चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 4 - केवट नया कारारमहासभाके समनामे पत्रुस आर यूहन्ना 1 पत्रुस आर यूहन्ना आदमीसिके संगे बोल्ते रहै, तखनिहैं यहूदी पुजारीसब, परमेश्वरके मन्दिरके सिपाहीसिके कप्तान आर सदुकी समूहके आदमीसब ओकरलगत ऐलै। 2 ऊसब बहुते गोसैल रहै, कहिनेकी चुन्ल आर भेज्ल चेलासब आदमीसिके यी बात सिखैते रहै कि परमेश्वर जे आदमीसब मर्ल छै ओकरासिके फेर जिन्दा बनैतै, जेरंके परमेश्वर येशूके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै। 3 तब ऊसब ओकरासिके गिरफ्तार करिके दोसर दिनतक थानामे बन्द करिके राखल्कै, कहिनेकी तखनी साँझ भ्यागेलै रहे। 4 मगर सन्देश सुनेवालासिमेसे बहुते आदमीसब येशूमे विश्वास कैल्कै, इहे ल्याके लगभग पाँच हजार आदमीसब येशूमे विश्वास करेवालासब भेलै। 5 दोसर दिन यहूदी आदमीसिके अगुवासब आर धरमगुरुसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब यरूशलेम सहरमे एकटा जगहमे जमा भेलै। 6 ओत्ते प्रधान पुजारी हन्नासके संगे कैयाफा, यूहन्ना, अलेक्जेण्डर आर प्रधान पुजारीके परिवारके रिश्तेदारसब जमा रहै। 7 ऊसब पत्रुस आर यूहन्नाके सभे आदमीके बीचमे खडा करिके पुछल्कै, “यी आदमीके ठीक करैके लिए के तोरासिके शक्ति आर अधिकार देल्कौ?” 8 तब पवित्र आत्मासे भरपुर भ्याके पत्रुस ओकरासिके कहैल्कै, “आदमीसिके शासक आर यहूदी आदमीसिके अगुवासब, 9 ऐज हमेसब एकटा कमजोर आदमीके भलाइ कैलियै छे आर ऐज हमरासिके दोष लगैल जैछै कि ऊ केरंके ठीक भेलै। 10 ते तुहेंसब सभेको आर सभे इस्राएलीसब जानी ल्या कि नासरत गाँवमे रहेवाला येशू ख्रीष्टके नामसे कैलियै छे। उहे येशूके तुहेंसब क्रूसमे चढ्या देल्ह रहे, मगर परमेश्वर ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै। ऐज ओकरे नामके द्वारा यी आदमी तोरसिके समनामे भला चंगा खडा छै। 11 येशू ख्रीष्ट उहे पत्थल छै, जे तुहें निर्मातासब इन्कार कैलह रहे, उहे पत्थल एखन कोनाके शिर पत्थल भेलै छे। 12 येशूके सिवाय कोनो दोसरके द्वारा उद्धार नैछै, कहिनेकी हमरासिके उद्धार पाबैले आकाशके निच्चा आदमीके बीचमे आर कोनो नाम नैदेल छै।” येशूके नामके खातिर चेलासिके धम्की 13 जब ऊसब पत्रुस आर यूहन्नाके साहास देखल्कै आर यीसब अशिक्षित आर साधारण आदमीसब छै कहिके मालुम भेलै, तब ऊसब छक पड्लै आर ऊसब येशूके संगे रहते रहै कहिके मालुम भेलै। 14 मगर ठीक भेल आदमीके पत्रुस आर यूहन्नाके संगे खडा भेल देखिके ऊसब कुछु नै बोलैले सकल्कै। 15 सेल्याके ओकरासिके महासभासे बाहार जैके आज्ञा द्याके, ऊसब एरं कहिके सल्लाह कैल्कै, 16 “आब यी आदमीसिके हमेसब कि करियै? यरूशलेम सहरके सभे आदमीसब एकरसिके कैल यी शक्तिशाली काम मालुम भेलै छे। आब अपनासब यी बातके इन्कार करैले नैसकैछियै। 17 मगर आदमीसिमे यी समाचारके आरहौ बेसी प्रचार नैहै कहिके फेर यी नाममे कोनो आदमीसे तुहेंसब कुछु नैबोलिहैं कहिके चेतावनी दियैले पड्तै।” 18 तब ऊसब ओकरासिके बोल्याके यी आज्ञा देल्कै, “आबसे येशूके नाम नैबोलिहैं आर कोनो शिक्षा नैदिहैं।” 19 मगर पत्रुस आर यूहन्ना ओकरासिके जबाब देल्कै, “परमेश्वरके बात सुनैसे तोरसिके बात सुन्ना परमेश्वरके दृष्टीमे ठीक छै, कि नै तुहेंसब आपनहै विचार कर। 20 कहिनेकी हमरसिके देख्ल आर सुन्ल बातसिके नैबोलीके हमेसब रहे नैसक्बै।” 21 ओकरासिके सजाय दियैके कोनो उपाय नैभ्याके ओकरासिके आरहौ बेसी धम्क्याके छोडिदेल्कै, कहिनेकी जे चमत्कारवाला काम भेलै रहे ओकर लिए सभे आदमीसब परमेश्वरके प्रशंसा कर्ते रहै। 22 कहिनेकी जे आदमी चमत्कारद्वारा ठीक भेलै रहे, ओकर उमेर चालीस सालसे भी बेसी रहै। चेलासिके प्रार्थना 23 छुटकारा पाबिके ऊसब आपन साथीसिके लगत ऐलै, आर प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी आदमीसिके अगुवाके कहेल सभे बातसब ओकरासिके बत्या देल्कै। 24 जब ऊसब यी बात सुनल्कै, तब ऊसब सभेको मिलिके परमेश्वरके संगे एरंके प्रार्थना करे लाग्लै, “हे सर्वशक्तिमान प्रभु, परमेश्वर आकाश, धर्ती, समुन्दर, आर एकरामे भेल सभे चीज तुहीं बनैलह छे। 25 तोर पवित्र आत्माके तुहें हमरसिके पुर्खा दाऊद राजाके मुखसे एरं बोल्लह, ‘गैर-यहूदी आदमीसब कहिने गोसैलै आर आदमीसब व्यर्थके बातसिके कल्पना कैल्कै। 26 परमेश्वरके विरोधमे आर ओकर ख्रीष्टके विरोधमे धर्तीके राजासब खडा भेलै, आर शासकसब एक साथ जमा भेलै।’ 27 कहिनेकी सच्चेमे तोर अभिषेक कैल, तोर पवित्र सेवक येशूके विरोधमे हेरोद राजा आर पन्तियस राज्यपाल पिलातस दोनो झन गैर-यहूदी आदमी आर इस्राएलीसिके संगे सहरमे जमा भेलै रहे। 28 मगर ऊसब उहे काम कैल्कै जे तुहें पहलहैसे आपन शक्ति आर इच्छासे निश्चित कैलह रहे। 29 आब हे प्रभु, ओकरसिके धम्की सुन, आर तोर सेवकसिके पुरा साहासके साथ तोर वचन बोलैले दह। 30 आपन सेवकसिके आपन पवित्र सेवक येशूके नामके बेमारीसब ठीक करैके आर चमत्कारके कामसब कर्ते चिन्हसब देखाबैके शक्ति दह।” 31 ओकरसिके प्रार्थना कैल भेलके बाद ऊसब जमा भेल जगहमे कम्प भेलै, आर ऊसब सभे झन पवित्र आत्मासे भरिके आर ऊसब साहासके साथ परमेश्वरके वचन सुनाबे लाग्लै। विश्वासीसिके सामूहिक जीवन 32 विश्वास करेवालासिके समूह सभेको एक मन, एक आत्माके भेलै रहे, आर ओकरसिमेसे कोय भी आपन धन-दौलतके कोनो चीज यी हमर छै कहिके नैकहै, मगर ओकरसिके सभे चीज साझा रहै। 33 ऊ चुन्ल आर भेज्ल चेलासब बहुते शक्तिके साथ प्रभु येशूके मुर्दासे जिन्दा हुऐके गवाही दै, आर ओकरसिके सभैके उप्परमे बडका अनुग्रह रहेल रहै। 34 ओकरसिमेसे ओकरासिके कोनो चीज जरुरी नैपडै, कहिनेकी जतनें झन जगह जमिन आर घरके मालिक रहै, ऊसब उटा बेचिके ओकर मोल लगाबै। 35 आर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके आनिके द्या दै, आर जकरा-जकरा जे-जे चीजके जरुरी पडै, से सभैके बाँटी दै। 36 योसेफ नामके एकटा आदमी रहै। ऊ लेवी कुलसे रहै आर साइप्रस टापुके बासिन्दा रहै। चुन्ल आर भेज्ल चेलासब ओकरा बरनाबास कहैल्कै जकर मतलब छै एकटा एरंको आदमी जे दोसर आदमीसिके उत्साह दैछै। 37 ऊ आपन जमिन बेचल्कै आर ऊ पैसा आनिके चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके द्या देल्कै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation