-धामसे खुशी मनैल्कै।

42 सेल्याके परमेश्वर ओकरासिके त्यागी देल्कै आर ऊ ओकरासिके आकाशके सुरुज, चान, आर तारासिके आपन देवताके रुपमे आराधना करैके लिए त्यागी देल्कै। एकर बारेमे परमेश्वरके वक्तासिके किताबमे परमेश्वर कहैल्कै छे, ‘हे इस्राएलीसब, तुहेंसब चालीस सालतक सुनसान जगहमे जे जानवरके बलिदान चढैल्हैं, उटा हमर लिए नैचढैल्हैं। उटा तुहेंसब दोसर देवतासिके लिए चढैल्हैं।

43 तुहेंसब उटा पाल उठ्याके ल्या गेल्हैं जकरामे तोरसिके देवता मोलेखके मूर्ति आर तोरसिके देवता रेफनके ताराके प्रतिमा रहै। उटा मूर्तिसब तुहेंसब आराधना करैके लिए बनैल्हैं। सेल्याके हमे तोरासिके बन्दी बन्याके बेबिलोन देशसे दूरके देशमे भेजी देबौ।’

44 सुनसान जगहमे आपनसिके पुर्खासंगे परमेश्वरके उपस्थिति देखाबेवाला परमेश्वरके पाल रहै। मूसा उटा परमेश्वरके पाल परमेश्वरके द्वारा देखैल नमुना मुताबिक ही बनैल्कै रहे।

45 बहुते सालके बाद परमेश्वर यी देशमे रहेवाला जात-जातके आदमीसिके भगैल्कै आर यहोशू यी देशके जितिके लियैके समयमे ऊसब उटा गवाहीके पाल यी देशमे आनल्कै। तकरबाद दाऊद राजाके समयतक उटा गवाहीके पाल ओकरेसिके संगे रहलै।

46 दाऊद राजा पर परमेश्वरके अनुग्रह रहै आर दाऊद राजा याकूबके परमेश्वरके लिए बास-स्थान बनाबैके लिए बिन्ती कैल्कै।

47 मगर ओकर बेटा सुलेमान उटा परमेश्वरके मन्दिर बनैल्कै।

48 मगर परमप्रधान परमेश्वर ते आदमीसिके हातसे बनैल मन्दिरमे बास नैकरैछै। जेरंके परमेश्वरके वक्ता यशैयाके किताबमे लिख्ल छै, परमेश्वर कहैछै,

49 परमेश्वर कहैछै, ‘स्वर्ग हमर सिंहासन छै, आर धर्ती हमर पैर राखेवाला पिढी छै, तुहेंसब हमर लिए केरंको मन्दिर बनैभैं? हमर विश्रामके जगह कते हैतै?

50 हमे खुद स्वर्ग आर धर्ती दोनो जगहमे सभे कुछु बनैलियै छे।’

51 हे जिद्दी, आर तुहेंसब जे ओकर बात मानैले या सुनैले इन्कार करेवाला आदमीसब! तोरसिके बाप-पुर्खा जेरं कैल्कहौं तहुँसब ओहिने करैछ। हरदम पवित्र आत्माके विरोध करैछ।

52 तोर बाप-पुर्खासब ऊ सभे परमेश्वरके वक्तासिके जान मारल्कै, जेसब ख्रीष्टके आबैके भविष्यवाणी कैल्कै रहे। जब ख्रीष्ट ऐलै ते, तुहेंसब ओकरा धोखा देल्ह आर ओकर जान मार्लह।

53 तुहेंसब स्वर्गदूतके द्वारा देल परमेश्वरके विधि-विधान ते पैलह, मगर ओकर पालन नैकैलह।”


स्तिफनसके हत्या

54 जब यहूदी आदमीसिके अगुवासब यीसब बात सुन्लकै तब ऊसब गोस्सासे लाल भेलै आर स्तिफनसके देखिके दाँत किटे लाग्लै।

55 मगर स्तिफनस पवित्र आत्मासे परिपूर्ण भ्याके स्वर्गमहर देखल्कै। ऊ परमेश्वरके शक्तिशाली महिमाके देखल्कै, येशू भी परमेश्वरके दहिना हातके बगल खडा रहै। ओत्ते स्तिफनस परमेश्वर आर ओकर दहिना हातके बगल येशूके बडका महिमामे खडा भेल देखल्कै।

56 ऊ कहैल्कै, “देख, हमे स्वर्ग उघर्ल आर आदमीके बेटा येशूके परमेश्वरके दहिना हातके बगल खडा भेल देखैछियै।”

57 यी बात पर ऊसब बडका जोरसे चिकर्ते आपन-आपन कान बन्द कैल्कै। आर ऊसब एक साथ स्तिफनसके झम्टल्कै।

58 ऊसब ओकरा यरूशलेम सहरसे घिसियैते बाहार निकालीके लज्याके ओकरापर पत्थल फेकिके जान मारल्कै। आर स्तिफनसपर आरोप लगाबेवाला आदमीसब आपन बाहरी कपडासब खोलीके एकटा शाउल नामके युवक लगत जिम्मा लग्या देल्कै।

59 जखनी ऊसब स्तिफनसके पत्थल मार्ते रहै, स्तिफनस प्रार्थना कैल्कै, “हे प्रभु येशू, हमर आत्माके ग्रहण कर।”

60 ऊ घुटुवा पारिके बडका आवाजसे कन्हार काटिके कहैल्कै, “हे प्रभु, यी पापके लिए एकरासिके माफ करिदह।” एतनें कहिके ऊ मरि गेलै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan