Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -


चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 23 - केवट नया कारार

1 पावल महासभाके सदस्यसिके महर एकटक लग्याके देखल्कै आर कहैल्कै, “हे हौ भैय्या आर बहिनसब, ऐजके दिनतक परमेश्वरके नजरमे हमे शुद्ध विवेकके जीवन जिलियै छे।”

2 पावलके कहेल यी बात सुनिके प्रधान पुजारी हननिया ओकर बगलमे खडा भेलसिके पावलके मुखमे थप्पड मारैके आज्ञा देल्कै।

3 कोय ओकरा थप्पड मार्लके बाद पावल प्रधान पुजारी हननियाके कहैल्कै, “हे ढोंगी! तोरहौ परमेश्वर प्रहार कर्तौ। तुहें विधि-विधानके मुताबिक हमर इन्साफ करैले बैठ्लहैं छे ते फेर कि विधि-विधानके विरुद्ध हमरा मारपिट करैके आज्ञा दैछैं?”

4 तब जेसब पावलके बगलमे खडा रहै कहैल्कै, “कि तुहें परमेश्वरके प्रधान पुजारीके एरंके अपमान कर्भैं?”

5 तब पावल कहैल्कै, “हे भैय्या आर बहिनसब, ऊ प्रधान पुजारी छै कहिके हमरा मालुम नैरहै। कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, ‘तुहें आपन आदमीसिके शासकके बुरा-भला नैकहिहैं।’ ”

6 मगर महासभामे कुछु सदुकी समूहके आदमीसब आर कुछु फरिसी समूहके आदमीसब छै कहिके जानीके पावल जोरसे कहैल्कै, “हे भैय्या आर बहिनसब, हमे फरिसी छियै आर हमर बाप-पुर्खासब फरिसी रहै। हमर फैसला एखनी इहे ल्याके कैल जैछै कहिनेकी हमे आशा करैछियै कि परमेश्वर आदमीसिके मुर्दासे जिन्दा बनैतै।”

7 पावलके यी बात सुनिके फरिसी समूहके आदमीसब आर सदुकी समूहके आदमीसब आपसमे वाद-विवाद करे लाग्लै, आर सभामे फुट पडी गेलै।

8 कहिनेकी सदुकी समूहके आदमीसिके विश्वास छै कि आदमीसब मुर्दासे जिन्दा नैहैतै। स्वर्गदूत आर आत्मा कुछु नैछै। मगर फरिसी समूहके आदमीसब यी सभे बातमे विश्वास करैछै।

9 ओत्ते बडका होहल्ला मच्लै आर कुछु यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब जेसब फरिसी समूहके आदमीसब रहै खडा भेलै आर कडा प्रतिवाद करे लाग्लै, “हमेसब यी आदमीमे कोनो दोष नैदेखैछियै। हुए सकैछै यी आदमीके संगे कोनो आत्मा या स्वर्गदूत बोले पाबै!”

10 जब बहुते झगडा भेलै, तब सेनापति डरी गेलै कि कहीं यी आदमीसब पावलके टुकरा-टुकरा नैकरि दै। तब ऊ सेनासिके आज्ञा देल्कै कि सभामे जैके ओकरा जबरजस्ती छोडा आर सेनाके-छावनीके भितर ल्याके या।

11 उहे रात प्रभु येशू पावलके नज्दिक खडा भ्याके कहैल्कै, “हे पावल साहास कर, कहिनेकी जेरंके तुहें यरूशलेम सहरमे हमर गवाही देल्हैं छे, ओहिने करिके तोरा रोम सहरमे भी गवाही दिए पड्तौ।”


पावलके जान मारैके षडयन्त्र

12 भरौवा उजेत भेलके बाद कुछु यहूदी आदमीसब जमा भ्याके पावलके हत्या नैकरैतक कुछु नैखैके आर कुछु नैपियैके कबुला कैल्कै।

13 जेसब यी कबुला कैल्कै रहे, ऊसब चालीस झनसे भी बेसी आदमी रहै।

14 यीसब प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी आदमीसिके अगुवा लगत जैके कहैल्कै, “पावलके हत्या नैकरैतक हमेसब कुछु नैखैबै कहिके कबुला कैलियै छे।

15 आब तुहेंसब आर महासभाके दोसर सदस्यसिके तरफसे तुहेंसब पावलके पुछ-ताछ करे चाहैछ कहिके बहाना बन्याके पावलके सेनाके-छावनीसे बाहार निकालीके एत्ते आनैके लिए सेनापतिके लगत भेज। तब हमेसब ओकरा महासभामे पहुँचैसे पहेला ही रस्तामे जान मारैके लिए तैय्यार रहबै।”

16 मगर पावलके भैगनाके यी मालुम भेलै कि यहूदी आदमीसब पावलके जान मारैके षडयन्त्र रच्ले छै, तब ऊ सेनाके-छावनीमे जैके पावलके समाद देल्कै।

17 तब पावल कप्तानमेसे एक झनके आपन लगत बोल्याके कहैल्कै, “यी जवानके सेनापति कते लज्या दह, यी ओकरा कुछु कहैले चाहैछै।”

18 सेल्याके कप्तान पावलके भैगनाके सेनापति लगत ल्यागेलै आर कहैल्कै, “बन्दी पावल हमरा बोल्याके बिन्ती कैल्कै, कि यी जवान सेनापतिसे कुछु कहैले चाहैछै, एकरा तोरलगत लजाबे कहैल्कै।”

19 सेनापति ओकर हात पक्डीके एकान्तमे लज्याके पुछल्कै, “तुहें हमरा कि कहैले चाहैछैं?”

20 ऊ कहैल्कै, “यहूदी आदमीसिके अगुवासब महासभाके तरफसे पावलके आरहौ पुछ-ताछ करे चाहैछियै कहिके बहाना बन्याके पावलके सेनाके-छावनीसे बाहार मंगाबैके षडयन्त्र रचल्कै छे।

21 कृपा करिके तुहें ओकरसिके बिन्तीके ध्यान नैदिह, कहिनेकी ओकरसिमेसे चालीस झनसे बेसी आदमी पावलके हत्या नैकरैतक कुछु नैखैके आर नैपियैके कबुला कैल्कै छे, आर ऊसब आब तैय्यार छै आर तोर आदेशके इन्तजारमे छै।”

22 तब सेनापति ऊ जवानके यी निर्देश द्याके बिदा कैल्कै, “कक्रहौसे नैकहिहैं कि तुहें हमरा यी बात बतैलहैं छे।”


पावलके कैसरिया सहर भेज्ल गेलै

23 तकरबाद सेनापति दीटा कप्तानसिके बोल्याके कहैल्कै, “ऐज राती न बजे महर दी स सिपाहीसब, सत्तर झन घोडसवारसब आर दी स भालावालासिके कैसरिया सहर जैके लिए तैय्यारी करिके राख।

24 आर पावलके सवारीके लिए भी घोडा तैय्यार कर आर ओकरा सुरक्षाके साथ राज्यपाल फेलिक्स कते पहुँच्या दहैं।”

25 सेनापति राज्यपालके लिए एकटा चिट्ठी एरं कहिके लिखल्कै:

26 “अति माननीय राज्यपाल फेलिक्सके, क्लौडियस लुसियसके तरफसे सादर प्रणाम!

27 यी आदमीके यहूदी आदमीसब पक्डीके जान मारैले खोजल्कै रहे, मगर जब हमरा मालुम भेलै कि यी रोमी नागरिक छै तब हमे सेनासिके ल्याके ओत्ते पहुँचीके एकरा छोडैलियै।

28 आर हमे जानैले चहते रहियै, कि ऊसब एकर विरोधमे कोन आरोप लगाबैछै। सेल्याके ओकरा हमे ओकरसिके महासभामे ल्या गेलियै।

29 तब हमे जान्लियै, कि ऊसब ओकरसिके यहूदी विधि-विधानके विवादके विषयमे ओकरा आरोप लगैते रहै। मगर जानसे मार्ल ज्यावाला या जेलमे कैद कैल ज्यावाला मुताबिकके ओकरामे कोनो दोष हमे नैपैलियै।

30 आर जब हमरा बतैल गेलै कि ऊसब यी आदमीके जान मारैके षडयन्त्र बनैल्कै छे तब हमे तुरन्ते ओकरा तोरलगत भेजी देलिहौं, आर ओकरा आरोप लगाबेवाला यहूदी आदमीसिके भी आज्ञा देलियै, कि ऊसब आपन आरोप तोर समनामे पेश करै।”

31 उटा रात सेनासब आदेशके मुताबिक पावलके यरूशलेम सहरसे ल्याके राता-रात एन्टीपाट्रिस सहरमे पहुँचैल्कै।

32 दोसर दिन पैदल यात्रा करेवाला सेनासब पावलके कैसरिया सहरमे लजाबैके लिए घोड-सवार सेनासिके जिम्मा लग्या देल्कै आर ऊसब यरूशलेम सहरमे सेनाके-छावनीमे वापस ऐलै।

33 घोड-सवार सेनासब कैसरिया सहरमे पहुँचीके राज्यपालके चिट्ठी देल्कै, आर पावलके भी ओकर समनामे हाजिर करैल्कै।

34 राज्यपाल चिट्ठी पढिके पावलके पुछल्कै, “तुहें कोन प्रदेशके छैं?” ऊ किलिकिया प्रदेशके छै कहिके सुन्लके बाद राज्यपाल कहैल्कै,

35 “हमे तोरा आरोप लगाबेवाला यहूदी आदमीसब ऐलके बाद तोर मुकदमा सुन्बौ।” तब ऊ पावलके हेरोद राजाके दरबारमे पहरा द्याके राख कहिके हुकुम देल्कै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan