Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -


चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 16 - केवट नया कारार


पावल आर सिलासके संगे तिमोथीके भेट

1 फेर पावल डर्बी सहर आर लुस्त्रा सहरमे भी ऐलै आर ओत्ते तिमोथी नामके एकटा चेला रहै। ओकर मयाँ यहूदी विश्वासी रहै, मगर ओकर बाबु यूनानी रहै।

2 लुस्त्रा सहर आर आइकोनियन सहरमे रहेवाला विश्वासी भ्या-बहिनसिके नजरीमे तिमोथीके बहुते इज्जत रहै।

3 पावल ओकरा आपन संगमे लजाबैके मन कैल्कै आर यहूदी आदमीसिके कोनो बाधा नैहै कहिके पावल तिमोथीके यहूदी आदमीसिके रिती मुताबिक खतना करिदेल्कै कहिनेकी उटा जगहमे रहेवाला यहूदी आदमीसिके सभैके मालुम रहै कि तिमोथीके बाबु यूनानी आदमी रहै।

4 तकरबाद पावल आर ओकर दोस्तसब सहर-सहरमे जैके विश्वासीसिके ऊ नियमसिके पालन करैके लिए सिखाबैले शुरु कैल्कै जे बातके फैसला यरूशलेम सहरके चुन्ल आर भेज्ल चेलासब आर मण्डलीके अगुवासब कैल्कै रहे।

5 एरंके मण्डलीसब विश्वासमे मजगुत हैते गेलै आर ओकरसिके गिन्ती हरेक दिन बढ्ते गेलै।


पावलके माकेडोनिया प्रदेशमे वोलावट

6 पावल आर ओकर दोस्तसब फ्रिगीया प्रदेश आर गलातिया प्रदेशके इलाका भ्याके गेलै, कहिनेकी पवित्र आत्मा ओकरासिके परमेश्वरके वचन प्रचार करैके लिए एखन एशिया प्रदेशमे नैजैले आदेश देल्कै रहे।

7 ऊसब माइसिया प्रदेशके सिमानामे पहुँचलके बाद ऊसब बेथानियाँ प्रदेशमे जैके विचार कैल्कै। मगर येशूके आत्मा ओकरासिके ओत्ते जैले अनुमति नैदेल्कै।

8 सेल्याके ऊसब माइसिया प्रदेश भ्याके त्रोआसके बन्दरगाहवाला सहरमे गेलै।

9 ओत्ते पावल राती एकटा दर्शन देखल्कै कि माकेडोनिया प्रदेशके निवासी एकटा आदमी खडा भ्याके ओकरा बिन्ती करिके कहैल्कै, “समुन्दरके पार माकेडोनिया प्रदेशमे आब आर हमरासिके सहायता कर।”

10 जब ऊ यी दर्शन देखल्कै, तुरन्ते हमेसब माकेडोनिया प्रदेश जैके लिए तैय्यार भेलियै। कहिनेकी ओत्करो आदमीसिके प्रभु येशूके खुश-खबरी सुनाबैके लिए परमेश्वर ही हमरासिके बोलैल्कै छे कहिके हमरासिके मालुम भेलै।


लिडिया नामके एकटा व्यापारी जनानीके विश्वास

11 सेल्याके हमेसब त्रोआस सहरसे पानी जहाजमे चढिके सोझे सामोथ्राके टापु महर गेलियै, आर एक दिनके बाद नियापोलिस सहरमे पहुँचलियै।

12 आर ओत्तेसे हमेसब फिलिप्पी सहरमे गेलियै, जे माकेडोनिया प्रदेशके प्रमुख सहर आर रोमी सरकारके उपनिवेश भी छै। हमेसब उटा सहरमे कुछु दिनतक रहैलियै।

13 यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे हमेसब सहरके फाटकसे निक्लीके लद्दीके किनार महर गेलियै। हमेसब सोच्लियै कि ओत्ते यहूदी आदमीसिके प्रार्थना करैके जगह हैतै, आर बैठिके ऊ जनानीसिसे जेसब जमा भेलै रहे, बातचित करे लाग्लियै।

14 हमरसिके बात सुनेवालासिमेसे लिडिया नामके एकटा जनानी रहै। ऊ थिआटिरा सहरके निवासी रहै आर बैगनी रंगके कपडाके व्यापार कर्ते रहै। ऊ परमेश्वरके भक्ति करेवाला एकटा भक्त जनानी रहै। पावलके कहेल बात ध्यानसे सुनै कहिके प्रभु ओकर मन खोली देल्कै।

15 प्रभु येशूमे विश्वास करिके लिडिया आर ओकर सारा घराना बप्तिस्मा लेल्कै। तकरबाद ऊ हमरासिके बिन्ती कैल्कै, “यदि तुहेंसब हमरा प्रभुके सच्चा विश्वासी मानैछह ते आबिके हमर घरमे मैजमान बनिके रह।” आर ऊ हमरासिके जिद करिके आपन घरमे ल्यागेलै।


पावल आर सिलासके बन्दी बनैल गेलै

16 एक दिन जब हमेसब प्रार्थना करेवाला जगहमे जैते रहियै ते, रस्तामे हमरासिके एकटा लडकी मिल्लै जे दासके जिन्दगी बितैते रहै आर ओकरामे भविष्यके बात बताबेवाला भूत रहै। ऊ आदमीसिके भाग्यके बारेमे बत्याके आपन मालिकसिके लिए बहुते धन कम्याके देते रहै।

17 ऊ पावल आर हमरसिके पाछु-पाछु लाग्लै आर एरं कहिके चिकरे लाग्लै, “यी आदमीसब महान परमेश्वरके सेवकसब छै जेसब तोरसिके लिए उद्धारके रस्ता प्रकट करैछौ।”

18 ऊ बहुते दिनतक अहिने कर्ते रहलै। आखिरमे पावल एक दिन तंग भ्याके ओकर महर घुमिके ऊ भूतके कहैल्कै, “हमे तोरा येशू ख्रीष्टके नामसे आज्ञा दैछियौ कि तुहें एकरामेसे निक्ली जो।” तखनिहैं भूत ऊ लडकीमेसे निक्ली गेलै।

19 जब लडकीके मालिकसब देखल्कै कि ओकरसिके कमाइके आशा खतम भ्यागेलै, तब ऊसब पावल आर सिलासके पक्डीके बजारके चौकमे घिसियैते हुए अधिकारीसिके समनामे ल्यागेलै।

20 ऊसब ओकरासिके सहरके रोमी हाकिमसिके समनामे खडा करिके कहैल्कै, “यी आदमीसब यहूदी आदमी छै, आर आपनसिके सहरमे उपद्रव मचाबैछै।

21 यी आदमीसब एरं एरं रिती-रिवाज सिखाबैछै जे बात रोमी आदमीसिके स्वीकार करना या पालन करना कानूनके नजरसे मना छै।”

22 तब भीडके आदमीसब पावल आर सिलासके विरोधमे मिलिके ओकरसिपर आक्रमण कैल्कै। सहरके हाकिमसब ओकरसिके कपडा चिरिके फेकि देल्कै, आर ओकरासिके छडी लगाबैके आज्ञा देल्कै।

23 ऊसब ओकरासिके बहुते छडी लगैलके बाद ओकरासिके कैदमे ध्या देल्कै, आर जेलके दरोगाके एकरासिपर कडा निगरानी करैके आज्ञा देल्कै।

24 एरंको आज्ञा पाबिके जेलके दरोगा ओकरासिके भितरके कोठरीमे लज्याके ओकरसिके पैरीके लकडीके बेडीमे जकडीके बान्ही देल्कै।


पावल आर सिलासके जेलसे छुटकारा

25 आर आधा रातमे पावल आर सिलास प्रार्थना कर्ते परमेश्वरके भजन गैते रहै आर दोसर कैदीसब से भजन सुन्ते रहै।

26 कि एतनेंमे अचानक एकटा बडका भूकम्प गेलै, एत्तेतक कि जेलके जग भी हिली गेलै आर तुरन्ते सभे फाटकसब खुल्लै आर सभे कैदीके हथकडी टूटी गेलै।

27 जेलके दरोगा निनसे जाग्लै आर जेलके फाटकसब खुल्ल देखिके सोचल्कै कि कैदीसब भागी गेलै। तब ऊ आत्महत्या करैके विचारसे आपन तलवार निकाल्लकै।

28 मगर पावल जोरसे सोर करिके कहैल्कै, “तुहें अपने आपके कोनो हानी नैकर, कहिनेकी हमेसब सभेको एथै छियै।”

29 तब ऊ उजेत माँगीके भितर ऐलै आर थर-थर काँप्ते हुए पावल आर सिलासके आगुमे गिरी गेलै।

30 आर ओकरासिके बाहार आनिके दरोगा ओकरासिके कहैल्कै, “हे सज्जन आदमीसब! उद्धार पाबैके लिए हमरा कि करे पड्तै?”

31 तब ऊसब कहैल्कै, “प्रभु येशू ख्रीष्टमे विश्वास कर, तब तुहें आर तोर घराना उद्धार पैभ।”

32 तब ऊसब ओकरा आर ओकर घरमे भेल सभैके प्रभुके वचन सुनैल्कै।

33 आर रातीहैं ऊ ओकरासिके लज्याके ओकरसिके घा धोय देल्कै। तब ऊ आर ओकर सभे घराना तुरन्ते बप्तिस्मा लेल्कै।

34 तकरबाद ऊ ओकरासिके आपन घरमे लज्याके ओकरसिके आगुमे भोजन राखी देल्कै आर सारा घराना समेत परमेश्वरमे विश्वास करिके ऊसब सभेको बहुते आनन्दित भेल रहै।

35 मगर भोर भेलके बाद सहरके हाकिमसब सिपाहीसिके यी आदेश द्याके भेजल्कै, ऊ आदमीसिके छोडी दहैं।

36 दरोगा यी बात पावलके सुनैल्कै, “सहरके हाकिमसब तोरासिके छोडी दियैके आज्ञा भेजल्कै छे। सेल्याके आब निक्लीके कुशलसे चल जा।”

37 मगर पावल दरोगाके कहैल्कै, “ऊसब हमरासिके जे रोमी आदमीसब छियै, दोषी ही नैठहर्याके ऊसब आदमीसिके समनामे हमरासिके मारपिट कैल्कै आर जेलमे बन्द करैल्कै, आर आब कि हमरासिके चुप-चाप निकाले खोजैछै? नै, यी नैहुए सकैछै। ऊसब खुद आपनहैं आबिके हमरासिके बाहार करक।”

38 ऊ सिपाहीसब हाकिमसिके यी बात सुनैल्कै। पावल आर सिलास ते रोमी नागरिक छै कहेल सुनिके ऊसब बहुते डरी गेलै।

39 ऊसब आबिके ओकरसिके संगे माफी माँगल्कै, आर ओकरासिके जेलसे बाहार आनिके सहर छोडिके चल जैले बिन्ती कैल्कै।

40 ऊसब जेलसे बाहार निक्लीके लिडियाके घरमे गेलै आर विश्वासी भ्यासिके संगे भेटघाट करिके ओकरासिके उत्साह द्याके ओत्तेसे बिदा भ्याके चल गेलै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan