चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 24 - केवट नया कारारराज्यपाल फेलिक्सके समनामे पावल 1 पाँच दिनके बाद प्रधान पुजारी हननिया आर कुछु यहूदी आदमीसिके अगुवासब तर्तुल्लस नामके एकटा वकिलके संगे कैसरिया सहरमे पहुँचलै आर ऊसब राज्यपाल फेलिक्सके समनामे पावलके विरोधमे ओकरसिके आरोप बयान कैल्कै। 2 जब पावलके बोलैल गेलै, तब तर्तुल्लस पावलपर आरोप लगैते हुए राज्यपालके कहे लाग्लै, “अति माननीय राज्यपाल जी, हमरसिके बीचमे जे यी निरन्तर शान्ति बन्ल रहैछै, ऊ तोर कृपाके बदौलत ही छै। तोर बुद्धिमत्तापूर्ण शासनके बदौलत यी देशमे बहुते समाजिक सुधार भेलै छे। 3 यी सभे बात हमेसब हर तरहसे आर सभे जगहमे हार्दिक धन्यवादके साथ स्वीकार करैछियै। 4 हमे तोर बहुते समय लियैके लिए नैचाहैछिहौं, तैय्योपर एकटा बिन्ती छोटकरीमे चढाबैछिहौं। 5 बात यी छै कि हमेसब देख्लियै कि यी आदमी उपद्रवी छै। ऊ यी दुनियाँ भरके सभे यहूदी आदमीसिमे आन्दोलन कर्ते घुमैछै आर नासरी पथके मुखिया छै। 6 यी आदमी परमेश्वरके मन्दिरके अपवित्र करैके कोशिश कैल्कै रहे, मगर एकरा हमेसब पक्डलियै। हमेसब ओकरा आपन यहूदी विधि-विधानके मुताबिक सजाय दियैके लिए चहते रहियै। 7 मगर सेनापति लुसियस हमरसिके लगत आबिके पावलके जबरजस्ती छिनिके ल्यागेलै, आर एकर विरोधमे आरोप लगाबेवाला यहूदी आदमीसिके तोरलगत आबैके आदेश देल्कै। 8 आब तुहें आपनहैं एकरासे पुछ-ताछ करिके ऊ सभे बातके सच्चाई पता लगाबे सकैछह, जे बातके आरोप हमेसब एकरापर लगाबैछियै।” 9 दोसर यहूदी आदमीसब भी यी सभे बात ठीके छै कहिके समर्थन कैल्कै। 10 जब राज्यपाल पावलके बोलैके लिए संकेत देल्कै तब पावल जबाब देल्कै, “तुहें बहुते सालसे यी देशके आदमीसिके न्यायधीश छह, सेल्याके हमरा तोर समनामे बयान दियैमे बहुते खुशी भेलै छे। 11 तुहें पता लगाबे सकैछ कि हमरा यरूशलेम सहरमे आराधना करैले मन्दिरमे गेल खाली बारह दिन ही भेलै छे। 12 यीसब हमरा परमेश्वरके मन्दिरमे कोनो आदमीके संगे वाद-विवाद कर्ते आर यहूदी आदमीसिके सभाघरमे या सहरके कोनो भी जगहमे भीडके भडकैते नैपैल्कै। 13 नैते ऊसब ऊ बातके, जे विषयमे ऊसब एखन हमरा आरोप लगाबैछै, तोर समनामे सच साबित करे सकैछै। 14 मगर हमे यी तोरे समनामे स्वीकार करैछियै, कि हमे आपन बाप-पुर्खासिके परमेश्वरके आराधना प्रभुके पथके अनुयायीके रुपमे करैछियै, जकरा यहूदी अगुवासब झुट्ठा पथ कहिके कहैछै। सभे कुछु जे विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके लेखके मुताबिक छै, ओकरा हमे पुरा तरहसे विश्वास करैछियै। 15 हमे एकरेसिके जेरं धर्मी आर अधर्मी दोनोके परमेश्वर मुर्दासे जिन्दा करैतै कहिके परमेश्वरमे आशा राखैछियै। 16 इहे कारण हमे हमेशा आपन जीवन ऊ तरहसे बिताबैके कोशिश करैछियै, जकरासे हमे परमेश्वर आर आदमीसिके नजरीमे निर्दोष रहियै। 17 बहुते सालके बाद हमे आपन आदमीसब जे गरिब छै, ओकरसिके लिए उपहार पहुँचाबैले आर परमेश्वरके बलिदान चढाबैके लिए यरूशलेम सहरमे ऐलियै रहे। 18 उहे समय यी यहूदी आदमीसब परमेश्वरके मन्दिरमे हमरा शुद्ध हुऐके रिती पुरा कर्ते देखल्कै। ओत्ते हमरसंगे नैते कोनो भीड रहै नैते कोनो किसिमके होहल्ला रहै। 19 हौं, उटा समयमे ओत्ते एशिया प्रदेशके कुछु यहूदी आदमीसब रहै, यदि हमे कुछु गलत कैलियै छे ते, ऊसब एत्ते तोर समनामे हमरा आरोप लगाबैके लिए हाजिर होना रहै। 20 या ते यी आदमीसब आपनहैं बताबक कि, जब हमे महासभाके समनामे खडा रहियै ते ऊसब हमरामे कोन अपराध पैल्कै रहे। 21 खाली एकटा बात छै, जे ऊसब हमर विरोधमे आरोप लगाबे सकैछै, जब हमे कचहरीमे खडा भ्याके जोरसे कहैलियै रहे, ‘तोरसिके समनामे ऐज हमर मुकदमा चलैछै कहिनेकी हमे यी विश्वास करैछियै कि परमेश्वर जे आदमीसब मर्ल छै ओकरासिके मुर्दासे जिन्दा बनैतै।’ 22 यी प्रभुके पथके विषयमे राज्यपाल फेलिक्सके सही ज्ञान हुऐके कारणसे ओकरसिके बात सुनिके ऊ मुकदमाके सुनवाई बन्द करिदेल्कै आर कहैल्कै, ‘सेनापति लुसियस एत्ते ऐलके बाद हमे तोरसिके मुकदमाके फैसला करिदेबौ।’ ” 23 तब ऊ कप्तानके आदेश देल्कै कि पावलके पहराके साथ राख्ल जै मगर ओकर साथी-संगीसिके ओकर सेवा करैसे नैरोक्ल जै। 24 कुछु दिनके बाद राज्यपाल फेलिक्स आपन यहूदी पतनी द्रुसिल्लाके आपन संगमे ल्याके कैसरिया सहरमे ऐलै, आर ऊ पावलके बोल्याके ख्रीष्ट येशूपरके विश्वासके बारेमे ओकरासे सुन्लकै। 25 जब पावल परमेश्वरके नजरमे जे बात ठीक छै आर आपन इच्छामे नियन्त्रण आर परमेश्वरके आबेवाला सजायके विषयमे बात करैले शुरु कैल्कै तब राज्यपाल फेलिक्स भयभीत भ्याके जबाब देल्कै, “एखन तुहें जो, जब हमरलगत समय हैतै हमे तोरा खुद बोलाबैले भेज्बौ।” 26 पावलके कहेल बातसब सुनिके राज्यपाल फेलिक्स डरैल रहै, तैय्योपर भी ऊ पावलके घुरी-घुरी बोलैल्कै आर बातचित कैल्कै कहिनेकी ऊ आशा कैल्कै रहे कि पावल जेलसे छुटैके लिए ओकरा कुछु पैसा देतै। 27 मगर दी सालके बाद राज्यपाल फेलिक्सके जगहमे पर्किअस फेस्तस राज्यपाल बन्लै, आर फेलिक्स यहूदी आदमीसिके खुशी करैके इच्छासे पावलके कैदमे ही छोडिके चल गेलै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation