चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 20 - केवट नया कारारमाकेडोनिया, यूनान आर त्रोआसमे पावल 1 उटा होहल्ला शान्त भेलके बाद पावल प्रभु येशूके चेलासिके बोलैल्कै, आर ओकरासिके उत्साहित करिके ओकरसिसे बिदा भ्याके माकेडोनिया प्रदेशमहर चल गेलै। 2 ओत्ते पहुँचलके बाद ऊ जगह-जगहमे जैके प्रभुके चेलासिके हौसलासे परिपूर्ण शिक्षा देल्कै। तकरबाद ऊ यूनान प्रदेशमे पहुँचलै, जकरा अखैया प्रदेश भी कहैछै आर तीन महिनातक ओथै रहलै। 3 ओत्ते ऊ तीन महिना बितैलके बाद सिरिया प्रदेशमहर पानी जहाजमे चढिके यात्रा करै पर रहै, मगर ऊ सुनल्कै कुछु यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा जहाजमे जान मारैके षड्यन्त्र बनाबैछै सेल्याके पावल सिरिया प्रदेशमे माकेडोनिया प्रदेश द्याके जैके निर्णय कैल्कै। 4 तब बेरिया निवासी पुरसके बेटा सोपात्रोस, थेसलोनिके सहरवासी अरिस्तार्खस आर सिकन्दस, डर्बी सहरके गायस, आर तिमोथी लुस्त्रा सहरसे आर एशिया प्रदेशके तुखिकस आर त्रोफिमस ओकरसंगे गेलै। 5 यी साथी यात्रीसब हमरसिसे पहेला चल गेलै आर त्रोआस सहरमे पहुँचीके हमरसिके इन्तजार कर्ते रहलै। 6 हमेसब दोनो झन पैदल यात्रा करिके फिलिप्पी सहरमे गेलियै। निस्तार पावनके बाद हमेसब फिलिप्पी सहरसे पानी जहाजमे चढिके पाँच दिनके यात्राके बाद त्रोआस सहरमे ओकरसिके लगत पहुँचलियै आर ओत्ते हमेसब सात दिनतक रहैलियै। त्रोआसमे पावलके चमत्कार 7 हप्ताके पहेला दिनमे जब हमेसब प्रभु-भोज खैले जमा भेलियै, तब पावल दोसर दिन जैके इच्छा करैके कारणसे ओकरसिके संगे आधा राततक बातचित कर्ते रहलै। 8 हमेसब जमा भेल उप्परके कोठामे बहुते चिरागसब बर्ते रहै। 9 युटिकस नामके एकटा जवान खिडकीमे बैठ्ल रहै। पावल बहुतेबेर तक बात कर्ते रहैके कारणसे ऊ औंघाबे लाग्लै आर अन्तमे निनमे पडी गेलै आर ऊ तीन महल्लासे निच्चा गिर्लै आर जब कुछु आदमीसब दौडिके निच्चा गेलै आर ओकरा उठैल्कै ते ओकर मौत भेल रहै। 10 तब पावल निच्चा गेलै, ओकरलगत जैके झुकिके ओकरा भर पाँज पक्डीके गला लगैल्कै आर कहैल्कै, “नैघबरा, कहिनेकी यी जिन्दे छै।” 11 तब पावल फेर उप्पर जैके प्रभु-भोज कैल्कै आर ऊसब सभेको एक्केसंगे खैल्कै आर खैलके बाद भरौवा उजेत नैहुऐतक बहुतेबेर तक बातचित कर्ते रहलै आर तकरबाद ऊ ओकरासिसे बिदा भेलै। 12 आदमीसब बहुते खुशी भ्याके ऊ जवानके जिन्दा घर ल्यागेलै। त्रोआस सहरसे मिलेटस सहरके यात्रा 13 हमेसब पानी जहाजमे सवार भ्याके अस्सोस सहरमहर आगु बढलियै, जतेसे पावलके संगमे ल्याके आगु बढना रहै, पावल ओत्ते पैदल पहुँचलै रहे कहिनेकी यी ओकरे पहलहैसे बनैल योजना रहै। 14 हमेसब अस्सोसमे पहुँचलके बाद उहो भी आबिके जहाजमे चढ्लै आर हमेसब सभेको मिलिके मितिलेने सहरमे ऐलियै। 15 आर दोसर दिन ओत्तेसे यात्रा कर्ते हुए हमेसब खियस सहरके नज्दिकसे होते हुए सामोस सहरमे पहुँचलियै आर ओकर अगला दिन मिलेटस सहरमे ऐलियै। 16 पावल एफिसस सहरमे नैजैके निर्णय कैल्कै कहिनेकी ऊ एशिया प्रदेशमे आरहौ बेसी समय बिताबैले नैचाहल्कै। ऊ इहे ल्याके जल्दीमे रहै कि यदि सम्भव हुऐ ते पेन्तिकोस-पावनके दिनतक यरूशलेम सहर पहुँची जैयै। पावलके एफिसस सहरके मण्डलीके आदमीसिसे आखरी भेट 17 जब हमेसब मिलेटस सहरमे उतरलियै, पावल एफिसस सहरके मण्डलीके अगुवासिके समाद भेजल्कै। 18 जब ऊसब ओकरसिके लगत ऐलै ते, ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “एशिया प्रदेशमे पैर राख्ल पहेला दिनसे एखनतक हमे सभे समय तोरसिके बीचमे केरंके बितैलियै से तुहेंसब जानैछ। 19 बहुते विनम्रतासे आर लोर बहैते उटा संकटके समयमे भी, जे यहूदी आदमीसिके षड्यन्त्रके बदौलत हमरापर ऐलै रहे, हमे प्रभुके सेवा कर्ते रहैलियै। 20 जे कोनो बात तोरसिके हितके लिए रहै, उटा बात तोरासिके खुलिके कहैलियै आर सभैके समनामे आर घर-घरमे जैके तोरासिके शिक्षा देते रहैलियै। 21 हमे यहूदी आदमीसिके आर यूनानी आदमीसिके चेतावनी देते रहैलियै कि पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबै आर आपनसिके प्रभु येशूमे विश्वास करै। 22 आर आब, हमे पवित्र आत्माके आज्ञा मुताबिक यरूशलेम सहर जैछियै, आर हमे नैजानैछियै कि ओत्ते हमरसंगे कि हैतै। 23 खाली एतनें जानैछियै, कि हरेक सहरमे पवित्र आत्मा हमरा चेतावनी दैछै कि हमर लिए जेल आर कष्ट तय छै। 24 मगर हमे आपन जीवनके कोनो मोलके आर आपन लिए प्रिय नैसोचैछियै। हमे खाली एतनें चाहैछियै, कि परमेश्वरके अनुग्रहके खुश-खबरीके गवाही दियैले हमर दौड आर प्रभु येशूसे हमरा मिल्ल हमर सेवकाई हमे पुरा करे सकियै। 25 आब देख, तोरसिके जकर बीचमे हमे सभे जगहमे परमेश्वरके राज्यके प्रचार कर्ते ऐलियै छे, तोरसिके संगे फेर हमर भेट कहियो भी नैहैतै कहिके हमरा मालुम छै। 26 सेल्याके ऐज हमे तोरासिके गवाही दैछिहौं यदि तोरसिमेसे कोय भी प्रभु येशूके विश्वास नैकरिके मर्भ ते एकर जिम्मेदार हमे नैछियै। 27 कहिनेकी हमे तोरासिके परमेश्वर तुहेंसब जे बात जानह कहिके चहते रहै उटा सभे बात बतैलिहौं छे। हमे तोरासिसे कुछु भी नैनुकैलिहौं छे। 28 आब तुहेंसब आपनहैं आपन देखभाल कर आर पवित्र आत्मा तोरासिके जिम्मा लगैल परमेश्वरके मण्डलीके देख-रेख कर, जकरा ऊ आपन बेटाके खूनसे मोल लेल्कै छे। 29 हमे जानैछियै कि हमर गेलके बाद झुट्ठा शिक्षकसब तोरसिके बीचमे ऐतौ आर विश्वासीसिके बडका हानी कर्तौ। ऊसब डरलग्गा खटिहा जुगुर हैतौ जे भेंडाके जान मार्तौ। 30 एत्तेतक कि तोरसिके आपने विश्वासीसिके समूहसे आदमीसब ऐतौ, जे विश्वासीसिके आपन तरफ लज्याके आपन चेला बनाबैले उल्टा-पुल्टा शिक्षा देतौ। 31 सेल्याके होशियार रह आर मनमे याद राख कि तीन बरसतक दिन-रात लोर बहैते सभे आदमीके हमे चेतावनी देते रहियै। 32 आब हमे तोरासिके परमेश्वरमे आर ओकर अनुग्रहके वचनमे सौंपैछिहौं, जे तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबे सकैछै, आर परमेश्वर तोरासिके उत्तराधिकार देतहौं जे ओकरद्वारा पवित्र बनैल सभैके लिए वादा कैल्कै छे। 33 हमे कोनो आदमीके सोना, चानी या कपडाके लोभ नैकैलियै। 34 तुहेंसब आपनहैं जानैछ कि हमर इहे हातसे मेहनत करिके हमर आपन आर हमरसंगे हुएवाला दोस्तसिके जरुरतके पुरा कैल्कै छे। 35 हमे तोरासिके सभे कुछु करिके देखैलिहौं, कि तहुँसब अहिने करिके कडा मेहनत क्याके कमजोरसिके सहायता करे पड्तहौं। प्रभु येशूके वचन याद राख कि ऊ आपनहैं कहैल्कै छे, ‘लेनासे देना आरहौ आशिषमय छै।’ ” 36 एतनें कहिके ऊ घुटुवा पारल्कै आर ओकरसिके संगे प्रार्थना कैल्कै। 37 तब ऊसब सभेको बहुते कान्लै आर पावलके गला पक्डीके बिदा कैल्कै। 38 ऊसब विशेष करिके यी बातके शोक कर्ते रहै, जे बात ऊ कहैल्कै रहे, “तोरसिके संगे फेर हमर भेट कहियो भी नैहैतै।” आर ऊसब ओकरा अरियातीके पानी जहाजतक पहुँचैल्कै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation